Difference between revisions of "LibreOffice-Suite-Writer/C2/Typing-text-and-basic-formatting/Maithili"

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
(Created page with "{| Border = 1 | '''Time''' |'''Narration''' |- | 00:01 |लिबर ऑफिस राइटर'क टेक्स्ट टाइपिंग आ बेसिक फॉ...")
 
 
Line 4: Line 4:
 
|-
 
|-
 
| 00:01
 
| 00:01
|लिबर ऑफिस राइटर'क टेक्स्ट टाइपिंग आ बेसिक फॉर्मेटिंग'क अइ ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।
+
|लिबर ऑफिस राइटर'क '''टेक्स्ट टाइपिंग आ बेसिक फॉर्मेटिंग''''क अइ ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।
 
|-
 
|-
 
| 00:07
 
| 00:07
Line 28: Line 28:
 
|-
 
|-
 
| 00:36
 
| 00:36
|एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे GNU/लिनक्स आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4. क उपयोग क' रहल छी
+
|एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे '''GNU/लिनक्स''' आ लिबर '''ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4.''' क उपयोग क' रहल छी
 
|-
 
|-
 
| 00:47
 
| 00:47

Latest revision as of 12:49, 11 April 2018

Time Narration
00:01 लिबर ऑफिस राइटर'क टेक्स्ट टाइपिंग आ बेसिक फॉर्मेटिंग'क अइ ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।
00:07 अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍ सीखब--
00:10 राइटरमे टेक्स्ट एलाइन करब
00:12 बुलेट्स देब आ नम्बरिंग करब
00:14 राइटरमे कट, कॉपी, पेस्ट करब।
00:18 बोल्ड, अंडरलाइन आ इटालिक्स करब।
00:21 राइटरमे फॉन्ट नेम, फॉन्ट साइज, फॉन्ट कलर बदलब।
00:26 डॉक्युमेंट्समे अइ विशेषता सभक उपयोग क' कए प्लेन टेक्स्ट डॉक्युमेंट्स'कें पढ़बा लेल अपेक्षाकृत अधिक आकर्षक आ अधिक सरल बनाउ।
00:36 एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे GNU/लिनक्स आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4. क उपयोग क' रहल छी
00:47 हम पहिने राइटरमे एलाइनिंग टेक्स्ट'क बारेमे सीखब।
00:50 अहाँ राइटरमे अपन पसि‍न'क कोनो डॉक्युमेंट ओपन क' सकै छी आ अइ विशेषताकें कार्यान्वित क' सकै छी।
00:57 चूँकि पछि‍ला ट्यूटोरियलमे हम पहिनहि‍सँ resume.odt नामक फाइल बना चुकल छी। तें हम अइ फाइलकें ओपन करब।
01:08 हम पहिनहि‍सँ RESUME शब्द टाइप केने छी आ अइ पेज'क मध्‍य'मे एलाइन केने छी।
01:14 तें चलू शब्द चुनू आ Align Left पर क्लिक करू। अहाँ देखब जे RESUME शब्द लेफ्ट-एलाइन भ' गेल अछि‍। अर्थात ई डॉक्युमेंट पेज'क बामा कात आबि‍ गेल अछि।
01:25 जँ हम Align Right पर क्लिक करै छी, त' अहाँ देखब जे RESUME शब्द आब पेजक दहि‍ना कात एलाइन भ' गेल अछि।
01:32 जँ हम Justifyपर क्लिक करै छी, त' अहाँ देखब जे RESUME शब्द आब अइ तरहें एलाइन भ' गेल अछि‍ जे टेक्स्ट पेज'क दहिना आ बामा हाशियाक मध्य समान रूपें अछि।
01:44 अहाँ लग टेक्स्ट'क लाइन अथवा पैराग्राफ हो, त' ई विशेषता बेसी स्पष्ट होइत अछि‍।
01:51 एकरा अन्डू करै छी ।
01:54 जखन स्वतंत्र प्वॉइंट लिखल जाइत अछि तखन बुलेट्स आ क्रमांकन'क उपयोग होइत अछि‍ ।
01:58 प्रत्येक प्वॉइंट बुलेट आ क्रमांकसँ शुरू करू।
02:02 अइ तरहें डॉक्युमेंटमे लिखल गेल विविध प्वॉइंट्स'क बीच भेद क' सकै छी।
02:07 मेन्यू बारमे पहिने Format विकल्‍प पर क्लिक क' कए आ फेर Bullets and Numbering पर क्लिक क' कए एना कएल जाइत अछि।
02:15 Bullets and Numbering विकल्‍प पर क्लिक केला'क बाद अहाँ जे डॉयलॉग बॉक्स देखै छी,सँ अहाँकें विविध टैब्समे विविध स्टाइल देखएत; जकरा अहाँ अपन डॉक्युमेंटमे लागू क' सकै छी।
02:26 Numbering विकल्‍प'क चुनाव ओही तरहें होइत अछि‍ आ प्रत्येक लाइन न'ब क्रमांकसँ शुरुह हएत।
02:34 तें चलू Numbering type स्टाइल'क अंतर्गत दोसर स्टाइल पर क्लिक करै छी।
02:40 आब OK बटन पर क्लिक करू।
02:42 आब अहाँ अपन पहिल स्टेटमेंट टाइप करै लेल तैयार छी।
02:46 चलू टाइप करू-NAME: RAMESH
02:50 आब स्टेटमेंट टाइप केला'क बाद Enter बटनकें दबाउ, अहाँ देखब जे न'ब बुलेट प्वॉइंट अथवा न'ब अगि‍ला नम्बर आबि‍ गेल अछि।
03:05 एतए अहाँ द्वारा चुनल प्रारूप'क अनुसार बुलेट्स'क भीतर बुलेट्स आ नम्बर'क भीतर नम्बर भ' सकैत अछि‍।
03:13 तें हम रिज्यूम मे दोसर स्टेटमेंट FATHER’S NAME colon MAHESH टाइप करै छी।
03:20 फेरसँ Enter बटन दबाउ आ MOTHER’S NAME colon SHWETA टाइप करू।
03:27 अही तरहें हम अलग प्वॉइंट्स'क रूपमे FATHERS OCCUPATION colon GOVERNMENT SERVANTMOTHERS OCCUPATION colon HOUSEWIFE टाइप करब।
03:39 बुलेट्स लेल इंडेंट बढ़ेबा-घटेबा लेल अहाँ क्रमानुसार टैब आ शिफ्ट बटन'क उपयोग क' सकै छी।
03:47 Bullets and Numbering विकल्‍प बंद करै लेल पहिने कर्सर HOUSEWIFE शब्द'क आगू राखू आ पहिने एंटर बटन दबाउ आ फेर Bullets and Numbering डॉयलॉग बॉक्समे Numbering Off विकल्‍प पर क्लिक करू।
04:03 अहाँ देखब जे आगू अहाँ जे टाइप करए चाहै छी, ओइ टेक्स्ट लेल आब बुलेट उपलब्ध नइँ अछि‍।
04:10 ध्यान दी जे अपन डॉक्युमेंटमे हम NAME शब्द दू बेर टाइप केने छी।
04:14 फेरसँ ओएह टेक्स्ट टाइप करैक बदला हम राइटरमे CopyPaste विकल्‍पक उपयोग क' सकै छी।
04:21 त' चलू सीखै छी जे ई कोना करी।
04:24 आब हम MOTHER’S NAME टेक्स्टसँ NAME शब्द डिलीट क' दै छी आ कॉपी-पेस्ट विकल्‍पक उपयोग क' कए NAME शब्द फेरसँ लिखै छी।
04:33 NAME शब्द'क संग कर्सर ड्रैग करैत पहिने FATHER’S NAME टेक्स्टमे NAME शब्दकें सलेक्‍ट करै छी।
04:40 आब माउस पर राइट क्लिक करू आ Copy (कॉपी) विकल्‍प पर क्लिक करू।
04:45 MOTHER’S शब्द'क आगू कर्सर रखू।
04:48 फेरसँ माउस पर राइट क्लिक करू आ पेस्ट विकल्‍प पर क्लिक करू।
04:54 अहाँ देखब जे NAME शब्द स्‍वयमेव ओतए पेस्ट भ' गेल अछि।
04:57 एतए अइ विकल्‍प लेल शार्टकट बटन सेहो अछि‍---कॉपी करै लेल CTRL+C आ पेस्ट करै लेल CTRL+V.
05:08 डॉक्युमेंट्समे बेसी मात्रामे समान टेक्स्ट लिखबाक हो, त' ई विशेषता बहुत उपयोगी अछि‍, एतए अहाँकें पूरा टेक्स्ट फेरसँ लिखबाक आवश्यकता नइँ अछि।
05:19 डॉक्युमेंटमे एक जगहसँ उठा कए दोसर जगह टेक्स्ट रखबा लेल सेहो अहाँ कट आ पेस्ट विकल्‍पक उपयोग क' सकै छी।
05:26 देखै छी जे ई कोना करी।
05:29 चलू पहिने MOTHER’S शब्द'क आगूसँ NAME शब्द डिलीट करी।
05:34 अइ शब्दकें कट आ पेस्ट करै लेल पहिने FATHERS NAME स्टेटमेंटमेसँ NAME शब्द कें सलेक्‍ट करू।
05:40 माउस पर राइट क्लिक करू आ फेर Cut विकल्‍प पर क्लिक करू। ध्यान दी जे FATHER'S शब्द'क आगू आब NAME शब्द नइँ अछि‍, अर्थात् ई कट या डिलीट भ' गेल अछि।
05:54 आब MOTHER’S शब्द'क आगू कर्सर राखू आ माउस पर राइट क्लिक करू।
05:59 Paste विकल्‍प पर क्लिक करू।
06:02 अहाँ देखब जे आब शब्द एतए MOTHER'S शब्द'क आगू पेस्ट भ' गेल अछि।
06:07 कट लेल CTRL+X शार्टकट की थि‍क।
06:11 चूँकि, टेक्स्टकें कॉपी आ कट करै' मे एतबे अंतर अछि‍ जे Copy विकल्‍पसँ ओ शब्द जतएसँ कॉपी कएल गेल अछि, ओइ मूल स्थान पर सेहो बनल रहैत अछि‍, जखन कि Cut विकल्‍प एकरा मूल स्थानसँ पूर्णरूपेण हटा दैत अछि।
06:27 चलू name शब्द Father’s' क आगू पेस्ट करू आ आगू जारी रहू।
06:31 एक टा न'ब हेडिंग टाइप करू, जेना- EDUCATION DETAILS.
06:35 राइटरमे Bullets and Numbering क बारेमे सीखला'क बाद आब हम सीखब जे कोनो टेक्स्टक Font nameFont size कोना बदली अथवा लागू करी।
06:45 ऊपर फार्मेट टूलबारमे Font Name नामक एक स्थान अछि।
06:52 फॉन्ट नेम सामान्‍यतया डिफॉल्ट रूपें Liberation Serif क रूपमे सेट कएल रहैत अछि।
06:57 टेक्स्टमे अहाँक इच्छानुसार फॉन्ट'क प्रकार बदलै लेल फॉन्ट नेमक उपयोग कएल जाइत अछि।
07:04 उदाहरणस्वरूप चलू अलग फॉन्ट स्टाइल आ फॉन्ट साइजमे Education Details हेडिंग दै छी।
07:11 त' पहिने टेक्स्ट Education details सलेक्‍ट करू, फेर Font Name स्थानमे डाउन ऐरो पर क्लिक करू।
07:19 ड्रोप डाउन मेन्यूमे अहाँ फॉन्ट नेम विकल्‍प'क अनेक प्रकार देखब।
07:25 Liberation Sans ताकू आ अइ पर क्लिक करू।
07:29 अहाँ देखब जे चयनित टेक्स्टक फॉन्ट बदलि‍ गेल अछि।
07:34 Font Name'क ल'गे मे Font Size अछि।
07:38 जेना कि‍ नामे सँ पता चलैत अछि‍ जे-- Font Size क उपयोग चयनित टेक्स्ट अथवा न'ब टेक्स्ट, जे अहाँ टाइप करए चाहै छी; तकर फोण्‍ट साइज़कें घटबै बढ़बै लेल कएल जाइत अछि। ।
07:52 तें हम पहिने टेक्स्ट EDUCATION DETAILS सलेक्‍ट करै छी।
07:55 फॉन्ट साइज एखन 12 देखा रहल अछि।
07:58 आब Font Size फील्डमे डाउन ऐरो पर क्लिक करू आ फेर 11 पर क्लिक करू।
08:05 अहाँ देखब जे टेक्स्टक फॉन्ट साइज कम भेल अछि।
08:09 अही तरहें फॉन्ट साइज बढ़ाओल जा सकैत अछि।
08:13 फॉन्ट साइज'क मादे जानकारी प्राप्‍त केलाक बाद हम देखब जे राइटरमे फॉन्ट'क कलर कोना बदली।
08:21 डॉक्युमेंट अथवा टंकि‍त पंक्‍ति‍क टेक्स्ट के रंग बदलबा लेल Font Color क उपयोग कएल जाइत अछि।
08:27 उदाहरणस्वरूप, चलू EDUCATION DETAILS हेडिंग कें रंगीन करू।
08:32 अइ लेल फेरसँ EDUCATION DETAILS टेक्स्ट कें सलेक्‍ट करू।
08:36 आब टूल बारमे Font Color विकल्‍पमे डाउन ऐरो पर क्लिक करू आ फेर टेक्स्टमे Light green कलर लागू करै लेल लाइट ग्रीन बॉक्स पर क्लिक करू।
08:48 अहाँ देखब जे हेडिंग आब हरि‍यर रंग'क भ' गेल अछि।
08:52 फॉन्ट साइज विकल्‍प'क आगुए मे अहाँ Bold ItalicUnderline नामक तीन टा विकल्‍प देखब।
09:00 जेना कि‍ नामहि‍ सँ स्‍पष्‍ट अछि‍, ई अहाँक टेक्स्ट कें bold अथवा italic अथवा underlined करत।
09:07 त' पहिने हेडिंग EDUCATION DETAILS कें सलेक्‍ट करू।
09:11 आब टेक्स्टकें बोल्ड करै लेल 'Bold' आइकन पर क्लिक करू।
09:15 अहाँ देखब जे चयनित टेक्स्ट बोल्ड भ' गेल अछि।
09:19 अही तरहें जँ अहाँ Italic आइकन पर क्लिक करै छी त' ई टेक्स्ट italic मे बदलि‍ जाइत अछि।
09:25 Underline पर क्लिक करू।
09:26 'Underline' आइकन पर क्लिक केला पर अहाँक टेक्स्ट अंडरलाइन हएत।
09:31 अहाँ देखब जे चयनित टेक्स्ट आब अंडरलाइन भ' गेल अछि।
09:35 हेडिंगकें boldunderlined रखै लेल, अइ पर फेरसँ क्लिक क' कए italic विकल्‍प कें डीसलेक्‍ट करू आ अन्य दुनू विकल्‍प कें सलेक्‍टेड रहए दि‍अ'।
09:45 ई हेडिंग आब बोल्ड'क संगे संग अंडरलाइन्ड सेहो भ' गेल अछि।
09:50 लिबर ऑफिस राइटर पर आब हम स्पोकन ट्यूटोरियलक समाप्ति दि‍श छी।
09:55 संक्षेप में, हमरा लोकनि‍ --
09:57 राइटरमे टेक्स्ट एलाइन करब
10:00 बुलेट्स आ नम्बरिंग करब
10:02 राइटरमे कट, कॉपी आ पेस्ट करब
10:05 Bold, Underline आ Italic करब
10:09 राइटरमे Font name (फॉन्ट नेम), Font size(फॉन्ट साइज), Font color(फॉन्ट कलर) तय करब सि‍खलहुँ।
10:13 आब बोध सम्‍बन्‍धी दायि‍त्‍व।
10:16 bullets आ numbering कें सक्रिय करू।
10:18 स्टाइल'क चुनाव करू आ कि‍छु प्वॉइंट लिखू।
10:22 कि‍छु टेक्स्ट सलेक्‍ट करू आ एकर फॉन्ट नेम Free Sans मे राखू आ फॉन्ट साइजकें ‘‘‘16’‘‘ प्‍वादण्‍टमे बदलू।
10:29 टेक्स्ट कें Italics मे करू।
10:32 फॉन्ट कें लाल-रंगमे बदलू।
10:35 निम्नांकि‍त लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू।
10:38 ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांश प्रस्‍तुत करैत अछि।
10:41 जँ अहाँक बैन्ड्विड्थ नीक नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि‍ सकै छी।
10:46 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम, स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग द्वारा कार्यशाला सेहो चलबैत अछि।
10:52 ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हर व्‍यक्‍ति‍कें प्रमाण-पत्र सेहो दैत अछि‍।
10:55 अधिक जानकारी लेल कृपया contact@spoken-tutorial.org पर लिखी।
11:02 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा ।
11:06 ई भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय शि‍क्षा मिशन द्वारा आईसीटीक माध्यमे समर्थित अछि।
11:14 अइ मिशन पर अधिक जानकारी
11:18 'spoken hyphen tutorial dotorg slash NMEICT hyphen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि।
11:25 ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि। आई आई टी बॉम्बे दि‍शसँ उज्ज्वल आलोक'क संग हम देवशंकर नवीन आब अहाँ सबसँ विदा लै छी।
11:30 धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok