LibreOffice-Suite-Calc/C2/Introduction-to-LibreOffice-Calc/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Time | Narration |
00:00 | लिबर ऑफिस Calc परिचयक अहि स्पोकन ट्यूटोरियल में स्वागत अइछ । |
00:06 | अहि ट्यूटोरियल में हमरालोकिन सीखब । |
00:08 | लिबर ऑफिस Calc क परिचय। |
00:12 | लिबर ऑफिस Calc क विविध टूलबार्स । |
00:16 | Calc में कोनो नब डॉक्युमेंट शुरू केना करब |
00:18 | पहिलुका डॉक्युमेंट के ओपन केना करब। |
00:21 | Calc में डॉक्युमेंट केना सेव क क बंद करब । |
00:26 | लिबर ऑफिस Calc लिबर ऑफिस सूटक स्प्रैडशीट होइ छै। |
00:32 | जेना राइटर शाब्दिक इंफॉर्मेशन पर विशेष रूप स काज करैत छै तहिना स्प्रैडशीट आंकिक इंफॉर्मेशन पर विषेस रूप स काज करैत छै । |
00:40 | एकरा एगो एहन सॉफ्टवेयर कहि सकै छी जे अंकक भाषा के लेल छै। |
00:44 | ई माइक्रोसॉफ्ट ऑफिस सूटक माइक्रोसॉफ्ट एक्सेल के समान छै। |
00:49 | ई मुफ्त आ ओपन सोर्स सॉफ्टवेयर छै अतए एकरा उनमुक्त रूप स कॉपी, इस्तेमाल आ बटवारा कैल जा सकै छै |
00:57 | लिबर ऑफिस सूट के शुरू करई क लेल आहाँ माइक्रोसॉफ्ट विंडोज 2000 या एकर उन्नत संस्करण जेना MS Windows XP या MS Windows 7क उपयोग क सकै छी या आहाँ अपना ऑपरेटिंग सिस्टम के रूप में GNU/Linux क उपयोग क सकै छी। |
01:14 | एत हमरालोकनिक उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबरऑफिस वर्जन 3.3.4 के ऑपरेटिंग सिस्टम उपयोग क रहल छी।
|
01:26 | यदि आहाँक लग लिबर ऑफिस सूट installed नै होई त सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक उपयोग क क calc installed कैल जा सकै छै। |
01:35 | सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक विशेष खबरि हेतु अहि वेबसाइट स उबंटु लिनक्स ट्यूटोरियल्स पर जैल जाऊ आ अहि वेबसाइट पर देल गेल अनुदेशक अनुकरण क क लिबर ऑफिस सूट डाउनलोड कैल जाऊ। |
01:50 | लिबर ऑफिस सूटक प्रथम ट्यूटोरियल में विशेष सूचना लभ्य छै । |
01:56 | ई सुमिरन राखब जे, Calc क “Complete” installation करैक छै। |
02:01 | यदि आहाँक लग लिबर ऑफिस सूट पहिने स installed हुए त, आहाँ स्क्रीनक उपरका बायां भाग में “Applications” ऑप्शन पर क्लिक कsक “Office” आ त “LibreOffice” ऑप्शन पर क्लिक क क लिबर ऑफिस Calc प्राप्त करब। |
02:17 | लिबर ऑफिसक घटक सब के संग एकटा नब डायलॉग बॉक्स खुलत। |
02:22 | लिबर ऑफिस Calc पर जेबा क लेल नबका डायलॉग बॉक्स में “Spreadsheet” घटक पर क्लिक करू। |
02:30 | अहि स मुख्य Calc विंडो में एगो खाली डॉक्युमेंट खुजत। |
02:35 | आब अपना सब Calc विंडो क मुख्य घटक सब के बारे में सीखू। |
02:40 | Calc मे डॉक्युमेंट क वर्कबुक कहल जाइ छै। एकटा वर्कबुक में स्प्रैडशीट नाऔं के अनेक शीट होई छै। |
02:48 | प्रत्येक स्प्रैडशीट मे सेल्स होईत छै जे rows आ columns में रहैत अछि। सब रो क संख्या स आओर सब कॉलम क अक्षर स पहचानल जैत छै। |
02:58 | एकटा विशेष सेल, जे रो और कॉलमक इन्टर्सेक्शन बताबैत अछि तकर पहचान ओकरा रो संख्या आ कॉलम अक्षर स होइत छै।. |
03:09 | सेल्स सब टेक्स्ट, संख्या, फार्मूला आ बहुतेरे data elements प्रदर्शन आ इस्तेमालक लेल रैख सकैत छैथ । |
03:18 | प्रत्येक स्प्रैडशीट म अनेको शीट्स भ सकै छै आओर प्रत्येक शीट में दस लाख स किछु बेसी रोज आ एक हजार कॉलम्स भ सकैत छै। ई हमरालोकनिक एकटा शीट में एक अरब स बेसी या सौ करोड़ सेल्स दैत अछि। |
03:33 | Calc विंडो में अनेको टूलबार्स होई छै जेना टाइटल बार, मेन्यू बार, स्टैंडर्ड बार, फॉर्मेटिंग बार,फॉर्मुला बार आ स्टेटस बार। |
03:45 | एई टूलबार्स सब के अलहदा, ऊप्पर में “Name box” आ “Input line” नामक दूगो आरो फील्डस छै। |
03:54 | टूलबार्स सबमें सबसे बेसी उपयोग होई बला options रहैत छै जे हमसब आगू क ट्यूटोरियल्स में सीखब। |
04:02 | आब आहाँ स्प्रैडशीटक बाया कात में “Sheet1”, “Sheet 2” आ “Sheet 3” नामक तीनटा शीट टैब्स देख सकैत छी।
|
04:13 | अहि में से प्रत्येक tab एकांकी sheet पर ल जैत अछि आ दृश्य शीटक tab उज्जर होई छै। |
04:21 | दोसर शीट टैब पर क्लिक केला स उ विशेष शीट देखैत अछि आ ओकर टैब उज्जर भ जैत छै। |
04:28 | जत ग्रीडक फॉर्म में विविध सेल्स युक्त डेटा एंटर होई छै उ स्प्रैडशीटक मुख्य भाग छी। कॉलम आओर रो के इंटर्सेक्शन पर एकांकी सेल होइत छै। |
04:41 | कॉलम्स क टॉप में आओर रोज के बायांक आखिर में अक्षर आ नम्बर्स युक्त ग्रै बॉक्सेस सबहक श्रृंखला छै। इ सभ कॉलम आ रो क हेडर्स छैथ। |
04:53 | कॉलम “A” स शुरू होई छै आ दाहिना जैत छै, तहिना रोज “1” स शुरू भ क नीचा के तरफ जैत छै, । |
05:01 | ई कॉलम आ रो हैडर्स सेल संदर्भ बनाबैत छैथ जे “Name Box” फील्ड म दखाई छै। |
05:07 | Calc क विविध घटक सब के सीखलाक बाद आब हम सीखब जे लिबर ऑफिस Calc में नब डॉक्युमेंट केना ओपन कएल जे। |
05:17 | आहाँ स्टैंडर्ड टूलबार में “New” आइकन पर क्लिक क क या मेन्यू बार में “File” ऑप्शन पर क्लिक क क आ फेर “New” ऑप्शन पर क्लिक क क आ आखिर मे “Spreadsheet” ऑप्शन पर क्लिक क क नब डॉक्युमेंट ओपन क सकै छी। |
05:33 | आहाँ देख सकै छी जे दुनू प्रकारेण नब Calc विंडो ओपन होई छै। |
05:39 | आब हम सब सीखब जे स्प्रैडशीट में “Personal Finance Tracker” केना बनाबी। |
05:45 | चलू देखै छी जे स्प्रैडशीट में किछु सेल्स में डेटा केना एंटर कएल जाएत। |
05:50 | अहि लेल स्प्रैडशीटक पहिला शीट में A1 नामक सेल पर क्लिक करु। |
05:56 | चलू हमसब “SN” हैडिंग टाइप करै छी जे स्प्रैडशीट में प्रदर्शित हुअ बला आइटम के क्रम संख्या बतैत |
06:05 | आब B1 नामक सेल पर क्लिक करु आ कोनो दोसर हैडिंग “Item” टाइप करु। |
06:11 | सभटा आइटमक नाम जकरा हमसब स्प्रैडशीट में उपयोग करब अहि हैडिंग में आइत। |
06:18 | अहि प्रकारे, एकsक बाद एक C1, D1, E1, F1 आ G1 सेल्स पर क्लिक करु आ क्रमानुसार “Cost”, “Spent”, “Received”, “Date” और “Account” हैडिंग लिखू। |
06:33 | हमसब अहिसब columns में बाद में डेटा इंसर्ट करब। |
06:39 | एक बेर स्प्रैडशीट पर लिखला क बाद एकरा भविष्य में उपयोगक लेल save क लेबाक चाहि। |
06:44 | अहि फाइल क सेव करै के लेल मेन्यू बार में “File” पर क्लिक करु आ त “Save As” ऑप्शन पर क्लिक करु। |
06:51 | स्क्रीन पर एकटा डायलॉग बॉक्स दखाई परत जत आहाँक “Name” फील्ड में अपन फाइलक नाम एंटर करब आवश्यक छै। |
06:59 | त “Personal Finance Tracker” फाइल नाम एंटर करु। |
07:04 | “Name” फील्डक नीचा आहाँ क पास “Save in folder” फील्ड अछि जत आहाँक ओहि फोल्डरक नाम एंटर करब आवश्यक अछि जत आहाँक फाइल सेव हैत । |
07:14 | त “Save in folder” फील्ड में डाउन ऐरो पर क्लिक करू। |
07:18 | फ़ोल्डर विकल्प सबहक एगो सूची दखाई देत। एत, हम ओहि फ़ोल्डर क चुइन सकै छी जत हमरा अपन फ़ाइल save करबाक अछि। |
07:26 | हम “Desktop” ऑप्शन पर क्लिक करब | |
07:28 | फाइल डेस्कटॉप पर सेव हैत। |
07:34 | आब डायलॉग बॉक्स में “File type” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
07:37 | ई आहाँक फाइल टाइप ऑप्शन्स या फाइल एक्स्टेंशनक सूची दखैत जाहिमें आहाँ अपन फाइल सेव क सकै छी। |
07:46 | लिबर ऑफिस Calc में डिफॉल्ट रूप स फाइल टाइप “ODF Spreadsheet” होइत छै जे “dot ods” एक्स्टेंशन प्रदान करैत छै।
|
07:56 | ODF क अर्थ ओपन डॉक्युमेंट फॉर्मेट होई छै| |
08:01 | लिबर ऑफिस Calc में खुल बला dot ods फॉर्मेट में सेव करै क अलावा आहाँ अपना फाइल के dot xml, dot xlsx आओर dot xls फॉर्मेटो में सेहो सेव क सकै छी जे MS Office Excel प्रोग्राम में खुल सकै छै। |
08:20 | dot csv दोसर प्रचलित फाइल एक्स्टेंशन छै जे बेसितर प्रोग्राम्स में ओपन होइत छै। |
08:28 | एकर उपयोग प्रायः टेक्स्ट फाइल फॉर्मेट में स्प्रैडशीट डेटा क संचित करवक लेल कएल जैत अछि । एहि स फाइलक साइज बहुत बेसी कम भ जैत अछि आ आसानी से अंतरण होइत अछि। |
08:38 | हम सब “ODF Spreadsheet” ऑप्शन पर क्लिक करब। |
08:43 | आहाँ देखब जे “ODF Spreadsheet आ कोष्ठक में , dot ods” फाइल टाइप “File type” ऑप्शनक ठीक आगू प्रदर्शित होई छै। |
08:53 | “Save” बटन पर क्लिक करू। |
08:55 | ई आहाँक टाइटल बार पर आहाँक पसंदक फाइलनेम आ एक्स्टेंशन क संग Calc विंडो पर वापस ल जैत अछि। |
09:03 | उपरका चर्चित फॉर्मेट्स सब क आलावा स्प्रैडशीट “dot html” फॉर्मेट मे सेहो सेव कएल जा सकैत छै। जे वेब पेज फॉर्मेट छै। |
09:13 | ई ओहिना कएल जैत अछि जेना पहिने व्याख्या भेल। |
09:18 | त मेन्यू बार में “File” ऑप्शन पर क्लिक करू, आ फेर “Save As” ऑप्शन पर क्लिक करू |
09:24 | आब ”File Type” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “HTML Document और ब्रेसेस के भीतर पर OpenOffice dot org Calc” ऑप्शन पर क्लिक करू । |
09:36 | ई ऑप्शन डॉक्युमेंट में “dot html” एक्स्टेंशन दैत छै। |
09:41 | “Save” बटन पर क्लिक करू। |
09:44 | आब डायलॉग बॉक्स में “Ask when not saving in ODF format” ऑप्शन क चुनू। |
09:50 | अंत में “Keep Current Format” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
09:54 | आहाँ देखब जे dot html एक्स्टेंशन में डॉक्युमेंट सेव भ गेल अछि | |
10:00 | अहि फॉर्मेटक उपयोग तखन कएल जैत अछि, जखन हम अपन स्प्रैडशीट क वेब पेज के रूप में दखाब चाहै छी। जकरा वेब ब्राउजर प्रोग्राम स ओपन कएल जा सकैत अछि। |
10:10 | डॉक्युमेंटक स्टैंडर्ड टूल बार में “Export Directly as PDF” ऑप्शन पर क्लिक कsक PDF फॉर्मेट में एक्सपोर्ट कएल जा सकैत छै। |
10:20 | पहिलुका जेका जगहक चुनाव क लिय, जत आहाँ सेव कर चाहै छी। |
10:24 | एकांतर में आहाँ मेन्यू बार में “File” ऑप्शन पर क्लिक कsक आ फेर “Export as pdf” ऑप्शन पर क्लिक कsक सेहो ई क सकैत छी। |
10:33 | दखाई देब बला डायलॉग बॉक्स में “Export” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Save” बटन पर क्लिक करू। |
10:40 | एगो pdf फाइल बनत। |
10:44 | चलू File आ फेर Close पर क्लिक कsक एहि डॉक्युमेंट के बंद कैल जे। |
10:50 | आगू हम सीखब जे लिबर ऑफिस Calc में विद्यमान डॉक्युमेंट क केना ओपन कैल जे। |
10:56 | विद्यमान डॉक्युमेंट क ओपन करबा क लेल सबस ऊपर मेन्यू बार में “File” मेन्यू पर क्लिक करू आ फेर “Open” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
11:06 | स्क्रीन पर एकटा डायलॉग बॉक्स आबैत अछि। |
11:09 | एत उ फोल्डर ताकू जत आहाँ अपन डॉक्युमेंट सेव केने छी। |
11:14 | त आब डायलॉग बॉक्सक बायां कात में small pencil बटन पर क्लिक करू। एत “Type a file name” छै। |
11:23 | ई “Location Bar” फील्ड के ओपन करै छै। |
11:25 | एत जाहि फाइल क ताकि रहल छी तकर नाम टाइप करू। |
11:30 | त हमसब फाइलक नाम “Personal Finance Tracker” टाइप करैत छी। |
11:35 | आब दखाई देब बला फाइल नेम्स क सूची में स “Personal Finance Tracker dot ods” चुनू। |
11:43 | आब “Open” बटन पर क्लिक करू। |
11:45 | आहाँ देखब जे फाइल Personal Finance Tracker.ods ओपन भ जैत छै। |
11:51 | एकांतर रूप स, सब स ऊपर टूलबार में “Open” आइकन पर क्लिक कsक आ आगू बला प्रक्रिया ओहि तरहे कsक आहाँ विद्यमान फाइल क ओपन क सकैत छी। |
12:02 | आहाँ फाइल्स सब क “dot xls” और “dot xlsx” एक्स्टेंशन में सेहो ओपन क सकैत छी। जे Calc में Microsoft Excel में उपयोग होइत अछि। |
12:13 | आगू आहाँ देखब जे विद्यमान फाइल क modify केला क बाद ओहि नाम स save केना कैल जै। |
12:20 | चलू हमसब फाइल क हैडिंग्स क font size बढ़ा क आ bold कsक एकरा modify करै छी | |
12:26 | त पहिले सेल A1 पर क्लिक करू आ माउसक बायां बटन पर क्लिक कsक “SN”, “Cost”, “Spent”, “Received”, “Date” और “Account” हैडिंग्स चुनू आ फेर अहि सब हैडिंग्स क संगे ड्रैग करू। |
12:42 | ई टेक्स्ट क चुनत आ ओकरा उद्भासित करत। आब बायां माउसक बटन छोइड़ दियो। टेक्स्ट एखनो उद्भासित रहई क चाही। आब स्टैंडर्ड टूलबार में “Bold” आइकन पर क्लिक करू । |
12:56 | अहि प्रकारेण हैडिंग्स बोल्ड भ जैत छै। |
12:59 | आब चलू हैडिंग्स क फॉन्ट साइज बढाबई छी। |
13:03 | त हैडिंग्स क चुनू आ फेर टूलबार में “Font Size” फील्ड पर क्लिक करू। |
13:09 | ड्रॉप डाउन मेन्यू में “14” चुनू। |
13:13 | त आहाँ देखब जे हैडिंग्स क फॉन्ट साइज बैढ गेलई । |
13:17 | आब अपना सब अपन font style बदलई छी। |
13:21 | त “Font Name” फील्ड में डाउन ऐरो पर क्लिक करू आ फेर “Bitstream Charter” फॉन्ट नेम चुनू। |
13:31 | इष्ट बदलाव केला क बाद, “Save” आइकन पर क्लिक करू। |
13:36 | जखने आहाँ डॉक्युमेंट सेव क दलिए आ एकरा बंद कर चाहै छी , त केवल मेन्यू बार में “File” मेन्यू पर क्लिक करू आ फेर “Close” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
13:46 | अहिस आहाँक फाइल बंद भ जैत अछि। |
13:50 | आब हमसब लिबर ऑफिस Calc पर स्पोकन ट्यूटोरियलक समापन क तरफ छी। |
13:54 | संछेप में हमसब सिखलऊ जे। |
13:57 | लिबर ऑफिस Calc क परिचय। |
14:01 | लिबर ऑफिस Calc क विविध टूलबार्स । |
14:04 | Calc में कोनो नब डॉक्युमेंट शुरू केना करब। |
14:07 | पहिलुका डॉक्युमेंट के ओपन केना करब। |
14:10 | Calc में डॉक्युमेंट केना सेव कsक बंद करब । |
14:14 | वृहत काज- Calc में कोनो नब डॉक्युमेंट शुरू कर |
14:20 | “Spreadsheet Practice.ods” नाम स एकरा सेव करू। |
14:25 | “Serial number”, “Name”, “Department” आ “Salary” इ सब हैडिंग्स लिखू। |
14:31 | हैडिंग्स क underline करू।हैडिंग्स क फॉन्ट साइज 16 तक बढ़ाबू। फाइल क बंद करू। |
14:39 | देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ |
14:42 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थिक। |
14:45 | यदि आहाँके पास नीक बैंडविड्थ नै अछि त आहाँ एकरा डाउनलोड कsक देख सकैत छी |
14:49 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम |
14:52 | स्पोकन ट्यूटोरियल क उपयोग कsक कार्यशाला सेहो चलबैत छथि |
14:59 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार प्रतिभागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि। |
15:05 | अधिक जानकारी लेल, कृपया contact at spoken hyphen tutorial dot org पर सम्पमर्क करी। |
15:10 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक,एम एच आर डीकNMEICTद्वारा समर्थित अछि। |
15:17 | अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक |
15:21 | spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro पर उपलब्ध अछि । |
15:28 | अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद। |