LibreOffice-Suite-Writer/C2/Inserting-pictures-and-objects/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Resources for recording Inserting Pictures and Formatting Features
Time | Narration |
00:00 | लिबरे ऑफिस राइटरक इन्सर्टिंग इमेजेज विषयक स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि। |
00:06 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि सीखब-- |
00:09 | डॉक्युमेंटमे इमेज फाइल प्रविष्ट करब। |
00:12 | राइटरमे टेबल प्रविष्ट करब। |
00:15 | राइटरमे हाइपरलिंक्स प्रविष्ट करब। |
00:18 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे Ubuntu लिनक्स 10.04 आ लिबरे ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी। |
00:29 | लिबरे ऑफिस राइटरमे कोनो इमेज फाइल कोना प्रविष्ट करी, तइसँ हम' काज शुरू करब। |
00:36 | आउ, अपन 'resume.odt' फाइल खोलै छी। |
00:39 | डॉक्युमेंटमे कोनो इमेज प्रविष्ट करबा लेल पहिने resume.odt डॉक्युमेंट'क अंदर क्लिक करी। |
00:47 | आब मेन्यूबारमे Insert ऑप्शन पर क्लिक करी, फेर “Picture” पर क्लिक करी आ अंतमे From File ऑप्शन पर क्लिक करी। |
00:56 | अहाँ देखब जे एकटा Insert picture डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि। |
01:00 | आब अहाँ Location फील्डमे फाइल'क नाम लिखिकए इमेज चुनि सकै छी, जँ अहाँ एकरा अपन सिस्टममे सेव केने छी। |
01:09 | चूँकि हम किछु सेव नइँ केने छी, तें हम उपलब्ध विकल्पसँ इमेज प्रविष्ट करब। जे डिफॉल्ट रूपें प्रदान कएल जाइत अछि। |
01:16 | तें डायलॉग बॉक्स'क बामा कात Pictures ऑप्शन पर क्लिक करी। |
01:21 | आब कोनो एक टा इमेज पर क्लिक करी आ अंतमे Open बटन पर क्लिक करी। |
01:28 | अहाँ देखब जे इमेज अहाँक डॉक्युमेंटमे प्रविष्ट भ' गेल अछि। |
01:32 | अहाँ अइ इमेज'क आकार बदलिओ सकै छी आ एकरा resume'क ऊपर दहिना कोन पर ड्रैग क' सकै छी। |
01:38 | तें पहिने इमेज पर क्लिक करी। अहाँ देखब जे इमेज पर रंगीन हैंडल्स देखाइत अछि। |
01:44 | कोनो एक टा हैंडल पर कर्सर राखी आ बामा माउस बटन प्रेस करी। |
01:50 | कर्सरकें ड्रैग क' कए इमेज'क आकार बदली। आकार बदलि जाए, त' इमेज पर क्लिक करी आ एकरा एडिटर'क ऊपरका दहिना कोन धरि ड्रैग करी। |
02:01 | clipboard अथवा scanner'क उपयोग क' कए आ गैलरी (gallery) सँ लेल गेल इमेज प्रविष्ट करबाक आनो आन प्रचलित पद्धति होइत अछि। |
02:09 | आब हम सीखब जे राइटरमे टेबल कोना प्रविष्ट करी। |
02:13 | लिबरे ऑफिस राइटरमे अपन जानकारीकें सारणी फॉर्ममे रखबा लेल उपयोगकर्ताकें टेबल सक्षम बनबैत अछि। |
02:21 | अपन डॉक्युमेंटमे टेबल प्रविष्ट करबा लेल अहाँ या त' टूलबारमे Table आइकन पर क्लिक क' सकै छी आ टेबल'क आकार चुनि सकै छी अथवा इएह काज अहाँ मेन्यूबारमे Insert ऑप्शन'क माध्यमसँ क' सकै छी। |
02:36 | तें Education Details हेडिंग 'क नीचाँ टेबल प्रविष्ट करबा लेल कर्सरकें अइ हेडिंग'क नीचाँ राखी। |
02:44 | आब मेन्यूबारमे Insert मेन्यू पर क्लिक करी आ फेर Tables ऑप्शन पर क्लिक करी। |
02:51 | ई अनेक फील्ड'क संग डायलॉग बॉक्स ओपन करत। |
02:55 | आब Name” फील्डमे टेबल'क नाम दै छी--resume table. |
03:01 | Size हेडिंग'क नीचाँ Columns क संख्या 2 रखै छी। |
03:06 | Rows फील्डमे ऊपरी ऐरो पर क्लिक करी, Row क संख्या 4 धरि बढ़ाबी । columns आ rowsमे अप आ डाउन ऐरो'क उपयोग क' कए अहाँ टेबल'क आकार बढ़ा-घटा सकै छी। |
03:21 | आब डायलॉग बॉक्समे AutoFormat बटन पर क्लिक करी। |
03:25 | ई एकटा न'ब डायलॉग बॉक्स ओपन करत। अहाँ जतए जे प्रविष्ट करए चाहै छी से टेबल'क प्रारूप चुनि सकै छी। |
03:33 | राइटर, प्रारूप चुनबा लेल कैक टा विकल्प दैत अछि। हम Format'क अंदर None ऑप्शन पर क्लिक करै छी आ फेर OK बटन पर क्लिक करै छी। |
03:43 | फेर OK बटन पर क्लिक करी। |
03:45 | अहाँ देखब जे हेडिंग'क नीचां दू कॉलम आ चारि रो बला टेबल प्रविष्ट भ' गेल अछि। |
03:53 | आब हम टेबल'क अंदर कोनहुं जानकारी सारणी'क रूपमे लिख सकै छी। |
03:58 | उदहारस्वरूप, टेबल'क पहिल कॉलम आ पहिल रो'मे सेल'क अंदर क्लिक करी। |
04:04 | एतए हम Secondary School Examination टाइप करै छी। |
04:08 | आब निकटवर्ती सेल पर क्लिक करी आ 93 percent लिखी। फलस्वरूप एतए देखाएत जे रमेश'कें माध्यमिक स्कूल परीक्षामे 93 प्रतिशत अंक प्राप्त भेलनि अछि। |
04:20 | अहिना हम टेबलमे अतिरिक्त शैक्षिक विवरण टाइप क' सकै छी। |
04:25 | सेल (cell)'क ठीक निचला सेल(cell) पर क्लिक करी, जतए हम Secondary School Examination टाइप केने छी। |
04:31 | हम एतए Higher Secondary School Examination लिखै छी आ बगल'क सेलमे हम 88 percent स्कोर लिखै छी। |
04:41 | अगिला सेल धरि पहुँचै लेल तेसर रो'मे पहिल सेल पर क्लिक करी। वैकल्पिक रूपें एक सेल सँ दोसर सेल पर जाइ लेल 'टैब की' प्रेस क' सकै छी। |
04:52 | से, टैब प्रेस करी आ Graduation टाइप करी। बगल बला सेलमे 75% स्कोर टाइप करी। अन्तिम रो'मे पहिल सेल पर क्लिक करी, Post Graduation आ 70% टाइप करी। |
05:01 | अंततः आखिरी रो'मे हम पहिल सेलमे “Post Graduation हेडिंग आ निकटवर्ती सेलमे 70 percent स्कोर टाइप करै छी। |
05:12 | आब देखब जे टेबल शैक्षिक विवरण'क संग रिज्यूम रूप'मे प्रदर्शित भ' गेल अछि। |
05:18 | आउ, टेबल'क अंतिम सेल पर कर्सर राखी। |
05:24 | आब जँ हम टेबल'क आखिरी रो'क ठीक नीचां कोनो अतिरिक्त रो जोड़ए चाही, त' कीबोर्ड पर Tab की प्रेस करी। |
05:33 | अहाँ देखब जे न'ब रो प्रविष्ट भ' गेल अछि। |
05:37 | टेबल'क बाम कात हम Phd डिग्री प्राप्त टाइप करै छी आ दहिना कात 65% प्राप्तांक टाइप करै छी। |
05:49 | से, हम देखै छी जे कर्सरकें आखिरी रो पर राखि कए एक दोसर'क नीचां न'ब रो जोड़ै लेल Tab की बहुत उपयोगी अछि। |
06:00 | Tab आ Shift+Tab'क उपयोग क' कए हम टेबलमे एक सेल सं दोसर सेल'मे जा सकै छी। |
06:07 | टेबलमे अन्य महत्वपूर्ण विशेषता Optimal Column Width ऑप्शन अछि, जे स्वतः सेल्स' के कंटेंट्स'क अनुसारें कॉलम'क चौड़ाइ तय करैत अछि। |
06:18 | टेबल'क दोसर अथवा दहिना कात'क कॉलममे अइ विशेषताकें लागू करै लेल पहिने ओतए क्लिक करी आ फेर दोसर कॉलममे कतहु कर्सर राखी। |
06:30 | तें आउ, अन्तिम सेलमे टेक्स्ट'क बाद 65% पर कर्सर राखी। |
06:35 | आब मेन्यूबारमे Table मेन्यू पर क्लिक करी आ फेर Autofit ऑप्शन पर जाइ। |
06:42 | मेन्यूमे जे स्क्रीन पर देखाइ पड़ि रहल अछि, तइमे Optimal Column Width ऑप्शन पर क्लिक करी। |
06:49 | अहाँ देखब जे कॉमलमे सेल्स'क कंटेंट'क अनुकूल कॉलम'क चौड़ाई स्वतः ही तय होइत अछि। |
06:58 | ओही तरहें हम टेबलमे कोनहु कॉलम लेल ई क' सकै छी। |
07:02 | अहाँ अपन टेबल लेल विभिन्न प्रकार'क बॉर्डर सेट क' सकै छी, कोनो बॉर्डर नइं रखै सँ ल' कए, सबटा आंतरिक आ बाहरी बॉर्डर रखबा धरि अथवा अपन टेबलमे केवल बाहरी बार्डर रखबा लेल। |
07:15 | अइ लेल उपयुक्त विकल्प चुनै लेल मुख्य मेन्यूमे टेबल टैब आ टेबल प्रोपर्टिज ऑप्शन, बॉर्डर्स टैब चुनी। |
07:25 | आगू हम सीखब जे राइटरमे हाइपरलिंक्स कोना बनाओल जाइत अछि। |
07:30 | हाइपरटेक्स्ट कें ब्राउज अथवा देखबा लेल उपयोगकर्ता हाइपरलिंक्स'क उपयोग करैत अछि। |
07:35 | हाइपरलिंक्स डॉक्युमेंट लेल उल्लेखनीय अछि जे एकरा पाठक स्वयं शुरू क' सकैत अछि अथवा ओ स्वतः शुरुह भ' जाइत अछि। |
07:43 | हाइपरलिंक संपूर्ण डॉक्युमेंटकें अथवा डॉक्युमेंटमे विशिष्ट एलिमेंटकें इंगित करैत अछि। |
07:49 | फाइलमे हाइपरलिंक बनबै सँ पहिने हम एकटा डॉक्युमेंट बनाएब जे हाइपरलिंक हएत। |
07:56 | तें टूलबारमे New आइकन पर क्लिक करी। |
08:00 | एकटा न'ब टेक्स्ट डॉक्युमेंट ओपन होइत अछि। आब हम अइ न'ब डॉक्युमेंटमे Hobbies लेल टेबल बनबैत छी। |
08:06 | अइ लेल हम HOBBIES हेडिंग लिखै छी। |
08:09 | आब एंटर Enter की प्रेस करै छी। |
08:11 | आउ एक'क नीचां दोसर, किछु स'ख लिखै छी; जेना- Listening to music, Playing table tennis आ Painting. |
08:20 | आउ अइ फाइलकें सेव करी। |
08:24 | टूलबारमे Save आइकन पर क्लिक करी। Name फील्डमे फाइल'क नाम hobby टाइप करी। |
08:30 | Save in folder मे डाउन ऐरो पर क्लिक करी आ Desktop ऑप्शन पर क्लिक करी। आब Save बटन पर क्लिक करी। |
08:40 | आब ई फाइल डेस्कटॉप पर सेव भ्ज्ञ' गेल अछि। |
08:43 | आब हम अइ फाइलकें बंद करै छी। आउ आब resume.odt फाइलमे हाइपरलिंक बनबै छी, जे अइ डॉक्युमेंटकें ओपन करत। |
08:53 | आब हम शैक्षिक विवरण युक्त टेबल'क नीचाँ HOBBIES हेडिंग लिखै छी। |
09:00 | HOBBIES टेक्स्टकें हाइपरलिंक करै लेल पहिने HOBBIES हेडिंग पर कर्सर ड्रैग क' कए टेक्स्ट चुनी। |
09:09 | आब मेन्यूबारमे Insert मेन्यू पर क्लिक करी आ फेर Hyperlink ऑप्शन पर क्लिक करी। |
09:15 | एक डायलॉग बॉक्स ओपन होइत अछि, जइ मे Internet, Mails आ news, Document आ New Document जकाँ कैक टा विकल्प अछि। |
09:24 | चूँकि हम टेक्स्ट डॉक्युमेंट लेल हाइपरलिंक बना रहल छी, हम Document ऑप्शन पर क्लिक करै छी। |
09:30 | आब Path फील्डमे Open file बटन पर क्लिक करी। |
09:36 | न'ब डॉक्युमेंट मे जाइ लेल डायलॉग बॉक्समे Desktop ऑप्शन पर क्लिक करी, जे हम पहिनेसँ बनौने छी। |
09:44 | आब hobby.odt ऑप्शन पर क्लिक करी आ फेर Open बटन पर क्लिक करी। |
09:52 | अहाँ देखब जे फाइल लेल जगह Path फील्डमे प्रविष्ट भ' गेल अछि। |
09:57 | Apply फील्ड पर क्लिक करी आ फेर Close बटन पर क्लिक करी। |
10:02 | अहाँ देखब जे टेक्स्ट HOBBIES रेखांकित अछि आ यह नीला रंगमे अछि। अर्थात टेक्स्ट आब हाइपरलिंक अछि। |
10:11 | आब हेडिंग HOBBIES पर कर्सर राखी आ Control key आ Left mouse button दुनूकें एकहि संगें प्रेस करी। |
10:19 | अहाँ देखब जे hobbies युक्त फाइल ओपन होइत अछि। |
10:23 | अही तरहें अहाँ इमेजेस आ वेबसाइट्स लेल सेहो हाइपरलिंक बना सकै छी। |
10:30 | आब हम लिबरे आफिस राइटर मे स्पोकन ट्यूटोरियल'क समाप्ति पर अबै छी। |
10:35 | सारांश करी जे हम की सब सीखलहुँ-- |
10:37 | डॉक्युमेंटमे इमेज फाइल प्रविष्ट करब। |
10:39 | राइटरमे टेबल प्रविष्ट करब। |
10:42 | राइटरमे हाइपरलिंक्स प्रविष्ट करब। |
10:48 | बोधपूर्ण विशिष्ट-कार्य: |
10:50 | practice.odt ओपन करी। |
10:53 | फाइलमे कोनो इमेज प्रविष्ट करी। |
10:57 | 2 कॉलम आ 3 रो' संगें एक टा टेबल प्रविष्ट करी। |
11:01 | जखन अहाँ फाइलमे इमेज पर क्लिक करी, www.google.com वेबसाइट ओपन करै लेल हाइपरलिंक बनाबी। |
11:11 | अनुवर्ती लिंक पर उपलब्ध विडियोमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सार अछि। |
11:17 | जँ अहाँ लग बढ़ियाँ बैंडविड्थ नइँ अछि, त' अहाँ एकरा डाउनलोड क' कए देख सकै छी। |
11:22 | हमरा लोकनि स्पोकन ट्यूटोरियल'क उपयोग सँ विभिन्न कार्यशाला आयोजित करैत छी। |
11:25 | जे किओ ऑनलाइन टेस्ट पास करै छथि, हम हुनका सर्टिफिकेट सेहा दैत छी। |
11:30 | अधिक जानकारी लेल contact@spoken-tutorial.org पर संपर्क करी। |
11:33 | स्पोकन ट्यूटोरियल टॉक-टू-अ टीचर प्रोजेक्ट'क हिस्सा थिक। जे आई सी.टी (ICT)'क माध्यमे, भारत सरकार'क एमएचआरडी मंत्रालय'क राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि। |
11:46 | अधिक जानकारी अनुवर्ती लिंक spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro पर उपलब्ध अछि |
12:00 | ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि। आई आई टी बॉम्बे दिशसँ उज्ज्वल आलोक संग हम, देवशंकर नवीन आब अहाँ सबसँ विदा लै छी। धन्यवाद। |