Introduction-to-Computers/C2/Printer-Connection/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 12:56, 1 September 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)

Jump to: navigation, search
Time Narration
00:01 नमस्कार। Printer Connection क स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।
00:06 अइ ट्यूटोरियलमे, हमरा लोकनि‍ प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़नाइ सीखब।
00:11 अइ ट्यूटोरियल लेल, हमरा
00:13 उबन्टु लिनक्स 12.10 ओ एस
00:17 आ कैनन प्रिंटरक उपयोग क' रहल छी
00:20 सबसँ पहि‍ने अहाँ लोकनि‍कें कंप्यूटरक वि‍भि‍न्नर घटक'क मादे फटाफट जानकारी द' दी।
00:25 ई थि‍क CPU
00:27 मॉनिटर
00:29 कीबोर्ड
00:30 माउस
00:32 आ ई प्रिंटर
00:34 आब CPU कें देखै छी।
00:41 बहुत रास CPUमे, USB पोर्ट्स आगूमे होइत अछि
00:46 आ किछुमे पाछूमे।
00:49 आब, एक नजरि‍ प्रिंटर पर दी।
00:53 सामान्यतः प्रिंटरमे पावर स्विच आगू अथवा ऊपरमे होइत अछि।
01:00 प्रिंटरक पाछूमे एकटा पावर स्लॉट आ एकटा USB पोर्ट होइत अछि।
01:11 प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़बा लेल, एकटा USB केबल'क उपयोग होइत अछि।
01:16 आब USB केबलकें प्रिंटरसँ जोड़ै छी।
01:22 फेर केबल'क दोसर छोर CPUUSB पोर्टसँ जोड़ै छी।
01:30 आब, हमरा सभक प्रिंटर कंप्यूटरसँ जुड़ि‍ गेल अछि।
01:33 प्रिंटर पर जे पावर बटन अछि ओकरा ऑन (on) करू।
01:37 आब, हम अपन कंप्यूटरक उपयोग प्रिंटरकें कॉन्फ़िगर करबामे करै छी।
01:43 आब डेस्कटॉप पर अबै छी।
01:46 सबसँ ऊपर बामा कात लांचर बार पर डैश होम आइकन पर क्लिक करू,
01:53 सर्च बारमे टाइप करू प्रिंटिंग (printing)
01:58 प्रिंटर आइकन प्रदर्शित हैत।
02:02 अइ पर क्लिक करू।
02:04 उबन्टुक पुरने वर्जन्समे,
02:07 System (सिस्टम)
02:08 Administration (एडमिनिस्ट्रेशन)
02:09 Printing (प्रिंटिंग) पर क्लिक करू।
02:12 आब, प्रिंटिंग डायलॉग बॉक्स खुजैत अछि‍।
02:16 ई सूचना देत--There are no printers configured yet.
02:21 ऊपरमे बाम कोन पर, हरि‍यर प्लस संकेत'क संग एकटा Add बटन अछि। अइ पर क्लिक करू।
02:30 न्यू प्रिंटर डायलॉग बॉक्स खोलत।
02:34 बाम दि‍श, कंप्यूटरसँ जुड़ल प्रिंटर उपकरणक सूची प्रदर्शित अछि।
02:42 एतए, अपन प्रिंटर तय करू, अर्थात् कैनन प्रिंटरफॉरवर्ड (Forward) पर क्लिक करू।
02:51 फेर ई स्वयमेव उपकरण ताकब शुरुह क' देत। हम कैंसिल (cancel) पर क्लिक करै छी।
02:59 आब, डायलॉग बॉक्स Choose Driver विकल्प पर जाइत अछि।
03:04 अधि‍कांश स्थितिमे त डिफ़ॉल्ट विकल्प काज करत।
03:08 चूँकि हमरा सभ'क कैनन प्रिंटर अछि, तें अइ सूचीमे, ई डिफ़ॉल्ट रूपें चुनल गेल अछि।
03:16 आब फॉरवर्ड (Forward) पर क्लिक करू।
03:19 मॉडल पेजमे, हमर प्रिंटर मॉडल स्वभावत: नि‍र्धारि‍त अछि‍।
03:26 एतए कोष्ठॉकमे Recommended (रेकमेन्डड) दर्शाओल अछि।
03:31 ड्राइवर्स (Drivers) सेक्शनमे सेहो देखाइत अछि, अभि‍प्राय, जे हमरा प्रिंटर लेल ड्राइवर ठीक अछि।
03:38 आब, Forward (फॉरवर्ड) पर दोबारा क्लिक करू।
03:42 आब, हमारासँ प्रिंटरक बारेमे जानकारी देबा लेल कहल जाइत अछि--प्रिंटरक नाम आ ओकर लोकेशन।
03:49 हम एकरा डिफ़ॉल्टे राखब आ Apply पर क्लिक करब।
03:53 हमर प्रिंटर सफलतापूर्वक कंप्यूटरसँ जुड़ि‍ गेल अछि।
04:00 एकटा मैसेज देखाइत अछि Would you like to print a test page?
04:04 आब, Print Test Page विकल्प पर क्लिक करू।
04:08 एकटा मैसेज संगें पॉप अप देखाइत अछि
04:12 'Submitted – Test Page submitted as job ... आ एकर नंबर।
04:18 OK पर क्लिक करू।
04:20 प्रिंटर प्रोपर्टीज़ (Printer Properties) डायलॉग बॉक्समे, दोबारा OK पर क्लिक करू।
04:24 देखू हमर प्रिंटरसँ एकटा टेस्ट (test) प्रिंट बहराएल।
04:29 आब हमर प्रिंटर डॉक्युमेंट्स प्रिंट करबा लेल तैयार अछि।
04:34 आब printer डायलॉग बॉक्स बंद करै छी।
04:37 आब हम फटाफट देखबै छी जे डॉक्युमेंट कोना प्रिंट करी।
04:42 कानो डॉक्युमेंट खोलू।
04:45 फेर, एक्के संग CtrlP बटन दबाउ।
04:49 प्रिंट (Print) डायलॉग बॉक्स खुजैत अछि।
04:53 ध्यान रहए जे कि जुड़ल प्रिंटर डिफ़ॉल्ट रूपें चुनल गेल अछि।
04:58 डायलॉग बॉक्समे, हमरा सोझाँ कैक टा विकल्प अछि।
05:03 Range हमरा मनवांछि‍त पेज'क रेंज तय करबाक अनुमति दैत अछि।
05:08 एतए रेंजमे कुछ विकल्प उपलब्ध अछि।
05:12 ALL pages विकल्प डॉक्युमेंटक समस्तप पृष्ठक प्रिंट करत।
05:16 Current page विकल्प केवल सम्मुुख चुनल पृष्ठ प्रिंट करत।
05:22 Pages विकल्प हमर विशेष विवरणक आधार पर पृष्ठक प्रिंट करत, उदाहरणार्थ पृ. 3 से 4 लै छी।
05:31 आब हम Copiesमे उपलब्ध विकल्पकें देखी।
05:36 Copies विकल्प थि‍क जे एतए हम इच्छानुसार प्रि‍ण्टि'क संख्या तय करै छी।
05:42 जँ हम Copiesमे 2 भरब, त' लक्षि‍त पृष्ठिक दू प्रति प्रिंट हैत।
05:49 आब Print बटन पर क्लिक करू।
05:52 जँ अहाँ अपन प्रिंटर ठीकसँ कॉन्फ़िगर क' नेने छी, त' अहाँक डॉक्यूमेंट प्रिंट हैब शुरुह भ' जाएत।
05:58 आब हमरा लोकनि‍ अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि‍ गेल छी। अइ ट्यूटोरियलमे हम
06:05 प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़ब सीखलहुँ
06:07 प्रिंटरक सेटिंग्सकें कॉन्फ़िगर करब सीखलहुँ
06:10 डॉक्युमेंट प्रिंट करब सीखलहुँ
06:12 आ उपलब्ध कैक टा प्रिंट विकल्पक मादे जानकारी प्राप्त केलहुँ।
06:17 हम आशा करै छी जे ई जानकारी सहायक रहल हैत।
06:20 नि‍र्देशि‍त लिंक पर उपलब्ध वीडियो देखी।
06:24 अइमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रदर्शि‍त अछि।
06:27 व्यवस्थि ‍त बैंडविड्थ नइँ भेटए त' अहाँ एकरा डाउनलोड क' कए देखि‍ सकै छी।
06:32 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम
  • स्पोकन ट्यूटोरियक उपयोग द्वारा कार्यशाला आयोजि‍त करैत अछि।
  • ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हारकें प्रमाणपत्र दैत अछि।

अधिक जानकारी लेल, कृपया: contact@spoken-tutorial.org पर सम्पर्क करी।

06:49 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थि‍क।

भारत सरकारक एम एच आर डीआई सी टीक माध्यमे राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि। अइ मिशन पर अधिक जानकारी http://spoken-tutorial.org\NMEICT-Intro पर उपलब्ध अछि।

07:10 अइ ट्यूटोरियलकें देखबा लेल धन्यवाद।
07:16 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीनउज्ज्वल आलोक अहाँ सबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

PoojaMoolya, Ujjwalalok