LibreOffice-Suite-Calc/C3/Advanced-Formatting-and-Protection/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
VISUAL CUE NARRATION
00:00 लिबर ऑफिस कैल्क मे एडवांस्ड फ़ॉर्मेटिंग आ सुरक्षा (प्रोटेक्शन) पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियल मे अहाँक स्वागत अछि।
00:07 अहि ट्यूटोरियल मे हम सीखब केना: पासवर्ड सँ स्प्रेडशीट’क सुरक्षा करब

केना पासवर्ड स्प्रेडशीट मे एगो शीट वा टैब’क सुरक्षा करब, डेटाबेसक’ लेल ‘रेंज’ तय करब, सब-टोटल ऑप्शनक इस्तेमाल करब आ सेल्स के वैलिडेट करब।

00:25 एतए हमरालोकिन उबंटू लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्ज़न 3.3.4’क उपयोग क रहल छी।
00:35 चलू “Personal-Finance-Tracker.ods” खोलै छी।
00:40 सब’सँ पहिने, अहि फाइल के पासवर्ड सँ सुरक्षित केनै सिखै छी।
00:44 ई ऑप्शन सुनिश्चित करैत अछि, जे मात्र पासवर्ड जाननिहार, अहि फाइल के खोइल सकैत छैथ।
00:51 मुख्य मेन्यू सँ, File आ Save As पर क्लिक करू।
00:55 Save डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित होएत अछि।
00:58 आगू, Save with password बॉक्स के चेक करू।
01:03 फेर Save पर क्लिक करू ।
01:06 जेना’क हम Save As ऑप्शन’क इस्तेमाल क’ रहल छी, हम एकरा अन्य फाइल’क

रूप मे वा ओही फाइलक’ बदला सेव क’ सकैत छी।

01:15 एतए ई फाइल के बदलू।
01:18 Yes पर क्लिक करू।
01:20 फेर पासवर्ड टाइप करू।
01:23 आ कन्फर्म बॉक्स मे सेहो फेर सँ पासवर्ड टाइप करू आओर OK पर क्लिक करू।
01:30 फेर Personal-Finance-Tracker.ods फाइल के बंद करू।
01:36 आब, अहि फाइल के फेर खोलू आ देखब की होएत अछि।
01:41 Enter Password डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित भ जाएत!
01:45 एतए गलत पासवर्ड प्रविष्ट करू।
01:48 OK पर क्लिक करू।
01:50 हमरा सबहक एकटा एरर सूचना प्राप्त हैत जे कहैत अछि password is incorrect.
01:56 आब ठीक पासवर्ड टाइप करू।
01:59 फाइल खुल जाएत।
02:01 हमसब पासवर्ड ऑप्शन कोना हटाएब? ई सेहो सरल अछि।
02:07 हम Save with password ऑप्शन के ‘अनचेक’ करै छी।
02:10 फेर सँ जेना कि हम सेव ऑप्शन इस्तेमाल क’ रहल छी, हम एकरा अन्य फाइल’क

रूप मे वा ओही फाइल क जगह पर सेव क’ सकै छी।

02:18 एतए फाइल बदलू।
02:21 Yes पर क्लिक करू।
02:23 ई फाइल के बंद करब आ खोलब।
02:27 अहि फाइल के खोलब लेल अहाँ’क पासवर्डक’ आवश्यकता नइ छै।
02:31 सीखब, कि पासवर्ड अहि फाइल सँ विशेष शीट्स के कोना सुरक्षित करै छै।
02:37 मेन्यू बार सँ, “Tools”, “Protect Document” आ “Sheet” पर क्लिक करू।
02:44 “Protect Sheet” डायलॉग प्रदर्शित भ जाएत छै।
02:47 शीट के सुरक्षित करै लेल, सबसे पहिल, ऑप्शन्स “Select Locked cells” आ

“Select Unlocked cells” के अनचेक करू।

02:56 आब, “Password” फील्ड मे, छोटका अक्षरक मे “abc” टाइप करू, आ “Confirm”

फील्ड मे पासवर्ड फेर सँ प्रविष्ट करू।

03:07 OK पर क्लिक करू।
03: आब, सेल मे डेटा के चुनै’क आ बदलै’क प्रयास करू।
03:15 हम कोनो सेल के चुनबाक मे सक्षम नइ छी।
03:18 शीट बदलै’क काज नइ भ सकत।
03:22 मुदा अन्य शीट्स क’ की?
03:24 Sheet2 पर क्लिक करू।
03:27 एकटा सेल क’ चुनू आ ओकरा बदल’क प्रयास करू।
03:30 कैल्क हमरा अन्य शीट्स मे सेल्स के बदैलबाक अनुमति देएत अछि।
03:35 पहिल शीट मे वापस जाऊ।
03:38 आब, शीट के असुरक्षित करू।
03:41 ई सरल अछि।
03:43 मेन्यू बार सँ, “Tools”, “Protect Document” आ “Sheet” पर क्लिक करू।
03:49 एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित भ जाएत, जे पासवर्ड मांगैत छै।
03:53 अहिमे छोटका अक्षर मे “abc” प्रविष्ट करू आ OK पर क्लिक करू।
03:59 हम सेल्स के फेर सँ चुनै मे सक्षम छी।
04:03 “Ranges” क’ बारे मे सिखब।
04:06 अहाँ एकटा स्प्रेडशीट मे सेल्सक’ रेंज निर्धारित क’ सकै छी आ ओकरा एकटा

डेटाबेसक माफिक इस्तेमाल क’ सकै छी।

04:12 अहि डेटाबेस मे सबटा रो एकटा डेटाबेस रिकॉर्ड’क अनुरूप होएत अछि आ
04:17 रो मे सबटा सेल एकटा डेटाबेस फील्डक’ अनुरूप होएत अछि।
04:22 अहाँ रेंज पर क्रमबद्ध, वर्गीकरण, खोज’क, आ गणना क’ सकै छी, जेना क’

अहाँ कोनो डेटाबेस मे करै छी।

04:30 “Personal-Finance-Tracker.ods” मे डेटा निर्धारित करू आ डेटा’क क्रमबद्ध करू।
04:38 सबसँ पहिले, डेटाबेस मे जे चीज़ हमरा लोकिन चाहि ओकरा चुनू।
04:43 शीर्षक “SN” सँ Account तक सब डेटा के एकै संग चुनू। हमसब पहिले सँ

सीखनै छी कि डेटा कोना चुनि।

04:53 आब, अपन डेटाबेस के नाम दिऔ।
04:56 मेन्यू बार सँ, “Data” पर क्लिक करू आ फेर “Define Range” पर क्लिक करू।
05:02 “Name” फील्ड मे, “dtbs” टाइप करू, जेकि डेटाबेसक शॉर्ट-फॉर्म थिक।
05:08 “OK” पर क्लिक करू।
05:10 फेर सँ, मेन्यू बार मे, “Data” आ “Select Range” पर क्लिक करू।
05:15 ध्यान दीऔ, “Select Database Range” डायलॉग बॉक्स जे प्रदर्शित होएत

अछि, ओहीमे डेटाबेसक लेल नाम “dtbs” सूचीबद्ध हैत।

05:24 “OK” बटन पर क्लिक करू।
05:27 आब अहि डेटाबेस मे डेटा क्रमबद्ध करू।
05:31 मेन्यू बार सँ, “Data” आ “Sort” पर क्लिक करू।
05:35 Sort डायलॉग बॉक्स जे प्रदर्शित होएत अछि, ओहिमे “Sort by” फील्ड पर

क्लिक करू आ “SN” चुनू।

05:42 अगिला, दाहिना दिश सँ, “Descending” चुनू।
05:47 पहिल “Then by” फील्ड’क नीचाँ, ड्रॉप-डाउन पर क्लिक करू, आ “Cost” चुनू।
05:54 फेर सँ, दाहिना दिश सँ, “Descending” चुनू।
05:58 दोसर “Then by” फील्ड मे, ड्रॉप-डाउन पर क्लिक करू, “Spent” चुनू आ फेर

सँ “Descending” चुनू।

06:07 OK पर क्लिक करू।
06:09 डेटा शीर्षक “SN” क’ भीतर क्रमबद्ध भ गेल छै आ अवरोही क्रम मे!
06:15 ओहि तरीका सँ, हमसब डेटाबेस मे अन्य ऑपरेशंस सेहो क्रियान्वित क’ सकै छी।
06:21 क्रम के अन्डू करबाक लेल, CTRL+Z दबाऊ आ मौलिक डेटा भेट जाएत।
06:28 आब, सिखब, कि कैल्क मे “Subtotal” ऑप्शन कोना इस्तेमाल करि।
06:34 “Subtotal” ऑप्शन, अहाँक पसंदक’ गणितीय फंक्शन क’ इस्तेमाल कक, अलग-अलग

शीर्षक’क भीतर डेटा के कुल जोड़क’ गणना करै छै।

06:43 शीर्षक “Cost”क भीतरक’ डेटा’क पूर्ण योग पता करू।
06:49 सबसँ पहिले, रो संख्या 8’क एंट्री के मिटाऊ।
06:53 SN सँ ACCOUNT तक सब डेटा के एकै संग चुनू।
06:59 अगिला, मेन्यू बार सँ, “Data” आ “Subtotals” पर क्लिक करू।
07:04 Subtotals डायलॉग बॉक्स जे प्रदर्शित होएत छै, ओहिमे “Group by” फील्ड

सँ, “SN” चुनू।

07:11 ई डेटा के Serial Number सँ वर्गीकरण करै छै।
07:15 अगिला, “Calculate subtotals for” फील्ड मे “Cost” ऑप्शन पर क्लिक करू।
07:21 ई एकर भीतरक सब एंट्रीस’क जोड़क’ गणना करै छै।
07:26 “Use function” फील्ड’क नीचाँ, “Sum” चुनू आ OK पर क्लिक करू।
07:33 ध्यान दीऔ, जे “Costs” शीर्षक’क भीतरक’ एंट्रीस के “Grand total”

स्प्रेडशीट पर प्रदर्शित होएत अछि।

07:41 एतए शीटक’ बाम दिश तीनटा नब टैब्स अछ “1” ”2” आओर “3”
07:47 ई टैब्स डेटा’क तीनटा अलग-अलग व्यू देएत अछि।
07:52 टैब 1 पर क्लिक करू।
07:54 ध्यान दीऔ, कि “Costs”क भीतर डेटा’क मात्र कुल-जोड़ प्रदर्शित होएत अछि।
08:00 टैब “2” पर क्लिक करू।
08:02 “Costs” मे डेटा आ संगे कुल-जोड़ सेहो प्रदर्शित होएत अछि।
08:08 आब, टैब “3” पर क्लिक करू।
08:11 हमरालोकिन के “Costs” क’ भीतर डेटा’क कुल-जोड़क’ संग शीटक विस्तृत व्यू भेट जाएत।
08:18 अइ फाइल के बंद करू।
08:21 बदलावसबहक़ Save वा Discard करै लेल सूचना क’ संगे एकटा डायलॉग बॉक्स

प्रदर्शित होएत छै।

08:26 Discard पर क्लिक करू।
08:28 आब ई फाइल के फेर सँ खोलू।
08:31 आब, लिबर ऑफिस कैल्क मे “Validity” ऑप्शन क’ मादे सीखब।
08:37 “Validity” ऑप्शन स्प्रेडशीट मे डेटा के मान्य करै छै।
08:41 ई स्प्रेडशीट में चुनित सेल्सक लेल “Validation rules” उल्लिखित कक क सकै छी।
08:49 उदाहरणस्वरुपक, “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे, हमसब वैलिडेशन

क इस्तेमाल कक चीज़सबहक भुगतानक तरीका’क उल्लेख क’ सकै छी।

08:59 आब, शीर्षक “Date” आ ओकर कंटेंट के डिलीट करू।
09:04 शीर्षक “Received”क बाद“Mode of Payment” क लेल शीर्षक “M-O-P” दिऔ।
09:12 शीर्षक “M-O-P”क नीचॉ, शीर्षक “Items” मे डेटा एंट्रीस आ mode of

payments के दर्शाबक लेल सेल्स'क इस्तेमाल कैल जा सकै छै।

09:21 ओ अछ, Salary”,”ElectricityBills”आ अन्य घटकसब।
09:27 आब, शीर्षक ”M-O-P” क ठीक नीचाँ खाली सेल पर क्लिक करू।
09:33 ओहिमे घटक “Salary”क लेल मोड ऑफ पेमेंट हैत।
09:38 आब, मेन्यू बार सँ, “Data” आ“Validity” पर क्लिक करू।
09:43 “Validity” डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हैत।
09:47 “Criteria” टैब पर क्लिक करू।
09:50 “Allow” फील्ड ड्रॉप-डाउन सँ, “List” पर क्लिक करू।
09:55 “Entries” बॉक्स पॉप-अप हैत।
09:58 चुनैल सेल के वैलिडेट करै पर जे ऑप्शन्स प्रदर्शित होएत ओकरा प्रविष्ट करू।
10:05 पहिल मोड ऑफ़ पेमेंटक’ लेल“In Cash” टाइप करु, आ फेर कीबोर्ड सँ“Enter” की दबाऊँ।
10:13 एकर बाद, दोसर मोड ऑफ़ पेमेंटक लेल“Demand Draft” टाइप करू।
10:19 OK पर क्लिक करू।
10:21 चुनैल सेल्स वैलिडेटेट अछि।
10:25 आब, डाउन एरो पर क्लिक करू जे संगे दरसाएत अछि।
10:30 कि अहाँ ओहि ऑप्शन्स देख सकै छी, जेकरा हमसब “Entries” बॉक्स मे मोड

ऑफ़ पेमेंट्स'क ढब मे प्रविष्ट केने छी?

10:36 नीचाँ सेल्स के वैलिडेट करबाक लेल, सबसँ पहिल टूलबार मे“Format

Paintbrush” ऑप्शन पर क्लिक करू।

10:43 फेर, वैलिडेटेड सेलक नीचाँ सेल्स के बायाँ माउस बटन सँ दबबैत आ सेल्सक

संग ड्रैग कक चुनू।

10:53 आब्, माउस बटन छोfड़ दिऔ।
10:57 सबटा चुनैल सेल्स ओहि तरीका सँ वैलिडेट भ गेल अछि।
11:09 आब शीर्षक “M-O-P” क' ठीक नीचाँ सेल पर क्लिक करु आओर फेर डाउन एरो पर क्लिक करू।
11:17 मोड ऑफ़ पेमेंटक' दुनू ऑप्शन्स दरसाएत अछि।
11:21 “In Cash” ऑप्शन चुनू।
11:25 ओहि प्रकार सँ, कैल गेल मोड ऑफ़ पेमेंटक मोताबिक सबटा वैलिडेटेड सेल्स

मे अहाँ“Cash” वा “Demand Draft” चुनै सकै छी।

11:36 अहि संग हमसब “लिबर ऑफिस कैल्क” पर ई स्पोकन ट्यूटोरियल के अंत मे आब गेल  छी।
11:42 संक्षेप में, हमसब सीखलौ कि कोना:

पासवर्ड स्प्रेडशीट’क सुरक्षा करैत अछि पासवर्ड स्प्रेडशीट मे एगो असगर शीट अथवा टैब’क सुरक्षा करैत अछि। डेटाबेसक’ लेल रेंजेस तय करब। सब-टोटल ऑप्शनक इस्तेमाल करब। सेल्स क’ वैलिडेट करब।


12:01 निम्न'क लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू।
12:04 ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांशित  करै छै।
12:07 यदि अहाँक पास निक बैंडविड्थ नै छै त अहाँ एकरा डाउनलोड कक देख सकै छी।
12:11 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक टीम।
12:13 स्पोकन ट्यूटोरियल'क इस्तेमाल कक कार्यशाला सेहो चलैत अछि।
12:17 ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हार प्रति‍भागीकें प्रमाणपत्र सेहो देल जाइत अछि‍।
12:20 बेसि जानकारी क’ लेल कृपया contact@spoken hyphen tutorial.orgपर लिखू।
12:27 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर प्रोजेक्टक अंश थिक।
12:31 ई भारत सरकारक, एम एच आर डीक “आईसीटीक माध्यम सँ राष्ट्रीय

साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि‍।

12:39 अइ मिशन पर विशेष जानकारी क’ लेल उपलब्ध लिंक पर संपर्क करू-spoken

hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro

12:50 अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Smitajha