Introduction-to-Computers/C2/Getting-to-know-computers/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 17:42, 23 August 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)

Jump to: navigation, search
09:29 CD/DVD रीडर-राइटर आ संगहि 09:32 एकहि यूनिटमे बनल 'माइक' एवं 'स्पीकर'।
Time Narration
00:01 Getting to know Computers के स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँका स्वागत अछि।
00:06 अइ ट्यूटोरियलमे हम 'कम्प्यूटर'क अनेक भाग'क मादे सीखब।
00:11 अनेक भागकें जोड़ब सेहो सीखब।
00:15 सामान्यतः'कम्प्यूटर दू प्रकारक होइत अछि-
00:18 डेस्कटॉप अथवा नि‍जी कम्‍प्यूटरलैपटॉप
00:23 आइ-काल्हि् टैबलेट PC अथवा टैब्स, सेहो बहुत लोकप्रिय अछि।
00:31 कम्प्यू्टरक काज
00:33 कम्प्यूपटर भने कोनो आकार'क हो, ओ पाँच प्रमुख काज लेल उपादेय होइत अछि।
00:40 ई 'इनपुट'क माध्यमे डेटा अथवा निर्देश ग्रहण करैत अछि।
00:45 ई उपयोक्ताक आवश्यकतानुसार डेटाक परि‍संचालन करैत अछि।
00:50 डेटा संग्रह करैत अछि।
00:52 आउटपुटक रूपमे परिणाम दैत अछि।
00:56 कम्प्यूटरक समस्तर आन्तटरि‍क क्रि‍यावि‍धि‍कें नियंत्रित करैत अछि।
01:01 कम्प्यूटरक मूलभूत मूलभूत संरचना अइ ब्लॉक डायग्राममे दर्शाओल गेल अछि।
01:08 इनपुट यूनिट
01:09 सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिट
01:11 आउटपुट यूनिट
01:14 इनपुट यूनिट, डेटाप्रोग्रामकें कम्‍प्यूटरमे व्यवस्थित ढंगें प्रविष्ट करबामे मदति‍ करैत अछि।
01:23 की-बोर्ड, माउस, कैमरा, आ स्कैनर आदि‍ इनपुट उपकरण थि‍क।
01:31 सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिट
01:33 अर्थमैटिकलॉजिकल ऑपरेशंस क्रियान्वित करैत अछि आ
01:38 डेटा एवं निर्देश संचि‍त करैत अछि।
01:41 सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिट अर्थात् CPU विशेषत: एहेन देखाइत अछि।
01:48 अइमे यूनिट के आगू आ पाछू बहुत रास पोर्ट्स होइत अछि।
01:53 थोड़े काल बाद हम ओइ मादे जानब।
01:57 डेटानिर्देश ग्रहण करैत अछि, ओकर प्रोसेसिंग करैत आउटपुट, अर्थात् परिणाम दैत अछि।
02:05 ऑपरेशंसकें क्रियान्वित करबाक प्रक्रि‍याकें प्रोसेसिंग कहल जाइत अछि।
02:11 फेर डेटानिर्देश संगें समस्तो आउटपुट स्टोरेज यूनिटमे संचित कएल जाइत अछि।
02:18 डेटासँ परिणाम प्राप्ति करबाक प्रक्रियाकें जे यूनिट समर्थन करैत अछि, तकरा आउटपुट यूनिट कहल जाइत अछि।
02:26 मॉनिटर, प्रिंटर आदि आउटपुट उपकरण थि‍क।
02:33 सामान्यतः कोनो डेस्कटॉप कम्प्यू्टरक चारि टा मुख्य भाग होइत अछि।
02:38 मॉनिटर
02:39 CPU
02:40 की-बोर्ड
02:41 माउस
02:43 कैमरा, प्रिंटर आ स्कैनर सेहो कम्प्यू्टरसँ जोड़ल जा सकैत अछि।
02:50 मॉनिटर थि‍क, एरा कम्प्यूपटर स्क्रीन सेहो कहल जाइत अछि।
02:55 TV स्क्रीन सन देखाइत अछि।
02:57 कम्प्यू्टरक visual डिस्प्ले यूनिट थि‍क।
03:02 कम्प्यू्टरक यूज़र इंटरफ़ेस प्रदर्शि‍त करैत अछि।
03:05 * की-बोर्ड आ माउसक प्रयोग करैत अहाँ अनेक प्रोग्राम खोलि‍कए कम्प्यूटर पर काज क' सकै अछि।
03:13 कम्प्यूटरमे अक्षर, शब्दर, पाठ अथवा अन्य कमांड्स भरबा लेल की-बोर्ड, डिज़ाइन कएल गेल अछि।
03:21 कम्प्यूटर माउस थि‍क।
03:24 अइमे खास तौर पर क्लिक होअ'बला दू टा बटन आ ओर बीचमे एकटा स्क्रोल बटन होइत अछि।
03:31

माउस'क बाम बटन क्लिब‍क क' कए बहुत रास काज होइत अछि।

03:35 माउस'क दहि‍न बटन क्लिल‍क क' कए शॉर्टकट्स आदि वि‍शि‍ष्ट़ प्रक्रियाएं संचालि‍त होइत अछि।
03:43 माउस व्हील, स्क्रोल बटन घुमाक' स्क्रोल ऊपर-नीचाँ कएल जाइत अछि।
03:49 की-बोर्डक बदला माउसक उपयोगसँ कम्प्यूतटर पर काज करब एक वैकल्पिक मार्ग थि‍क।
03:57 आब, CPUक वि‍भि‍न्ना भागके देखी।
04:02 CPUक आगूमे एकटा मुख्य बटन अछि, जे पॉवर ऑन (POWER ON) स्विच थि‍क।
04:08 कम्प्यूटर खोलबा लेल, अइ स्विचकें दाबल जाइत अछि।
04:14 एकटा रीसेट (reset) बटन सेहो होइत अछि, जे आवश्य कतानुसार कम्प्यूटर कें दोबारा चलेबामे सहायक होइत अछि।
04:21 आगू दि‍श अहाँ दूटा या कि बि‍सि‍यो, USB पोर्ट्स आ एकटा DVD/CD-ROM रीडर-राइटर सेहो देखब।
04:30 USB पोर्ट्सक उपयोग कम्प्यूयटरमे पेन-ड्राइव्स लगेबामे होइत अछि।
04:35 DVD/CD-ROM रीडर-राइटर कोनो CD या DVD कें रीड अथवा राइट करबा लेल उपयोग होइत अछि।
04:43 आब कम्प्यूटरक पाछू दि‍श देखै छी।
04:48 पछि‍ला पोर्ट्सक उपयोग कम्प्यूोटरक अन्य उपकरणकें CPUसँ जोड़बामे होइत अछि।
04:55 केबल्सक उपयोग द्वारा होइत अछि।
04:58 CPUक भीतर बहुत रास कल-पुर्जा होइत अछि।
05:02 जखन कम्प्यूटर चलैत अछि, तखन समस्त कल-पुर्जा कार्यरत रहैत अछि आ गर्म होइत अछि।
05:08 पाछूमे अवस्थिे‍त पंखा समस्ता कल-पुर्जाकें ठंडा करबा लेल हवाक प्रवाह दैत अछि।
05:14 अन्यथा, अधि‍क गर्म भेलासँ CPUकें नुकसान भ' सकैत अछि, प्रायः डेटाक क्षति सेहो भ' सकैत अछि।
05:21 केस कूलिंग फैन थि‍क।
05:23 CPUकें सामान्य तापमान पर रखैत अछि आ बेसी गर्म हेबानेसँ बचबैता अछि।
05:30 पॉवर सप्लाई यूनिट कें PSU सेहो कहल जाइत अछि, ई कम्प्यूबटरकें पॉवर दैत अछि।
05:37 आब, वि‍भि‍न्नप कल-पुर्जाकें CPUसँ जोड़ब सिखै छी।
05:42 समस्तॉ घटककें दर्शाओल पद्धति‍सँ टेबल पर राखू।
05:46 समस्तॉ केबल्सकें दर्शाओल पद्धति‍सँ टेबल पर राखू।
05:51 पहि‍ने, मॉनिटरकें CPUसँ जोड़ै छी।
05:55 पॉवर केबलकें दर्शाओल पद्धति‍सँ मॉनिटरसँ जोड़ू।
06:00 आब, दोसर सिराकें पॉवर सप्लाई सॉकेटसँ जोड़ू।
06:04 CPUपॉवर केबल थि‍क।
06:08 एकरा दर्शाओल पद्धति‍सँ CPUसँ जोड़ू।
06:11 फेर, एकरा पॉवर सप्लाई सॉकेटसँ जोड़ू।
06:14 आगू, दर्शाओल पद्धति‍सँ की-बोर्ड केबलकें CPUसँ जोड़ू।
06:19 की-बोर्डपोर्ट आम-तौर पर पर्पल रंगक होइत अछि।
06:23 अहाँ माउसकें हरि‍यर रंगक पोर्टसँ जोड़ि सकै छी।
06:28 वैकल्पिक रूपसँ, अहाँ USB की-बोर्डमाउस कें कोनो USB पोर्टसँ जोड़ि सकै छी।
06:35 शेष USB पोर्ट्स पेन ड्राइव्स, हार्ड ड्राइव्स आदिकें जोड़बा लेल उपयोग कएल जा सकैत अछि।
06:42 LAN केबल थि‍क।
06:44 आ ई LAN पोर्ट थि‍क।
06:46 ई 'वायर्ड कनेक्शन' थि‍क जे 'कम्प्यू्टर'कें 'नेटवर्क'सँ जोड़बाक अनुमति दैत अछि।
06:52 LAN केबलक दोसर सिरा modem या wi-fi राऊटरसँ जोड़ै छी।
06:58 wi-fi कनेक्शंस कें कॉन्फ़िगर करबाक अवगति अहाँ दोसर ट्यूटोरियलमे सीखब।
07:03 जखन LAN पोर्ट सक्रि‍य रहैत अछि आ संकेत प्राप्त करैत रहैत अछि तखन LED लाइट टिमटिमाइत रहैत अछि।
07:10 अहाँ देखि सकै छी जे CPU पर अन्य सीरियल पोर्ट्स अछि।
07:15 PDAs, modem या अन्य सीरियल उपकरणकें जोड़बा लेल उपयोग अबैत अछि।
07:21 अहाँ देखब जे CPU पर कुछ पैरेलल पोर्ट्स सेहो रहैत अछि।
07:25 प्रिंटर, स्कैनर आदि उपकरणकें जोड़बा लेल उपयोग अबैत अछि।
07:31 आब, ऑडियो जैक्स देखै छी।
07:34 गुलाबी पोर्ट माइक्रोफोन जोड़बामे उपयोग होइत अछि।
07:38 नीला पोर्टक उपयोग लाइन इनकें जोड़बा लेल रेडियो अथवा टेप प्लेयर लेल होइत अछि।
07:45 हरि‍यर पोर्टक उपयोग हेडफ़ोन/स्पीकर अथवा लाइन आउटकें जोड़बा लेल होइत अछि।
07:51 आब समस्तर उपकरणकें जोड़लाक बाद, कम्प्यूटर चलबै छी।
07:57 सबसँ पहि‍ने, मॉनिटरCPUपावर सप्लाई बटन ऑन करू।
08:03 आब, मॉनिटर पर पावर ऑन बटन दबाउ।
08:07 आ फेर CPUक आगू वला, पावर ऑन स्विच दबाउ।
08:12 अहाँक कम्प्यूटर जखन पहि‍ल बेर ऑन हएत, सामान्यतः कारी स्क्रीन पर कि‍छु शब्द-रेखा देखाएत।
08:18 BIOS सिस्टम थि‍क, अइ पर
08:22 कम्प्यूटरक सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिटक जानकारी
08:25 कम्प्यूटरक मेमोरी कतेक अछि, तकर जानकारी
08:28 तथा हार्ड डिस्क ड्राइव्स एवं फ्लॉपी डिस्क ड्राइव्सक जानकारी प्रदर्शि‍त होइत अछि
08:33 BIOS एहन सॉफ्टवेयर थि‍क जे CPU कें कम्प्यू्टर ऑन हेबाक सबसँ पहि‍ल निर्देश दैत अछि।
08:41 ऑपरेटिंग सिस्टम लोड हेबाक सम्पूॉर्ण प्रक्रियाकें कम्प्यूटरबूटिंग कहल जाइत अछि।
08:48 समस्तप अनि‍वार्य जाँचें पूर्ण भेलाक बाद अहाँकें ऑपरेटिंग सिस्टमक इंटरफ़ेस देखाएत।
08:54 जँ अहाँ उबन्टु लिनक्स प्रयोक्ता छी, त' अहाँ एहन स्क्रीन देखब।
08:58 आ जँ अहाँ विंडोज प्रयोक्ता छी, त' अहाँ एहन स्क्रीन देखब।
09:02 आब, संक्षेपमे हमरा लोकनि लैपटॉप देखी।
09:06 लैपटॉप पोर्टेबल आ कॉम्पैक्ट कम्प्यूटर्स होइत अछि।
09:09 लैपटॉप एतेक हल्लुक आ छोट होइत अछि जे कोर'मे राखि ओहि पर सहजतासँ काज क' सकै छी।
09:16 अही कारण एकरा लैपटॉप कहल जाइत अछि।
09:18 डेस्कटॉप कम्प्यूँटर जकाँ अहूमे समान घटक होइत अछि--
09:23 जेना कि डिस्प्ले स्क्रीन
09:24 की-बोर्ड
09:25 टच पैड, जे निर्देशित आ संचार करबाक उपकरण थि‍क,
09:36 अइमे LAN पोर्ट्सUSB पोर्ट्स सेहो अछि।
09:40 एतए एकटा वीडियो पोर्ट अछि, जकर उपयोगसँ लैपटॉपप्रोजेक्टरकें जोड़ल जाइत अछि।
09:46 माइक आ हेडफोन लेल सुनि‍श्चि ‍त आइकन द्वारा ऑडियो जैक्स आसानीसँ चीन्हहल जा सकैत अछि।
09:53 लैपटॉपमे अंतनिर्हित कूलिंग फैन थि‍क।
09:57 लैपटॉप कें बेसी गरम हेबासँ बचबैत अछि।
10:01 लैपटॉप AC अडैप्टर द्वारा बिजलीसँ संचालित होइत अछि, अइमे चार्ज होब वला एकटा बैटरी होइत अछि।
10:09 तें, ई पोर्टेबल अछि आ नि‍रन्तहर विद्युत स्रोतक बिना सेहो उपयोग कएल जा सकैत अछि।
10:16 संक्षेपमे हमरा लोकनि अइ ट्यूटोरियलमे सि‍खलहुँ--
10:20 डेस्कटॉपलैपटॉपक वि‍भि‍न्नन कल-पुर्जा'क जानकारी
10:23 डेस्कटॉपक वि‍भि‍न्नल घटककें जोड़बाक अवगति
10:28 प्रदर्शि‍‍त लिंक पर उपलब्ध वीडियो देखी।
10:31 अइमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रॉजेक्टक सार-संक्षेप प्रदर्शि‍त अछि।
10:34 व्यवस्थि‍त बैंडविड्थ नइँ भेटला पर अहाँ एकरा डाउनलोड क' कए देखि सकै छी।
10:37 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग कार्यशाला आयोजि‍त करैत अछि।
10:42 ऑनलाइन टेस्ट पास पास केनि‍हार प्रति‍भागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि‍।
10:46 अधिक जानकारी लेल कृपया contact@spoken-tutorial.org पर सम्पर्क करी।
10:52 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट, टॉक टू अ टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थि‍क।
10:56 ई भारत सरकारक एम एच आर डीआई सी टीक माध्यमे राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि।
11:01 अइ मिशन पर अधिक जानकारी http://spoken-tutorial.org/NMEICT-Intro पर उपलब्ध अछि।
11:11 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीनउज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok