Introduction-to-Computers/C2/Google-Drive-Options/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 17:19, 1 September 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)

Jump to: navigation, search
Time Narration
00:01 Google Drive optionsक स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँ लोकनि‍क स्वागत अछि।
00:06 अइ ट्यूटोरियलमे हम Google Driveमे उपलब्ध निर्देशि‍त विकल्पक मादे सीखब, जेना कि‍--
00:12 कोनो डॉक्युमेंट, कोनो स्प्रेडशीट आ कि‍ कोनो प्रेज़ेण्टेकशन बनाएब
00:17 फाइल्स आ फ़ोल्डर्स अपलोड करब
00:20 आ विकल्प शेयर करब।
00:22 अइ ट्यूटोरियल लेल अहाँकें कोनो क्रि‍याशील इण्‍टरनेट कनैक्शन आ कोनो वेब ब्रॉउज़रक प्रयोजन हैत।
00:29 हम एतए फायरफॉक्स वेब ब्रॉउज़रक प्रयोग करब।
00:33 एकर उपयोगसँ पूर्व अहाँकें जीमेलक बुनियादी जानकारी रहबाक चाही।
00:38 जँ से नइँ अछि, त' हमर वेबसाइट पर उपलब्ध Gmail सँ सम्बन्धिनत ट्यूटोरियल्स देखी।
00:43 आब शुरुह करै छी।
00:45 वेब ब्रॉउज़र खोली आ अपन 'जीमेल' अकाउंट पर लॉगिन करी।
00:49 ई काज हमरा लोकनि‍ पहि‍नहुँ क' चुकल छी।
00:51 ऊपरमे दहि‍ना भाग हम अपन नामक आगू एकटा ग्रिड आइकन देखि‍ सकै छी।
00:56 जखन हम अइ पर माउस ल' जाइ छी, हेल्प टेक्स्ट कहैत अछि--- Apps

अइ पर क्लिक करी।

01:02 ई हमरा किछु 'गूगल apps' देखओत। जेना--
  • google plus
  • Search
  • YouTube
  • Maps
  • PlayStore
  • News
  • Mail
  • Drive
  • Calendar आ आन बहुत कि‍छु।
01:18 जँ हम ओइ पर क्लिक करब त' हमरा ओइ ख़ास google app पर निर्देशित कएल जाएत।
01:24 apps icon कें घुसका कए हम अपन वांछि‍त वि‍कल्परक अनुसार अइ सूचीकें पुनः व्यवस्थित सेहो क' सकै छी।
01:32 अइ ट्यूटोरियलमे, हम विशेष रूपें Driveक मादे सीखब।
01:35 तें आब हम Drive पर क्लिक करै छी।
01:39 ई न'ब टैबमे Google Drive पेज खोलत।
01:43 पेजमे सबसँ ऊपर, हम एकटा Search bar देखि‍ सकै छी।
01:47 बाम कात किछु मेन्यू अछि‍।
01:51 आ दहि‍ना कात ऊपरमे किछु आइकन्स अछि‍।
01:55 केंद्रमे, हम दू टा फाइल देखि‍ सकै छी।
01:59 पहि‍ल फाइल ओ थि‍क जे अकाउंट बनेबा काल हमरा संग 'गूगल' टीम शेयर केने छल।
02:05 दोसर फाइल ओ थि‍क जे हमरा लोकनि स्व यं‍ अपलोड केने छलहुँ।
02:10 आब, बाम भाग'क मेन्यू सभ पर एक नज़र दी।
02:14 उपलब्ध मेन्यू सभ अछि‍:
  • New
  • My Drive
  • Shared with me
  • Google Photos
  • Recent
  • Starred
  • Trash
02:27 डिफ़ॉल्ट रूपें My Drive मेन्यू चयनित रहत आ ओकर विषय-वस्तु केंद्रमे देखाइ देत।
02:34 समस्तल फाइल आ फ़ोल्डर केंद्रीय क्षेत्रमे देखाइ देत।
02:38 तें, एतए हम ओ PDFZIP फाइल देखि‍ सकै छी, जे हम पछि‍ला ट्यूटोरियलमे अपलोड केने रही।
02:47 ओ फाइल स'ब जे हम बना कए अपलोड केने छी, सबटा My Drive मे संचित कएल जाएत।
02:53 अगि‍ला मेन्यू Shared with me अछि। हम अइ पर क्लिक करै छी।
02:58 जँ कि‍ओ हमरा संगें कोनो फाइल अथवा डॉक्युमेंट शेयर करत, त' से अइ मेन्यूमे देखाइ देत।
03:03 एखन धरि‍ हमरा संगें कि‍ओ कोनो फाइल शेयर नइँ केने अछि, अइ लेल ई खाली अछि।
03:09 हालहि‍मे google अपन Google Photos कें 'ड्राइव'मे एक्सेस करबा लेल एकटा शॉर्टकट लिंक बनौलक अछि‍।
03:15 हम अइ ट्यूटोरियल लेल अइ विकल्पकें छोड़ै छी।
03:19 Recent मेन्यू ओहि‍ फाइल अथवा डॉक्युमेंट सभक सूची देखाओत जे हालमे खोलल गेल अछि‍।
03:25 My DriveShared with me दुन्नू विषय-वस्तु देखाओत।
03:30 तें हम एतए pdfzip फाइल देखि‍ सकै छी, कारण हम ई पहि‍नहि‍ खोलि‍ नेने रही।
03:37 Starred :
  • जँ हम कोनो फाइल अथवा डॉक्युमेंटकें 'Important' मार्क केने छी, त' से फाइल अइ मेन्यूमे देखाइ देत।
03:45 आब My Drive मेन्यू पर वापस चलै छी आ अपन pdf फाइल पर राइट-क्लिक करै छी।
03:51 आब Add Star विकल्प लै छी।
03:55 फेर Starred पर क्लिक करै छी। एतए हमर फाइल अछि।
04:00 हम अइ फाइलक एकटा कॉपी बनबै छी।
04:03 तें एक बेर फेर, फाइल पर राइट क्लिक करी आ Make a copy विकल्प चुनी।
04:10 आब हमरा जि‍मामे दू टा फाइल अछि‍।
04:13 ओइमे सँ एकटाकें मेटा दी। फाइल चुनी आ की-बोर्ड पर Delete बटन दाबि‍ दी।
04:20 मेटाएल फाइल अथवा डॉक्युमेंट Trash मेन्यूमे देखाइ देत।
04:25 यद्यपि, मेटाएब अस्थायी अछि।
04:28 Trash मेन्यूमे Empty Trash विकल्प ल' कए हम स'ब फाइल्सकें पूर्ण रूपें मेटा सकै छी।
04:36 Trash मेन्यूक समस्तy फाइल 30 दिन बाद स्वतः गूगल सर्वरसँ पूर्ण रूपें मेटा देल जाइत अछि‍।
04:44 आब सीखै छी जे फाइल आ फ़ोल्डर कोना बनाओल जाइत अछि‍ आ कोना अपलोड होइत अछि‍।
04:49 एकर चार टा पद्धति‍ अछि‍--

पहि‍ल पद्धति‍ अछि‍ बाम कात'क लाल रंगक New बटन पर क्लिक करब।

04:56 दोसर पद्धति‍ अछि My Drive विकल्प पर राइट क्लिक करब।
05:00 आब, My Drive पर वापस अबै छी।

My Drive विकल्पमे, हम मध्य भागमे राइट क्लिक क' सकै छी।

05:09 आ अंततः, My Drive ड्राप-डाउन मेन्यूमे सबसँ ऊपर क्लिक करी।
05:14 आब New विकल्पमे सम्भावना तकै छी।

'New' बटन पर क्लिक करी।

05:19 एतए नि‍र्देशि‍त विकल्प देखाएत :
  • 'Folder'
  • 'File Upload'
  • 'Google Docs, Sheets, Slides'
  • आ अन्य
05:28 बेराबेरी हम प्रत्येक विकल्पकें देखब।
05:31 Folder विकल्प'क प्रयोग क' कए हम कोनो फोल्डर बना सकै छी।
05:34 अइ पर क्लिक करी। तुरंत ई नाम पूछत।
05:40 आब फोल्डरक नाम Spoken Tutorial दै छी आ Create बटन पर क्लिक करै छी।
05:48 डिफ़ॉल्ट रूपें, ई फोल्डर My driveमे देखाएत।
05:52 एतए हम एकरा केंद्रमे देखि‍ सकै छी।
05:56 फ़ोल्डर हमर फाइल्सकें नि‍के नाँ व्यवस्थित कर'मे मदद करैत अछि‍।
06:00 तें, हम अलग-अलग फ़ोल्डर, जेना personal, work आदि बना सकै छी।
06:07 कोनो फाइलकें अपलोड करबा लेल, पहि‍ने New बटन पर फेर File Upload पर क्लिक करी।
06:13 ई फाइल ब्राउज़र विंडो खोलत।
06:16 ओहि‍ फाइलकें ब्राउज़ करी आ चुनी जे अहाँ अपलोड करए चाहै छी।
06:19 हम 'डेस्कटॉप' सँ xyz.odt फाइल लै छी आ Open बटन पर क्लिक करै छी।
06:26 नीचाँ दहि‍ना दि‍श, हम अपलोड हेबाक प्रोग्रेस देखि‍ सकै छी।
06:30 ई फाइलक साइज़ आ इंटरनेटक स्पीडक आधार पर किछु समय ल' सकैत अछि।
06:35 एक बेर पूरा भेलाक बाद, अपलोड कएल फाइल मध्य‍मे देखाइ देत।
06:41 आब, नीचाँवला प्रोग्रेस विंडोकें बंद क' दी।
06:45 अही तरहें, हम Folder Upload विकल्प'क प्रयोग क' कए Drive पर एक फोल्डर अपलोड क' सकै छी।
06:52 ई विशेषता किछुए ब्राउज़र्समे उपलब्ध भ' सकैत अछि। उदाहरणार्थ: Google Chrome
06:59 अपन अपलोड कएल फाइलकें Spoken Tutorial फोल्डरमे कोना मूव क' सकै छी?
07:04 फाइल कें फोल्डरमे केवल अइ तरहें घीचि‍ कए आनी आ छोड़ि‍ दी।
07:09 आब, बामा कात'क, My Drive विकल्पकें ल'गसँ देखी।
07:14 ध्यान दी जे एकर बामा कात एकटा छोट सन त्रिभुज अछि।
07:18 अइ पर क्लिक करब त My Driveमे समस्तत फ़ोल्डर देखाइ देत।
07:22 देखी जे एतए हमर फोल्डर Spoken Tutorial अछि आ एतए एकरा भीतर फाइल xyz.odt अछि।
07:31 अपन दैनिक कार्य लेल, हमरा लोकनि‍ डॉक्युमेंट्स, स्प्रेडशीट्स आ प्रेजेण्‍टेशन्स'क प्रयोग करै छी।
07:36 त' की Driveमे से बनाएब आ व्यवस्थित करब संभव अछि ?
07:39 हाँ, ई संभव अछि। Google Driveमे सेहो हम Office Suite जकाँ डॉक्युमेंट, स्प्रेडशीट्स आ प्रेजेण्‍टेशन्स बना सकै छी।
07:50 तें हमरा सभक सोझाँ डॉक्युमेंट्स बनेबा लेल Google Docs अछि‍।
07:54 स्प्रेडशीट्स बनेबा लेल Google Sheets अछि‍।
07:57 आ प्रेजेण्‍टेशन्स बनेबा लेल Google Slides अछि‍। ।
08:01 उदाहरणार्थ, हम एतबे देखाएब जे Google Docs क प्रयोग करैत डकुमेण्टव कोना बनैत अछि।
08:08 कोनो न'ब डॉक्युमेंट बनेबा लेल, New बटन पर क्लिक करी आ Google Docs विकल्प चुनी।
08:14 ई नब टैबमे एकटा खाली डॉक्युमेंट खोलत।
08:19 हम देखि‍ सकै छी जे मेन्यूज़ आ टेक्स्ट फॉर्मेटिंग विकल्प अन्य Office Suite जकाँ अछि‍।
08:26 ऊपर, ध्यातव्यय अछि‍ जे डॉक्युमेंटक शीर्षक Untitled document अछि।
08:31 ई एडिट होइ वला शीर्षक अछि। शीर्षककें दोबारा नाम देबा लेल, टेक्स्ट पर क्लिक करी।
08:38 Rename document विंडो खुजैत अछि।
08:41 एतए हम अपन डॉक्युमेंट लेल कोनो उचित शीर्षक टाइप क' सकै छी।
08:46 हम टाइप करब My first google docOK पर क्लिक करब।
08:53 शीर्षकमे बदलाव पर ध्यान दी।
08:56 आगू, हम एतए किछु कंटेंट टाइप करै छी, मानि लि‍अ Welcome to Google Docs टाइप केलहुँ
09:02 अइ डॉक्युमेंटमे किछुओ जोड़ब, संशोधन करब अथवा मेटाएब, ओ स्वयमेव सेव भ' जाएत।
09:08 ऊपरमे Help मेन्यूक आगू, मैसेज आओत All changes saved in Drive,
09:14 जँ ओहि‍ पर क्लिक करब त' दाहि‍ना कात Revision History देखि‍ सकै छी।
09:19 ई कएल गेल अन्तिर‍म संशोधनक तारीख़, समय आ संशोधन के केलनि‍, सेहो देखबैत अछि
09:26 एखन ई डॉक्युमेंट कि‍नकहु संगें शेयर नइँ भेल अछि
09:30 तें हम तारीख़मे 'Today' आ ओहि‍ समयक संग केवल एकटा यूज़र 'Rebecca Raymond' देखि‍ सकै छी।
09:37 जँ 'google doc' बहुत रास लोक'क संग शेयर होइत अछि त' प्रयोक्ता द्वारा कएल गेल समस्ते बदलावकें 'revision history' अलग-अलग प्रयोक्ताहकें अलग-अलग रंग द'

क सूचीबद्ध करत।

09:48 अइ ट्यूटोरियलमे ई विशेषता हम थोड़े काल बाद देखब।
09:53 Revision History कें बंद करी।
09:56 आब हम अइ टैबकें बंद करै छी। google doc स्व यमेव सेव भ' जाएत।
10:02 एक बेर हम फेर, My Driveमे छी आ एतए अपन फाइल देखि‍ सकै छी।
10:07 एकरा दोबारा खोलबा लेल अइ पर डबल क्लिक करी।
10:10 आब, Welcome to Google Docs लाइन कें दू बेर कॉपी-पेस्ट करब आ फेर टैब बंद करब।
10:17 एकरा खोलबा लेल एक बेर फेर फाइल पर डबल क्लिक करी।
10:20 दोबारा, Welcome to Google Docs लाइनकें एक बेर कॉपी-पेस्ट करी।
10:26 आब Revision History पर क्लिक करी। एतए डेट-टाइम स्टैम्प आ प्रयोक्ताक'क जानकारी संग फाइलक समस्ता रीविजन देखि‍ सकै छी।
10:36 जँ स'ब रीविजन नइँ देखाए, त' नीचाँ 'Show more detailed revisions' बटन पर क्लिक करी।
10:44 ऊपर नवीनतम रीविजन संगें क्रमानुसार रीविजन व्यवस्थित देखाएत।
10:50 प्रत्येक रीविजन पर क्लिक करी आ ग'र करी जे ई क्रि‍या कोना नि‍ष्पाsदि‍त होइत अछि।
10:55 आब हम ई डॉक्युमेंट दू टा अन्य प्रयोक्ता संगें शेयर करै छी।
10:59 अइ लेल, ऊपरमे दहि‍ना कात'क 'Share' बटन पर क्लिक करी।
11:03 Share with others डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि।
11:07 People टेक्स्ट बॉक्समे, हमरा लोकनि‍कें हुनका सभ'क ईमेल-आई डी भरबाक अछि‍, जिनका संग हम ई डॉक्युमेंट शेयर करए चाहै छी।
11:15 तें हम टाइप करब 0808iambecky@gmail.com
11:23 ध्यान दी जे autofill विशेषता एतए ओहि‍ ईमेल-आई डी लेल उपलब्ध अछि, जिनका हम पहि‍नहुँ ईमेल पठौने छी।
11:31 तीन मोड्स होइत अछि‍, जै'मे हम अन्य प्रयोक्ताम संग डॉक्युमेंट शेयर क' सकै छी।
11:36 अइ तीन मोड्सकें देखबा लेल एतए अइ बटन पर क्लिक करी:
  • Can edit
  • Can comment
  • Can view
11:44 Can edit विकल्प अन्य प्रयोक्तााकें डॉक्युमेंटमे बदलाव करबा अनुमति दैत अछि।
11:51 Can comment विकल्प अन्य प्रयोक्तातकें बदलावक सुझाव देबाक अनुमति दैत अछि।
11:56 Can view विकल्प अन्य प्रयोक्ताककें केवल देखबाक अनुमति दैत अछि।
12:00 ओ कोनो बदलाव नइँ क' सकै छथि‍, आ ने बदलावक सुझाव द' सकै छथि‍।
12:04 आब 0808iambecky कें Can edit विकल्प दै छी।
12:09 हम stlibreoffice@gmail.com कें सेहो जोडब।
12:16 दू टा ईमेल-आई डीक बीच एकटा कॉमा लगाएब मोन राखी।
12:21 जहि‍ना हम समस्तc ईमेल-आई डी एतए भरै छी, कि‍ विंडोमे एकटा बदलाव होइत अछि।
12:25 हमरा लोकनि‍कें एतए एकटा 'Add a note' टेक्स्ट एरि‍या देखाइत अछि।
12:28 जँ हम अन्य प्रयोक्तामकें अइ डॉक्युमेंटक मादे किछु जानकारी देबए चाहै छी, त' से हम एतए टाइप क' सकै छी।
12:36 हम टाइप करब Please find attached a document for testing purpose. Kindly modify or suggest, as per the permission given to you.

Thanks Ray.Becky

12:47 अंतमे शेयर करबाक अइ प्रक्रियाकें पूरा करै लेल Send बटन पर क्लिक करी।
12:52 ई हमर मैसेज आ शेयर कएल गेल डॉक्युमेंटक लिंक संगें अन्य प्रयोक्तालकें एकटा ईमेल नोटिफिकेशन पठाओत।
12:59 एक बेर फेर, Share बटन पर क्लिक करी।
13:02 फेर Advanced बटन पर क्लिक करी।
13:05 stlibreoffice प्रयोक्ता लेल आब हम शेयरिंग मोडकें Can commentमे बदलब।
13:12 अंतमे Save changes बटन पर आ फेर Done पर क्लिक करी।
13:18 आब अइ डॉक्युमेंटकें बंद करी।
13:21 आब, मानि लि‍अ' जे दुनू प्रयोक्तार शेयर कएल गेल डॉक्युमेंटमे किछु संशोधन केने छथि‍।
13:27 किछु समय बाद जखन हम ओ डॉक्युमेंट दोबारा खोलै छी, त' अन्य शेयर्ड प्रयोक्ताा द्वारा कएल गेल सम्पाbदन देखि‍ सकै छी।
13:34 चूँकि stlibreoffice@gmail.comकें मात्र सुझाव देबाक अनुमति छलनि‍, तें हम ओहि‍ प्रयोक्ताा द्वारा देल गेल सुझाव देखि‍ सकै छी।
13:43 अपन माउसकें सुझाव बॉक्स पर, टिक आ क्रॉस मार्क्सक ऊपर आनी।
13:49 टिक मार्क'क अर्थ भेल Accept suggestion आ क्रॉस मार्क'क अर्थ भेल Reject suggestion
13:56 आब हम एकटा सुझावकें स्वीकार करै छी आ दोसरकें छोड़ दै छी।
14:02 हम एतए 0808iambecky सँ एकटा सुझाव देखि‍ सकै छी।
14:07 आ एतए हम Resolve बटन देखि‍ सकै छी।
14:11 Can edit विकल्पबला प्रयोक्ताे कमेंट टेक्स्ट पर क्लिक क' कए ओहि‍ कमेंटक उत्तर द' सकैत अछि‍।
14:18 कमेंट थ्रेडकें हटेबा लेल, Resolve बटन पर क्लिक करी।
14:22 अइ डॉक्युमेंटमे हम 0808iambecky द्वारा कएल गेल कोनो संशोधन नइँ देखि‍ सकै छी।
14:29 स्मरणीय थि‍क‍ जे अइ प्रयोक्तामकें डॉक्युमेंटमे edit क अनुमति नइँ छल।
14:34 तें, हम ई कोना पता करब जे ओ प्रयोक्ता की बदलाव केने छलाह ?
14:39 एहि‍ लेल, हम अपन Revision History देखि‍ सकै छी।
14:43 एकरा खोलबा लेल, हम File पर आ फेर See revision history पर क्लिक करी।
14:50 हम देखि‍ सकै छी जे 0808iambecky कोन बदलाव केलनि‍ अछि; ई अलग रंगमे देखाइत अछि।
14:58 हम stlibreoffice@gmail.com द्वारा देल गेल सुझावकें सेहो अलग रंगमे देखि‍ सकै छी।
15:05 आ ओनर हेबाक कारणें नि‍श्चाये हम अपन कार्यकें अलग रंगमे देखब।
15:11 आब Revision History विंडोकें बंद करै छी।
15:14 डॉक्युमेंट शेयर करबाक एकटा अन्य तरीका सेहो अछि। Share बटन पर क्लिक करी।
15:20 ऊपरमे दहि‍ना कोन पर Share with others विंडोमे, हम Get shareable link टेक्स्ट देखि‍ सकै छी। अइ पर क्लिक करी।
15:29 ई कहैत अछि Anyone with the link can view
15:32 अइ डॉक्युमेंट लेल ई एकटा लिंक बनबैत अछि।
15:35 आब हम ई लिंक कोनहुँ ईमेल-आईडीकें पठा सकै छी, जकर मतलब भेल जे ई लिंक जिनका कि‍नकहु लग छनि‍, से अइ डॉक्युमेंटकें देखि‍ सकै छथि‍।
15:44 अइ तथ्य,'क संग हम अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि‍ गेल छी।
15:47 आब एकरा संक्षेप करी
15:49 अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍ सि‍खलहुँ--
  • Google Drive कें एक्सेस करब
  • फाइल बनाएब आ ओकरा अपलोड करब
  • गूगल डॉक्स बनाएब
  • आ शेयरिंग विकल्पक प्रयोग करब।
16:00 देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रस्तु त करैत अछि। कृपया एकरा देखी आ डाउनलोड करी।
16:07 हमरा लोकनि‍ कार्यशाला आयोजि‍त करै छी आ ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हारकें प्रमाणपत्र दैत छी।

अधिक जानकारी लेल, कृपया सम्पयर्क करी।

16:16 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक एम एच आर डीNMEICT द्वारा निधिबद्ध अछि।

अइ मिशन लेल अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि।

16:27 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीनउज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

PoojaMoolya, Ujjwalalok