Introduction-to-Computers/C2/Compose-Options-for-Email/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 17:57, 1 September 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:01 Compose Options for Emails पर स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।
00:07 अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍ सीखब, जे--
00:10 * ईमेल प्राप्तकर्ता To, Cc, आ Bcc की थि‍क
00:16 * ईमेल टेक्स्ट के फॉर्मेट केहेन हो
00:19 * ईमेलमे फाइल कोना संलग्न करी
00:22 *Google Drive (गूगल ड्राइव) द्वारा फाइल शेयर कोना करी
00:25 * ईमेलमे फोटो अथवा लिंक कोना जोड़ी
00:29 आ *Compose विंडो विकल्पके कोना संचालि‍त करी
00:33 अइ ट्यूटोरियल लेल, अहाँकें इंटरनेट कनैक्शन
00:38 आ कोनो एकटा वेब ब्राउज़रक प्रयोजन हएत।
00:40 अइ प्रस्तुति‍मे हम Firefox वेब ब्राउज़रक उपयोग क' रहल छी।
00:45 आब शुरुह करै छी।
00:46 अपन वेब ब्राउज़र खोलू आ टाइप करू : http://gmail.com
00:55 Login 'पेज' खुजैत अछि‍।
00:58 सम्बन्धि त टेक्स्ट बॉक्समे usernamepassword भरू।
01:04 जँ लॉगिन पेज यूज़रनेमक संग खुजैत अछि त' एकर अर्थ भेल जे अहाँ पहि‍नहुँ अपनी मशीनसँ ई अकाउण्टो एक्सेस केने छी।
01:12 पासवर्ड भरू।
01:15 Sign in बटन पर क्लिक करू।
01:18 हमरा लोकनि‍ अपन Gmail पेज पर छी।
01:21 आब, ईमेल लिखबा लेल उपलब्ध विकल्पकें देखी।
01:26 पहि‍ने Compose बटन पर क्लिक करै छी।
01:31 Compose विंडो खुजैत अछि।
01:34 'To' सेग्मेण्‍ट, जतए हमसब प्राप्तकर्ताक विवरण दै छी।
01:38 एतए तीन टा विकल्प होइत अछि--'To, Cc आ Bcc'
01:44 'Cc' क अर्थ भेल जि‍नका प्रति‍लि‍पि‍ पठेबाक अछि‍ आ 'Bcc' क अर्थ भेल जि‍नका ब्लाीइण्ड प्रति‍लि‍पि‍ पठेबाक अछि।
01:51 To क्षेत्रमे ओइ व्यक्तिक ईमेल एड्रेस लिखबाक अछि जिनका हम ईमेल पठा रहल छी।
01:58 एतए एकटा screenshot अछि।
02:01 जँ हमरा ओएह ईमेल एकसँ अधिक लोककें पठेबाक अछि त' 'To' क्षेत्रमे ओ सबटा 'email-id' जोड़ैत जाइ।
02:09 एतए एकटा 'screenshot' अछि।
02:12 ओही ईमेलक प्रति‍लि‍पि‍ आनहुँकें पठेबा लेल 'Cc' विकल्पक प्रयोग करू।
02:18 'To' आ 'Cc' के समस्तe प्राप्तकर्ता अन्य सब प्राप्तकर्ताक सूची देखि‍ सकै छथि‍।
02:25 एतए एकटा 'स्क्रीनशॉट' अछि।
02:28 ओही ईमेलक प्रति‍लि‍पि‍ ब्लाइण्‍ड अर्थात् गुप्त रूपें कि‍नकहु पठेबाक हो त' 'Bcc' विकल्पक प्रयोग क' सकै छी।
02:34 अइ विकल्पमे, 'To' आ 'Cc' वाला प्राप्तकर्ता 'Bcc'मे जोड़ल प्राप्तकर्ताकें नइँ देखि‍ सकै छथि‍।
02:42 'Bcc' वाला प्राप्तकर्ता 'To' आ 'Cc' क प्राप्तकर्ताकें देखि‍ सकै छथि‍।
02:47 मुदा 'Bcc' क अन्य प्राप्तकर्ताकें कि‍ओ नइँ देखि‍ सकै छथि‍।
02:51 ईमेल'क प्रेषक, प्राप्तकर्ताक सम्पूार्ण सूची देखि‍ सकै छथि‍।
02:55 एतए एकटा 'स्क्रीनशॉट' अछि।
02:58 आवश्यलक टि‍प्पपणी :
03:00 प्राप्तकर्ताक क्षेत्र 'To, Cc' आ 'Bcc'मे हम कतबो संख्याखमे 'email-id' जोड़ि‍ सकै छी।
03:08 मुदा प्रतिदिन अधिकतम प्राप्तकर्ताक सीमा 500 अछि।
03:13 प्रत्येक मेल-आई डी स्पेस अथवा कॉमा अथवा कोलन लगा क' अलग कएल जा सकैत अछि।
03:20 आब अपन 'Gmail' कम्‍पोज़ विण्‍डो में वापस चली।
03:25 डिफ़ॉल्ट रूपें, 'कर्सर' एखन 'To' क्षेत्रमे अछि।
03:29 आब प्राप्तकर्ताक पता भरबाक पद्धति‍ देखू--
03:33 'To' क्षेत्रमे, ईमेल-आई डी ray.becky.0808@gmail.com भरू।
03:46 'Cc' क्षेत्रमे, 0808iambecky@gmail.com भरू।
03:55 'Bcc' क्षेत्रमे, stlibreoffice@gmail.com आ info@spoken-tutorial.org भरू।
04:10 Subject लाइन पर क्लिक करू आ अपन ईमेलक संक्षि‍प्त विवरण भरू।
04:15 हम टाइप करै छी: Partner with us
04:19 कण्‍टेण्‍ट क्षेत्रमे, आब मैसेज टाइप करै छी :
04:24 Spoken Tutorial Project is helping to bridge the digital divide.
04:29 ईमेलक संरचनामे Gmail टेक्स्ट पर बुनियादी फॉर्मेटिंग करबाक सुविधा दैत अछि।
04:35 डिफ़ॉल्ट रूपें, ई Compose विण्‍डोमे नि‍चला भागमे देखाइत अछि।
04:41 से नइँ हो त' फॉर्मेटिंग 'टूलबार'कें एक्सेस करू, Formatting options बटन पर क्लिक करू।
04:47 एतए, वि‍भिन्न fonts, sizes, bold, italic, underline, text, color, align, numbered', 'bulleted lists', 'indentation' आदि‍क विकल्प अछि‍।
05:03 ई विकल्प वस्तुत: वर्ड प्रोसेसर एप्लीकेशने जकाँ अछि‍।
05:08 अइमे अहाँ स्वtयं विकल्पक ताकि‍ सकै छी।
05:12 हम अइ तरहें अपन टेक्स्टकें फॉर्मेट केलहुँ।
05:16 फॉर्मेटिंग टूलबारकें नुकेबा लेल, Formatting options बटन पर क्लिक करू।
05:22 'फाइल्स, फोटोज़, लिंक्स आ emoticons कें संलग्न करबाक विकल्प Compose विंडोमे अछि‍।
05:32 दोसरा संग फाइल्सडॉक्यूमेंट्स शेयर करबा लेल,
05:35 हम Attach files या Insert files using Drive विकल्पक प्रयोग क' सकै छी।
05:41 'attachment' जकाँ फाइल पठेबाक सुविधा सब 'Mail'मे होइत अछि।
05:46 25 मेगाबाइट्स आकार धरि‍क फाइल अहाँ संलग्न क' सकै छी।
05:51 अइसँ पैघ आकार'क फाइल पठेबा लेल, अहाँ Insert files using Drive विकल्पक प्रयोग क' सकै छी।
05:59 आब पहि‍ने एकटा 'pdf फाइल' संलग्न करै छी, जे 1 Mb साइज़सँ छोट अछि।
06:04 पेपर क्लिप देखाइत 'Attach file' आइकन पर क्लिक करू।
06:09 ई 'फाइल ब्राउज़र' खोलत।
06:12 फाइलकें ब्राउज़ करू आ ताकू जे अहाँ कोन फाइल मेल कर' चाहै छी।
06:16 हम डेस्कटॉपसँ myscript.pdf तय करैत Open पर क्लिक करब।
06:23 हम देख सकै छी जे हमर फाइल मेलमे संलग्न भ' रहल अछि।
06:27 'Attach files' विकल्पक प्रयोगसँ ओही मेलमे आओरो फाइल संलग्न कएल जा सकैत अछि‍।
06:34 मैसेज संगें जोड़ल फाइलकें हटेबा लेल, फाइल-नाम'क दहि‍ना कात'क 'x' मार्क पर क्लिक करू।
06:41 आब, एकटा एहन फाइल संलग्न करै छी जे लगभग 30Mbक अछि।
06:46 हमर डेस्कटॉप पर लगभग 30Mbक एकटा zip file अछि।
06:52 एक बेर फेर Attach files आइकन पर क्लिक करू।
06:56 30Mbक ज़िप फाइल कें ब्राउज़ करू आ फाइल तय क' कए Open पर क्लिक करू।
07:02 सोझाँमे पॉपअप मैसेज आओत :
07:04 The file you are trying to send exceeds the 25mb attachment limit
07:09 अही संगें ओ विकल्प दैत अछि‍ Send using Google drive.
07:14 Send using google drive बटन पर क्लिक करू।
07:18 आब एक क्षण लेल अइ डॉक्यूमेंटकें बन्‍द करै छी।
07:21 Insert files using Drive विकल्प पर क्लिक करब त' पहि‍ने वाला विंडो सोझाँ आओत।
07:28 एतए हम तीन टैब्स देखि‍ सकै छी :
07:31 My Drive, Shared with meUpload
07:36 डिफ़ॉल्ट रूपें, जे फाइल्सि पहि‍नहि‍सँ अपलोड अछि‍ My Drive टैबमे उपलब्ध हैत।
07:43 एतए अहाँ फाइल देखि‍ सकै छी।
07:46 एकाउण्टू बनेबा काल ई सब गूगल टीम द्वारा शेयर कएल गेल छल।
07:51 Shared with me टैब पर क्लिक करू।
07:55 एतए मैसेज देखि‍ सकै छी--No one's shared any files with you yet!
08:00 जँ कि‍ओ अहाँ संग फाइल शेयर करए चाहैत अछि त' से Shared with Me tabमे उपलब्ध हैत।
08:06 आब, नव फाइलकें अपलोड कर' लेल 'Upload टैब पर क्लिक करू।
08:12 Select files from your computer बटन पर क्लिक करू।
08:16 अपन मशीनसँ ओइ फाइलकें ब्राउज़ करू आ जे अपलोड करए चाहै छी तकरा लेल Open पर क्लिक करू।
08:23 जँ अहाँ आओरो फाइल्स जोड़ए चाहै छी त' Add more files बटन पर क्लिक करू ।
08:27 एखन हम एकरा छोड़ैत केवल एक्‍के टा फाइल अपलोड करब।
08:33 फाइल जोड़लाक बाद, हमरा उल्लेख करबाक अछि जे एकरा अपन मेलमे कोना प्रविष्ट करब।
08:40 ध्यातव्य थि‍क जे नीचाँ दहि‍ना कात दू टा बटन अछि‍--
08:44 Insert as Drive link
08:46 Attachment
08:48 डिफ़ॉल्ट रूपें, Insert as Drive link तय अछि।
08:52 Attachment तय करब त' फाइल अटैचमेंट जकाँ प्रविष्ट कएल जाएत।
08:57 एकरा हम अहि‍ना छोड़ि‍ देंब।
09:00 स्क्रीनक निचाँ बामा कात कोनमे Upload बटन पर क्लिक करू।
09:05 अपलोडिंग शुरुह भ' जाएत, मुदा अहाँक इंटरनेटक स्पीडक आधार पर ई कि‍छु समय ल' सकै छी।
09:11 एकर बाद, हम कंटेंट क्षेत्रमे, अपलोड कएल फाइलक लिंक देख सकै छी।
09:17 आब ईमेलमे इमेज प्रविष्ट करबा लेल Insert Photo विकल्प पर क्लिक करू।
09:24 Upload Photos विंडो खुजत।
09:27 अपन कंप्यूटर या इमेजवेबसाइट एड्रेससँ हमरा लोकनि‍ फोटो अपलोड क' सकै छी।
09:34 एखन हम कोनो इमेज अपलोड नइँ करए चाहै छी।
09:38 तें हम Cancel बटन पर क्लिक करब।
09:41 अइ विकल्पक खोज अहाँ स्ववयं क' सकै छी।
09:44 अगि‍ला विकल्प Insert Link अछि। आब अइ पर क्लिक करू।
09:49 Edit Link डायलॉग बॉक्स खुजि‍ कए सोझाँ आओत।
09:53 Text to display क्षेत्रमे, ओ टेक्स्ट टाइप करू, जकरा अहाँ लिंक बनब' चाहै छी।
09:58 हम टाइप करब Spoken Tutorial
10:02 Link to सेक्शनमे, डिफ़ॉल्ट रूपें Web address विकल्प नि‍र्धारि‍त अछि।
10:08 टेक्स्ट क्षेत्रमे, url टाइप करू http://spoken-tutorial.org
10:20 OK बटन पर क्लिक करू।
10:23 आब, कंटेंट क्षेत्रमे, अहाँ Spoken Tutorial टेक्स्ट देखि‍ सकै छी। इएह भेल 'हाइपरलिंक'।
10:29 आब हम हाइपरलिंक कएल टेक्स्ट पर क्लिक करै छी।
10:32 टेक्स्ट के नीचाँ छोट-सन pop window खुजैत अछि।
10:35 Go to linkक अनुमति‍ देत।
10:38 प्रदर्शित URL पर क्लिक करू, जो अहाँकें स्पोकन ट्यूटोरियल वेबसाइट'क 'होमपेज' पर ल' जाएत।
10:45 URL बदलबा लेल Change आ 'लिंक' हटेबा लेल Remove विकल्प पर क्लिक क' सकै छी।
10:53 हम अइ emoticon आइकनक मदति‍सँ अनेक सचित्र फाइल सेहो जोड़ि‍ सकै छी।
10:59 अपन ईमेल वार्तालापमे आवश्यएकतानुसार अइ विशेषताक प्रयोग कखनहुँ क' सकै छी।
11:04 ध्यातव्यई थि‍क जे Saved टेक्स्ट, Trash आइकनसँ तुरन्तर पहि‍ने अछि।
11:08 जखन कखनहुँ हम कंटेंट जोड़ै छी अथवा मेटबै छी, त' ईमेल डिफ़ॉल्टक Drafts folderमे ओ स्वतः सेव भ' जाएत।
11:16 ई व्यवस्थाा बिजली कटला पर अथवा इंटरनेट कनैक्शन टूटला पर टाइप कएल मैसेजकें पुनः प्राप्त करबा लेल बहुत सहायक अछि।
11:24 मैसेज हटेबाक हो त Trash' आइकन पर क्लिक करू।
11:28 ई क्रिया Drafts folder सँ ईमेलकें हटा देत।
11:34 Trash आइकन के बाद अवस्थित More options बटन पर क्लिक करू।
11:39 Default to full-screen विकल्प Compose विंडोकें नमहर करत।
11:44 Label - अइ विशेषताक मादे हम भावी ट्यूटोरियल्समे सीखब।
11:49 समस्त फॉर्मेटिंग जे हमरा लोकनि‍ पहि‍ने केने छी, से Plain text mode विकल्प देत आ मेलकें प्लेन टेक्स्टमे बदलि‍ देत।
11:57 Print विकल्प टाईप कएल मेलकें डिफ़ॉल्ट रूपें प्रिंटरमे पठाओत।
12:03 Check Spelling टाइप कएल कंटेंटक स्पेलिंग चेक करत।
12:07 आब हमरा लोकनि‍ अपन मेल पठेबा लेल तैयार छी।
12:09 Send बटन पर क्लिक करू।
12:12 स्क्रीन पर निम्नलि‍खि‍त मैसेज आओत--
12:15 This Drive file isn't shared with all recipients.
12:19 ई अइ लेल जे हमरा लोकनि‍ ओ फाइल हुनकालोकनि‍कें शेयर नइँ केने छी जे अइ ईमेलमे मार्क कएल छथि‍।
12:25 Share & Send बटन पर क्लिक करू।
12:29 स्क्रीन पर दू मे सँ कोनो एक टा मैसेज देखाओत--
12:32 Your message is sending
12:34 अथवा Your message has been sent.
12:38 पठाओल मेलकें देखबालेल, View Message लिंक पर क्लिक करू।
12:43 एतए आहि‍ ईमेलक कंटेंट देखल जा सकैत अछि‍ जे हम पठौने छी।
12:47 आब हम एक एक क' दोबारा जाँच करै छी।
12:50 एतए attachments अछि‍
12:52 आ एतए URL लिंक अछि।
12:55 मेल एड्रेसक नीचॉं एकटा उनटा त्रिकोण अछि जो हेडर विवरण देखबैत अछि।
13:00 हम अइ पर क्लिक करै छी।
13:03 हम To, CcBcc क्षेत्रोंमे समस्तप प्राप्त कर्ताक ईमेल-id देखि‍ सकै छी।
13:11 देखल जाए जे प्राप्तकर्ता लोकनि‍कें गेल ईमेल केहन देखेतनि‍।
13:16 Cc मार्क कएल प्राप्तकर्ताक मेल-id थि‍क।
13:21 अहाँ ओहो मैसेज देखि‍ सकै छी जे एखन पठाैने छी। हम एकरा पढ़बा लेल खोलै छी।
13:27 Show Details पर क्लिक करू।
13:29 ToCc क प्राप्तकर्ताक सूची देखाओत, मुदा Bcc क नइँ देखओत।
13:35 Bccमे मार्क कएल कोनो एक प्राप्तकर्ताक मेल-आईडी थि‍क।
13:41 अहाँ ओ मैसेज देखि‍ सकै जे एखन पठौने छी।।
13:43 पढ़बा लेलअइ मेलकें खोलै छी।
13:46 Show Details पर क्लिक करू।
13:49 अहाँ 'To, Cc आ Bcc' के प्राप्त कर्ताक विवरण देखि‍ सकै छी।
13:55 आब हम पठब'वलाक जीमेल अकाउण्टर पर वापस अबै छी।
13:59 एतए देखू, हम Bccमे दू गोट प्राप्तकर्ताक उल्लेख कएने छी।
14:04 मुदा एतए हम एक्‍के टा email id देखि‍ सकै छी। दोसर नइँ देखाएत।
14:10 Bcc फ़ीचर अइ प्रकारें कार्य करैत अछि।
14:13 आशा करै छी जे अहाँ स्पष्ट रूपें अंतर देखबामे सक्षम हएब।
14:17 एवम् प्रकारें हम ट्यूटोरियलक अंतमे आबि‍ गेल छी।
14:20 आब एकर सार-संक्षेप करै छी।
14:22 अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍ सि‍खलहुँ---
14:25 * ईमेल प्राप्त कर्ता अर्थात्- To, Cc, Bcc क मादे,
14:30 * ईमेल्स टेक्स्टक फॉर्मेटिंग करब
14:33 * इमेलमे फाइल्स संलग्न करब
14:36 * 'Google Drive' सँ फाइल्स शेयर करब
14:39 * ईमेलमे फोटो अथवा 'लिंक' जोड़ब आ
14:43 * Compose विंडोक विकल्प खोलब
14:47 अइ लिंक पर उपलब्ध वीडिओमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सार-संक्षेप अछि।
14:52 कृपया एकरा डाउनलोड करी आ देखी।
14:55 हमरा लोकनि‍ कार्यशालादि‍ संचालित करै छी आ 'ऑनलाइन' टेस्ट पास कर'बलाकें प्रमाणपत्र दै छी।
15:01 अधिक जानकारी लेल हमरासँ संपर्क करू।
15:04 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक एम एच आर डीNMEICT' द्वारा समर्थित अछि।
15:11 अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि।
15:21 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीनउज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

'

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok