LibreOffice-Suite-Writer/C4/Using-track-changes/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 20:31, 5 May 2018 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
Time | Narration |
00:00 | नमस्कार
लिबरऑफिस राइटरमे 'डॉक्युमेंट संपादन करै काल ट्रैकमे बदलाव' LibreOffice Writer - Track changes while Editing a document विषयक ट्यूटोरियलमे अहाँ सभक स्वागत अछि। |
00:09 | अइ ट्यूटोरियलमे, हमरा लोकनि बूझब, जे लिबर ऑफिस राइटरमे डॉक्युमेंटक पीयर रिव्यू कोना कएल जा सकैत अछि। |
00:15 | हमरा लोकनि कोनो एकटा मौजूद डॉक्युमेंट खोलै छी-- |
00:18 | ई बुझबा लेल, जे Record Changesक उपयोग क' कए डॉक्युमेंटक संपादन आ पीयर रिव्यू कोना करी। |
00:25 | अइ विशेषताक उपयोगक लाभ ई हएत, जे समीक्षक मौजूद टेक्स्टमे टेक्स्ट जोड़ि सकैत अछि, टिप्पणी क' सकैत अछि, डिलीट क' सकैत अछि, अथवा बदलाव क' सकैत अछि। जे कि समान डॉक्युमेंटमे स्पष्टतः देखाइ दैत अछि। |
00:40 | लेखक द्वारा ई आसानीसँ देखल जा सकैत अछि, ओ अइ बदलावकें स्वीकार आ अस्वीकार क' सकैत अछि। अइ प्रकारें, फेरसँ बदलाव केने बिना अइ संपादित टिप्पणी सभकें समाविष्ट क' सकैत अछि। |
00:52 | आ फाइल जखन सेव भ' जाइत अछि, टिप्पणी सब समाविष्ट भ' जाइत अछि। |
00:56 | तें हमरा लोकनि सीखब, जे ई सब कोना करी। |
01:01 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे उबंटू लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4क उपयोग क' रहल छी। |
01:09 | अइ ट्यूटोरियममे, हमरा लोकनि किछु डॉक्युमेंट्सक उपयोग क' रहल छी, जे हम पहिनहिसँ बनौने छी, आ हमरा सिस्टममे सेव अछि। जेना-- |
01:16 | 'Seven-reasons-to-adopt-FOSS.odt', 'Government-support-for-FOSS-in-India.odt'. |
01:24 | राइटरमे शुरुआत लेल Applications >> Office >>आ LibreOffice Writer पर क्लिक करी।. |
01:33 | 'Seven-reasons-to-adopt-FOSS.odt'कें खोली। |
01:40 | record changes ऑप्शनकें सेट करै लेल, EDIT → CHANGES पर जाइ आ RECORD ऑप्शन चुनी। |
01:53 | SHOW ऑप्शन सेहो चुनल हेबाक चाही। अइसँ आगामी कोनो संपादन स्पष्टतः रिकार्ड हेबाक सुविधा उपलब्ध भ' जाएत। |
02:00 | डॉक्युमेंटमे, दोसर विषय प्रविष्ट करी। |
02:05 | हम विषय क्रमांक 2 पर जाएब आ टाइप करब : "Linux is a virus resistant operating system since each user has a distinct data space and cannot directly access the program files". |
02:35 | एंटर Enter दबाएब। अइसँ वर्तमान विषय 2, विषय क्रमांक 3 भ' जाइत अछि। |
02:41 | ध्यान दी, जे इनपुट टेक्स्ट न'ब रंगमे आएल अछि। |
02:46 | अइ टेक्स्ट पर माउस घुमाउ। अहाँ ।
प्रविष्टिक तारीख आ समयक संग मैसेज देखब-- Inserted Sriranjani: |
02:55 | अइ प्रकारें डॉक्युमेंटमे टिप्पणी करै बला व्यक्तिक पहिचान होइत अछि। लिबरऑफिसक संस्थापन काल उपयोगकर्ताक रूपमे कंप्यूटर पर देल गेल नामक आधार पर नाम तय होइत अछि। |
03:07 | पहिल पंक्तिमे avalable शब्द'क हिज्जे ठीक करी। सुधार बला बिन्दु पर अहाँक ध्यान जाएत। |
03:17 | पहिल पंक्ति-- It can be installed on all computers without restriction or needing to pay license fees to vendors कें डिलीट करी.
|
03:30 | ध्यान दी, जे डिलीशन, वस्तुत: लाइनकें डिलीट नइँ करैत, बल्कि एकरा डिलीशन लेल सूचित लाइनक रूपमे चिह्नित करैत अछि। |
03:39 | अइ पर कर्सर घुमाबी आ तिथि आ समयक संग Deleted Sriranjani: मैसेज देखी। |
03:48 | अइ तरहें, डॉक्युमेटमे मौजूद टेक्स्टकें जोड़ि क', डिलीट क' कए अथवा बदलाव क' कए डॉक्युमेंटमे संशोधन कएल जा सकैत अछि। |
04:00 | एकसँ अधिक व्यक्ति समान डॉक्युमेंटकें संपादित क' सकै छथि। |
04:03 | पाठकक मदद लेल लिबरऑफिस राइटर, एक समीक्षकक कार्यकें दोसरसँ अलग क' कए प्रत्येक संपादनकें भिन्न रंगमे दर्शाओत। |
04:12 | संपादित टेक्स्ट पर माउस घुमाएब, त' सहजतापूर्वक समीक्षकक नाम प्रदर्शित हएत। |
04:18 | सहकर्मी गुरु द्वारा पहिनहिसँ संपादित डॉक्युमेंटकें ओपन क' कए हमरा लोकनि एकरा प्रदर्शित कर' जा रहल छी। |
04:26 | टेक्स्ट फाइल डॉक्युमेंट Government-support-for-FOSS-in-India.odtकें ओपन करी। |
04:34 | अइ डॉक्युमेंटमे हम देखि सकै छी, जे कतोक रास एडिशन-डिलीशन भेल अछि। |
04:42 | अइ टेक्स्ट पर माउस घुममलासँ गुरु द्वारा कएल गेल एडिशन-डिलीशनक मैसेज भेटैत अछि। |
04:51 | सबसँ नीचाँमे एकटा विषय जोड़ू CDAC, NIC, NRC-FOSS are institutions of Government of India which develop and promote FOSS. |
05:17 | हम देखि सकै छी, जे अइ प्रविष्टिक रंग गुरु द्वारा कएल गेल संपादनक रंगसँ भिन्न अछि। |
05:23 | अइ प्रविष्टि पर माउस घुमेलासँ मैसेज भेटैत अछि-- Inserted: Sriranjani. |
05:28 | अइ प्रकारें, लेखक लग वापस जाइसँ पहिने एकहि डॉक्युमेंटक संपादन एकसँ अधिक व्यक्ति क' सकै अछि। |
05:34 | एकरा सेव केने बिना, डॉक्युमेंट बंद करी। |
05:44 | आब हम देखाएब जे समीक्षक द्वारा कएल गेल बदलावकें लेखक कोना स्वीकार या अस्वीकार क' सकैत छथि। |
05:49 | ओही डॉक्युमेंट--“Government-support-for-FOSS-in-India” लेल कल्पना जे हम लेखक छी आ गुरु द्वारा कएल गेल संपादनकें हम स्वीकार अथवा अस्वीकार क' सकै छी। |
06:11 | प्वाइण्ट 2 पर आबी आ डिलीट कएल गेल टेक्स्ट reasons पर राइट क्लिक करी। फेर Accept Change चुनी। |
06:22 | अहाँ देखब, जे समीक्षक जे बदलाव सुझौने छलाह, से टेक्स्ट डिलीट भ' गेल अछि। |
06:28 | प्रविष्ट टेक्स्ट needs पर राइट क्लिक करी आ Accept Change चुनी। अहाँ देखब, जे समीक्षक जे बदलाव सुझौने छलाह, से टेक्स्ट सामान्य भ' गेल अछि। |
06:39 | अइ तरहें, समीक्षक द्वारा सुझाओल संपादन, प्रविष्टि आ डिलीशन, लेखक द्वारा स्वीकार कएल जा सकै छी। |
06:48 | पहिल प्वाण्ट पर जाउ आ डिलीट कएल गेल टेक्स्ट The OpenOffice document standard has been notified under this policy पर राइट क्लिक करू आ Reject change चुनू। |
07:01 | अइसँ टेक्स्ट सामान्य भ' जाएत, अर्थात डिलीट लेल समीक्षकक सुझाव, लेखक द्वारा अस्वीकृत भ' गेल। |
07:08 | प्वाण्ट 5 पर आउ आ Government Schools in these states and in Orissa, Karnataka and Tamil Nadu learn Linux पर राइट क्लिक करू आ Reject change चुनू। ई समीक्षक द्वारा प्रविष्ट कएल गेल टेक्स्टकें डिलीट क' देत। |
07:27 | अही तरहें, लेखक द्वारा प्रत्येक एडिशन आ डिलीशन स्वीकार अथवा अस्वीकार कएल जा सकैत अछि। |
07:33 | अंततः, बदलावकें स्वीकार अथवा अस्वीकार केलाक बाद, हमरा लोकनिकें EDIT >> CHANGES पर जेबाक चाही आ Record आ Show ऑप्शन्सकें अनचेक करबाक चाही। |
07:56 | अनचेक क' देलाक बाद, कोनहु टा संपादन अलगसँ चिह्नित नइँ रहत। |
08:00 | समीक्षक द्वारा कएल गेल समस्त टिप्पणीकें समाविष्ट क' लेलाक बाद, बदलावकें स्वीकार अथवा अस्वीकार क' लेलाक बाद, कृपया फाइलकें सेव करबा लेल सुनिश्चित रही। |
08:08 | आब हम अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि गेल छी। अंततः बोधपूर्ण विशिष्ट-कार्य-- |
08:15 | कोनो डॉक्युमेंट ओपन करी आ Record Changes मोडमे हिज्जेक त्रुटि सुधारी। |
08:25 | एतए ई बोधपूर्ण विशिष्ट-कार्य हम पहिनहि तैयार क' देने छी। |
08:31 | अनुवर्ती लिंक पर उपलब्ध विडियोमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश अछि।जँ अहाँ लग बढ़ियाँ बैन्ड्विड्थ नइँ अछि त' एकरा डाउनलोड क' कए सेहो देखि सकै छी। |
08:40 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट, स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग क' कए कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। |
08:44 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार व्यक्तिकें प्रमाण-पत्र सेहो देल जाइत अछि। |
08:48 | अधिक जानकारी लेल कृपया संपर्क करी--
contact [at] spoken hypen tutorial dot org. contact@spoken-tutorial.org |
08:54 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा अछि। ई आईसीटीक माध्यमे भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि। |
09:03 | अइ विषयमे अधिक जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hypen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि। |
09:14 | ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि, आई.आई.टी बॉम्बे दिशसँ उज्ज्वल आलोक संग हम देवशंकर नवीन आब अपने लोकनिसँ विदा लै छी। धन्यवाद। |