LibreOffice-Suite-Calc/C3/Linking-Calc-Data/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:00 लिबर ऑफिस कैल्क में लिंकिंग पर स्पोकन ट्यूटोरियल में आहाँक स्वागत अछि।
00:06 अहि ट्यूटोरियल में हमसब ई सीखब जे:
00:10 कैल्क में दोसर शीट्स क चर्चा केना करब।
00:13 कैल्क में हाइपरलिंक्स क उपयोग केना करब।
00:17 एत हमसब ऑपरेटिंग सिस्टम क रूप में उबंटू लिनक्स वर्ज़न 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्ज़न 3.3.4 उपयोग क रहल छी।
00:29 यदि आहाँ दुनू स्प्रैडशीट्स सेव केने छी त लिबर ऑफिस कैल्क आहाँक अन्य शीटक एगो सेल स वर्तमान शीटक एगो सेल में अन्य स्प्रैडशीट क एगो सेल क रेफरेंस करै क अनुमइत दैत अछि।
00:44 “Personal-Finance-Tracker.ods” खोलै छी।
00:49 अपन फाइलक शीट 1 “Personal Finance Tracker” क लेल स्प्रैडशीट सम्मिलित करैत अछि।
00:55 हम कॉलम्स “Spent” आ “Received” में किछु राशि जोड़ने छी।
01:04 आब, क्रमशः “Cost” आ “Spent” क निच्चा घटक सबहक जोड़ निकालू।
01:11 C9 सेल पर क्लिक करू आ फ़ॉर्मूला “is equal to SUM” आ कष्ठकों क “C3 कोलन C7” टाइप करू।
01:24 फेर “Enter” की प्रेस करू।
01:27 D9 सेल पर क्लिक करू आ ओहि फ़ॉर्मूला क उपयोग क क जोड़ निकालू।
01:36 आब, सेल रेफ्रेंसिंग क उपयोग क क हमसब एकटा दोसर शीट पर “Cost” आ “Spent” में कुल बकाया प्रदर्शित करबग।
01:45 “Sheet 2” टैब पर क्लिक करू।
01:48 ई नब शीट खोलैत अछि।
01:51 आब A1 सेल पर क्लिक करू आ अहिक अंदर शीर्षक “COMPONENT” टाइप करू।
02:00 B1 सेल पर क्लिक करू आ अहिक अंदर शीर्षक “BALANCE” टाइप करू।
02:07 आब, heading क अंदर भाग सबहक नाऊ प्रविष्ट करू।
02:12 A3 सेल पर क्लिक करू आ “COSTS” टाइप करू। “Enter” की प्रेस करू।
02:19 “COSTS” क निच्चा, A4 सेल में अगला भाग “SPENT” प्रविष्ट करू।
02:27 आब, खाली सेल B3 पर क्लिक करू।
02:31 शीर्षक “COST” आ “SPENT” में सेल्स B3 आ B4 क पास कुल बकाया हएत।
02:38 जे हमसब शीट 1 में गणना केने छलौ।
02:41 ई रेफ्रेंसिंग स करब।
02:44 सेल B3 में सेल रेफरेंस बनेबाक लेल, “Input line” क आगू “equal to” चिह्न पर क्लिक करू।
02:53 आब, शीट टैब में “Sheet 1” पर क्लिक करू।
02:59 अहि शीट में, हमसब सेल C9 पर क्लिक करब, जे कॉलम “Costs” में जोड़ क राखैत अछि।
03:07 ख्याल राखब, जे “Input line” में, स्टेटमेंट “Sheet 1 dot C9” प्रदर्शित होइत अछि।
03:15 आब “Input line” क आगू चेक मार्क पर क्लिक करू।
03:20 ध्यान देब, जे “Sheet 1” में “Costs” क निच्चा डेटा का कुल योग “Sheet 2 “ टैब में B3 सेल में अपने मोने आबि गेल अछि।
03:34 ओहि प्रकारे, हमसब रेफ्रेंसिंग स दोसर भाग सभक कुल योगक प्रविष्ट क सकै छी।
03:41 यदि एत बहुतेरे डेटा कंटेंट क संग बेसी डेटा शीट्स हुए त डेटा क सारांश प्रस्तुत करै क लेल रेफ्रेंसिंग बहुत सदुपयोगी भ सकैत अछि।
03:49 आब, सिखै छी जे कैल्क शीट्स में हाइपरलिंक्स केना बनाबी।
03:55 आहाँ हाइपरलिंक्स क उपयोग ... एगो स्प्रैडशीट क अंदर एगो दोसर स्थान दोसर फाइल्स या एत तक जे वेबसाइट्स पर जेबा क लेल क सकै छी।
04:06 “Personal-Finance-Tracker.ods” में personal finance tracker “Sheet 1” में अछि आ बाकी कंटेंट्स “Sheet 2” में अछि।
04:17 मानलौ जे हमसब Sheet 1 से Sheet 2 में जाए चाहै छी।
04:22 सबस पहिले, “Sheet 1” टैब पर क्लिक करू।
04:25 एत B14 सेल पर क्लिक करू आ ”Sheet 2” प्रविष्ट करू।
04:33 आहाँ देखब जे नाऊ “Sheet 2”, “Input line” पर प्रदर्शित होइत अछि।
04:38 आब इनपुट लाइन में टेक्स्ट “Sheet 2” चुनल जाऊ।
04:44 टेक्स्ट चुनला क बाद, टूलबार में “Hyperlink” आइकन पर क्लिक करू।
04:51 Hyperlink डायलॉग प्रदर्शित होइत अछि।
04:55 बाया कात, “Document” ऑप्शन चुनल जाऊ।
04:59 डायलॉग बॉक्स में “Target in document” आइकन पर क्लिक करू।
05:04 एकट नया “Target in document” डायलॉग प्रदर्शित होइत अछि।
05:08 आब, “Sheet” ऑप्शन क आगू “plus sign” पर क्लिक करू।
05:13 जे डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित होइत अछि, ओहिमे “Sheet 2” ऑप्शन पर क्लिक करू।
05:18 आब “Apply” बटन पर क्लिक करू आ फेर “Close” बटन पर क्लिक करू।
05:24 आब, Hyperlink डायलॉग बॉक्स से, “Apply” पर क्लिक करब आ फेर “Close” पर क्लिक करब।
05:32 सामने सेल में “Sheet 2” टेक्स्ट क संग highlighted “Sheet 1” टैब प्रदर्शित होइत अछि।
05:40 आब, जखन हम टेक्स्ट “Sheet 2” पर क्लिक करै छी, ई सोझे ओहि शीट पर ल जाइत अछि, जत हमसब Costs क लेल बकाया प्रविष्ट जेया केने रही।
05:51 अपनासब एगो हाइपरलिंक बना लेलौ!
05:55 हाइपरलिंक हटाब क लेल, सबस पहिले हाइपरलिंक्ड टेक्स्ट “Sheet 2” चुनल जाऊ।
06:01 आब दायाँ क्लिक करू आ कॉन्टेक्स्ट मेन्यू से, “Default Formatting” ऑप्शन पर क्लिक करू।
06:09 टेक्स्ट आब हाइपरलिंक्ड नहीं अछि।
06:12 ई एकदम डॉक्युमेंटक कोनो साधारण टेक्स्ट जेना अछि।
06:16 परिवर्तन क अन्डू करै छी।
06:20 हमसब लिबर ऑफिस Calc क अहि स्पोकन ट्यूटोरियल क अंत में आबि गेल छी ।
06:25 संक्षेप में, हमसब सीखलौ: कैल्क में दोसर शीट्स क रेफ्रेरेंस केना करब।
06:31 कैल्क में हाइपरलिंक्स उपयोग केना करब।
06:36 निचा बला लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू ।
06:40 ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट क सारांश थिक ।
06:43 यदि आहाँक पास नीक बैन्ड्विड्थ नै हुए त आहाँ एकरा डाउनलोड़ क क सेहो देख सकै छी।
06:47 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग क क वर्कशॉप्स आयोजित करै छैथ ।
06:52 आ जे ऑनलाइन टेस्ट पास करै छैथ हुनका सर्टिफिकट सेहो देल जैत छेन ।
06:56 बेसी जानकारी क लेल कृपा क क contact@spoken hyphen tutorial.org पर लिखू ।
07:03 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट का हिस्सा थिक।
07:07 ई भारत सरकार क एमएचआरडी क “आईसीटी क माध्यम से राष्ट्रीय साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि।
07:15 अहि मिशन पर बेसी जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro पर उपलब्ध अछि ।
07:25 आई.आई. टी बॉम्बे क तरफ स अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।|}

Contributors and Content Editors

Smitajha