LibreOffice-Suite-Calc/C2/Basic-Data-Manipulation/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
VISUAL CUE | NARRATION |
00:00 | लिबरऑफिस Calc में शुरुआती डेटा मैनिप्यूलेशन पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियल में आहाँक स्वागत अछि । |
00:07 | अहि ट्यूटोरियल में हमसब निम्न क बारे में सीखब। |
00:09 | फॉर्मुला क मूल आइटम सबहक परिचय। |
00:12 | कॉलम द्वारा सोर्ट केनै । |
00:15 | डेटा फिल्टरक मूल बात । |
00:17 | एत हमसब अपने ऑपरेटिंग सिस्टम क रूप में उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबरऑफिस वर्जन 3.3.4 का उपयोग क रहल छी । |
00:27 | चलू ट्यूटोरियल क शुरु करै छी आ लिबरऑफिस Calc में उपयोग होब बला शुरुआती फॉर्मुला क बारे में सिखै छी। |
00:35 | फॉर्मुला समीकरण जेना होई छै जे संख्या आ वेरिएबलक उपयोग क क परिणाम दैत छै। |
00:41 | स्प्रैडशीट में वेरिएबल्स सेल स्थान थिक जे समीकरण पूरा करै क लेल जरूरी डेटाक रखइत छै। |
00:47 | सबस शुरुआती अरिथ्मेटिक ऑपरेशन छै एडिशन(addition),सब्ट्रैक्शन(subtraction), मल्टीप्लिकशन(multiplication) आ डिविज़न(division). |
00:56 | चलू प्रारंभ में अपन “Personal-Finance-Tracker.ods”फाइल ओपन करै छी। |
01:02 | चलू देखै छी जे अपन “personal finance tracker.ods” फाइल में “Cost” हेडिंग बला खर्च क केना जोड़ब । |
01:13 | हमसब “SUM TOTAL” नाऊक हेडिंग “Miscellaneous” क अंतर्गत दैत छी। |
01:19 | आ हमसब सेल A8 पर क्लिक करै छी आ क्रम संख्या “7” दैत छी। |
01:25 | आब सेल संख्या “C8” पर क्लिक करै छी जत हमसब कॉस्टक कुल जोड़ दखाब चाहै छी। |
01:32 | कॉस्ट क जोड़ई क लेल , हमसब टाइप करै छी“= SUM” आ कोष्ठक में ”C3 colon C7” जे कॉलम जोड़ईक छै . |
01:44 | आब हमसब कीबोर्ड से “Enter” प्रेस करै छी। |
01:47 | आहाँ देखब जे “Cost” क अंतर्गत सब आइटम जुइट जाइत छै । |
01:51 | आब सिखै छी Calc में सब्ट्रैक्ट केना करू । |
01:55 | यदि हमसब “House Rent” आ “ Electricity Bill” का कॉस्ट सब्ट्रैक्ट कर चाहै छी आ ओकरा सेल A9 में दखाब चाहै छी त प्रारंभ में सेल A9 पर क्लिक करू । |
02:06 | आब अहि सेल में टाइप करू “=” आ कष्ठक में सम्बन्धी सेल रेफरेंस “C3 minus C4”. |
02:17 | कीबोर्ड पर “Enter” की प्रेस करू । |
02:20 | हमसब देखब जे दुनू सेल रेफरेंस क कॉस्ट सब्ट्रैक्ट होइत अछि आ परिणाम सेल संख्या A9 में प्रदर्शित होइत अछि । |
02:29 | परिवर्तन क अन्डू करै छी। |
02:32 | ओहि तरहे हमसब अलग-अलग सेल में डिवाइड आ मल्टिप्लाइ क सकै छी । |
02:37 | स्प्रैडशीट में एकटा शुरुआती ऑपरेशन संख्या का औसत यानि “Average” निकालब होई छै । |
02:43 | चलू देखै छी ई केना कैल जैत। |
02:45 | “SUM TOTAL” सेल क ठीक निच्चा हेडिंग दै छी “Average” . |
02:50 | एत हमसब सब कॉस्ट क average प्रदर्शित कर चाहै छी। |
02:55 | आब “C9” सेल पर क्लिक करै छी। |
02:58 | आब हमसब टाइप करै छी“=” Average आ कष्ठक में Cost . |
03:04 | कीबोर्ड पर “Enter” की प्रेस करू । |
03:07 | आहाँ देखब जे “Cost” कॉलम क average सेल में दखाई परैत अछि । |
03:11 | परिवर्तन क अन्डू करै छी। |
03:15 | ओहि प्रकारे हॉरिज़ान्टल रो क एलिमेंट्स क average जैन सकै छी । |
03:20 | हमसब अडवांस्ड लेवल क ट्यूटोरियल में फॉर्मुला आ ऑपरेटर क बारे में विशेष सीखब । |
03:25 | हमसब सिखै छी जे Calc स्प्रैडशीट में डेटा क केना “Sort” करू । |
03:30 | सोर्ट क क शीट में सेल्स क इच्छा अनुसार क्रमबद्ध क सकै छी । |
03:35 | Calc में, आहाँ तीन मापदंड तक डेटा सोर्ट क सकै छी आ एक क बाद एक लागू क सकै छी । |
03:43 | कोनो विशिष्ट आइटम ताकनै तखन सुविधाजनक भ जैत अछि जखन आहाँक पास फिल्टर कैल डेटा रहे। |
03:51 | मानू जे आहाँक “Costs” हेडिंग क अंतर्गत जे डेटा अछि ओकरा आरोही क्रम में सोर्ट कर चाहै छी । |
03:57 | त प्रारंभ में जे सेल्स सोर्ट करक अछि ओकरा highlighted करू “Cost” सेल पर क्लिक क क। |
04:03 | आब लेफ्ट माउस बटन होल्ड क क कॉलम क अंतिम सेल तक ड्रैग करू जाहिमें “2000” लिखल अछि । |
04:12 | अहि स ओ कॉलम चुनैत जकरा सोर्ट करक अछि । |
04:15 | मेन्यूबार में “Data” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Sort” पर क्लिक करू। |
04:21 | आब “Current Selection” क चुनल जाऊ। |
04:24 | आहाँ “Sort criteria” आ “Options” नाऊक टैब्स डायलॉग बॉक्स में देखब। |
04:31 | “Sort criteria” टैब में, “Sort by” फिल्ड में “Cost” चुनल जाऊ। |
04:37 | “Cost” क आरोही क्रम में सोर्ट करै क लेल , ठीक ओकरा बगल क “Ascending” ऑप्शन पर क्लिक करू । |
04:44 | आब “OK” बटन पर क्लिक करू । |
04:47 | आहाँ देखब जे कॉलम आरोही क्रम में सोर्ट भ गेल अछि । |
04:51 | ओहि प्रकारे अवरोही क्रम में सोर्ट करै क लेल, “Descending” पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू । |
04:59 | परिवर्तन क अन्डू करै छी। |
05:02 | विविध कॉलम क सेहो सोर्ट क सकै छी । पहिले कॉलम क चुनाव करब आ फेर सोर्ट ऑप्शन लागू करब । |
05:09 | मानलौ जे हमरासभ के सीरियल संख्या आ कॉस्ट दूनू क सॉर्ट करबा क अछि । |
05:14 | त प्रारंभ मे अहि कॉलम क चुनू जेना हमसब प्रारंभ में केने रही । |
05:18 | आब हमसब मेन्यूबार से “Data” ऑप्शन पर क्लिक करब आ फेर “Sort” ऑप्शन पर क्लिक करब । |
05:24 | डायलॉग बॉक्स में “Sort by” फिल्ड में प्रारंभ में “Cost” चुनल जाऊ । |
05:30 | फेर “Then by” फिल्ड से “SN” चुनल जाऊ । |
05:35 | दूनू ऑप्शन में “ Descending” पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू । |
05:43 | आहाँ देखब जे दूनू हेडिंग अवरोही क्रम में सॉर्ट होई छै । |
05:47 | परिवर्तन क अन्डू करै छी। |
05:49 | आब सिखै छी जे लिबरऑफिस Calc में डेटा केना फिल्टर करब। |
05:53 | फिल्टर कंडिशन्सक एगो सूची थिक जे प्रत्येक एंटरी क पूरा करै क लेल प्रदर्शित होइत अछि। |
06:00 | स्प्रैडशीट में फिल्टर लागू करै क लेल “Item”नाऊक सेल पर क्लिक करू । |
06:07 | आब मेन्यूबार में “Data” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Filter” पर क्लिक करू । |
06:12 | पॉप-अप मेन्यू में “AutoFilter” ऑप्शन पर क्लिक करू । |
06:16 | हेडिंग्स पर आहाँ एरो चिन्ह देख सकै छी । |
06:20 | “Item” नाऊक सेल में डाउन एरो पर क्लिक करू । |
06:24 | आब यदि आहाँ चाहै छी जे खाली “Electricity Bill” से संबंधित डेटा प्रदर्शित हुए । |
06:29 | त “Electricity Bill” ऑप्शन पर क्लिक करू । |
06:34 | आहाँ देखब जे खाली “Electricity Bill” से संबंधित डेटा शीट में प्रदर्शित भेल। |
06:40 | बचल ऑप्शन फिल्टर भेल छै। |
06:43 | सभ डेटा क देखइ क लेल ”Item” नाऊक सेल क डाउन एरो पर फेर से क्लिक करू आ “All” पर क्लिक करू । |
06:52 | हमसब अपन लिखल डेटा आब देख सकै छी । |
06:59 | “AutoFilter” क अलावा दू गो आओर फिल्टर ऑप्शन छै, “Standard Filter” आ “Advanced Filter” जिनका बारे में हमसब बाद में सीखब । |
07:11 | आब हमसब लिबर ऑफिस Calc पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियलक समापन पर छी। |
07:15 | संछेप में हमसब सिखलऊ । |
07:18 | फॉर्मुला क मूल आइटम सब का परिचय । |
07:21 | कॉलम स सोर्ट करना । |
07:23 | डेटा फिल्टर क मौलिक बात । |
07:26 | देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ। |
07:30 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थिक। |
07:33 | यदि आहाँके पास नीक बैंडविड्थ नै अछि त आहाँ एकरा डाउनलोड कsक देख सकैत छी । |
07:37 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम- |
07:40 | स्पोकन ट्यूटोरियल क उपयोग कsक कार्यशाला सेहो चलबैत छथि |
07:43 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार प्रतिभागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि। |
07:47 | बेसी जानकारी लेल, कृपया contact at spoken hyphen tutorial dot org पर सम्पमर्क करी।। |
07:53 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट का हिस्सा थिक। |
07:58 | भारत सरकार क एमएचआरडी क “आईसीटी क माध्यम स राष्ट्रीय साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि। |
08:06 | अहि मिशन पर बेसी जानकारी निम्न लिंक पर उपलब्ध अछि। |
08:08 | *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro |
08:16 | अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद। |