LibreOffice-Suite-Calc/C2/Working-with-Cells/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:00 लिबर ऑफिस Calc में सेल्स क उपयोग विषयक अहि स्पोकन ट्यूटोरियल में आहाँक स्वागत अछि।
00:06 अहि ट्यूटोरियल में हमसब सीखब-
00:08 स्प्रैडशीट में संख्या, टेक्स्ट, शाब्दिक संख्या, दिनांक आ समय केना एन्टर करब ।
00:16 फॉर्मेट सेल्स डायलॉग बॉक्स क केना उपयोग करब ।
00:19 सेल्स क बीच आ शीट्स क बीच केना एक ठाम से दोसर ठाम जाइब ।
00:23 रोज़, कॉलम आ शीट्स में केना आइटम सब क चुनब ।
00:29 हमसब ऑपरेटिंग सिस्टम उबंटू 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्ज़न 3.3.4 उपयोग क रहल छी।
00:39 चलू प्रारंभ में सिखै छी जे सेल्स में डेटा केना एन्टर करब ।
00:43 हमसब अपन “personal finance tracker.ods” फाइल खोलब ।
00:49 आहाँ कोनो सेल में टेक्स्ट टाइप क सकै छी। सेल पर क्लिक करू आ कीबोर्डक मदद स टेक्स्ट टाइप करू।
00:59 डिफॉल्ट रूप स टेक्स्ट बायाँ कात अलाइन होइत छै। फॉर्मेटिंग बार में अलाइन्मन्ट टैब पर क्लिक कक अलाइन्मन्ट बदल सकै छी ।
01:08 एकरा अन्डू करै छी।
01:11 आब स्प्रैडशीट में सेल “A1” पर क्लिक करू ।
01:15 आहाँ देख सकै छी जे चुनल गेल सेल highlighted भ जैत अछि ।
01:20 एत हमसब प्रारंभे में कॉलम हेडिंग टाइप केने छी ।
01:24 “Items” हेडिंग क अंतर्गत हमसब किछु आइटम्स क नाऊ टाइप करै छी “Salary”, “House rent”, “Electricity bill”, “Phone bill”, “Laundry” आ “Miscellaneous”.
01:38 सेल में संख्या एन्टर करै क लेल, सेल पर क्लिक करू आ संख्या टाइप करू ।
01:43 नेगेटिव संख्या क एन्टर करै क लेल, या त संख्या क आगू माइनस चिन्ह टाइप करू या ओकरा कोष्ठक में राखू ।
01:53 डिफॉल्ट रूप से संख्या दायाँ कात अलाइन होई छै आ नेगेटीव संख्या क आगू माइनस चिन्ह होइत अछि।
02:01 परिवर्तन सब क अन्डू करै छी।
02:04 आब अपन “personal finance tracker.ods” स्प्रैडशीट में क्रम संख्या क हैडिंग “SN” अछि, हमसब चाहै छी जे प्रत्येक आइटम का क्रम संख्या एक क निच्चा एक रहे ।


02:17 त सेल “A2” पर क्लिक करू आ 1,2,3 संख्या एक क निच्चा एक एन्टर करू ।
02:27 क्रम संख्या क स्वयं भरै क लेल सेल “A4” पर क्लिक करू । सेल क दायां कातक कोन में एकटा छोट सन कारी बॉक्स दखाई परैत। सेल “A7” तक एकरा ड्रैग करू आ फेर माउस बटन छोइड़ दियो।
02:42 आहाँ देखब जे सेल “A5” से “A7” तक आगू क क्रम संख्या आइब जैत छै।
02:51 आइटम सबहक क्रम संख्या एन्टर केला क बाद हमसब आब “Cost” हेडिंग क निच्चा हर एक आइटम क मूल्य या कॉस्ट एन्टर करै छी।
02:59 आब हमसब सेल “C3” पर क्लिक करै छी आ “House rent” क लेल “Rupees 6000” टाइप करै छी।
03:07 आब यदि संख्या क आगू रुपया क चिन्ह लिखबा क अछि त की करब?
03:11 मन्लौ जे हमसब “Electricity bill” क लेल “Rupees 800” एन्टर करअ चाहै छी । त सेल C4 पर राइट क्लिक करू आ “Format Cells” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
03:23 अहि स “Format Cells” डायलॉग बॉक्स खुलत
03:27 पहिल टैब “Numbers” अछि । यदि एकरा नै चुनने छि त अहि पर क्लिक करू ।
03:32 “Category” क अंतर्गत हमसब विभिन्न वर्ग देख सकै छी Number, Percent, Currency, Date, Time इत्यादि ।
03:41 Currency क चुनै छी।
03:44 आब Format ऑप्शन क अंतर्गत डाउन एरो पर क्लिक करू । ई संसारक विभिन्न मुद्रा चिन्ह प्रदर्शित करत ।
03:53 ऊपर स्क्रोल करै छी आ INR Rupees English India चुनै छी। डीफॉल्ट रुप से निच्चा ड्रॉपडाउन में , Rupee 1234आइब जैत अछि ।
04:04 आहाँ दायाँ कात छोट सन प्रीव्यू एरिया में अहिक प्रीव्यू देख सकै छी ।
04:10 Options क अंतर्गत , हमरा लग Decimal places (डेसिमल प्लेसेस) क आ Leading zeroes क जोड़ई क लेल विकल्प अछि।
04:20 ख्याल राखब जे जहिखन हमसब सुन्ना क संख्या बढ़ाबै छी , selected फॉर्मेट बदैल क Rupees 1,234 decimal zero zero भ जाइत अछि आ दू गोट दशमलव स्थान क दर्शाबैत अछि ।
04:35 देखल जाऊ जे परिवर्तन प्रीव्यू एरिया में प्रदर्शित अछि।
04:40 प्रत्येक हज़ार क बाद कौमा सेपरेटर जोड़ई क लेल Thousands separator पर क्लिक करू। फेर से प्रीव्यू एरिया में परिवर्तन क देखू।
04:50 आहाँ Font टैब पर क्लिक कक फोंट सेहो बदैल सकै छी। अहिमें Font, Typeface आ Sizeक लेल अनेक ऑप्शंस छै ।
05:00 आहाँ Font Effects आ दोसर टैब्स में जाक बेसी सीख सकै छी ।
05:05 अगुलका ट्यूटोरियल में हमसब Alignment टैब क ऑप्शंस क बारे में सीखब ।
05:11 OK पर क्लिक करै छी।
05:15 800 टाइप कक एन्टर प्रेस करू। आहाँ देखब जे संख्या 800 दू दशमलव स्थान क संग Rupees 800 भ गेल अछि ।
05:26 आब सेल C5 से सेल C7 तक क चुनाव करै छी। CTRL की क पकड़ने रहियौ आ सेल G2 क सेहो चुनि लिय। ख्याल राखब जे सभटा चयनित सेल्स highlighted होए ।
05:39 कोनो highlighted सेल पर राइट क्लिक करू आ Format Cells क चुनू।
05:46 पहिलके जेका ऑप्शंस क चुनल जाउ । OK पर क्लिक करू ।
05:51 आब हमसब दोसर आइटम्स क सभटा खरचा एक क निच्चा एक टाइप करै छी। “Phone bill” क लेल “Rupees 600” , “Laundry” charges क लेल ”Rupees 300” आ “Rupees 2000” “Miscellaneous” यानि दोसर खरचा सब क लेल ।
06:06 “Accounts” हेडिंग क निच्चा महीना क सैलरी “Rupees 30000” टाइप करै छी।
06:13 Calc में तारिख एन्टर करै क लेल, सेल क चुनल जाउ आ date टाइप करू ।
06:18 आहाँ date एलिमेंट्स क फॉरवर्ड स्लैश या हाइफन स अलग क सकै छी या टेक्स्टक उपयोग क सकै छी जैसे 10 October 2011.
06:27 Calc बहुत प्रकारक date फोर्मेट्स चिन्ह सकैत अछि ।
06:32 वैकल्पिक रूप से आहाँ सेल पर राइट क्लिक क क “Format Cells” ऑप्शन चुन सकै छी ।
06:38 category क अंतर्गत “Date” चुनू आ “Format” में से इच्छित फॉर्मेट चुनू । हम 12, 31, 1999 चुनै छी । प्रीव्यू एरिया में देखू ।
06:51 संगे Format code MM, DD आ YYYY क रूप में प्रदर्शित अछि । जरूरत मुताबिक आहाँ Format code बदल सकै छी।
07:02 हम DD, MM आ YYYY टाइप करब । प्रीव्यू एरिया में परिवर्तन पर ख्याल राखब। OK पर क्लिक करू ।
07:12 Calc में टाइम एन्टर करै क लेल, सेल क चुनू आ time टाइप करू ।|- 07:18 आहाँ colons स टाइम क एलिमेंट्स क अलग अलग क सकै छी जेना 10 colon 43 colon 20.
07:24 या आहाँ सेल पर राइट क्लिक क क “Format Cells” ऑप्शन चुनि सकै छी ।
07:31 category क अंतर्गत “Time” चुनू आ “Format” में से इच्छित फॉर्मेट चुनू । हम 13, 37, 46 चुनब । प्रीव्यू एरिया में देखू ।
07:43 साथे Format code HH:MM:SS क रूप में प्रदर्शित अछि । आवश्यकतानुसार आहाँ Format code बदैल सकै छी। हम HH:MM टाइप करब ।
07:57 प्रीव्यू एरिया में परिवर्तन क देखू । OK पर क्लिक करू ।


08:03 परिवर्तन सब क अन्डू करै छी।
08:06 Calc में टेक्स्ट, संख्या आ डेट क केना लिखब ई सिखला क बाद , आब हमसब सीखब जे स्प्रैडशीट में सेल्स क बीच आ शीट्स क बीच केना जाऊ ।
08:17 त प्रारंभ में हमसब देखब जे स्प्रैडशीट में एक सेल्स स दोसर पर केना जाऊ ।
08:23 आहाँ कर्सर से सेल पर क्लिक क क कोनो सेल पर पहुँच सकै छी।
08:29 आहाँ देख सकै छी जे उ सेल highlighted भ जैत अछि ।
08:32 एगो दोसर तरीका छै सेल रेफरेंस यानि सेल संदर्भ क उपयोग ।
08:38 “Name Box” क दहिना कात कारी रंग क डाउन एरो पर क्लिक करू ।
08:43 आब जाहि सेल पर आहाँ जाए चाहै छी ओकर रेफरेंस टाइप कक एन्टर प्रेस करू ।
08:49 आहाँ “Name box” में क्लिक क पहिलुका सेल रेफरेंस क डिलीट आ पसंदक सेल रेफरेंस टाइप सेहो क सकै छी “Enter” प्रेस करू ।
08:58 आब हमसब सीखब जे स्प्रैडशीट में एक सेल स दोसर सेल पर केना जाऊ ।
09:03 एक सेल स दोसर सेल पर जाई क पहिल तरीका अछि कर्सर
09:09 कर्सरक उपयोग क क focus बदलै क लेल, आहाँ ओहि सेल पर कर्सर ल जाऊ जत आहाँ जाए चाहै छी आ लेफ्ट माउस बटन क्लिक करू ।
09:18 अहिस नबका सेल पर focus जैत ।
09:22 ई तरीका उपयोगी अछि जखन दूगो सेल विशेष दूरी पर हुए ।
09:28 “Tab” क उपयोग अगुलका सेल पर |जै क एगो आरो तरीका छै
09:35 रो में पिछला सेल पर जेबाक लेल ”Shift + Tab” प्रेस करू ।
09:39 कॉलम में अगुलका सेल पर जेबाक लेल “Enter” प्रेस करू ।
09:42 कॉलम में पिछले सेल पर जेबाक लेल “Shift + Enter” प्रेस करू ।
09:46 आब हमसब सीखब जे Calc में कीबोर्डक मदद से अलग-अलग स्प्रैडशीट्स में केना जाऊ ।
09:53 Active sheet क दायां कात क शीट पर जेबाक लेल “Control” plus “Page Down” कीज़ संगे प्रेस करू ।
10:00 सक्रिय शीट क बायाँ कातक शीट पर जेबाक लेल “Control” plus “Page Up” कीज़ संगे प्रेस करू ।
10:08 कर्सरक उपयोग कक सेहो शीट्सक बीच जा सकै छी ।
10:13 अहि पर विस्तृत जानकारी “Working with Sheets” ट्यूटोरियल में मौजूद अछि ।
10:19 यदि आहाँक लग बेसी शीट्स हुए त भ सकै छै जे किछु शीट टैब्स स्क्रीन क निच्चा हॉरिज़ान्टल स्क्रोल बार में नुकैल हैत |
10:28 यदि ऐना छै त, शीट टैब्स क निच्चा बायाँ कात चारि गो बटंस टैब्स स व्यू अंतरित क सकै छी ।
10:36 परिवर्तन क अन्डू करै छी।
10:39 कर्सर से लागल सेल्स सभ क चुनबा क लेल, प्रारंभ में एगो सेल पर क्लिक करू ।
10:45 आब लेफ्ट माउस बटन प्रेस क क होल्ड करू।
10:48 स्क्रीन पर कर्सर ल जाऊ आ जखन इच्छित सेल्स highlighted भ जाए त लेफ्ट माउस बटन छोइड़ दियो ।आहाँ देखब जे चुनल सेल्स highlighted भ जै छै ।
11:00 आब विविध कॉलम आ सम्बद्द रो सब क चुनई क लेल ग्रुप क पहिला कॉलम या रो पर क्लिक करू ।
11:09 आब “Shift” की क होल्ड करू ।
11:12 ग्रुप क अंतिम कॉलम या रो पर क्लिक करू ।
11:15 आब विविध कॉलम आ रोज जे सम्बद्द नहीं थिक तकरा चुनबा क लेल ग्रुपक पहिला कॉलम अथवा रो पर क्लिक करू ।
11:23 “Control” की क होल्ड केने रहू आ अनुवर्ती कॉलम्स आ रोव्स पर क्लिक करू।
11:31 विविध संलग्न शीट्स क चुनबा क लेल, पहिल इच्छित शीटक टैब पर क्लिक करू ।
11:39 आब जत तक शीट select कर चाहै छी ओहि आखरी शीट तक कर्सर ल जाऊ ।
11:43 “Shift” की क होल्ड करू आ शीट टैब पर क्लिक करू ।
11:48 ई दू गो शीट्स क बीचक' सभटा टैब्स उज्जर भ जैत अछि मतलब सब select भ गेल ।
11:56 आब आहाँ जे किछु करब उ सभटा highlighted शीट्स पर प्रभाव हएत ।
12:01 आब विविध शीट जे संलग्न नहीं अछि ओकरा चुनबा क लेल, पहली शीट क लेल पहिला शीट टैब पर क्लिक करू।
12:08 आब कर्सर क तेसर शीट टैब पर ल जाऊ ।
12:12 “Control” की होल्ड करू आ शीट टैब पर क्लिक करू ।
12:16 चुनल गेल टैब्स उज्जर हएत आ आहाँ जे किछु करब उ सब highlighted शीट्स पर प्रभाव हएत ।
12:24 हमसब लिबर ऑफिस Calc क अहि स्पोकन ट्यूटोरियल क अंत में आबि गेल छी ।
12:30 संक्षेप में, हमसब सीखलौ
12:33 Calc में संख्या , टेक्स्ट , टेक्स्ट क रूप में संख्या , दिनांक आ समय केना एन्टर करू।
12:40 फॉर्मेट सेल्स डायलॉग बॉक्स क केना उपयोग करू ।
12:43 सेल्स क बीच आ शीट्स क बीच केना एक ठाम से दोसर ठाम जाऊ ।
12:47 रोव्स,कॉलम आ शीट्स में केना आइटम सब क चुनू ।
12:52 व्यापक असाइनमेंट ।
12:55 “Spreadsheet Practice.ods” क ओपन करू ।
12:58 “Serial Numbers” क अंतर्गत 1 से 5 तक क्रम संख्या एक क निच्चा एक लिखू ।
13:04 कीज़ क उपयोग स सेल्स क बीच जाऊ ।
13:09 सीरियल संख्या में सभटा आइटम्स क चुनू ।
13:13 दिनांक आ समय क लेल कॉलम जोड़ू ।
13:16 फॉर्मेट सेल्स डायलॉग बॉक्स ऑप्शनक उपयोग क क ओहिमें किछु वेल्यू एन्टर करू ।
13:21 निचा बला लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू ।
13:24 ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट क सारांश थिक ।
13:27 यदि आहाँक पास नीक बैन्ड्विड्थ नै हुए त आहाँ एकरा डाउनलोड़ क क सेहो देख सकै छी।
13:32 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम
13:35 स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग क क वर्कशॉप्स आयोजित करै छैथ ।
13:38 आ जे ऑनलाइन टेस्ट पास करै छैथ हुनका सर्टिफिकट सेहो देल जैत छेन ।
13:41 बेसी जानकारी क लेल कृपा क क contact@spoken hyphen tutorial.org पर लिखू ।
13:48 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट क हिस्सा थिक।
13:52 ई भारत सरकार क एमएचआरडी क “आईसीटी क माध्यम से राष्ट्रीय साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि। 14:00 अहि मिशन पर बेसी जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro पर उपलब्ध अछि ।
14:11 अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Smitajha