Difference between revisions of "LibreOffice-Suite-Writer/C2/Introduction-to-LibreOffice-Writer/Maithili"

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Line 1: Line 1:
 
Time Narration  
 
Time Narration  
 +
 
0:01 लिबर ऑफिस राइटरक स्पोकन ट्यूटोरियलमे अपने लोकनि‍क स्वागत अछि‍ – अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍ राइटरक परिचय जानब।  
 
0:10 राइटरक वि‍भिन्न टूल बार।  
 
0:10 राइटरक वि‍भिन्न टूल बार।  
 +
 
0:13 नव डॉक्युमेंट अथवा वर्तमान डॉक्युमेंट कोना खोली?  
 
0:17 डॉक्युमेंट कोना सेव करी? आ...  
 
0:17 डॉक्युमेंट कोना सेव करी? आ...  
 +
 
0:20 राइटरमे डॉक्युमेंट कोना बंद करी ?  
 
0:20 राइटरमे डॉक्युमेंट कोना बंद करी ?  
 +
 
0:22 लिबर ऑफिस राइटर लिबर ऑफिस सूटक एकटा वर्ड प्रोसेसर घटक थि‍क।  
 
0:27 माइक्रोसॉफ़्ट ऑफिस सूटमे ई माइक्रोसॉफ़्ट वर्ड जकां होइत अछि‍।  
 
0:27 ई निःशुल्क आ ‘ओपन सोर्स सॉफ्टवेयर’ थि‍क, तें बिना कोनो प्रतिबंधक एकर आदान-प्रदान, संशोधन आ वितरण कएल जा सकैत अछि‍।  
 
0:41 चूँकि एकर आदान-प्रदान निःशुल्क अछि‍, तें एकर आदान-प्रदान बि‍ना कोनो लाइसेंस शुल्कक संभव अछि‍।
 
0:47 लिबर ऑफिस सूटमे काज करबा लेल अहां माइक्रोसॉफ़्ट विंडोज़ 2000 आ एकर उच्च वर्ज़न MS Windows XP वा MS Windows 7 क उपयोग क' सकै छी, अथवा GNU/Linux ऑपरेटिंग सिस्टमक उपयोग क' सकै छी।
 
1:04 एतए हमरा लोकनि‍ उबंटू लिनक्स 10.04 ऑपरेटिंग सिस्टम आ लिबर ऑफिस सूट 3.3.4 वर्ज़नक उपयोग क' रहल छी।  
 
1:16 जौं लिबर ऑफिस सूट ‘इनस्टॉल’ नंइ केने छी त' ‘सिनाप्टिक पैकेज मैनेजर’क उपयोग करैत राइटर इनस्टॉल क' सकै छी।  
 
1:24 सिनाप्टिक पैकेज मैनेजर पर अधिक जानकारी लेल, कृपया उबंटू लिनक्स ट्यूटोरियल देखी आ अइ वेबसाइट पर देल निर्देश, क पालन करैत लिबर ऑफिस सूट डाउनलोड करी।  
 
1:37 विस्तृत निर्देश लिबर ऑफिस सूटक पहि‍ल ट्यूटोरियलमे उपलब्ध  अछि‍।  
 
1:43 ध्यातन रहए, राइटर इनस्टॉल करबा काल 'Complete' विकल्पक उपयोग करी।  
 
1:50 जौं अपने लिबर ऑफिस सूट पहि‍नहि‍ इनस्टॉल क' नेने छी…  
 
1:54 त' स्क्रीनक ऊपरि‍ भागमे बामा कात “Applications” विकल्प क्लिक केला पर अपनेकें लिबर ऑफिस राइटर भेटत।  
 
2:02 तत्पश्चात “Office” आ फेर “LibreOffice” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
2:08 विभिन्न लिबर ऑफिस घटकक संग एक टा न'व डाइलॉग बॉक्स खुजत।  
 
2:13 लिबर ऑफिसक उपयोग करबा लेल “Text Document” विकल्प पर क्लिक करी जे कि‍ सूटक एक टा वर्ड प्रोसेसर घटक थि‍क।  
 
2:23 मुख्य राइटर विंडोमे ई एकटा खाली डॉक्युमेंट खोलत।  
 
2:28 राइटर विंडोमे विभिन्न टूल बार होइत अछि‍--टाइटल बार,  
 
2:33 मेन्यू बार, स्टैंडर्ड टूल बार,  
 
2:33 मेन्यू बार, स्टैंडर्ड टूल बार,  
 +
 
2:36 फॉर्मैटिंग बार आ स्टेटस बारमे अधिक उपयोग अबै वला विकल्प अछि‍; तकरा मादे हमरा लोकनि‍ अगि‍ला ट्यूटोरियल्समे सीखब।  
 
2:47 आब हमरा लोकनि‍ राइटरमे ई सीखैत ट्यूटोरियल आरंभ करी जे एकटा नव डॉक्युमेंट कोना खोलल जाए।  
 
2:53 स्टैंडर्ड टूल बारमे “New” आइकन पर क्लिक करैत अहां एकटा नव डॉक्युमेंट खोलि‍ सकै छी।  
 
3:00 अथवा मेन्यू बारमे “File” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
3:05 आ फेर “New” विकल्प क्लिक करी, फेर अंतमे “Text document” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
3:12 अहां देखब जे दुन्नू  स्थिप‍ति‍मे एकटा नव राइटर विंडो खुजैत अछि‍।  
 
3:17 आब एडिटर एरियामे कि‍छु टाइप करी।  
 
3:17 आब एडिटर एरियामे कि‍छु टाइप करी।  
 +
 
3:21 अइ तरहें अहाँ टाइप करी “RESUME”.  
 
3:21 अइ तरहें अहाँ टाइप करी “RESUME”.  
 +
 
3:24 एवम प्रकारें डॉक्युमेंट लेखन भ' जाए, त' भविष्यहुमे उपयोग कर' लेल एकरा सेव क' ली।  
 
3:29 अइ फाइलकें सेव कर' लेल, मेन्यू बारमे “File” पर क्लिक करी।  
 
3:33 आ फेर “Save As” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
3:36 स्क्रीन पर एक डाइलॉग बॉक्स खुजत जतए अहांकें “Name” फील्डमे अपन फाइलक नाम भरए पड़त।  
 
3:44 ओतए अहां फाइलक नाम “resume”  भरी।  
 
3:44 ओतए अहां फाइलक नाम “resume”  भरी।  
 +
 
3:48 “Name” field क नीचांमे “Save in folder” अछि‍।  
 
3:53 फील्डमे अहाँक सेव कएल फाइल होइत अछि‍, ओतए अहांकें फोल्डरक नाम टाइप करए पड़त।
 
3:58 “Save in folder”  फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी।  
 
4:02 मेन्यूमे फ़ोल्डर सभक सूची देखाएत, जतए अहां फाइल सेव क' सकै छी।  
 
4:08 आब अहां “Desktop” विकल्प पर क्लिक करी। अइसं फाइल डेस्कटॉप पर सेव भ' जाएत।   
 
4:14 अहां “Browse for other folders” पर सेहो क्लिक क' सकै छी...  
 
4:18 आ फोल्डर चुनि‍ सकै छी, जाहि‍मे अहांकें अपन डॉक्युमेंट सेव करबाक अछि‍।  
 
4:23 आब डाइलॉग बॉक्समे “File type” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
4:27 ई अहांकें फाइलक प्रकार अर्थात फाइलक टाइप के विकल्प वा फाइल एक्सटेंशन देखाओत जाहि‍मे अहां अपन फाइल सेव क' सकै छी।   
 
4:34 लिबर ऑफिस राइटरमे डिफॉल्ट फाइल टाइप “ODF Text Document” अछि‍ जे “dot odt” एक्सटेंशन देत।  
 
4:45 ओपन डॉक्युमेंट फॉर्मेट या ODF फॉर्मेट मे ODT होइत अछि‍, जे वर्ड डॉक्युमेंट लेल वैश्विक‍क स्तर पर स्वीकृत ओपन स्टैंडर्ड होइत अछि‍।
 
4:56 ई ''ओपन स्टैंडर्ड इन ई-गवर्नेंस'' लेल भारत सरकारक नीति‍ द्वारा द्वारा सेहो स्वीकृत अछि‍।  
 
5:04 लिबर ऑफिस राइटरमे खुजै वला dot odt टेक्स्ट डॉक्युमेंट्समे सेव करबाक अतिऱिक्त ...  
 
5:11 अहां अपन फाइल dot doc आ dot docx फॉर्मेटमे सेहो सेव क' सकै छी जे एम.एस. ऑफिस वर्ड प्रोग्राममे ओपन कएल जा सकैत अछि‍।  
 
5:23 एकटा आओरों लोकप्रिय फाइल एक्सटेंशन, जे अधिकतर प्रोग्राम सबमे खुजैत अछि‍, से थि‍क dot rtf, जे “Rich Text Format” थि‍क।  
 
5:33 आब “ODF Text Document” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
5:37 फेर अहांकें “File type” विकल्पक आगां “ODF Text Document” आ कोष्ठकमे dot “odt” देखाएत।  
 
5:48 आब “Save” बटन पर क्लिक करी।  
 
5:48 आब “Save” बटन पर क्लिक करी।  
 +
 
5:50 ई अहांकें मनवांछि‍त फाइलक नाम आ एक्सटेंशनक संग वापस राइटर विंडोमे टाइटल बार पर ल' जाएत।  
 
5:58 आब अहां राइटर विंडोमे टेक्स्ट डॉक्युमेंट लिखबा लेल तैयार छी।
 
6:03 उपर्युक्तह फॉर्मेटक अलावा राइटर डॉक्युमेंट अहां “dot html” नामक वेब पेज फॉर्मेट मे सेहो सेव क' सकै छी।  
 
6:13 ईहो ओहि‍ना होइत अछि‍ जेना पूर्वमे कहल गेल अछि‍।  
 
6:17 अइ लेल मेन्यू बारमे “File” विकल्प पर क्लिक करी आ फेर “Save As” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
6:24 आब पहि‍ने “File Type” विकल्प पर, फेर HTML Document पर आ फेर कोष्ठकमे “Open Office dot org Writer”  विकल्प पर क्लिक करी ।   
 
6:35 ई विकल्प डॉक्युमेंटकें “dot html” एक्सटेंशन दैत अछि‍।   
 
6:40 आब “Save” बटन पर क्लिक करी।  
 
6:40 आब “Save” बटन पर क्लिक करी।  
 +
 
6:42 आब डाइलॉग बॉक्समे “Ask when not saving in ODF format” विकल्पकें क्लिक करी।  
 
6:50 आ अंतमे “Keep Current Format” विकल्प पर क्लिक करी।  
 
6:55 अहां देखब जे डॉक्युमेंट dot html एक्सटेंशन संगे सेव भेल अछि‍।  
 
7:00 स्टैंडर्ड टूल बारमे “Export Directly as PDF” पर क्लिक केलासं अहां डॉक्युमेंटकें PDF फॉर्मेटमे सेहो परि‍णत क' सकै छी।  
 
7:10 पहि‍नहि‍ जकां, अहां ओ स्थान नि‍र्धारि‍त करी जतए एकरा सेव करए चाहै छी।  
 
7:15 ई मार्ग अहां मेन्यू बारमे “File” विकल्प आ फेर “Export as pdf” विकल्प पर क्लिक करैत सेहो अपना सकै छी।  
 
7:24 डाइलॉग बॉक्समे अहांकें जे देखा रहल अछि‍ तइमे “Export” पर क्लिक करी आ फेर “Save” बटन पर क्लिक करी।  
 
7:32 ई केलासं एकटा pdf  फाइल बनि‍ जाएत।   
 
7:32 ई केलासं एकटा pdf  फाइल बनि‍ जाएत।   
 +
 
7:35 आब “File” पर आ फेर “Close” पर क्लिक करैत अइ डॉक्युमेंटकें बंद करी।  
 
7:40 आब हमरा लोकनि‍ सीखब जे लिबर ऑफिस राइटरमे मौजूद कोनो डॉक्युमेंट कोना खोलब?  
 
7:47 सबसं पहि‍ने हमरा लोकनि‍ “Resume.odt." डॉक्युमेंट खोली।  
 
7:51 कोनो मौजूद डॉक्युमेंट खोलबा लेल, ऊपर मेन्यू बारमे “File” पर क्लिक करी आ फेर “Open” विकल्प पर क्लिक करी।   
 
8:00 स्क्रीन पर अहांकें एकटा डाइलॉग बॉक्स देखाएत।  
 
8:04 एतए अहां ओइ फोल्डरकें ताकी जै'मे अहां अपन डॉक्युमेंट सेव केने छी।  
 
8:08 अइ लेल अहां डाइलॉग बॉक्सक ऊपरी भागमे बामा कोनमे छोट सन पेंसिल बटन पर क्लिक करी।  
 
8:14 अइमे नाम अछि‍, “Type a file Name”.  
 
8:14 अइमे नाम अछि‍, “Type a file Name”.  
 +
 
8:16 ई “Location Bar” नामक एकटा फील्ड खोलत।  
 
8:19 एतए अहां ओइ फाइलक नाम टाइप करी, जे अहांकें चाही।  
 
8:24 तें हमरा लोकनि‍ फाइलक नाम “resume” टाइप करी।  
 
8:27 आब सूचीमे जे फाइलक नाम resume देखाइत अछि‍ ओइमे “resume dot odt” चुनी।  
 
8:34 आब “Open” बटन पर क्लिक करी।  
 
8:34 आब “Open” बटन पर क्लिक करी।  
 +
 
8:37 अहां देखब जे resume.odt फाइल खुजैत अछि‍।  
 
8:41 ऊपरी भाग'क टूल बारमे “Open” आइकन पर क्लिक करैत आ फेर आगूक प्रक्रिया बेराबेरी पूर करैत अहां मौजूद फाइल खोलि‍ सकै छी।  
 
8:52 माइक्रोसॉफ्ट वर्ड द्वारा प्रयुक्तं “dot doc” आ “dot docx” एक्सटेंशन वला फाइल सेहो अहां राइटरमे खोलि‍ सकै छी।   
 
9:03 आगू अहां देखब जे फाइलमे परि‍वर्तन कोना करी आ कोना ओइ फाइलकें ओही नामसं सेव करी।   
 
9:10 अइ लेल पहि‍ने बामा कातक माउस बटन पर क्लिक करैत “RESUME” टेक्स्ट सलेक्टक करी आ फेर टेक्स्ट समेत घि‍सि‍या क' ओतए ल' जाइ।  
 
9:17 ई टेक्स्टकें सलेक्टि करैत ओकरा हाइलाइट करत। आब बाम कातक माउस बटन छोड़ि‍ दी।  
 
9:24 टेक्स्ट एखनहुं धरि‍ हाइलाइट रह'क चाही।  
 
9:26 स्टैंडर्ड टूल बारमे “Bold” आइकन पर क्लिक करी। अइसं टेक्स्ट बोल्ड भ' जाएत।  
 
9:33 टेक्स्टकें पृष्ठ 'क मध्यमे अनबा लेल टूल बार'क “Centered” आइकन पर क्लिक करी।  
 
9:41 अहां देखब जे टेक्स्ट पृष्ठध'क  मध्यमे आबि‍ गेल अछि‍।  
 
9:45 आब टेक्स्टक फॉन्ट साइज़ नमहर करी।  
 
9:45 आब टेक्स्टक फॉन्ट साइज़ नमहर करी।  
 +
 
9:48 टूल बारमे “Font Size” फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी।  
 
9:53 ड्रॉपडाउन मेन्यूमे “14” पर क्लिक करी।  
 
9:57 अइसं टेक्स्टक फॉन्ट साइज़ “14” भ' जाएत।  
 
10:01 आब “Font Name” फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी आ फेर “UnDotum” फॉन्ट सलेक्टा करी।  
 
10:09 टूल बारमे “Save” आइकन पर क्लिक करी।  
 
10:13 अहां देखब जे परि‍वर्तन'क बादहु फाइल ओही नामे सेव भेल अछि‍।  
 
10:21 डॉक्युमेंट सेव केलाक बाद अहां ओकरा बंद करए चाहब,
 
10:25 अइ लेल मेन्यू बारमे “File” मेन्यू पर आ फेर “Close” विकल्प पर क्लिक करी। अइसं अहांक फाइल बंद भ' जाएत।  
 
10:33 आब हमरा लोकनि‍ लिबर ऑफिस राइटरक स्पोकन ट्यूटोरियलक अंति‍म क्षणमे आबि‍ गेल छी। तें संक्षेपमे देखी जे हमरा लोकनि‍ की सि‍खलहुं।  
 
10:43 राइटर आ ओकर विभिन्न टूलबारक परि‍चय बुझलहुं।  
 
10:45 राइटरमे न'व अथवा पहि‍नहि‍से वि‍द्यमान डॉक्युमेंट कोना खोली आ डॉक्युमेंट कोना सेव करी।  
 
10:52 डॉक्युमेंट कोना बंद करी।  
 
10:52 डॉक्युमेंट कोना बंद करी।  
 +
 
10:55 आब पैघ दायि‍त्व ---राइटरमे न'व डॉक्युमेंट खोलू।  
 
11:01 “practice.odt” नामसं ओकरा सेव करू।  
 
11:05 ओइमे टाइप करू “This is my first assignment.”  
 
11:08 फाइलकें सेव करू। टेक्स्टकें रेखांकि‍त करू। फॉन्ट साइज़ बढ़ा क' 16 क' लि‍अ'। आ फाइल बंद क' लि‍अ'।  
 
11:18 निम्नलिखित लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू। एतए अहांकें स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सार-संक्षेप भेटत।  
 
11:24 जौं अहांक बैंडविड्थ अनुकूल नइं अछि‍, त' डाउनलोड क' कए फाइल देखि‍ सकै छी।  
 
11:29 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टन दल *ट्यूटोरि‍यल द्वारा कार्यशाला आयोजित करैत अछि‍। * ऑनलाइन परीक्षा पास केनि‍हारकें सर्टिफिकेट दैत अछि‍।  
 
11:38 अधिक जानकारी लेल कृपया contact@spoken- tutorial.org पर पता पर हमरा लोकनि‍सं संपर्क करी।  
 
11:45 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट ''टॉक-टू-अ टीचर'' परि‍योजनाक अंगीभूत एकाइ थि‍क।  
 
11:48 ई परि‍योजना आई. सी. टी. क माध्यमे एम.एच.आर.डी., भारत सरकारक राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि‍।  
 
11:56 अइ परि‍योजनाक मादे अधिक जानकारी spoken-tutorial.org/ NMEICT-intro पर उपलब्ध अछि‍
 
12:07 ई स्क्रिप्ट उज्ज्वल आलोक एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदि‍त आ आई.आई. टी. बॉम्बे द्वारा प्रस्तुात कएल गेल। आब हम, देवशंकर नवीन  अपनेसं विदा लै छी, धन्यवाद।
 
Revision as of 11:39, 3 August 2017

4:56 ई ओपन स्टैंडर्ड इन ई-गवर्नेंस लेल भारत सरकारक नीति‍ द्वारा द्वारा सेहो स्वीकृत अछि‍।

11:45 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर परि‍योजनाक अंगीभूत एकाइ थि‍क।

11:48 ई परि‍योजना आई. सी. टी. क माध्यमे एम.एच.आर.डी., भारत सरकारक राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि‍।

11:56 अइ परि‍योजनाक मादे अधिक जानकारी spoken-tutorial.org/ NMEICT-intro पर उपलब्ध अछि‍

12:07 ई स्क्रिप्ट उज्ज्वल आलोक एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदि‍त आ आई.आई. टी. बॉम्बे द्वारा प्रस्तुात कएल गेल। आब हम, देवशंकर नवीन अपनेसं विदा लै छी, धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok