LibreOffice-Suite-Calc/C2/Introduction-to-LibreOffice-Calc/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 10:52, 23 January 2018 by Sanket7 (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:00 लिबर ऑफिस Calc परिचयक अहि स्पोकन ट्यूटोरियल में स्वागत अइछ ।
00:06 अहि ट्यूटोरियल में हमरालोकिन सीखब ।
00:08 लिबर ऑफिस Calc क परिचय।
00:12 लिबर ऑफिस Calc क विविध टूलबार्स ।
00:16 Calc में कोनो नब डॉक्युमेंट शुरू केना करब
00:18 पहिलुका डॉक्युमेंट के ओपन केना करब।
00:21 Calc में डॉक्युमेंट केना सेव क क बंद करब ।
00:26 लिबर ऑफिस Calc लिबर ऑफिस सूटक स्प्रैडशीट होइ छै।
00:32 जेना राइटर शाब्दिक इंफॉर्मेशन पर विशेष रूप स काज करैत छै तहिना स्प्रैडशीट आंकिक इंफॉर्मेशन पर विषेस रूप स काज करैत छै ।
00:40 एकरा एगो एहन सॉफ्टवेयर कहि सकै छी जे अंकक भाषा के लेल छै।
00:44 ई माइक्रोसॉफ्ट ऑफिस सूटक माइक्रोसॉफ्ट एक्सेल के समान छै।
00:49 ई मुफ्त आ ओपन सोर्स सॉफ्टवेयर छै अतए एकरा उनमुक्त रूप स कॉपी, इस्तेमाल आ बटवारा कैल जा सकै छै
00:57 लिबर ऑफिस सूट के शुरू करई क लेल आहाँ माइक्रोसॉफ्ट विंडोज 2000 या एकर उन्नत संस्करण जेना MS Windows XP या MS Windows 7क उपयोग क सकै छी या आहाँ अपना ऑपरेटिंग सिस्टम के रूप में GNU/Linux क उपयोग क सकै छी।
01:14 एत हमरालोकनिक उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबरऑफिस वर्जन 3.3.4 के ऑपरेटिंग सिस्टम उपयोग क रहल छी।


01:26 यदि आहाँक लग लिबर ऑफिस सूट installed नै होई त सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक उपयोग क क calc  installed कैल जा सकै छै।
01:35 सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक विशेष खबरि हेतु अहि वेबसाइट स उबंटु लिनक्स ट्यूटोरियल्स पर जैल जाऊ आ अहि वेबसाइट पर देल गेल अनुदेशक अनुकरण क क लिबर ऑफिस सूट डाउनलोड कैल जाऊ।
01:50 लिबर ऑफिस सूटक प्रथम ट्यूटोरियल में विशेष सूचना लभ्य छै ।
01:56 ई सुमिरन राखब जे, Calc क “Complete” installation करैक छै।
02:01 यदि आहाँक लग लिबर ऑफिस सूट पहिने स installed हुए त, आहाँ स्क्रीनक उपरका बायां भाग में “Applications” ऑप्शन पर क्लिक कsक “Office” आ त “LibreOffice” ऑप्शन पर क्लिक क क लिबर ऑफिस Calc प्राप्त करब।
02:17 लिबर ऑफिसक घटक सब के संग एकटा नब डायलॉग बॉक्स खुलत।
02:22 लिबर ऑफिस Calc पर जेबा क लेल नबका डायलॉग बॉक्स में “Spreadsheet” घटक पर क्लिक करू।
02:30 अहि स मुख्य Calc विंडो में एगो खाली डॉक्युमेंट खुजत।
02:35 आब अपना सब Calc विंडो क मुख्य घटक सब के बारे में सीखू।
02:40 Calc मे डॉक्युमेंट क वर्कबुक कहल जाइ छै। एकटा वर्कबुक में स्प्रैडशीट नाऔं के अनेक शीट होई छै।
02:48 प्रत्येक स्प्रैडशीट मे सेल्स होईत छै जे rows आ columns में रहैत अछि। सब रो क संख्या स आओर सब कॉलम क अक्षर स पहचानल जैत छै।
02:58 एकटा विशेष सेल, जे रो और कॉलमक इन्टर्सेक्शन बताबैत अछि तकर पहचान ओकरा रो संख्या आ कॉलम अक्षर स होइत छै।.
03:09 सेल्स सब टेक्स्ट, संख्या, फार्मूला आ बहुतेरे data elements प्रदर्शन आ इस्तेमालक लेल रैख सकैत छैथ ।
03:18 प्रत्येक स्प्रैडशीट म अनेको शीट्स भ सकै छै आओर प्रत्येक शीट में दस लाख स किछु बेसी रोज आ एक हजार कॉलम्स भ सकैत छै। ई हमरालोकनिक एकटा शीट में एक अरब स बेसी या सौ करोड़ सेल्स दैत अछि।
03:33 Calc विंडो में अनेको टूलबार्स होई छै जेना टाइटल बार, मेन्यू बार, स्टैंडर्ड बार, फॉर्मेटिंग बार,फॉर्मुला बार आ स्टेटस बार।
03:45 एई टूलबार्स सब के अलहदा, ऊप्पर में “Name box” आ “Input line” नामक दूगो आरो फील्डस छै।
03:54 टूलबार्स सबमें सबसे बेसी उपयोग होई बला options रहैत छै जे हमसब आगू क ट्यूटोरियल्स में सीखब।
04:02 आब आहाँ स्प्रैडशीटक बाया कात में “Sheet1”, “Sheet 2” आ “Sheet 3” नामक तीनटा शीट टैब्स देख सकैत छी।


04:13 अहि में से प्रत्येक tab एकांकी sheet पर ल जैत अछि आ दृश्य शीटक tab उज्जर होई छै।
04:21 दोसर शीट टैब पर क्लिक केला स उ विशेष शीट देखैत अछि आ ओकर टैब उज्जर भ जैत छै।
04:28 जत ग्रीडक फॉर्म में विविध सेल्स युक्त डेटा एंटर होई छै उ स्प्रैडशीटक मुख्य भाग छी। कॉलम आओर रो के इंटर्सेक्शन पर एकांकी सेल होइत छै।
04:41 कॉलम्स क टॉप में आओर रोज के बायांक आखिर में अक्षर आ नम्बर्स युक्त ग्रै बॉक्सेस सबहक श्रृंखला छै। इ सभ कॉलम आ रो क हेडर्स छैथ।
04:53 कॉलम “A” स शुरू होई छै आ दाहिना जैत छै, तहिना रोज “1” स शुरू भ क नीचा के तरफ जैत छै, ।
05:01 ई कॉलम आ रो हैडर्स सेल संदर्भ बनाबैत छैथ जे “Name Box” फील्ड म दखाई छै।
05:07 Calc क विविध घटक सब के सीखलाक बाद आब हम सीखब जे लिबर ऑफिस Calc में नब डॉक्युमेंट केना ओपन कएल जे।
05:17 आहाँ स्टैंडर्ड टूलबार में “New” आइकन पर क्लिक क क या मेन्यू बार में “File” ऑप्शन पर क्लिक क क आ फेर “New” ऑप्शन पर क्लिक क क आ आखिर मे “Spreadsheet” ऑप्शन पर क्लिक क क नब डॉक्युमेंट ओपन क सकै छी।
05:33 आहाँ देख सकै छी जे दुनू प्रकारेण नब Calc विंडो ओपन होई छै।
05:39 आब हम सब सीखब जे स्प्रैडशीट में “Personal Finance Tracker” केना बनाबी।
05:45 चलू देखै छी जे स्प्रैडशीट में किछु सेल्स में डेटा केना एंटर कएल जाएत।
05:50 अहि लेल स्प्रैडशीटक पहिला शीट में A1 नामक सेल पर क्लिक करु।
05:56 चलू हमसब “SN” हैडिंग टाइप करै छी जे स्प्रैडशीट में प्रदर्शित हुअ बला आइटम के क्रम संख्या बतैत
06:05 आब B1 नामक सेल पर क्लिक करु आ कोनो दोसर हैडिंग “Item” टाइप करु।
06:11 सभटा आइटमक नाम जकरा हमसब स्प्रैडशीट में उपयोग करब अहि हैडिंग में आइत।
06:18 अहि प्रकारे, एकsक बाद एक C1, D1, E1, F1 आ G1 सेल्स पर क्लिक करु आ क्रमानुसार “Cost”, “Spent”, “Received”, “Date” और “Account” हैडिंग लिखू।
06:33 हमसब अहिसब columns में बाद में डेटा इंसर्ट करब।
06:39 एक बेर स्प्रैडशीट पर लिखला क बाद एकरा भविष्य में उपयोगक लेल save क लेबाक चाहि।
06:44 अहि फाइल क सेव करै के लेल मेन्यू बार में “File” पर क्लिक करु आ त “Save As” ऑप्शन पर क्लिक करु।
06:51 स्क्रीन पर एकटा डायलॉग बॉक्स दखाई परत जत आहाँक “Name” फील्ड में अपन फाइलक नाम एंटर करब आवश्यक छै।
06:59 त “Personal Finance Tracker” फाइल नाम एंटर करु।
07:04 “Name” फील्डक नीचा आहाँ क पास “Save in folder” फील्ड अछि जत आहाँक ओहि फोल्डरक नाम एंटर करब आवश्यक अछि जत आहाँक फाइल सेव हैत ।
07:14 त “Save in folder” फील्ड में डाउन ऐरो पर क्लिक करू।
07:18 फ़ोल्डर विकल्प सबहक एगो सूची दखाई देत। एत, हम ओहि फ़ोल्डर क चुइन सकै छी जत हमरा अपन फ़ाइल save करबाक अछि।
07:26 हम “Desktop” ऑप्शन पर क्लिक करब |
07:28 फाइल डेस्कटॉप पर सेव हैत।
07:34 आब डायलॉग बॉक्स में “File type” ऑप्शन पर क्लिक करू।
07:37 ई आहाँक फाइल टाइप ऑप्शन्स या फाइल एक्स्टेंशनक सूची दखैत जाहिमें आहाँ अपन फाइल सेव क सकै छी।
07:46 लिबर ऑफिस Calc में डिफॉल्ट रूप स फाइल टाइप “ODF Spreadsheet” होइत छै जे “dot ods” एक्स्टेंशन प्रदान करैत छै।


07:56 ODF क अर्थ ओपन डॉक्युमेंट फॉर्मेट होई छै|
08:01 लिबर ऑफिस Calc में खुल बला dot ods फॉर्मेट में सेव करै क अलावा आहाँ अपना फाइल के dot xml, dot xlsx आओर dot xls फॉर्मेटो में सेहो सेव क सकै छी जे MS Office Excel प्रोग्राम में खुल सकै छै।
08:20 dot csv दोसर प्रचलित फाइल एक्स्टेंशन छै जे बेसितर प्रोग्राम्स में ओपन होइत छै।
08:28 एकर उपयोग प्रायः टेक्स्ट फाइल फॉर्मेट में स्प्रैडशीट डेटा क संचित करवक लेल कएल जैत अछि । एहि स फाइलक साइज बहुत बेसी कम भ जैत अछि आ आसानी से अंतरण होइत अछि।
08:38 हम सब “ODF Spreadsheet” ऑप्शन पर क्लिक करब।
08:43 आहाँ देखब जे “ODF Spreadsheet आ कोष्ठक में , dot ods” फाइल टाइप “File type” ऑप्शनक ठीक आगू प्रदर्शित होई छै।
08:53 “Save” बटन पर क्लिक करू।
08:55 ई आहाँक टाइटल बार पर आहाँक पसंदक फाइलनेम आ एक्स्टेंशन क संग Calc विंडो पर वापस ल जैत अछि।
09:03 उपरका चर्चित फॉर्मेट्स सब क आलावा स्प्रैडशीट “dot html” फॉर्मेट मे सेहो सेव कएल जा सकैत छै। जे वेब पेज फॉर्मेट छै।
09:13 ई ओहिना कएल जैत अछि जेना पहिने व्याख्या भेल।
09:18 त मेन्यू बार में “File” ऑप्शन पर क्लिक करू, आ फेर “Save As” ऑप्शन पर क्लिक करू
09:24 आब ”File Type” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “HTML Document और ब्रेसेस के भीतर पर OpenOffice dot org Calc” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
09:36 ई ऑप्शन डॉक्युमेंट में “dot html” एक्स्टेंशन दैत छै।
09:41 “Save” बटन पर क्लिक करू।
09:44 आब डायलॉग बॉक्स में “Ask when not saving in ODF format” ऑप्शन क चुनू।
09:50 अंत में “Keep Current Format” ऑप्शन पर क्लिक करू।
09:54 आहाँ देखब जे dot html एक्स्टेंशन में डॉक्युमेंट सेव भ गेल अछि |
10:00 अहि फॉर्मेटक उपयोग तखन कएल जैत अछि, जखन हम अपन स्प्रैडशीट क वेब पेज के रूप में दखाब चाहै छी। जकरा वेब ब्राउजर प्रोग्राम स ओपन कएल जा सकैत अछि।
10:10 डॉक्युमेंटक स्टैंडर्ड टूल बार में “Export Directly as PDF” ऑप्शन पर क्लिक कsक PDF फॉर्मेट में एक्सपोर्ट कएल जा सकैत छै।
10:20 पहिलुका जेका जगहक चुनाव क लिय, जत आहाँ सेव कर चाहै छी।
10:24 एकांतर में आहाँ मेन्यू बार में “File” ऑप्शन पर क्लिक कsक आ फेर “Export as pdf” ऑप्शन पर क्लिक कsक सेहो ई क सकैत छी।
10:33 दखाई देब बला डायलॉग बॉक्स में “Export” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Save” बटन पर क्लिक करू।
10:40 एगो pdf फाइल बनत।
10:44 चलू File आ फेर Close पर क्लिक कsक एहि डॉक्युमेंट के बंद कैल जे।
10:50 आगू हम सीखब जे लिबर ऑफिस Calc में विद्यमान डॉक्युमेंट क केना ओपन कैल जे।
10:56 विद्यमान डॉक्युमेंट क ओपन करबा क लेल सबस ऊपर मेन्यू बार में “File” मेन्यू पर क्लिक करू आ फेर “Open” ऑप्शन पर क्लिक करू।
11:06 स्क्रीन पर एकटा डायलॉग बॉक्स आबैत अछि।
11:09 एत उ फोल्डर ताकू जत आहाँ अपन डॉक्युमेंट सेव केने छी।
11:14 त आब डायलॉग बॉक्सक बायां कात में small pencil बटन पर क्लिक करू। एत “Type a file name” छै।
11:23 ई “Location Bar” फील्ड के ओपन करै छै।
11:25 एत जाहि फाइल क ताकि रहल छी तकर नाम टाइप करू।
11:30 त हमसब फाइलक नाम “Personal Finance Tracker” टाइप करैत छी।
11:35 आब दखाई देब बला फाइल नेम्स क सूची में स “Personal Finance Tracker dot ods” चुनू।
11:43 आब “Open” बटन पर क्लिक करू।
11:45 आहाँ देखब जे फाइल Personal Finance Tracker.ods ओपन भ जैत छै।
11:51 एकांतर रूप स, सब स ऊपर टूलबार में “Open” आइकन पर क्लिक कsक आ आगू बला प्रक्रिया ओहि तरहे कsक आहाँ विद्यमान फाइल क ओपन क सकैत छी।
12:02 आहाँ फाइल्स सब क “dot xls” और “dot xlsx” एक्स्टेंशन में सेहो ओपन क सकैत छी। जे Calc में Microsoft Excel में उपयोग होइत अछि।
12:13 आगू आहाँ देखब जे विद्यमान फाइल क modify केला क बाद ओहि नाम स save केना कैल जै।
12:20 चलू हमसब फाइल क हैडिंग्स क font size बढ़ा क आ bold कsक एकरा modify करै छी |
12:26 त पहिले सेल A1 पर क्लिक करू आ माउसक बायां बटन पर क्लिक कsक “SN”, “Cost”, “Spent”, “Received”, “Date” और “Account” हैडिंग्स चुनू आ फेर अहि सब हैडिंग्स क संगे ड्रैग करू।
12:42 ई टेक्स्ट क चुनत आ ओकरा उद्भासित करत। आब बायां माउसक बटन छोइड़ दियो। टेक्स्ट एखनो उद्भासित रहई क चाही। आब स्टैंडर्ड टूलबार में “Bold” आइकन पर क्लिक करू ।
12:56 अहि प्रकारेण हैडिंग्स बोल्ड भ जैत छै।
12:59 आब चलू हैडिंग्स क फॉन्ट साइज बढाबई छी।
13:03 त हैडिंग्स क चुनू आ फेर टूलबार में “Font Size” फील्ड पर क्लिक करू।
13:09 ड्रॉप डाउन मेन्यू में “14” चुनू।
13:13 त आहाँ देखब जे हैडिंग्स क फॉन्ट साइज बैढ गेलई ।
13:17 आब अपना सब अपन font style बदलई छी।
13:21 त “Font Name” फील्ड में डाउन ऐरो पर क्लिक करू आ फेर “Bitstream Charter” फॉन्ट नेम चुनू।
13:31 इष्ट बदलाव केला क बाद, “Save” आइकन पर क्लिक करू।
13:36 जखने आहाँ डॉक्युमेंट सेव क दलिए आ एकरा बंद कर चाहै छी , त केवल मेन्यू बार में “File” मेन्यू पर क्लिक करू आ फेर “Close” ऑप्शन पर क्लिक करू।
13:46 अहिस आहाँक फाइल बंद भ जैत अछि।
13:50 आब हमसब लिबर ऑफिस Calc पर स्पोकन ट्यूटोरियलक समापन क तरफ छी।
13:54 संछेप में हमसब सिखलऊ जे।
13:57 लिबर ऑफिस Calc क परिचय।
14:01 लिबर ऑफिस Calc क विविध टूलबार्स ।
14:04 Calc में कोनो नब डॉक्युमेंट शुरू केना करब।
14:07 पहिलुका डॉक्युमेंट के ओपन केना करब।
14:10 Calc में डॉक्युमेंट केना सेव कsक बंद करब ।
14:14 वृहत काज- Calc में कोनो नब डॉक्युमेंट शुरू कर
14:20 “Spreadsheet Practice.ods” नाम स एकरा सेव करू।
14:25 “Serial number”, “Name”, “Department” आ “Salary” इ सब हैडिंग्स लिखू।
14:31 हैडिंग्स क underline करू।हैडिंग्स क फॉन्ट साइज 16 तक बढ़ाबू। फाइल क बंद करू।
14:39 देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ
14:42 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थि‍क।
14:45 यदि आहाँके पास नीक बैंडविड्थ नै अछि त आहाँ एकरा डाउनलोड कsक देख सकैत छी
14:49 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम
14:52 स्पोकन ट्यूटोरियल क उपयोग कsक कार्यशाला सेहो चलबैत छथि
14:59 ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हार प्रति‍भागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि‍।
15:05 अधिक जानकारी लेल, कृपया contact at spoken hyphen tutorial dot org पर सम्पमर्क करी।
15:10 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक,एम एच आर डीकNMEICTद्वारा समर्थित अछि‍।
15:17 अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक
15:21 spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro पर उपलब्ध अछि ।
15:28 अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Sanket7