LibreOffice-Suite-Writer/C2/Introduction-to-LibreOffice-Writer/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Time | Narration |
0:01 | लिबर ऑफिस राइटरक स्पोकन ट्यूटोरियलमे अपने लोकनिक स्वागत अछि – अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि राइटरक परिचय जानब। |
0:10 | राइटरक विभिन्न टूल बार। |
0:13 | नव डॉक्युमेंट अथवा वर्तमान डॉक्युमेंट कोना खोली? |
0:17 | डॉक्युमेंट कोना सेव करी? आ... |
0:20 | राइटरमे डॉक्युमेंट कोना बंद करी ? |
0:22 | लिबर ऑफिस राइटर लिबर ऑफिस सूटक एकटा वर्ड प्रोसेसर घटक थिक। |
0:27 | माइक्रोसॉफ़्ट ऑफिस सूटमे ई माइक्रोसॉफ़्ट वर्ड जकां होइत अछि। |
0:32 | ई निःशुल्क आ ओपन सोर्स सॉफ्टवेयर थिक, तें बिना कोनो प्रतिबंधक एकर आदान-प्रदान, संशोधन आ वितरण कएल जा सकैत अछि। |
0:41 | चूँकि एकर आदान-प्रदान निःशुल्क अछि, तें एकर आदान-प्रदान बिना कोनो लाइसेंस शुल्कक संभव अछि। |
0:47 | लिबर ऑफिस सूटमे काज करबा लेल अहां माइक्रोसॉफ़्ट विंडोज़ 2000 आ एकर उच्च वर्ज़न MS Windows XP वा MS Windows 7 क उपयोग क' सकै छी, अथवा GNU/Linux ऑपरेटिंग सिस्टमक उपयोग क' सकै छी। |
1:04 | एतए हमरा लोकनि उबंटू लिनक्स 10.04 ऑपरेटिंग सिस्टम आ लिबर ऑफिस सूट 3.3.4 वर्ज़नक उपयोग क' रहल छी। |
1:16 | जौं लिबर ऑफिस सूट इनस्टॉल नंइ केने छी त' सिनाप्टिक पैकेज मैनेजरक उपयोग करैत राइटर इनस्टॉल क' सकै छी। |
1:24 | सिनाप्टिक पैकेज मैनेजर पर अधिक जानकारी लेल, कृपया उबंटू लिनक्स ट्यूटोरियल देखी आ अइ वेबसाइट पर देल निर्देश, क पालन करैत लिबर ऑफिस सूट डाउनलोड करी। |
1:37 | विस्तृत निर्देश लिबर ऑफिस सूटक पहिल ट्यूटोरियलमे उपलब्ध अछि। |
1:43 | ध्यातन रहए, राइटर इनस्टॉल करबा काल Complete विकल्पक उपयोग करी। |
1:50 | जौं अपने लिबर ऑफिस सूट पहिनहि इनस्टॉल क' नेने छी… |
1:54 | त' स्क्रीनक ऊपरि भागमे बामा कात Applications विकल्प क्लिक केला पर अपनेकें लिबर ऑफिस राइटर भेटत। |
2:02 | तत्पश्चात Office आ फेर LibreOffice विकल्प पर क्लिक करी। |
2:08 | विभिन्न लिबर ऑफिस घटकक संग एक टा न'व डाइलॉग बॉक्स खुजत। |
2:13 | लिबर ऑफिसक उपयोग करबा लेल Text Document विकल्प पर क्लिक करी जे कि सूटक एक टा वर्ड प्रोसेसर घटक थिक। |
2:23 | मुख्य राइटर विंडोमे ई एकटा खाली डॉक्युमेंट खोलत। |
2:28 | राइटर विंडोमे विभिन्न टूल बार होइत अछि--टाइटल बार, |
2:33 | मेन्यू बार, स्टैंडर्ड टूल बार, |
2:36 | फॉर्मैटिंग बार आ स्टेटस बारमे अधिक उपयोग अबै वला विकल्प अछि; तकरा मादे हमरा लोकनि अगिला ट्यूटोरियल्समे सीखब। |
2:47 | आब हमरा लोकनि राइटरमे ई सीखैत ट्यूटोरियल आरंभ करी जे एकटा नव डॉक्युमेंट कोना खोलल जाए। |
2:53 | स्टैंडर्ड टूल बारमे New आइकन पर क्लिक करैत अहां एकटा नव डॉक्युमेंट खोलि सकै छी। |
3:00 | अथवा मेन्यू बारमे File विकल्प पर क्लिक करी। |
3:05 | आ फेर New विकल्प क्लिक करी, फेर अंतमे Text document विकल्प पर क्लिक करी। |
3:12 | अहां देखब जे दुन्नू स्थिपतिवमे एकटा नव राइटर विंडो खुजैत अछि। |
3:17 | आब एडिटर एरियामे किछु टाइप करी। |
3:21 | अइ तरहें अहाँ टाइप करी RESUME. |
3:24 | एवम प्रकारें डॉक्युमेंट लेखन भ' जाए, त' भविष्यहुमे उपयोग कर' लेल एकरा सेव क' ली। |
3:29 | अइ फाइलकें सेव कर' लेल, मेन्यू बारमे File पर क्लिक करी। |
3:33 | आ फेर Save As विकल्प पर क्लिक करी। |
3:36 | स्क्रीन पर एक डाइलॉग बॉक्स खुजत जतए अहांकें Name फील्डमे अपन फाइलक नाम भरए पड़त। |
3:44 | ओतए अहां फाइलक नाम resume भरी। |
3:48 | Name field क नीचांमे Save in folder अछि। |
3:53 | फील्डमे अहाँक सेव कएल फाइल होइत अछि, ओतए अहांकें फोल्डरक नाम टाइप करए पड़त। |
3:58 | Save in folder फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी। |
4:02 | मेन्यूमे फ़ोल्डर सभक सूची देखाएत, जतए अहां फाइल सेव क' सकै छी। |
4:08 | आब अहां Desktop विकल्प पर क्लिक करी। अइसं फाइल डेस्कटॉप पर सेव भ' जाएत। |
4:14 | अहां Browse for other folders पर सेहो क्लिक क' सकै छी... |
4:18 | आ फोल्डर चुनि सकै छी, जाहिमे अहांकें अपन डॉक्युमेंट सेव करबाक अछि। |
4:23 | आब डाइलॉग बॉक्समे File type विकल्प पर क्लिक करी। |
4:27 | ई अहांकें फाइलक प्रकार अर्थात फाइलक टाइप के विकल्प वा फाइल एक्सटेंशन देखाओत जाहिमे अहां अपन फाइल सेव क' सकै छी। |
4:34 | लिबर ऑफिस राइटरमे डिफॉल्ट फाइल टाइप ODF Text Document अछि जे dot odt एक्सटेंशन देत। |
4:45 | ओपन डॉक्युमेंट फॉर्मेट या ODF फॉर्मेट मे ODT होइत अछि, जे वर्ड डॉक्युमेंट लेल वैश्विककश स्तर पर स्वीकृत ओपन स्टैंडर्ड होइत अछि। |
4:56 | ई ओपन स्टैंडर्ड इन ई-गवर्नेंस लेल भारत सरकारक नीति द्वारा द्वारा सेहो स्वीकृत अछि। |
5:04 | लिबर ऑफिस राइटरमे खुजै वला dot odt टेक्स्ट डॉक्युमेंट्समे सेव करबाक अतिऱिक्त ... |
5:11 | अहां अपन फाइल dot doc आ dot docx फॉर्मेटमे सेहो सेव क' सकै छी जे एम.एस. ऑफिस वर्ड प्रोग्राममे ओपन कएल जा सकैत अछि। |
5:23 | एकटा आओरों लोकप्रिय फाइल एक्सटेंशन, जे अधिकतर प्रोग्राम सबमे खुजैत अछि, से थिक dot rtf, जे Rich Text Format थिक। |
5:33 | आब ODF Text Document विकल्प पर क्लिक करी। |
5:37 | फेर अहांकें File type विकल्पक आगां ODF Text Document आ कोष्ठकमे dot odt देखाएत। |
5:48 | आब Save बटन पर क्लिक करी। |
5:50 | ई अहांकें मनवांछित फाइलक नाम आ एक्सटेंशनक संग वापस राइटर विंडोमे टाइटल बार पर ल' जाएत। |
5:58 | आब अहां राइटर विंडोमे टेक्स्ट डॉक्युमेंट लिखबा लेल तैयार छी। |
6:03 | उपर्युक्तह फॉर्मेटक अलावा राइटर डॉक्युमेंट अहां dot html नामक वेब पेज फॉर्मेट मे सेहो सेव क' सकै छी। |
6:13 | ईहो ओहिना होइत अछि जेना पूर्वमे कहल गेल अछि। |
6:17 | अइ लेल मेन्यू बारमे File विकल्प पर क्लिक करी आ फेर Save As विकल्प पर क्लिक करी। |
6:24 | आब पहिने File Type विकल्प पर, फेर HTML Document पर आ फेर कोष्ठकमे Open Office dot org Writer विकल्प पर क्लिक करी । |
6:35 | ई विकल्प डॉक्युमेंटकें dot html एक्सटेंशन दैत अछि। |
6:40 | आब Save बटन पर क्लिक करी। |
6:42 | आब डाइलॉग बॉक्समे Ask when not saving in ODF format विकल्पकें क्लिक करी। |
6:50 | आ अंतमे Keep Current Format विकल्प पर क्लिक करी। |
6:55 | अहां देखब जे डॉक्युमेंट dot html एक्सटेंशन संगे सेव भेल अछि। |
7:00 | स्टैंडर्ड टूल बारमे Export Directly as PDF पर क्लिक केलासं अहां डॉक्युमेंटकें PDF फॉर्मेटमे सेहो परिणत क' सकै छी। |
7:10 | पहिनहि जकां, अहां ओ स्थान निर्धारित करी जतए एकरा सेव करए चाहै छी। |
7:15 | ई मार्ग अहां मेन्यू बारमे File विकल्प आ फेर Export as pdf विकल्प पर क्लिक करैत सेहो अपना सकै छी। |
7:24 | डाइलॉग बॉक्समे अहांकें जे देखा रहल अछि तइमे Export पर क्लिक करी आ फेर Save बटन पर क्लिक करी। |
7:32 | ई केलासं एकटा pdf फाइल बनि जाएत। |
7:35 | आब File पर आ फेर Close पर क्लिक करैत अइ डॉक्युमेंटकें बंद करी। |
7:40 | आब हमरा लोकनि सीखब जे लिबर ऑफिस राइटरमे मौजूद कोनो डॉक्युमेंट कोना खोलब? |
7:47 | सबसं पहिने हमरा लोकनि Resume.odt. डॉक्युमेंट खोली। |
7:51 | कोनो मौजूद डॉक्युमेंट खोलबा लेल, ऊपर मेन्यू बारमे File पर क्लिक करी आ फेर Open विकल्प पर क्लिक करी। |
8:00 | स्क्रीन पर अहांकें एकटा डाइलॉग बॉक्स देखाएत। |
8:04 | एतए अहां ओइ फोल्डरकें ताकी जै'मे अहां अपन डॉक्युमेंट सेव केने छी। |
8:08 | अइ लेल अहां डाइलॉग बॉक्सक ऊपरी भागमे बामा कोनमे छोट सन पेंसिल बटन पर क्लिक करी। |
8:14 | अइमे नाम अछि, Type a file Name. |
8:16 | ई Location Bar नामक एकटा फील्ड खोलत। |
8:19 | एतए अहां ओइ फाइलक नाम टाइप करी, जे अहांकें चाही। |
8:24 | तें हमरा लोकनि फाइलक नाम resume टाइप करी। |
8:27 | आब सूचीमे जे फाइलक नाम resume देखाइत अछि ओइमे resume dot odt चुनी। |
8:34 | आब Open बटन पर क्लिक करी। |
8:37 | अहां देखब जे resume.odt फाइल खुजैत अछि। |
8:41 | ऊपरी भाग'क टूल बारमे Open आइकन पर क्लिक करैत आ फेर आगूक प्रक्रिया बेराबेरी पूर करैत अहां मौजूद फाइल खोलि सकै छी। |
8:52 | माइक्रोसॉफ्ट वर्ड द्वारा प्रयुक्तं dot doc आ dot docx एक्सटेंशन वला फाइल सेहो अहां राइटरमे खोलि सकै छी। |
9:03 | आगू अहां देखब जे फाइलमे परिवर्तन कोना करी आ कोना ओइ फाइलकें ओही नामसं सेव करी। |
9:10 | अइ लेल पहिने बामा कातक माउस बटन पर क्लिक करैत RESUME टेक्स्ट सलेक्टक करी आ फेर टेक्स्ट समेत घिसिया क' ओतए ल' जाइ। |
9:17 | ई टेक्स्टकें सलेक्टि करैत ओकरा हाइलाइट करत। आब बाम कातक माउस बटन छोड़ि दी। |
9:24 | टेक्स्ट एखनहुं धरि हाइलाइट रह'क चाही। |
9:26 | स्टैंडर्ड टूल बारमे Bold आइकन पर क्लिक करी। अइसं टेक्स्ट बोल्ड भ' जाएत। |
9:33 | टेक्स्टकें पृष्ठ 'क मध्यमे अनबा लेल टूल बार'क Centered आइकन पर क्लिक करी। |
9:41 | अहां देखब जे टेक्स्ट पृष्ठध'क मध्यमे आबि गेल अछि। |
9:45 | आब टेक्स्टक फॉन्ट साइज़ नमहर करी। |
9:48 | टूल बारमे Font Size फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी। |
9:53 | ड्रॉपडाउन मेन्यूमे 14 पर क्लिक करी। |
9:57 | अइसं टेक्स्टक फॉन्ट साइज़ 14 भ' जाएत। |
10:01 | आब Font Name फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी आ फेर UnDotum फॉन्ट सलेक्टा करी। |
10:09 | टूल बारमे Save आइकन पर क्लिक करी। |
10:13 | अहां देखब जे परिवर्तन'क बादहु फाइल ओही नामे सेव भेल अछि। |
10:21 | डॉक्युमेंट सेव केलाक बाद अहां ओकरा बंद करए चाहब, |
10:25 | अइ लेल मेन्यू बारमे File मेन्यू पर आ फेर Close विकल्प पर क्लिक करी। अइसं अहांक फाइल बंद भ' जाएत। |
10:33 | आब हमरा लोकनि लिबर ऑफिस राइटरक स्पोकन ट्यूटोरियलक अंतिम क्षणमे आबि गेल छी। तें संक्षेपमे देखी जे हमरा लोकनि की सिखलहुं। |
10:43 | राइटर आ ओकर विभिन्न टूलबारक परिचय बुझलहुं। |
10:45 | राइटरमे न'व अथवा पहिनहिसे विद्यमान डॉक्युमेंट कोना खोली आ डॉक्युमेंट कोना सेव करी। |
10:52 | डॉक्युमेंट कोना बंद करी। |
10:55 | आब पैघ दायित्व ---राइटरमे न'व डॉक्युमेंट खोलू। |
11:01 | practice.odt नामसं ओकरा सेव करू। |
11:05 | ओइमे टाइप करू This is my first assignment. |
11:08 | फाइलकें सेव करू। टेक्स्टकें रेखांकित करू। फॉन्ट साइज़ बढ़ा क' 16 क' लिअ'। आ फाइल बंद क' लिअ'। |
11:18 | निम्नलिखित लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू। एतए अहांकें स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सार-संक्षेप भेटत। |
11:24 | जौं अहांक बैंडविड्थ अनुकूल नइं अछि, त' डाउनलोड क' कए फाइल देखि सकै छी। |
11:29 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टन दल *ट्यूटोरियल द्वारा कार्यशाला आयोजित करैत अछि। * ऑनलाइन परीक्षा पास केनिहारकें सर्टिफिकेट दैत अछि। |
11:38 | अधिक जानकारी लेल कृपया contact@spoken- tutorial.org पर पता पर हमरा लोकनिसं संपर्क करी। |
11:45 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर परियोजनाक अंगीभूत एकाइ थिक। |
11:48 | ई परियोजना आई. सी. टी. क माध्यमे एम.एच.आर.डी., भारत सरकारक राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि। |
11:56 | अइ परियोजनाक मादे अधिक जानकारी spoken-tutorial.org/ NMEICT-intro पर उपलब्ध अछि |
12:07 | ई स्क्रिप्ट उज्ज्वल आलोक एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित आ आई. आई. टी. बॉम्बे द्वारा प्रस्तुत कएल गेल। आब हम, देवशंकर नवीन अपनेसं विदा लै छी, धन्यवाद। |