Difference between revisions of "Introduction-to-Computers/C2/Introduction-to-Gmail/Maithili"

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Line 108: Line 108:
 
|'''यूज़रनेम''' अद्वितीय हेबाक चाही, आ अक्षर अथवा अल्फा-न्यूमेरिक संयोजनसँ बनाओल जेबाक चाही।
 
|'''यूज़रनेम''' अद्वितीय हेबाक चाही, आ अक्षर अथवा अल्फा-न्यूमेरिक संयोजनसँ बनाओल जेबाक चाही।
 
|-
 
|-
| 02:37 'Username (यूज़रनेम)'मे 'becky0808' भरै छी।
+
| 02:37
 +
|'Username (यूज़रनेम)'मे 'becky0808' भरै छी।
 
|-
 
|-
 
| 02:43
 
| 02:43
Line 137: Line 138:
 
|अपना पसि‍नसँ एकटा उचित 'Password (पासवर्ड)' टाइप करू।
 
|अपना पसि‍नसँ एकटा उचित 'Password (पासवर्ड)' टाइप करू।
 
|-
 
|-
03:41
+
| 03:41
 
|फेर '''पासवर्ड''' कन्फर्म कर' लेल ओकरा दोबारा टाइप करू।
 
|फेर '''पासवर्ड''' कन्फर्म कर' लेल ओकरा दोबारा टाइप करू।
 
|-
 
|-
Line 218: Line 219:
 
|फेर '''I Agree to the Google Terms and Privacy Policy''' चेक बॉक्समे क्लिक करू।
 
|फेर '''I Agree to the Google Terms and Privacy Policy''' चेक बॉक्समे क्लिक करू।
 
|-
 
|-
05:41
+
| 05:41
 
| आ अन्‍तमे, '''Next Step''' पर क्लिक करू।
 
| आ अन्‍तमे, '''Next Step''' पर क्लिक करू।
 
|-
 
|-
Line 266: Line 267:
 
|थोड़े काल लेल, हम अइ स्टेप सबकें छोड़ि‍ रहल छी।
 
|थोड़े काल लेल, हम अइ स्टेप सबकें छोड़ि‍ रहल छी।
 
|-
 
|-
| 06:51 एकर बदला अपन '''ईमेल अकाउंट''' कें आगू बढ़बै लेल हम '''No Thanks''' बटन पर क्लिक करब।
+
| 06:51
 +
|एकर बदला अपन '''ईमेल अकाउंट''' कें आगू बढ़बै लेल हम '''No Thanks''' बटन पर क्लिक करब।
 
|-
 
|-
| 06:58 आब, हम '''वेलकम''' पेज पर छी।
+
| 06:58
 +
|आब, हम '''वेलकम''' पेज पर छी।
 
|-
 
|-
 
| 07:02
 
| 07:02
Line 289: Line 292:
 
|-
 
|-
 
| 07:33
 
| 07:33
ई दहि‍ना कात नीचाँमे उपलब्ध अछि‍।
+
|ई दहि‍ना कात नीचाँमे उपलब्ध अछि‍।
 
|-
 
|-
 
| 07:37
 
| 07:37

Revision as of 16:09, 1 September 2017

Time Narration
00:01 Introduction to Gmail क स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि‍।
00:06 अइ ट्यूटोरियलमे हम सब सीखब--
00:09 नब गूगल अकाउंट बनाएब।
00:12 गूगल अकाउंटक प्रयोग द्वारा gmail लॉगिन करब।
00:16 ईमेल लिखब।
00:18 ईमेल पठाएब।
00:20 ईमेल देखब।
00:22 जीमेल सँ लॉगआउट हएब।
00:24 हम इनबॉक्स (Inbox) सनक कि‍छु महत्त्वकपूर्ण मेलबॉक्सक मादे सेहो सीखब।
00:30 अइ ट्यूटोरियल लेल, अहाँकें प्रयोजन हैत—एकटा वर्किंग इंटरनेट कनेक्शनक
00:35 आ एकटा वेब ब्राउज़रक।
00:37 उदाहरण लेल, हम फायरफॉक्स वेब ब्राउज़रक प्रयोग करब।
00:42 हालहि‍मे, गूगल अपन समस्त उत्पाद लेल एकटा सिंगल अकाउंट प्रदान केलक अछि‍, जेना कि‍
00:48 Gmail (जीमेल)
00:49 YouTube (यू ट्यूब)
00:50 Google Play (गूगल प्ले)
00:51 Google Docs/Drive (गूगल डॉक्स अथवा ड्राइव)
00:53 Google Calendar (गूगल कैलेंडर) एवं अन्य।
00:57 तें, एकहि‍ लॉगिनसँ, अहाँ अइमे सँ ककरहु ऑपरेट क' सकै छी।
01:02 आब एकटा नब गूगल अकाउंट बनाएब शुरुह करी।
01:06 अपन वेब ब्रॉउज़र खोलू और टाइप करू http colon slash slash gmail dot com (http://gmail.com)
01:16 अइसँ हम आइ पेज पर जाएब, जतए ऊपर दहि‍ना दि‍श दू टा विकल्प देखाएत--
01:22 Create an accountSign in
01:25 एना तखन हैत, जखन अपन मशीनसँ अहाँ पहि‍ल बेर एहन प्रयास करब।
01:32 जँ ई पेज अहाँक मशीनसँ पहि‍नहुँ एक्सेस भ' चुकल अछि‍, त' पेजमे देखएत--
01:39 अहाँक email यूज़रनेमपासवर्ड प्रविष्ट करबाक वि‍कल्प‍।
01:46 एकटा पैघ बटन जे Sign In कर' लेल कहत--
01:50 तकर नीचाँ, अहाँ एकटा लिंक देखब Create an account
01:55 ओइ Create an account लिंक पर क्लिक करू।
01:59 आब हमसब Google Account क्रिएशन पेज पर छी।
02:03 दहि‍ना दि‍श एकटा फॉर्म देखाएत, जाहि‍मे अपन अकाउंट सम्ब न्धीे आ व्यक्तिगत विवरण भरबाक अछि‍।
02:11 आब सम्बन्‍धित टेक्स्ट बॉक्स सभमे अपन प्रथम आ अन्तिन‍म नाम भरबाक अछि‍।
02:17 हम अपन नाम Rebecca Raymond प्रविष्ट करब।
02:23 आगू, Username (यूज़रनेम) चुनबाक अछि‍।
02:27 यूज़रनेम अद्वितीय हेबाक चाही, आ अक्षर अथवा अल्फा-न्यूमेरिक संयोजनसँ बनाओल जेबाक चाही।
02:37 'Username (यूज़रनेम)'मे 'becky0808' भरै छी।
02:43 जँ ई यूज़रनेम पहि‍नहि‍ कि‍ओ भरि‍ चुकल अछि‍, त' ओतए देखाएत--
02:49 ई यूज़रनेम पहि‍नहि‍सँ कि‍नकहु अछि‍, अहाँ दोसर प्रयास करू।
02:54 हमरा लोकनि‍ द्वारा भरल प्रथम आ अन्ति ‍म नाम'क आधार पर 'गूगल' कि‍छु 'यूसरनेम्स' सुझाएत।
03:01 हम कोनो मनपसंद यूज़रनेम द' कए ओकर उपलब्धता जाँचि‍ सकै छी।
03:07 आब हम 'यूज़रनेम'मे ray.becky.0808 प्रविष्ट करी
03:18 स्वीकार्य भेला पर ओतए देखएत--यूज़रनेम उपलब्ध अछि‍।
03:24 आब अइ अकाउंट लेल हमरा पासवर्ड बनेबाक अछि‍।
03:30 बाम भाग'क इनफॉर्मेशन बॉक्ससँ पता चलत जे पासवर्ड कते टा हेबाक चाही।
03:36 अपना पसि‍नसँ एकटा उचित 'Password (पासवर्ड)' टाइप करू।
03:41 फेर पासवर्ड कन्फर्म कर' लेल ओकरा दोबारा टाइप करू।
03:44 तकर बाद Birthday पर आउ।
03:48 ड्राप-डाउनसँ महीना चुनू।
03:51 फेर सम्बन्‍धित टेक्स्ट बॉक्सेसमे दिन और वर्ष टाइप करू।
03:57 आब अपन जेण्‍डर चुनू।
04:00 हम मेल चुनि‍ रहल छी।
04:03 अगि‍ला क्षेत्र Mobile phone (मोबाइल फ़ोन) थि‍क।
04:06 तत्काल एकरा छोड़ि‍ दै छी।
04:08 एकर बाद, एकटा टेक्स्ट बॉक्सअछि‍; जे current अर्थात् मौजूदा email address पूछैत अछि‍।
04:14 जे एखन अहाँ बना रहल छी; तकर अलावा जँ अहाँक कोनो अन्य ईमेल एड्रेस अछि‍, त' एतए से टाइप करू।
04:21 जँ कोनो आन मेल आईडी नइँ अछि‍ त' एकरा खाली छोड़ि‍ दी।
04:23 आब शेष विवरण देखै छी।
04:26 अगि‍ला खण्डखमे Prove you're not a robot दू गोट सत्यापन अछि‍।
04:32 फ़ोन वेरिफ़िकेशन
04:34 आ पज़ल वेरिफ़िकेशन
04:36 हम सब अइ दुनू विकल्पमे सँ कोनो एक के संगें आगू बढ़ि‍ सकै छी।
04:40 हम पज़ल वेरिफ़िकेशन संगें आगू बढ़ब।
04:43 Type the text टेक्स्ट बॉक्सआमे इमेजमे देखाओल टेक्स्ट अथवा संख्या टाइप करू।
04:49 'Location' ड्राप-डाउनमे, डिफ़ॉल्ट रूपसँ अहाँक देश देखाओल गेल अछि‍।
04:55 हम इंडियामे रहै छी, तें हमर लोकेशन ड्राप डाउनमे India देखाइत अछि‍।
05:02 अन्‍तमे, I Agree to the Google Terms and Privacy Policy चेक बॉक्समे टिक करै लेल क्लिक करू।
05:10 फॉर्ममे अपेक्षि‍त स'ब जानकारी भरि‍ देलाक बाद, Next Step बटन पर क्लिक करबाक अछि‍।
05:17 मुदा एखन हम से नइँ करब।
05:20 आब देखी जे 'फ़ोन वेरीफिकेशन' चुनला पर की‍ होइत अछि।
05:25 Phone Verification may be required वि‍कल्परमे Skip this verification चेक बॉक्स पर क्लिक करू।
05:32 लोकेशनमे India (भारत) क्लिर‍क करू।
05:35 फेर I Agree to the Google Terms and Privacy Policy चेक बॉक्समे क्लिक करू।
05:41 आ अन्‍तमे, Next Step पर क्लिक करू।
05:45 फ़ोन वेरिफिकेशन पेज पर ल' जाएत।
05:50 ड्राप-डाउनसँ देशक झण्‍डा चुनू, हम इंडिया चुनि‍ रहल छी।
05:55 देल गेल टेक्स्ट बॉक्समे अपन मोबाइल नंबर भरू।
06:00 'Text messageमे SMS विकल्प चुनू। ई स्वतयमेव डिफ़ॉल्ट रूपें चुना जाएत।
06:07 फेर Continue बटन पर क्लिक करू।
06:10 अहाँक फ़ोन पर एक SMS आबि‍ जाएत।
06:13 अइसँ अहाँ वेरिफिकेशन'क अगि‍ला भागमे पहुँचि‍ जाएब।
06:17 आब SMS द्वारा गूगलसँ प्राप्त वेरिफिकेशन कोड देल गेल टेक्स्ट बॉक्समे टाइप करू।
06:24 Continue पर क्लिक करू।
06:27 आब हम Create your public Google+ profile पेज पर छी।
06:32 एतए अहाँ अपना नाम देखि‍ सकै छी।
06:35 एकर नीचाँ एतए Add a photo विकल्प अछि‍।
06:39 अपन गूगल प्रोफाइल पर फोटो जोड़ै लेल अहाँ अइ पर क्लिक क' सकै छी।
06:44 एतए Create your profile नामक एकटा बटन अछि‍।
06:48 थोड़े काल लेल, हम अइ स्टेप सबकें छोड़ि‍ रहल छी।
06:51 एकर बदला अपन ईमेल अकाउंट कें आगू बढ़बै लेल हम No Thanks बटन पर क्लिक करब।
06:58 आब, हम वेलकम पेज पर छी।
07:02 हमरा देखाइत अछि‍ Welcome, Rebecca
07:06 हमर नया 'ईमेल एड्रेस' ray.becky.0808@gmail.com सेहो देखाइत अछि।
07:16 आब, Continue to Gmail बटन पर क्लिक करू।
07:22 एतए अहाँक मेल अकाउंट लोड हएब शुरुह हैत।
07:24 अहाँक इंटरनेटक स्पीडक आधार पर ई कि‍छु समय ल' सकैत अछि‍।
07:28 जँ हमरा सभक इंटरनेट सुस्तु अछि‍, त' हम Load basic HTML पर क्लिक क' सकै छी।
07:33 ई दहि‍ना कात नीचाँमे उपलब्ध अछि‍।
07:37 ई बि‍ना कोनो ग्राफिकल प्रदर्शन के जीमेल लोड करत।
07:41 स्क्रीन पर कि‍छु इन्फॉर्मेशन बॉक्स सब देखाएत।
07:46 ओकरा पढ़ू अथवा Next बटन पर क्लिक करैत आगू देखू आ फेर ओकरा बंद करू।
07:53 ई अहाँक जीमेल अकाउंटक स्टैण्डर्ड व्यू थि‍क।
07:58 मध्य डिस्प्ले क्षेत्र, जतए हम अपन सबटा मेल्स देख सकै छी--
08:04 ध्यान राखी जे एतए तीन टा टैब्स अछि‍। तकरा मादे हम विस्तारसँ आगूक ट्यूटोरियल्समे सीखब।
08:12 बामा दि‍श, हम कि‍छु मेन्यू आइटम्स देख सकै छी।
08:16 एतए Inbox, Starred, Sent Mail, Draftsजीमेलक कि‍छु आओर मुख्य मेलबॉक्से अछि‍।
08:29 डिफ़ॉल्ट रूपें, Inbox क्लिक कएल रहैत अछि‍ आ एकर सामग्री डिस्प्ले क्षेत्रमे प्रदर्शित रहैत अछि‍।
08:36 ध्यान रहए जे Inbox लग ब्रैकेट्मे नंबर 3 अछि‍।
08:41 ई अहाँक आईडीमे आएल नब मेल'क संख्या थि‍क।
08:46 जखन कखनहुँ हम नब गूगल अकाउंट बनबै छी, त' हमरा गूगल टीम दि‍शसँ कि‍छु मेल अबैत अछि‍।
08:52 जीमेलक सुवि‍धा सम्ब न्धीट अधिक जानकारी लेल अहाँ ओकरा पढ़ि‍ सकै छी।
08:58 आब, सीखी जे ईमेल कोना लि‍खल जाए।
09:02 बामा कातक COMPOSE बटन पर क्लिक करू।
09:06 New Message नामसँ एकटा विंडो खुजत।
09:10 अइमे चारि‍ टा खण्ड होइत अछि‍।
09:13 To मे हम ओइ व्यक्तिक ईमेल एड्रेस टाइप करब जि‍नका हम मेल पठब' चाहै छी।
09:21 एतए हम ओएह ईमेल-id टाइप करब जे हम एखन बनौने छी, अर्थात् ray.becky.0808@gmail.com
09:35 एकर अर्थ भेल जे हम स्वoयंकें मेल पठा रहल छी।
09:39 अगि‍ला खण्ड‍ Subject थि‍क।
09:42 एतए हम मेल'क वि‍षय संक्षेपमे टाइप क' सकै छी।
09:46 जेना 'Welcome mail'
09:50 आगू कंटेंट, अर्थात् विषय वस्तु क्षेत्र अछि‍।
09:53 एतए हमरा ओ बात टाइप करबाक अछि‍, जे हम पठब' चाहै छी।
09:57 आब टाइप करै छी, Greetings to all from the Spoken Tutorial Project
10:03 आखिरी खण्ड मे, नील रंग'क Send बटन अछि‍।
10:08 ईमेल पठेबा लेल अइ पर क्लिक करू।
10:11 ध्यान राखी जे आब इनबॉक्समे प्राप्त मेलक संख्या 4 भ' जाएत।
10:16 कोनो खास मेलकें पढ़' लेल, ओइ पर क्लिक करू।
10:20 एतए ओ मेल अछि‍ जे एखन हम स्वेयं पठौने छी।
10:23 आब एकरा देखै छी।
10:26 'Show Details' एरो पर क्लिक करू।
10:29 एतए मेल पठौनि‍हार आ प्राप्तक केनि‍हार'क ईमेल एड्रेस देखाएत।
10:34 एतए ओ ति‍थि‍ आ समय सेहो देखाएत जखन ईमेल पठाओल गेल अछि‍।
10:39 एतए ईमेलक सब्जेक्ट लाइन अछि‍।
10:43 आ ईमेलक विषय सेहो अछि‍।
10:47 आब, देखब जे इनबॉक्समे बिन पढ़ल मेलक संख्या 3 अछि‍।
10:54 आब सीखी जे Gmail सँ साइन आउट कोना होइ।
10:58 ऊपर दहि‍ना दि‍श, अहाँकें अपन ईमेल-id देखाएत।
11:03 जँ अकाउंट बनबै काल अहाँ अपन फोटो अपलोड केने हएब, त' एतए ओहो देखाएत।
11:08 अइ पर क्लिक करू।
11:10 एतए Sign Out बटन देखाएत। साइन आउट कर' लेल ओइ पर क्लिक करू।
11:17 अहाँ Gmail सँ सफलतापूर्वक साइन आउट भ' गेल छी।
11:21 आब अहाँ अइ ट्यूटोरियलक अन्‍तमे आबि‍ गेल छी।
11:25 संक्षेपमे कही त' हम सब सि‍खलहुँ--
11:28 नब गूगल अकाउंट बनाएब।
11:31 गूगल अकाउंटक प्रयोग करैत gmail मे लॉगिन करब।
11:34 ईमेल लीखब।
11:36 ईमेल पठाएब।
11:37 ईमेल देखब।
11:39 जीमेल सँ लॉगआउट हएब।
11:41 देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थि‍क।
11:45 कृपपूर्वक एकरा डाउनलोड क' कए देखू।
11:49 अइ संचालि‍त कार्यशालामे ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हार प्रति‍भागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि‍।
11:55 अधिक जानकारी लेल, कृपया सम्पमर्क करी।
11:58 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक, एम एच आर डीNMEICT द्वारा समर्थित अछि‍।
12:05 अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि ।
12:10 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीनउज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

PoojaMoolya, Ujjwalalok