LibreOffice-Suite-Calc/C2/Working-with-data/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
VISUAL CUE | NARRATION |
00:00 | लिबर ऑफिस Calc मे डेटाक संग काज पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियल मे अहाँक स्वागत अछि। |
00:06 | अहि ट्यूटोरियल मे हम सीखब। |
00:09 | फिल टूल्स आ सिलेक्शन लिस्ट'क उपयोग कक गति कोना बढैब। |
00:13 | शीट्स मे कन्टेंट कोना बाँटब। |
00:16 | डेटा कोना हटाएब, डेटाक कोना बदलब आ डेटाक किछु भाग कोना बदलब। |
00:23 | एतए हम उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबर ऑफिस वर्जन 3.3.4’क उपयोग क रहल छी। |
00:32 | स्प्रैडशीट मे डेटा एंटर करनै कठिन भ सकैत अछि मुदा एकरा साध्य
बनेबाक लेल Calc विविध टूल्स दैत अछि। |
00:42 | सबस प्रमुख क्षमता अछि माउसक संग एकटा सेल सँ दोसर मे कन्टेंट्स के ड्रैग आ
ड्रॉप केनै। |
00:49 | मुदा Calc में स्वचालित इनपुटक लेल अन्यान्य टूल्स सब सेहो रहैत अछि विशेषतर दोहराए बला चीजक लेल। |
00:57 | इ सब “Fill tool”, “Selection lists” नामक टूल्स थिक। |
01:01 | इसब एकै डॉक्युमेंटक मल्टिपल शीट्स मे जानकारी इनपुट क सकैत अछि। |
01:06 | हमरालोकिन प्रत्येक क बारे मे एक-एक कक सीखब। |
01:09 | चलू अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल ओपन करै छी। |
01:14 | Fill tool (फिल टूल) शीट मे कन्टेंटक नक़ल बनेबा लेल उपयोगी पद्धति अछि। |
01:19 | अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे, मानू जे हम “Cost”
हैडिंगक तहत डेटा के समीपक सेल्स मे कॉपी कर चाहैत छी। |
01:30 | त पहिल सेल जाहि मे एंट्री “6000” अछि ताहि पर क्लिक कक आवश्यक डेटा सब चुनू। |
01:38 | आब माउसक बायां बटन के hold केने रहू आ सेलक अंत तक माउस के ड्रैग करु,
जाहि मे लागत एंट्री “2000” छै। |
01:46 | ओहि सेलक सेहो चुनू, जतए हम डेटा कॉपी कर चाहैत छी। |
01:51 | आब बायां माउस बटन के छोइड़ दिऔ। |
01:53 | मेन्यू बार मे “Edit” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर“Fill” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
01:59 | पॉप-अप मेन्यू मे “Right” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
02:03 | अहाँ देखब जे हैडिंग “Cost” क नीचाँ डेटा निकटवर्ती सेल्स मे कॉपी भ गेल अछि। |
02:09 | बदलाव सबके अंडू करू। |
02:12 | फिल टूलक बेसी जटिल उपयोग ई अछि जे शीट्स मे डेटाक कुछेक श्रृंखला फिल
कर लेल एकर उपयोग करब। |
02:20 | Calc सप्ताहक पूर्ण आ संक्षिप्त दिन आ सालक महीनाक लेल डिफॉल्ट रूप सँ
सूची प्रदान करइत अछि। |
02:27 | इ उपयोगकर्ता के अपन सूची बनैबाक लेल सेहो सक्षम बनाबइत अछि। |
02:34 | आब अपन शीट मे“Days” नामक एकटा नब हैडिंग प्रविष्ट करै छी। |
02:38 | एकर नीचाँ हम सप्ताहक सातो दिन स्वतः प्रदर्शित करब। |
02:43 | “Days” हैडिंगक नीचाँ पहिल सात सेल्स चुनू। |
02:48 | आब मेन्यू बार मे“Edit” ऑप्शन पर क्लिक करू आ “Fill” ऑप्शन पर जाऊ। |
02:53 | मेन्यू मे“Series” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
02:57 | अहाँ देखब जे “Fill Series” हैडिंग'क संग एकटा डायलॉग बॉक्स दखाइत अछि। |
03:02 | आब “Series type” हैडिंग'क नीचाँ“AutoFill” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
03:07 | “Start value” फील्ड मे हम सप्ताहक पहिल दिन टाइप करै छी जे “Sunday” अछि। |
03:13 | बढ़त “1” क रूप मे पहिले सँ सेट अछि। आब “OK” बटन पर क्लिक करू। |
03:18 | अहाँ देखब जे दिन सबहक नाम सेल्स मे स्वयं सँ एंटर भ जैत अछि। |
03:23 | अहाँ अहि पद्धति सँ केवल सप्ताहक दिन, महीना आ साल एंटर क सकइत छी
किए त ओ Calc मे पूर्व-परिभाषित अछि। |
03:32 | अनुक्रमिक डेटा'क ऑटो-फिलिंग क लेल आरो पद्धति ऐना छै जे। |
03:37 | सेल मे “Sunday” टाइप करू आ एंटर प्रेस करू। इ कॉलम मे अगिला सेल पर फोकस करत। |
03:46 | ओहि सेल पर वापस जाऊ जतए “Sunday” टाइप केने रहिए।आब अहाँ सेलक दहिना कोन पर एकटा छोट काला बॉक्स देखब। |
03:55 | अइ बॉक्स पर माउस सँ क्लिक करू। |
03:57 | एकरा नीचाँक' ओर तखन तक ड्रैग करू जखन तक अहाँ दायां ओर पर प्रदर्शित
बॉक्स मे saturday नइ देखि। |
04:04 | माउस बटन छोइड़ दिओ। |
04:06 | सप्ताहक दिन सँ सेल्स स्वतः फिल भ गेल अछि। |
04:10 | इ तरकीब सब अनुक्रमिक डेटा'क लेल कार्य करइत अछि । बदलाव सबक' अंडू करू। |
04:17 | अहाँ स्टार्ट, एन्ड आ बृद्धि वेल्यू एंटर कक नम्बर्स क लेल वन टाइम
फिल सीरिज सेहो बना सकै छि। |
04:24 | एकरा प्रदर्शित करक लेल पहिले हम सेल्स मे “A1” सँ “ A7” तक पाहिले सँ
एंटर कैल गेल सीरियल नम्बर्स के डिलीट करब। |
04:33 | नम्बर्स के डिलीट करबाक बाद सेल्स “A2” से “A7” के फेर सँ चुनू। |
04:40 | आब मेन्यू बार मे“Edit” पर क्लिक करू आ फेर “Fill” आ “Series” ऑप्शन पर
क्लिक करू। |
04:46 | हमरासबहक सामने एकटा डायलॉग बॉक्स दखाईत अछि। आब “Series type” हैडिंगक नीचाँ “Linear” ऑप्शन यदि इ डिफॉल्ट रूप सँ चयनित नहि हुए त अहि पर क्लिक करू।। |
04:57 | “Start value” फील्ड मे, हम पहिल सीरियल नम्बर टाइप करब जे “1” अछि। |
05:03 | “End value” फील्ड मे, हम अंतिम वेल्यू टाइप करब जे कि “6” होएत। |
05:08 | आब हम “Increment” वेल्यू “1” सेट करै छी आ अंत मे “OK” बटन पर क्लिक करै छी। |
05:14 | हम देखब जे अनुक्रमिक सीरियल नम्बर्सक संग सेल्स स्वतः फिल भ गेल अछि। |
05:21 | अहि सब प्रकरण मे, फिल टूल सेल्सक मध्य केवल क्षणिक संपर्क बनाबैत अछि। एक बेर फिल भ गेला क बाद सेल्सक एक दोसर सँ कोनो संपर्क नइ रहैत अछि। |
05:32 | फिल टूल्स क अलावा, गति वृद्धिक लेल “Selection lists” नामक एकटा अन्य टूल अछि। एकर उपयोग मात्र टेक्स्टक तक सीमित अछि। |
05:40 | हम एकर चर्च अहि क्रम'क बादक टूयटोरियल्स मे करब। |
05:45 | “Fill tools” आ “Selection lists” क' बारे मे सीखलाक बाद, आब हम सीखब
जे शीट्स'क बीच कन्टेंट कोना बांटब। |
05:52 | Calc उपयोगकर्ता के एकहि सेल मे या मल्टिपल शीट्स में समान जानकारी एंटर
कर लेल सक्षम बनाबैत अछि। |
05:58 | माने, प्रत्येक शीट मे व्यक्तिगत रूप सँ समान सूची एंटर करक बजाय, अहाँ
एकरा सब शीट्स मे एकै समय एंटर क सकै छी। |
06:07 | अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे हमर संपूर्ण डेटा “Sheet
1” पर अछि। |
06:14 | आब हम चाहै छी जे “Sheet 2” आ “Sheet 3”, “Sheet 1” बला डेटा प्रदर्शित करे। |
06:21 | तै हम मेन्यू बार मे “Edit” ऑप्शन पर क्लिक करै छी आ फेर “Sheet” ऑप्शन
पर क्लिक करै छी । |
06:27 | आब “Select” पर क्लिक करू। |
06:30 | आब दिखाई देइ वाला डायलॉग बॉक्स मे, shift की क' उपयोग कक हम “Sheet
1”, “Sheet 2”, आ “Sheet 3” ऑप्शन्स के चुनै छी। |
06:40 | आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू। |
06:42 | इ हमरा लोकिन वापस “Sheet 1” पर ल जाएत। |
06:45 | आब “Sheet 1” मे किछु डेटा एंटर करै छी। |
06:49 | उदाहरणकस्वरूप, “F12” सेल मे, हमसब “This will be displayed on
multiple sheets” टाइप करब। |
06:57 | आब एक क बाद एक “Sheet 2” आ “Sheet 3” टैब पर क्लिक करू। |
07:02 | हमसब देखब जे प्रत्येक शीट्सक “F12” सेल में समान डेटा अछि। |
07:09 | बदलाव सबके अंडू करइ छी। |
07:12 | आगू हम ओ सब तरीका सीखब, जै स हमसब सेल्स मे डेटा डिलीट आ एडिट क सकै छी। |
07:18 | सेलक कोनो फॉर्मेट के हटाएल बिना डेटा के डिलीट करबाक लेल मात्र सेल के चुनू। |
07:25 | अहाँ देखब जे सेलक डेटा “Input line” फील्ड मे दिखाई देइत अछि। |
07:30 | आब की बोर्ड पर “Backspace” बटन प्रेस करू। |
07:35 | अहाँ देखब जे डेटा डिलीट भ गेल अछि। |
07:37 | बदलावसब के अंडू करू। |
07:39 | सेल मे डेटा बदलक’ लेल सेल के चुनू आ पुरान डेटाक' ऊपरे टाइप करू। |
07:46 | नब डेटा मूल फॉर्मेटिंग के बनाक’ रखत । बदलावसब के अंडू करू। |
07:52 | सेल मे पूर्ण कन्टेंट के हटैने बिन, डेटाक भाग बदलक लेल मात्र सेल पर
डबल क्लिक करू। |
08:01 | आब कर्सरक मदद सँ अहाँ अपन आवश्यकतानुसार सेल के एडिट क सकैत छी। |
08:07 | बदलावसब के अंडू करू। |
08:09 | आब हम लिबर ऑफिस Calc पर स्पोकन ट्यूटोरियलक अंत मे आब गेल अछि। |
08:15 | संक्षेप मे, हम सब निम्नक बारे मे सीखलौ- |
08:17 | फिल टूल्स आ सिलेक्सन लिस्ट्सक उपयोग कके गति बढाएब। |
08:20 | शीट्स मेकन्टेंट बाँटब। |
08:23 | डेटा हटाएब, डेटा के बदलब, डेटाक’ भाग बदलब। |
08:29 | निम्न लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू। |
08:32 | इ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांशित करैत अछि। |
08:35 | ज् अहाँक पास बढ़िया बैंडविड्थ नइ होएत त अहाँ एकरा डाउनलोड कके देख सकै छी। |
08:40 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम- |
08:43 | स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग कके कार्यशालाएँ सेहो चलाबैत छथि। |
08:46 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार प्रतिभागी के प्रमाण-पत्र सेहो देल जाएत छैन । |
08:49 | बेसि जानकारीक लेल कृपया contact@spoken hyphen tutorial dot org पर संपर्क करू। |
08:55 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थिक। |
09:00 | इ भारत सरकारक एमएचआरडी क “आईसीटी'क माध्यम सँ राष्ट्रीय साक्षरता
मिशन” द्वारा समर्थित अछि। |
09:07 | अहि मिशन पर बेसि जानकारीक लेल उपलब्ध लिंक पर संपर्क करू । |
09:11 | *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro |
09:18 | इ स्क्रिप्ट स्मिता कुमारी द्वारा अनुवादित अछि। आई.आई.टी.बॉम्बेक
ओर सँ हम संकेत कुमार झा आब अहाँ सँ विदा लैत छी। हमरा सँ जुड़'क लेल धन्यवाद|} |