LibreOffice-Suite-Calc/C2/Formatting-Data/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:00 “लिबर ऑफिस” मे “डेटा फॉर्मेटिंग" पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।
00:06 अहि ट्यूटोरियल मे हमरालोकनिक बॉर्डर्स क फॉरमेट केनै, बैकग्राउंड कलर क फॉर्मेट केनै --
00:12 “ऑटोमैटिक रैपिंग” क उपयोगसँ “टेक्स्ट” क अलग-अलग “लाइन्स” के फॉर्मेट केनै।
00:18 “सेल्स” के मर्ज केनै आ “सेल” मे फिट करक लेल “टेक्स्ट” के छोट केनै सीखब ।
00:22 एतए हमरालोकनिक “ऑपरेटिंग सिस्टम” क रूप मे “उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04” आ “लिबरऑफिस वर्जन 3.3.4” क उपयोग क रहल छी|
00:33 चलू पहिले अपनासब “लिबर ऑफिस Calc”मे “बॉर्डर्स फॉर्मेट” करबाक बारे मे सीखू।
00:39 चलू अपन “personal finance tracker.ods” फाइल ओपन करै छी।
00:45 “बॉर्डर्स” के “फॉर्मेटिंग” एकटा विशेष सेल या सेल्स क “ब्लॉक” पर कैल जा सकै छै।
00:50 उदाहरणस्वरूप, चलू “Serial Number”, “Item”, “Cost”, “Spent”, ”Received”, ”Date”, ”Account” हैडिंग्स वाला सेल्स क फॉर्मेट क रहल छी|
01:01 तखन पहिले “SN” सँ संबोधित सीरियल नम्बर हैडिंग वाला सेल पर क्लिक क रहल छी|
01:08 आब लेफ्ट माउस बटन क होल्ड करु आ हैडिंग्स युक्त सेल्सक संग एकरा ड्रैग करू|
01:14 हैडिंग युक्त सब हॉरिज़ान्टल रो क चुनैक बाद फॉर्मेटिंग टूलबार पर “Borders”आइकन पर क्लिक करू।
01:23 अनेक प्रकारक बॉर्डर स्टाइल संगे एकटा ड्रॉप डाउन बॉक्स ओपन होएत।
01:28 कोनो एकटा स्टाइल पर क्लिक करू, जे अहाँ बॉर्डर्स पर लागू कर चाहैत छी।
01:33 हम आब अंतिम ऑप्शन पर क्लिक करब।
01:34 हम देखब जे बॉर्डर्स हमर चुनल स्टाइलक अनुसार फॉर्मेट भ जाएत।
01:39 अहि बदलाव क अंडू करै छी।
01:45 चुनित सेल्स एखनो तक चिन्हांकित छै। चुनल गेल पर राइट क्लिक करू आ “Format Cells” ऑप्शन क चुनु।
01:54 आब “Borders” टैब पर क्लिक करू।
01:56 अहाँ“Line arrangement”, “Line”, “Spacing to contents” आ “Shadow style” क लेल ऑप्शन देखब।
02:05 इ हर एक क प्रदर्शित होएक Calcक़ डिफॉल्ट सेटिंग छै।
02:10 मुदा हम अपन आवश्यकता क अनुसार अहिमे सँ कोनोक बदैल सकै छी।
02:14 “User-defined” क नीचाँ अहाँ एकटा छोट सँ प्रीव्यू विंडो देख सकै छी जे चुनाव के देखैत।
02:22 हम “Default” क नीचाँ तेसर ऑप्शन क चुनब आ अहाँ देख सकै छी कि इ प्रीव्यू विंडो मे दखैत।
02:29 हम “Style”, “Width” आ “Color” क बदलब।
02:33 फेर सँ प्रीव्यू विंडो मे बदलाव पर ध्यान देबै।
02:38 कन्टेंट क अंतर क लेल “Synchronize” ऑप्शन चुनब।
02:42 माने सब मार्जिन्स क लेल एक रंग स्पेस लागू होएत।
02:47 एकरा अचयनित क सकै छी आ आवश्यकताक अनुसार मार्जिन क स्पेस बदैल सकै छी।
02:53 हम “Top” आ “Bottom” मार्जिन 1.4pt तक बदलब।
03:00 हम अहाँक' अपने सँ, विविध शैडो स्टाइल्स क पता लगाबक' लेल छोड़इ छी।
03:04 OK पर क्लिक करू।
03:06 इ चयनित स्टाइल के चुनित सेल्स पर लागू करत।
03:11 बॉर्डर्स कोना क फॉर्मेट करब, इ सिखक' के बाद आब सीखै छी कि सेल्स के बैकग्राउंड कलर्स कोना देबै।
03:18 सेल्स क बैकग्राउंड कलर्स दै के लेल फॉर्मेटिंग बार मे Calc “Background Color” नामक एकटा ऑप्शन प्रदान करै छै।
03:27 आब देखै छी कि इ कोना कार्यान्वित होएत छै।
03:30 उदाहरणस्वरूप, चलू हैडिंग्स युक्त सेल्स के बैकग्राउंड कलर दैत छी।
03:36 तखन पाहिले सेल्स पर क्लिक करै छी जे कि “SN” सँ संबोधित हैडिंग सीरियल नम्बर युक्त छै।
03:44 आब लेफ्ट माउस बटन होल्ड करु आ हैडिंग्स युक्त सेल्स तक एकरा ड्रैग करु।
03:50 हैडिंग युक्त सब हॉरिज़ान्टल रो के चुनलाक बाद फॉर्मेटिंग टूलबार मे “Background Color” ऑप्शन पर क्लिक कऱु।
04:00 एकटा पॉप-अप मेन्यू ओपन होएत जत अहाँ ओ कलर चुन सकै छी जे अहाँ बैकग्राउंड में लागू कर चाहेत छी।
04:08 चलू “Grey” रंग पर क्लिक करै छी।
04:11 अहाँ देख सकै छी कि हैडिंग क लेल सेल'क बैकग्राउंड ग्रे भ गेल छै।
04:17 Calc टेक्स्ट'क मल्टिपल लाइन्स के फॉर्मेट कर क लेल विविध ऑप्शन्स प्रदान करै छै।
04:22 पहिल “Automatic Wrapping” क उपयोग करैत।
04:26 “Automatic Wrapping” उपयोगकर्ता के एकहि सेल मे टेक्स्ट के मल्टिपल लाइन्स एंटर कर क अनुमति दैत छै।
04:33 तखन देखै छी कि इ कोना कार्यान्वित हैत।
04:37 आब अपन “personal finance tracker.ods” शीट मे एकटा खाली सेल पर क्लिक करै छी।
04:44 उदाहरणस्वरूप, सेल संख्या “B12” पर क्लिक करै छी। आब सेल पर राइट क्लिक करू आ फेर “Format Cells” ऑप्शन पर क्लिक करू।
04:54 आब डायलॉग बॉक्स मे “Alignment” टैब पर क्लिक करू। डायलॉग बॉक्स मे नीचाँ “Wrap text automatically” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू।
05:08 आब हम टाइप करै छी- “THIS IS A PERSONAL FINANCE TRACKER. IT IS VERY USEFUL” .
05:15 अहाँ देखब कि सिंगल सेल मे मल्टिपल स्टेटमेंट रैप्ट भ गेल छै। बदलाव के अंडू करू।
05:23 “Automatic Wrapping” क बारे मे सीखब क बाद, आब हम सीखब कि Calc मे सेल्स कोना क़ मर्ज(विलीन) करब।
05:30 अपन “personal finance tracker.ods” फाइल मे, जे हम “SN” हैडिंग क' साथ सीरियल नम्बर युक्त सेल्स के आ ओकर समरूपी आइटम के मर्ज कर चाहै छी, त पाहिले “SN” क नीचॉ डेटा एंटरी '1' पर क्लिक करू।
05:46 आब कीबोर्ड पर “Shift” की क होल्ड कक राखू आ एकर समरूपी आइटम “Salary” क संग सेल पर क्लिक करू। इ दूटा सेल्स के चिन्हांकित करै छै जे मर्ज भ जैत छै।
06:00 फेर सँ मेन्यू बार में “Format” ऑप्शन पर क्लिक करु आ फेर “Merge Cells”ऑप्शन पर क्लिक करू।
06:06 साइडबार जे कि पॉप-अप होएत छै ओईमे “Merge Cells” ऑप्शन पर क्लिक करू।
06:12 सिंगल सेल मे दोनो सेल्स क' कन्टेंट्स के बदलैक लेल, दिखाई देब वाला डायलॉग बॉक्स मे “Yes” ऑप्शन पर क्लिक करू।
06:20 अहाँ देखब जे चुनित सेल्स एकटा मे मर्ज भ गेल छै। आ कन्टेंट्स भी ओहि मर्ज भेल सेल मे छै।
06:26 आब मर्ज भ गेल क अंडू करै छी, हमसब टूलबार मे “undo” ऑप्शन पर क्लिक करै क या “CTRL+Z”क एकै संग प्रेस क के केनौऊ।
06:36 आगू हम सीखब जे सेल मे फिट कर क लेल टेक्स्ट के कम(shrink) कोना करब।
06:41 सेल मे डेटा'क फॉन्ट साइज सेल मे फिट कर क' लेल अपने सँ समायोजित कैल जा सकै छै। चलू सिखैत छी कि इ कोना क करू।
06:53 चलू B14 सेल मे “This is for the month of January” टेक्स्ट टाइप करै छी। अहाँ देखब कि टेक्स्ट सेल मे फिट नै होइ छै।
07:04 टेक्स्ट क कम कर क लेल, जै सँ इ फिट भ जाइ, पहिले B14 सेल पर क्लिक करू।
07:12 आब मेन्यूबार मे “Format” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Cells” पर क्लिक करू। वैकल्पिक रूप सँ सेल पर राइट क्लिक करू आ “Format Cells” पर क्लिक करू।
07:26 अहाँ देखब कि “Format Cells” डायलॉग बॉक्स ओपन होएत छै। डायलॉग बॉक्स मे “Alignment” टैब पर क्लिक करू।
07:32 डायलॉग बॉक्सक तल पर “Shrink to fit cell size”चेक-बॉक्स पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू।
07:43 अहाँ देखब कि सबटा टेक्स्ट कम भ गेल छै आ एकर फॉन्ट साइज घटै सँ अपने व्यवस्थित भ गेल छै, तै टेक्स्ट फाइल B14 सेल मे फिट भ गेल छै।
07:56 बदलाव सब के अंडू करू।
07:58 आब हमसब लिबर ऑफिस Calc पर स्पोकन ट्यूटोरियल के अंत मे आब गेलछी।
08:02 संक्षेप मे, हमसब निम्नक बारे मे सीखलीए।

Calc मे बॉर्डर्स फॉर्मेट, बैकग्राउंड कलर करब।

08:10 Automatic Wrappingक उपयोग करैत टेक्स्ट'क मल्टिपल लाइन्स के फॉर्मेट करब। सेल्स के मर्ज कक। सेल मे फिट करबाक लेल टेक्स्ट के कम(श्रिंक) करबै।
08:20 व्यापक नियत-कार्य।“spreadsheet practice.ods” शीट ओपन करू।
08:26 सब हैडिंग्स क चुनू। हैडिंग्स क नीला(ब्लू) बैकग्राउंड कलर दियौ।
08:31 “Automatic Wrapping” क उपयोग कक टेक्स्ट टाइप करू- “This is a Department Spreadsheet”.

सेल मे फिट कर लेल इ टेक्स्ट के कम करू।

08:41 निम्न'क लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू।

इ स्पोकन ट्यटोरियल प्रोजेक्ट के सारांशितकरै छै।

08:47 मुदा अहाँक पास नीक बैंडविड्थ नहि हुए त अहाँ एकरा डाउनलोड कक देख सकै छी।
08:52 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम स्पोकन ट्यूटोरियल'क उपयोग कक कार्यशालाएँ सेहो चलबैत अछि।
08:58 जे ऑनलाइन टेस्ट पास करै छथि हुनका प्रमाण-पत्र सेहो देल जैत छैन। आरो जानकारी क लेल कृपया हमरा contact@spoken hyphentutorial.orgपर लिखू।
09:07 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट क हिस्सा थिक। इ भारत सरकार'क एमएचआरडी क “आईसीटी'क माध्यम सँ राष्ट्रीय साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि।
09:18 अहि मिशन पर विशेष जानकारी क लेल उपलब्ध लिंक पर संपर्क करू-spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro
09:28 अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Smitajha