LibreOffice-Suite-Calc/C2/Basic-Data-Manipulation/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 20:42, 1 February 2018 by Smitajha (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search
VISUAL CUE NARRATION
00:00 लिबरऑफिस Calc में शुरुआती डेटा मैनिप्यूलेशन पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियल में आहाँक स्वागत अछि ।
00:07 अहि ट्यूटोरियल में हमसब निम्न क बारे में सीखब।
00:09 फॉर्मुला क मूल आइटम सबहक परिचय।
00:12 कॉलम द्वारा सोर्ट केनै ।
00:15 डेटा फिल्टरक मूल बात ।
00:17 एत हमसब अपने ऑपरेटिंग सिस्टम क रूप में उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबरऑफिस वर्जन 3.3.4 का उपयोग क रहल छी ।
00:27 चलू ट्यूटोरियल क शुरु करै छी आ लिबरऑफिस Calc में उपयोग होब बला शुरुआती फॉर्मुला क बारे में सिखै छी।
00:35 फॉर्मुला समीकरण जेना होई छै जे संख्या आ वेरिएबलक उपयोग क क परिणाम दैत छै।
00:41 स्प्रैडशीट में वेरिएबल्स सेल स्थान थिक जे समीकरण पूरा करै क लेल जरूरी डेटाक रखइत छै।
00:47 सबस शुरुआती अरिथ्मेटिक ऑपरेशन छै एडिशन(addition),सब्ट्रैक्शन(subtraction), मल्टीप्लिकशन(multiplication) आ डिविज़न(division).
00:56 चलू प्रारंभ में अपन “Personal-Finance-Tracker.ods”फाइल ओपन करै छी।
01:02 चलू देखै छी जे अपन “personal finance tracker.ods” फाइल में “Cost” हेडिंग बला खर्च क केना जोड़ब ।
01:13 हमसब “SUM TOTAL” नाऊक हेडिंग “Miscellaneous” क अंतर्गत दैत छी।
01:19 आ हमसब सेल A8 पर क्लिक करै छी आ क्रम संख्या “7” दैत छी।
01:25 आब सेल संख्या “C8” पर क्लिक करै छी जत हमसब कॉस्टक कुल जोड़ दखाब चाहै छी।
01:32 कॉस्ट क जोड़ई क लेल , हमसब टाइप करै छी“= SUM” आ कोष्ठक में ”C3 colon C7” जे कॉलम जोड़ईक छै .
01:44 आब हमसब कीबोर्ड से “Enter” प्रेस करै छी।
01:47 आहाँ देखब जे “Cost” क अंतर्गत सब आइटम जुइट जाइत छै ।
01:51 आब सिखै छी Calc में सब्ट्रैक्ट केना करू ।
01:55 यदि हमसब “House Rent” आ “ Electricity Bill” का कॉस्ट सब्ट्रैक्ट कर चाहै छी आ ओकरा सेल A9 में दखाब चाहै छी त प्रारंभ में सेल A9 पर क्लिक करू ।
02:06 आब अहि सेल में टाइप करू “=” आ कष्ठक में सम्बन्धी सेल रेफरेंस “C3 minus C4”.
02:17 कीबोर्ड पर “Enter” की प्रेस करू ।
02:20 हमसब देखब जे दुनू सेल रेफरेंस क कॉस्ट सब्ट्रैक्ट होइत अछि आ परिणाम सेल संख्या A9 में प्रदर्शित होइत अछि ।
02:29 परिवर्तन क अन्डू करै छी।
02:32 ओहि तरहे हमसब अलग-अलग सेल में डिवाइड आ मल्टिप्लाइ क सकै छी ।
02:37 स्प्रैडशीट में एकटा शुरुआती ऑपरेशन संख्या का औसत यानि “Average” निकालब होई छै ।
02:43 चलू देखै छी ई केना कैल जैत।
02:45 “SUM TOTAL” सेल क ठीक निच्चा हेडिंग दै छी “Average” .
02:50 एत हमसब सब कॉस्ट क average प्रदर्शित कर चाहै छी।
02:55 आब “C9” सेल पर क्लिक करै छी।
02:58 आब हमसब टाइप करै छी“=” Average आ कष्ठक में Cost .
03:04 कीबोर्ड पर “Enter” की प्रेस करू ।
03:07 आहाँ देखब जे “Cost” कॉलम क average सेल में दखाई परैत अछि ।
03:11 परिवर्तन क अन्डू करै छी।
03:15 ओहि प्रकारे हॉरिज़ान्टल रो क एलिमेंट्स क average जैन सकै छी ।
03:20 हमसब अडवांस्ड लेवल क ट्यूटोरियल में फॉर्मुला आ ऑपरेटर क बारे में विशेष सीखब ।
03:25 हमसब सिखै छी जे Calc स्प्रैडशीट में डेटा क केना “Sort” करू ।
03:30 सोर्ट क क शीट में सेल्स क इच्छा अनुसार क्रमबद्ध क सकै छी ।
03:35 Calc में, आहाँ तीन मापदंड तक डेटा सोर्ट क सकै छी आ एक क बाद एक लागू क सकै छी ।
03:43 कोनो विशिष्ट आइटम ताकनै तखन सुविधाजनक भ जैत अछि जखन आहाँक पास फिल्टर कैल डेटा रहे।
03:51 मानू जे आहाँक “Costs” हेडिंग क अंतर्गत जे डेटा अछि ओकरा आरोही क्रम में सोर्ट कर चाहै छी ।
03:57 त प्रारंभ में जे सेल्स सोर्ट करक अछि ओकरा highlighted करू “Cost” सेल पर क्लिक क क।
04:03 आब लेफ्ट माउस बटन होल्ड क क कॉलम क अंतिम सेल तक ड्रैग करू जाहिमें “2000” लिखल अछि ।
04:12 अहि स ओ कॉलम चुनैत जकरा सोर्ट करक अछि ।
04:15 मेन्यूबार में “Data” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Sort” पर क्लिक करू।
04:21 आब “Current Selection” क चुनल जाऊ।
04:24 आहाँ “Sort criteria” आ “Options” नाऊक टैब्स डायलॉग बॉक्स में देखब।
04:31 “Sort criteria” टैब में, “Sort by” फिल्ड में “Cost” चुनल जाऊ।
04:37 “Cost” क आरोही क्रम में सोर्ट करै क लेल , ठीक ओकरा बगल क “Ascending” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
04:44 आब “OK” बटन पर क्लिक करू ।
04:47 आहाँ देखब जे कॉलम आरोही क्रम में सोर्ट भ गेल अछि ।
04:51 ओहि प्रकारे अवरोही क्रम में सोर्ट करै क लेल, “Descending” पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू ।
04:59 परिवर्तन क अन्डू करै छी।
05:02 विविध कॉलम क सेहो सोर्ट क सकै छी । पहिले कॉलम क चुनाव करब आ फेर सोर्ट ऑप्शन लागू करब ।
05:09 मानलौ जे हमरासभ के सीरियल संख्या आ कॉस्ट दूनू क सॉर्ट करबा क अछि ।
05:14 त प्रारंभ मे अहि कॉलम क चुनू जेना हमसब प्रारंभ में केने रही ।
05:18 आब हमसब मेन्यूबार से “Data” ऑप्शन पर क्लिक करब आ फेर “Sort” ऑप्शन पर क्लिक करब ।
05:24 डायलॉग बॉक्स में “Sort by” फिल्ड में प्रारंभ में “Cost” चुनल जाऊ ।
05:30 फेर “Then by” फिल्ड से “SN” चुनल जाऊ ।
05:35 दूनू ऑप्शन में “ Descending” पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू ।
05:43 आहाँ देखब जे दूनू हेडिंग अवरोही क्रम में सॉर्ट होई छै ।
05:47 परिवर्तन क अन्डू करै छी।
05:49 आब सिखै छी जे लिबरऑफिस Calc में डेटा केना फिल्टर करब।
05:53 फिल्टर कंडिशन्सक एगो सूची थिक जे प्रत्येक एंटरी क पूरा करै क लेल प्रदर्शित होइत अछि।
06:00 स्प्रैडशीट में फिल्टर लागू करै क लेल “Item”नाऊक सेल पर क्लिक करू ।
06:07 आब मेन्यूबार में “Data” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Filter” पर क्लिक करू ।
06:12 पॉप-अप मेन्यू में “AutoFilter” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
06:16 हेडिंग्स पर आहाँ एरो चिन्ह देख सकै छी ।
06:20 “Item” नाऊक सेल में डाउन एरो पर क्लिक करू ।
06:24 आब यदि आहाँ चाहै छी जे खाली “Electricity Bill” से संबंधित डेटा प्रदर्शित हुए ।
06:29 त “Electricity Bill” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
06:34 आहाँ देखब जे खाली “Electricity Bill” से संबंधित डेटा शीट में प्रदर्शित भेल।
06:40 बचल ऑप्शन फिल्टर भेल छै।
06:43 सभ डेटा क देखइ क लेल ”Item” नाऊक सेल क डाउन एरो पर फेर से क्लिक करू आ “All” पर क्लिक करू ।
06:52 हमसब अपन लिखल डेटा आब देख सकै छी ।
06:59 “AutoFilter” क अलावा दू गो आओर फिल्टर ऑप्शन छै, “Standard Filter” आ “Advanced Filter” जिनका बारे में हमसब बाद में सीखब ।
07:11 आब हमसब लिबर ऑफिस Calc पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियलक समापन पर छी।
07:15 संछेप में हमसब सिखलऊ ।
07:18 फॉर्मुला क मूल आइटम सब का परिचय ।
07:21 कॉलम स सोर्ट करना ।
07:23 डेटा फिल्टर क मौलिक बात ।
07:26 देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ।
07:30 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थि‍क।
07:33 यदि आहाँके पास नीक बैंडविड्थ नै अछि त आहाँ एकरा डाउनलोड कsक देख सकैत छी ।
07:37 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम-
07:40 स्पोकन ट्यूटोरियल क उपयोग कsक कार्यशाला सेहो चलबैत छथि
07:43 ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हार प्रति‍भागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि‍।
07:47 बेसी जानकारी लेल, कृपया contact at spoken hyphen tutorial dot org पर सम्पमर्क करी।।
07:53 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट का हिस्सा थिक।
07:58 भारत सरकार क एमएचआरडी क “आईसीटी क माध्यम स राष्ट्रीय साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि।
08:06 अहि मिशन पर बेसी जानकारी निम्न लिंक पर उपलब्ध अछि।
08:08 *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro
08:16 अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Smitajha