LibreOffice-Suite-Calc/C3/Linking-Calc-Data/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Time | Narration |
00:00 | लिबर ऑफिस कैल्क में लिंकिंग पर स्पोकन ट्यूटोरियल में आहाँक स्वागत अछि। |
00:06 | अहि ट्यूटोरियल में हमसब ई सीखब जे: |
00:10 | कैल्क में दोसर शीट्स क चर्चा केना करब। |
00:13 | कैल्क में हाइपरलिंक्स क उपयोग केना करब। |
00:17 | एत हमसब ऑपरेटिंग सिस्टम क रूप में उबंटू लिनक्स वर्ज़न 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्ज़न 3.3.4 उपयोग क रहल छी। |
00:29 | यदि आहाँ दुनू स्प्रैडशीट्स सेव केने छी त लिबर ऑफिस कैल्क आहाँक अन्य शीटक एगो सेल स वर्तमान शीटक एगो सेल में अन्य स्प्रैडशीट क एगो सेल क रेफरेंस करै क अनुमइत दैत अछि। |
00:44 | “Personal-Finance-Tracker.ods” खोलै छी। |
00:49 | अपन फाइलक शीट 1 “Personal Finance Tracker” क लेल स्प्रैडशीट सम्मिलित करैत अछि। |
00:55 | हम कॉलम्स “Spent” आ “Received” में किछु राशि जोड़ने छी। |
01:04 | आब, क्रमशः “Cost” आ “Spent” क निच्चा घटक सबहक जोड़ निकालू। |
01:11 | C9 सेल पर क्लिक करू आ फ़ॉर्मूला “is equal to SUM” आ कष्ठकों क “C3 कोलन C7” टाइप करू। |
01:24 | फेर “Enter” की प्रेस करू। |
01:27 | D9 सेल पर क्लिक करू आ ओहि फ़ॉर्मूला क उपयोग क क जोड़ निकालू। |
01:36 | आब, सेल रेफ्रेंसिंग क उपयोग क क हमसब एकटा दोसर शीट पर “Cost” आ “Spent” में कुल बकाया प्रदर्शित करबग। |
01:45 | “Sheet 2” टैब पर क्लिक करू। |
01:48 | ई नब शीट खोलैत अछि। |
01:51 | आब A1 सेल पर क्लिक करू आ अहिक अंदर शीर्षक “COMPONENT” टाइप करू। |
02:00 | B1 सेल पर क्लिक करू आ अहिक अंदर शीर्षक “BALANCE” टाइप करू। |
02:07 | आब, heading क अंदर भाग सबहक नाऊ प्रविष्ट करू। |
02:12 | A3 सेल पर क्लिक करू आ “COSTS” टाइप करू। “Enter” की प्रेस करू। |
02:19 | “COSTS” क निच्चा, A4 सेल में अगला भाग “SPENT” प्रविष्ट करू। |
02:27 | आब, खाली सेल B3 पर क्लिक करू। |
02:31 | शीर्षक “COST” आ “SPENT” में सेल्स B3 आ B4 क पास कुल बकाया हएत। |
02:38 | जे हमसब शीट 1 में गणना केने छलौ। |
02:41 | ई रेफ्रेंसिंग स करब। |
02:44 | सेल B3 में सेल रेफरेंस बनेबाक लेल, “Input line” क आगू “equal to” चिह्न पर क्लिक करू। |
02:53 | आब, शीट टैब में “Sheet 1” पर क्लिक करू। |
02:59 | अहि शीट में, हमसब सेल C9 पर क्लिक करब, जे कॉलम “Costs” में जोड़ क राखैत अछि। |
03:07 | ख्याल राखब, जे “Input line” में, स्टेटमेंट “Sheet 1 dot C9” प्रदर्शित होइत अछि। |
03:15 | आब “Input line” क आगू चेक मार्क पर क्लिक करू। |
03:20 | ध्यान देब, जे “Sheet 1” में “Costs” क निच्चा डेटा का कुल योग “Sheet 2 “ टैब में B3 सेल में अपने मोने आबि गेल अछि। |
03:34 | ओहि प्रकारे, हमसब रेफ्रेंसिंग स दोसर भाग सभक कुल योगक प्रविष्ट क सकै छी। |
03:41 | यदि एत बहुतेरे डेटा कंटेंट क संग बेसी डेटा शीट्स हुए त डेटा क सारांश प्रस्तुत करै क लेल रेफ्रेंसिंग बहुत सदुपयोगी भ सकैत अछि। |
03:49 | आब, सिखै छी जे कैल्क शीट्स में हाइपरलिंक्स केना बनाबी। |
03:55 | आहाँ हाइपरलिंक्स क उपयोग ... एगो स्प्रैडशीट क अंदर एगो दोसर स्थान दोसर फाइल्स या एत तक जे वेबसाइट्स पर जेबा क लेल क सकै छी। |
04:06 | “Personal-Finance-Tracker.ods” में personal finance tracker “Sheet 1” में अछि आ बाकी कंटेंट्स “Sheet 2” में अछि। |
04:17 | मानलौ जे हमसब Sheet 1 से Sheet 2 में जाए चाहै छी। |
04:22 | सबस पहिले, “Sheet 1” टैब पर क्लिक करू। |
04:25 | एत B14 सेल पर क्लिक करू आ ”Sheet 2” प्रविष्ट करू। |
04:33 | आहाँ देखब जे नाऊ “Sheet 2”, “Input line” पर प्रदर्शित होइत अछि। |
04:38 | आब इनपुट लाइन में टेक्स्ट “Sheet 2” चुनल जाऊ। |
04:44 | टेक्स्ट चुनला क बाद, टूलबार में “Hyperlink” आइकन पर क्लिक करू। |
04:51 | Hyperlink डायलॉग प्रदर्शित होइत अछि। |
04:55 | बाया कात, “Document” ऑप्शन चुनल जाऊ। |
04:59 | डायलॉग बॉक्स में “Target in document” आइकन पर क्लिक करू। |
05:04 | एकट नया “Target in document” डायलॉग प्रदर्शित होइत अछि। |
05:08 | आब, “Sheet” ऑप्शन क आगू “plus sign” पर क्लिक करू। |
05:13 | जे डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित होइत अछि, ओहिमे “Sheet 2” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
05:18 | आब “Apply” बटन पर क्लिक करू आ फेर “Close” बटन पर क्लिक करू। |
05:24 | आब, Hyperlink डायलॉग बॉक्स से, “Apply” पर क्लिक करब आ फेर “Close” पर क्लिक करब। |
05:32 | सामने सेल में “Sheet 2” टेक्स्ट क संग highlighted “Sheet 1” टैब प्रदर्शित होइत अछि। |
05:40 | आब, जखन हम टेक्स्ट “Sheet 2” पर क्लिक करै छी, ई सोझे ओहि शीट पर ल जाइत अछि, जत हमसब Costs क लेल बकाया प्रविष्ट जेया केने रही। |
05:51 | अपनासब एगो हाइपरलिंक बना लेलौ! |
05:55 | हाइपरलिंक हटाब क लेल, सबस पहिले हाइपरलिंक्ड टेक्स्ट “Sheet 2” चुनल जाऊ। |
06:01 | आब दायाँ क्लिक करू आ कॉन्टेक्स्ट मेन्यू से, “Default Formatting” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
06:09 | टेक्स्ट आब हाइपरलिंक्ड नहीं अछि। |
06:12 | ई एकदम डॉक्युमेंटक कोनो साधारण टेक्स्ट जेना अछि। |
06:16 | परिवर्तन क अन्डू करै छी। |
06:20 | हमसब लिबर ऑफिस Calc क अहि स्पोकन ट्यूटोरियल क अंत में आबि गेल छी । |
06:25 | संक्षेप में, हमसब सीखलौ: कैल्क में दोसर शीट्स क रेफ्रेरेंस केना करब। |
06:31 | कैल्क में हाइपरलिंक्स उपयोग केना करब। |
06:36 | निचा बला लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू । |
06:40 | ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट क सारांश थिक । |
06:43 | यदि आहाँक पास नीक बैन्ड्विड्थ नै हुए त आहाँ एकरा डाउनलोड़ क क सेहो देख सकै छी। |
06:47 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग क क वर्कशॉप्स आयोजित करै छैथ । |
06:52 | आ जे ऑनलाइन टेस्ट पास करै छैथ हुनका सर्टिफिकट सेहो देल जैत छेन । |
06:56 | बेसी जानकारी क लेल कृपा क क contact@spoken hyphen tutorial.org पर लिखू । |
07:03 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट का हिस्सा थिक। |
07:07 | ई भारत सरकार क एमएचआरडी क “आईसीटी क माध्यम से राष्ट्रीय साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि। |
07:15 | अहि मिशन पर बेसी जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro पर उपलब्ध अछि । |
07:25 | आई.आई. टी बॉम्बे क तरफ स अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।|} |