LibreOffice-Suite-Writer/C4/Using-track-changes/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:00 नमस्कार

लिबरऑफिस राइटरमे 'डॉक्युमेंट संपादन करै काल ट्रैकमे बदलाव' LibreOffice Writer - Track changes while Editing a document वि‍षयक ट्यूटोरियलमे अहाँ सभक स्वागत अछि‍।

00:09 अइ ट्यूटोरियलमे, हमरा लोकनि बूझब, जे लिबर ऑफिस राइटरमे डॉक्युमेंटक पीयर रिव्यू कोना कएल जा सकैत अछि।
00:15 हमरा लोकनि‍ कोनो एकटा मौजूद डॉक्युमेंट खोलै छी--
00:18 ई बुझबा लेल, जे Record Changesक उपयोग क' कए डॉक्युमेंटक संपादन आ पीयर रिव्यू कोना करी।
00:25 अइ विशेषताक उपयोगक लाभ ई हएत, जे समीक्षक मौजूद टेक्स्टमे टेक्स्ट जोड़ि‍ सकैत अछि, टिप्पणी क' सकैत अछि, डिलीट क' सकैत अछि, अथवा बदलाव क' सकैत अछि। जे कि‍ समान डॉक्युमेंटमे स्पष्टतः देखाइ दैत अछि।
00:40 लेखक द्वारा ई आसानीसँ देखल जा सकैत अछि, ओ अइ बदलावकें स्वीकार आ अस्वीकार क' सकैत अछि। अइ प्रकारें, फेरसँ बदलाव केने बिना अइ संपादित टिप्पणी सभकें समाविष्ट क' सकैत अछि।
00:52 आ फाइल जखन सेव भ' जाइत अछि, टिप्पणी सब समाविष्ट भ' जाइत अछि।
00:56 तें हमरा लोकनि‍ सीखब, जे ई सब कोना करी।
01:01 एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे उबंटू लिनक्स 10.04लिबर ऑफि‍स सूट वर्जन 3.3.4क उपयोग क' रहल छी।
01:09 अइ ट्यूटोरियममे, हमरा लोकनि किछु डॉक्युमेंट्सक उपयोग क' रहल छी, जे हम पहि‍नहि‍सँ बनौने छी, आ हमरा सिस्टममे सेव अछि‍। जेना--
01:16 'Seven-reasons-to-adopt-FOSS.odt', 'Government-support-for-FOSS-in-India.odt'.
01:24 राइटरमे शुरुआत लेल Applications >> Office >>आ LibreOffice Writer पर क्लिक करी।.
01:33 'Seven-reasons-to-adopt-FOSS.odt'कें खोली।
01:40 record changes ऑप्शनकें सेट करै लेल, EDIT → CHANGES पर जाइ आ RECORD ऑप्शन चुनी।
01:53 SHOW ऑप्शन सेहो चुनल हेबाक चाही। अइसँ आगामी कोनो संपादन स्पष्टतः रिकार्ड हेबाक सुवि‍धा उपलब्‍ध भ' जाएत।
02:00 डॉक्युमेंटमे, दोसर वि‍षय प्रविष्ट करी।
02:05 हम वि‍षय क्रमांक 2 पर जाएब आ टाइप करब : "Linux is a virus resistant operating system since each user has a distinct data space and cannot directly access the program files".
02:35 एंटर Enter दबाएब। अइसँ वर्तमान वि‍षय 2, वि‍षय क्रमांक 3 भ' जाइत अछि।
02:41 ध्यान दी, जे इनपुट टेक्स्ट न'ब रंगमे आएल अछि।
02:46 अइ टेक्स्ट पर माउस घुमाउ। अहाँ ।

प्रविष्टिक तारीख आ समयक संग मैसेज देखब-- Inserted Sriranjani:

02:55 अइ प्रकारें डॉक्युमेंटमे टिप्पणी करै बला व्यक्तिक पहि‍चान होइत अछि। लिबरऑफिसक संस्थापन काल उपयोगकर्ताक रूपमे कंप्यूटर पर देल गेल नामक आधार पर नाम तय होइत अछि।
03:07 पहि‍ल पंक्‍ति‍मे avalable शब्‍द'क हि‍ज्‍जे ठीक करी। सुधार बला बि‍न्‍दु पर अहाँक ध्यान जाएत।
03:17 पहि‍ल पंक्‍ति-- It can be installed on all computers without restriction or needing to pay license fees to vendors ‍कें डिलीट करी.


03:30 ध्यान दी, जे डिलीशन, वस्‍तुत: लाइनकें डिलीट नइँ करैत, बल्‍कि‍ एकरा डिलीशन लेल सूचित लाइनक रूपमे चिह्नि‍त करैत अछि।
03:39 अइ पर कर्सर घुमाबी आ ति‍थि‍ आ समयक संग Deleted Sriranjani: मैसेज देखी।
03:48 अइ तरहें, डॉक्युमेटमे मौजूद टेक्स्टकें जोड़ि‍ क', डिलीट क' कए अथवा बदलाव क' कए डॉक्युमेंटमे संशोधन कएल जा सकैत अछि।
04:00 एकसँ अधिक व्यक्ति समान डॉक्युमेंटकें संपादित क' सकै छथि‍।
04:03 पाठकक मदद लेल लिबरऑफिस राइटर, एक समीक्षकक कार्यकें दोसरसँ अलग क' कए प्रत्येक संपादनकें भिन्न रंगमे दर्शाओत।
04:12 संपादित टेक्स्ट पर माउस घुमाएब, त' सहजतापूर्वक समीक्षकक नाम प्रदर्शित हएत।
04:18 सहकर्मी गुरु द्वारा पहि‍नहि‍सँ संपादित डॉक्युमेंटकें ओपन क' कए हमरा लोकनि एकरा प्रदर्शित कर' जा रहल छी।
04:26 टेक्स्ट फाइल डॉक्युमेंट Government-support-for-FOSS-in-India.odtकें ओपन करी।
04:34 अइ डॉक्युमेंटमे हम देखि‍ सकै छी, जे कतोक रास एडिशन-डि‍लीशन भेल अछि‍।
04:42 अइ टेक्स्ट पर माउस घुममलासँ गुरु द्वारा कएल गेल एडिशन-डि‍लीशनक मैसेज भेटैत अछि।
04:51 सबसँ नीचाँमे एकटा वि‍षय जोड़ू CDAC, NIC, NRC-FOSS are institutions of Government of India which develop and promote FOSS.
05:17 हम देखि‍ सकै छी, जे अइ प्रविष्टिक रंग गुरु द्वारा कएल गेल संपादनक रंगसँ भिन्न अछि।
05:23 अइ प्रविष्टि पर माउस घुमेलासँ मैसेज भेटैत अछि-- Inserted: Sriranjani.
05:28 अइ प्रकारें, लेखक लग वापस जाइसँ पहि‍ने एकहि‍ डॉक्युमेंटक संपादन एकसँ अधिक व्यक्ति क' सकै अछि‍।
05:34 एकरा सेव केने बिना, डॉक्युमेंट बंद करी।
05:44 आब हम देखाएब जे समीक्षक द्वारा कएल गेल बदलावकें लेखक कोना स्वीकार या अस्वीकार क' सकैत छथि‍।
05:49 ओही डॉक्युमेंट--“Government-support-for-FOSS-in-India” लेल कल्‍पना जे हम लेखक छी आ गुरु द्वारा कएल गेल संपादनकें हम स्वीकार अथवा अस्वीकार क' सकै छी।
06:11 प्‍वाइण्‍ट 2 पर आबी आ डिलीट कएल गेल टेक्स्ट reasons पर राइट क्लिक करी। फेर Accept Change चुनी।
06:22 अहाँ देखब, जे समीक्षक जे बदलाव सुझौने छलाह, से टेक्स्ट डिलीट भ' गेल अछि।
06:28 प्रविष्ट टेक्स्ट needs पर राइट क्लिक करी आ Accept Change चुनी। अहाँ देखब, जे समीक्षक जे बदलाव सुझौने छलाह, से टेक्स्ट सामान्य भ' गेल अछि।
06:39 अइ तरहें, समीक्षक द्वारा सुझाओल संपादन, प्रविष्टि आ डिलीशन, लेखक द्वारा स्वीकार कएल जा सकै छी।
06:48 पहि‍ल प्‍वाण्‍ट पर जाउ आ डिलीट कएल गेल टेक्स्ट The OpenOffice document standard has been notified under this policy पर राइट क्लिक करू आ Reject change चुनू।
07:01 अइसँ टेक्स्ट सामान्य भ' जाएत, अर्थात डिलीट लेल समीक्षकक सुझाव, लेखक द्वारा अस्वीकृत भ' गेल।
07:08 प्‍वाण्‍ट 5 पर आउ आ Government Schools in these states and in Orissa, Karnataka and Tamil Nadu learn Linux पर राइट क्लिक करू आ Reject change चुनू। ई समीक्षक द्वारा प्रविष्ट कएल गेल टेक्स्टकें डिलीट क' देत।
07:27 अही तरहें, लेखक द्वारा प्रत्येक एडिशन आ डिलीशन स्वीकार अथवा अस्वीकार कएल जा सकैत अछि।
07:33 अंततः, बदलावकें स्वीकार अथवा अस्वीकार केलाक बाद, हमरा लोकनि‍कें EDIT >> CHANGES पर जेबाक चाही आ RecordShow ऑप्शन्सकें अनचेक करबाक चाही।
07:56 अनचेक क' देलाक बाद, कोनहु टा संपादन अलगसँ चिह्नि‍त नइँ रहत।
08:00 समीक्षक द्वारा कएल गेल समस्‍त टिप्पणीकें समाविष्ट क' लेलाक बाद, बदलावकें स्वीकार अथवा अस्वीकार क' लेलाक बाद, कृपया फाइलकें सेव करबा लेल सुनिश्चित रही।
08:08 आब हम अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि‍ गेल छी। अंततः बोधपूर्ण वि‍शि‍ष्‍ट-कार्य--
08:15 कोनो डॉक्युमेंट ओपन करी आ Record Changes मोडमे हि‍ज्‍जेक त्रुटि‍ सुधारी।
08:25 एतए ई बोधपूर्ण वि‍शि‍ष्‍ट-कार्य हम पहि‍नहि‍ तैयार क' देने छी।
08:31 अनुवर्ती लिंक पर उपलब्ध विडियोमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश अछि।जँ अहाँ लग बढ़ि‍याँ बैन्ड्विड्थ नइँ अछि त' एकरा डाउनलोड क' कए सेहो देखि‍ सकै छी।
08:40 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट, स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग क' कए कार्यशाला सेहो चलबैत अछि।
08:44 ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हार व्‍यक्‍ति‍कें प्रमाण-पत्र सेहो देल जाइत अछि‍।
08:48 अधिक जानकारी लेल कृपया संपर्क करी--

contact [at] spoken hypen tutorial dot org. contact@spoken-tutorial.org

08:54 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा अछि। ई आईसीटीक माध्यमे भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि।
09:03 अइ वि‍षयमे अधिक जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hypen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि।
09:14 ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि, आई.आई.टी बॉम्बे दि‍शसँ उज्ज्वल आलोक संग हम देवशंकर नवीन आब अपने लोकनि‍सँ विदा लै छी। धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok