LibreOffice-Suite-Calc/C2/Working-with-data/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 19:48, 23 January 2018 by Smitajha (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search
VISUAL CUE NARRATION
00:00 लिबर ऑफिस Calc मे डेटाक संग काज पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियल मे अहाँक स्वागत अछि।
00:06 अहि ट्यूटोरियल मे हम सीखब।
00:09 फिल टूल्स आ सिलेक्शन लिस्ट'क उपयोग कक गति कोना बढैब।
00:13 शीट्स मे कन्टेंट कोना बाँटब।
00:16 डेटा कोना हटाएब, डेटाक कोना बदलब आ डेटाक किछु भाग कोना बदलब।
00:23 एतए हम उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबर ऑफिस वर्जन 3.3.4’क उपयोग क रहल छी।
00:32 स्प्रैडशीट मे डेटा एंटर करनै कठिन भ सकैत अछि मुदा एकरा साध्य

बनेबाक लेल Calc विविध टूल्स दैत अछि।

00:42 सबस प्रमुख क्षमता अछि माउसक संग एकटा सेल सँ दोसर मे कन्टेंट्स के ड्रैग आ

ड्रॉप केनै।

00:49 मुदा Calc में स्वचालित इनपुटक लेल अन्यान्य टूल्स सब सेहो रहैत अछि विशेषतर दोहराए बला चीजक लेल।
00:57 इ सब “Fill tool”, “Selection lists” नामक टूल्स थिक।
01:01 इसब एकै डॉक्युमेंटक मल्टिपल शीट्स मे जानकारी इनपुट क सकैत अछि।
01:06 हमरालोकिन प्रत्येक क बारे मे एक-एक कक सीखब।
01:09 चलू अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल ओपन करै छी।
01:14 Fill tool (फिल टूल) शीट मे कन्टेंटक नक़ल बनेबा लेल उपयोगी पद्धति अछि।
01:19 अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे, मानू जे हम “Cost”

हैडिंगक तहत डेटा के समीपक सेल्स मे कॉपी कर चाहैत छी।

01:30 त पहिल सेल जाहि मे एंट्री “6000” अछि ताहि पर क्लिक कक आवश्यक डेटा सब चुनू।
01:38 आब माउसक बायां बटन के hold केने रहू आ सेलक अंत तक माउस के ड्रैग करु,

जाहि मे लागत एंट्री “2000” छै।

01:46 ओहि सेलक सेहो चुनू, जतए हम डेटा कॉपी कर चाहैत छी।
01:51 आब बायां माउस बटन के छोइड़ दिऔ।
01:53 मेन्यू बार मे “Edit” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर“Fill” ऑप्शन पर क्लिक करू।
01:59 पॉप-अप मेन्यू मे “Right” ऑप्शन पर क्लिक करू।
02:03 अहाँ देखब जे हैडिंग “Cost” क नीचाँ डेटा निकटवर्ती सेल्स मे कॉपी भ गेल अछि।
02:09 बदलाव सबके अंडू करू।
02:12 फिल टूलक बेसी जटिल उपयोग ई अछि जे शीट्स मे डेटाक कुछेक श्रृंखला फिल

कर लेल एकर उपयोग करब।

02:20 Calc सप्ताहक पूर्ण आ संक्षिप्त दिन आ सालक महीनाक लेल डिफॉल्ट रूप सँ

सूची प्रदान करइत अछि।

02:27 इ उपयोगकर्ता के अपन सूची बनैबाक लेल सेहो सक्षम बनाबइत अछि।
02:34 आब अपन शीट मे“Days” नामक एकटा नब हैडिंग प्रविष्ट करै छी।
02:38 एकर नीचाँ हम सप्ताहक सातो दिन स्वतः प्रदर्शित करब।
02:43 “Days” हैडिंगक नीचाँ पहिल सात सेल्स चुनू।
02:48 आब मेन्यू बार मे“Edit” ऑप्शन पर क्लिक करू आ “Fill” ऑप्शन पर जाऊ।
02:53 मेन्यू मे“Series” ऑप्शन पर क्लिक करू।
02:57 अहाँ देखब जे “Fill Series” हैडिंग'क संग एकटा डायलॉग बॉक्स दखाइत अछि।
03:02 आब “Series type” हैडिंग'क नीचाँ“AutoFill” ऑप्शन पर क्लिक करू।
03:07 “Start value” फील्ड मे हम सप्ताहक पहिल दिन टाइप करै छी जे “Sunday” अछि।
03:13 बढ़त “1” क रूप मे पहिले सँ सेट अछि। आब “OK” बटन पर क्लिक करू।
03:18 अहाँ देखब जे दिन सबहक नाम सेल्स मे स्वयं सँ एंटर भ जैत अछि।
03:23 अहाँ अहि पद्धति सँ केवल सप्ताहक दिन, महीना आ साल एंटर क सकइत छी

किए त ओ Calc मे पूर्व-परिभाषित अछि।

03:32 अनुक्रमिक डेटा'क ऑटो-फिलिंग क लेल आरो पद्धति ऐना छै जे।
03:37 सेल मे “Sunday” टाइप करू आ एंटर प्रेस करू। इ कॉलम मे अगिला सेल पर फोकस करत।
03:46 ओहि सेल पर वापस जाऊ जतए “Sunday” टाइप केने रहिए।आब अहाँ सेलक दहिना कोन पर एकटा छोट काला बॉक्स देखब।
03:55 अइ बॉक्स पर माउस सँ क्लिक करू।
03:57 एकरा नीचाँक' ओर तखन तक ड्रैग करू जखन तक अहाँ दायां ओर पर प्रदर्शित

बॉक्स मे saturday नइ देखि।

04:04 माउस बटन छोइड़ दिओ।
04:06 सप्ताहक दिन सँ सेल्स स्वतः फिल भ गेल अछि।
04:10 इ तरकीब सब अनुक्रमिक डेटा'क लेल कार्य करइत अछि । बदलाव सबक' अंडू करू।
04:17 अहाँ स्टार्ट, एन्ड आ बृद्धि वेल्यू एंटर कक नम्बर्स क लेल वन टाइम

फिल सीरिज सेहो बना सकै छि।

04:24 एकरा प्रदर्शित करक लेल पहिले हम सेल्स मे “A1” सँ “ A7” तक पाहिले सँ

एंटर कैल गेल सीरियल नम्बर्स के डिलीट करब।

04:33 नम्बर्स के डिलीट करबाक बाद सेल्स “A2” से “A7” के फेर सँ चुनू।
04:40 आब मेन्यू बार मे“Edit” पर क्लिक करू आ फेर “Fill” आ “Series” ऑप्शन पर

क्लिक करू।

04:46 हमरासबहक सामने एकटा डायलॉग बॉक्स दखाईत अछि। आब “Series type” हैडिंगक नीचाँ “Linear” ऑप्शन यदि इ डिफॉल्ट रूप सँ चयनित नहि हुए त अहि पर क्लिक करू।।
04:57 “Start value” फील्ड मे, हम पहिल सीरियल नम्बर टाइप करब जे “1” अछि।
05:03 “End value” फील्ड मे, हम अंतिम वेल्यू टाइप करब जे कि “6” होएत।
05:08 आब हम “Increment” वेल्यू “1” सेट करै छी आ अंत मे “OK” बटन पर क्लिक करै छी।
05:14 हम देखब जे अनुक्रमिक सीरियल नम्बर्सक संग सेल्स स्वतः फिल भ गेल अछि।
05:21 अहि सब प्रकरण मे, फिल टूल सेल्सक मध्य केवल क्षणिक संपर्क बनाबैत अछि। एक बेर फिल भ गेला क बाद सेल्सक एक दोसर सँ कोनो संपर्क नइ रहैत अछि।
05:32 फिल टूल्स क अलावा, गति वृद्धिक लेल “Selection lists” नामक एकटा अन्य टूल अछि। एकर उपयोग मात्र टेक्स्टक तक सीमित अछि।
05:40 हम एकर चर्च अहि क्रम'क बादक टूयटोरियल्स मे करब।
05:45 “Fill tools” आ “Selection lists” क' बारे मे सीखलाक बाद, आब हम सीखब

जे शीट्स'क बीच कन्टेंट कोना बांटब।

05:52 Calc उपयोगकर्ता के एकहि सेल मे या मल्टिपल शीट्स में समान जानकारी एंटर

कर लेल सक्षम बनाबैत अछि।

05:58 माने, प्रत्येक शीट मे व्यक्तिगत रूप सँ समान सूची एंटर करक बजाय, अहाँ

एकरा सब शीट्स मे एकै समय एंटर क सकै छी।

06:07 अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे हमर संपूर्ण डेटा “Sheet

1” पर अछि।

06:14 आब हम चाहै छी जे “Sheet 2” आ “Sheet 3”, “Sheet 1” बला डेटा प्रदर्शित करे।
06:21 तै हम मेन्यू बार मे “Edit” ऑप्शन पर क्लिक करै छी आ फेर “Sheet” ऑप्शन

पर क्लिक करै छी ।

06:27 आब “Select” पर क्लिक करू।
06:30 आब दिखाई देइ वाला डायलॉग बॉक्स मे, shift की क' उपयोग कक हम “Sheet

1”, “Sheet 2”, आ “Sheet 3” ऑप्शन्स के चुनै छी।

06:40 आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू।
06:42 इ हमरा लोकिन वापस “Sheet 1” पर ल जाएत।
06:45 आब “Sheet 1” मे किछु डेटा एंटर करै छी।
06:49 उदाहरणकस्वरूप, “F12” सेल मे, हमसब “This will be displayed on

multiple sheets” टाइप करब।

06:57 आब एक क बाद एक “Sheet 2” आ “Sheet 3” टैब पर क्लिक करू।
07:02 हमसब देखब जे प्रत्येक शीट्सक “F12” सेल में समान डेटा अछि।
07:09 बदलाव सबके अंडू करइ छी।
07:12 आगू हम ओ सब तरीका सीखब, जै स हमसब सेल्स मे डेटा डिलीट आ एडिट क सकै छी।
07:18 सेलक कोनो फॉर्मेट के हटाएल बिना डेटा के डिलीट करबाक लेल मात्र सेल के चुनू।
07:25 अहाँ देखब जे सेलक डेटा “Input line” फील्ड मे दिखाई देइत अछि।
07:30 आब की बोर्ड पर “Backspace” बटन प्रेस करू।
07:35 अहाँ देखब जे डेटा डिलीट भ गेल अछि।
07:37 बदलावसब के अंडू करू।
07:39 सेल मे डेटा बदलक’ लेल सेल के चुनू आ पुरान डेटाक' ऊपरे टाइप करू।
07:46 नब डेटा मूल फॉर्मेटिंग के बनाक’ रखत । बदलावसब के अंडू करू।
07:52 सेल मे पूर्ण कन्टेंट के हटैने बिन, डेटाक भाग बदलक लेल मात्र सेल पर

डबल क्लिक करू।

08:01 आब कर्सरक मदद सँ अहाँ अपन आवश्यकतानुसार सेल के एडिट क सकैत छी।
08:07 बदलावसब के अंडू करू।
08:09 आब हम लिबर ऑफिस Calc पर स्पोकन ट्यूटोरियलक अंत मे आब गेल अछि।
08:15 संक्षेप मे, हम सब निम्नक बारे मे सीखलौ-
08:17 फिल टूल्स आ सिलेक्सन लिस्ट्सक उपयोग कके गति बढाएब।
08:20 शीट्स मेकन्टेंट बाँटब।
08:23 डेटा हटाएब, डेटा के बदलब, डेटाक’ भाग बदलब।
08:29 निम्न लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू।
08:32 इ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांशित करैत अछि।
08:35 ज् अहाँक पास बढ़िया बैंडविड्थ नइ होएत त अहाँ एकरा डाउनलोड कके देख सकै छी।
08:40 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम-
08:43 स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग कके कार्यशालाएँ सेहो चलाबैत छथि।
08:46 ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार प्रतिभागी के प्रमाण-पत्र सेहो देल जाएत छैन ।
08:49 बेसि जानकारीक लेल कृपया contact@spoken hyphen tutorial dot org पर संपर्क करू।
08:55 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थिक।
09:00 इ भारत सरकारक एमएचआरडी क “आईसीटी'क माध्यम सँ राष्ट्रीय साक्षरता

मिशन” द्वारा समर्थित अछि।

09:07 अहि मिशन पर बेसि जानकारीक लेल उपलब्ध लिंक पर संपर्क करू ।
09:11 *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro
09:18 इ स्क्रिप्ट स्मिता कुमारी द्वारा अनुवादित अछि। आई.आई.टी.बॉम्बेक

ओर सँ हम संकेत कुमार झा आब अहाँ सँ विदा लैत छी। हमरा सँ जुड़'क लेल धन्यवाद|}

Contributors and Content Editors

Smitajha