LibreOffice-Suite-Writer/C2/Viewing-and-printing-a-text-document/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Time Narration
0:01 लिबर ऑफिस राइटरमे डॉक्युमेन्ट्स प्रिंट करबा लेल तथा देखबा लेल अइ स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि
00:06 अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍
00:10 डॉक्युमेन्ट्स देखब, आ
00:12 डॉक्युमेन्ट्स प्रिंट करब सीखब ।
00:13 एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे उबंटु लिनक्स 10.04लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी
00:24 तें लिबर ऑफिस राइटरमे विविध view विकल्‍पक मादे सीखि‍ क' अपन ट्यूटोरियलक शुरुआत करै छी।
00:31 एतए राइटरमे मूलतः दू टा व्यापक view विकल्‍प'क उपयोग होइत अछि‍।
00:36 से थि‍क Print LayoutWeb Layout.
00:39 Print Layout विकल्‍पमे देखाएत, जे डॉक्युमेंट प्रिंट भेला पर केहन हएत ।
00:45 Web Layout विकल्‍पमे देखाएत, जे डॉक्युमेंट वेब ब्राउज़रमे केहन हएत ।
00:50 HTML डॉक्युमेन्ट्स बनेबा लेल आ डॉक्युमेंटकें एडिट करबा काल फुल स्क्रीन मोडमे देखबा लेल ई उपयोगी अछि‍।
01:00 Print Layout विकल्‍प लेल View विकल्‍प पर क्लिक करू आ फेर Print Layout विकल्‍प पर क्लिक करू ।
01:08 Web Layout विकल्‍प लेल मेन्यूबारमे View विकल्‍प पर क्लिक करू आ फेर Web Layout विकल्‍प पर क्लिक करू ।
01:19 अइ विकल्‍प सभ'क अलावा अहाँ डॉक्युमेंटकें फुल स्क्रीन मोडमे सेहो देखि‍ सकै छी ।
01:26 मेन्यूबारमे View विकल्‍प क्लिक करू आ फेर Full Screen विकल्‍प पर क्लिक करू ।
01:32 डोक्युमेन्ट्सकें एडिट करबा लेल तथा प्रोजेक्टर पर देखेबा लेल फुल स्क्रीन मोड उपयोगी अछि‍ ।
01:39 फुल स्क्रीन सँ बाहर अएबा लेल कीबोर्ड पर Escape बटनकें दबाउ ।
01:44 हम देखै छी जे डॉक्युमेंट फुल स्क्रीन मोडसँ बाहर आबि‍ गेल अछि‍।
01:49 आब View मेन्यूमे Print Layout विकल्‍प पर क्लिक करू ।
01:53 आगू बढ़ैसँ पहिने, अपन डॉक्युमेंटमे एक पेज जोड़ै ले Insert >> Manual Break आ Page break विकल्‍प क्लिक करू।
02:04 फेर OK पर क्लिक करू ।
02:06 अइ मादे विस्तृत रूपसँ हम अगिला ट्यूटोरियलमे सीखब ।
02:11 डॉक्युमेंटकें देखबा लेल Zoom एक टा अन्य विकल्‍प थि‍क।
02:17 मेन्यूबारमे View विकल्‍प पर क्लिक करू आ फेर Zoom पर क्लिक करू ।
02:22 एतए ZoomView Layout डायलॉग बॉक्स देखाइ पड़ैत अछि।
02:27 अइमे हेडिंग अछि Zoom factorand View layout
02:34 Zoom factor वर्तमान डॉक्युमेंट आ ओही प्रकारक समस्‍त डॉक्युमेंट्सकें प्रदर्शित करै लेल जूम फैक्टर सेट करैत अछि, जकरा अहाँ ओकर बाद खोलै छी।
02:43 अइमें कैक टा उपयोगी विकल्‍प अछि‍, जकर चर्चा एक-एक क' कए करब ।
02:48 Optimal विकल्‍प पर क्लिक केला पर अहाँकें डॉक्युमेंटक दृश्य अधिक अनुकूल भेटत
02:55 Fit width and height व्यू (view) संपूर्ण डॉक्युमेंट के पेजक लम्बाइ आ चौड़ाइ फिट करैत अछि। मुदा एतए एक समयमे एके टा पृष्ठ प्रदर्शित करत
03:05 ई डॉक्युमेंटक विभिन्न पृष्‍ठकें देखबा लेल आ एडिट करबा लेल सरलता प्रदान करैत अछि
03:11 अगिला विकल्‍प अछि Fit to Width. ई पेजक चौड़ाइ फिट करैत अछि
03:17 100% व्यू पेजकें अपन वास्तविक साइज़मे प्रदर्शित करत ।
03:23 आगू हमरा सोझां Variable नामक अधिक महत्वपूर्ण viewing विकल्‍प अछि
03:28 variable फील्डमे अहाँ जूम फैक्टर एंटर क' सकै छी, जै मे अहाँ डॉक्युमेंट प्रदर्शित करै चाहै छी।
03:35 उदाहरणस्वरूप, हम वेरिएबल फील्डमे 75% वेल्यू एंटर करै छी आ फेर OK बटन पर क्लिक करै छी।
03:43 अहि‍ना डॉक्युमेंट्सकें एडिट कर' लेल आ देख' लेल अहाँ अपनी प्रयोजन आ सुविधानुसार जूम फैक्टरकें बदलि‍ सकै छी।
03:51 डायलॉग बॉक्समे अन्य फीचर View layout अछि
03:56 View layout विकल्‍प टेक्स्ट डॉक्युमेंट्स लेल अछि
03:59 एकर उपयोग डॉक्युमेंटमे विभिन्न व्यू लेआउट सेटिंग'क प्रभाव देखै लेल, जूम फैक्टरकें कम करै लेल कएल जाइत अछि
04:07 अइमे क्रमानुसार एक के नीचाँ एक आ आस पासमे पेज प्रदर्शित करै लेल Automatic Single page सनक विकल्‍प अछि‍।
04:18 उदाहरणस्वरूप जँ हम Zoom factor मे Fit width and height विकल्‍प चुनी, आ फेर View layout विकल्‍प मे Single page विकल्‍प पर क्लिक करी, आ अंतमे OK बटन पर क्लिक करी, त' देखब जे एक के नीचाँ एक पेज प्रदर्शित अछि‍।
04:36 आब Automatic विकल्‍प पर क्लिक करू आ फेर OK बटन पर क्लिक करू।
04:42 अहाँ देखब जे कि पेज अगल-बगल प्रदर्शित अछि‍।
04:48 राइटर स्टेटस बार पर तीन टा नि‍यन्‍त्रण अहाँकें डॉक्युमेंट'क व्यू लेआउट आ जूमकें बदलबाक अनुमति दैत अछि‍।
04:56 व्यू लेआउट आइकनमे बामसँ दहि‍न, सिंगल कॉलम मोड, व्यू मोड अगल-बगल पेज, आ बुक मोड कोना खुजल किताब जकाँ दू टा पेज एक संगें देखाएत।
05:11 पेजकें जूम करै लेल हम जूम स्लाइडरकें राइटमे अथवा अधिक पेज देखेबा लेल लेफ्टमे ड्रैग सेहो क' सकै छी।
05:20 लिबर ऑफिस राइटरमे printing के मादे सीखैसँ पहिने, चलू Page preview क मादे किछु सीखै छी।
05:28 File पर क्लिक करू, फेर Page Previewकें क्‍लि‍क करू।
05:32 जखन अहाँ पेज प्रिव्यू मोडमे वर्तमान डॉक्युमेंट देखै छी, त' Page Preview बार देखाइत अछि।
05:38 एतए मूलतः देखाएत जे अहाँक डॉक्युमेंट प्रि‍ण्‍ट भेला पर केहन हएत।
05:44 अहाँ अपन resume.odt फाइलक प्रिव्यू देखि‍ सकै छी।
05:50 एतए प्रिव्यू पेज के टूल बारमे विविध कन्ट्रोल विकल्‍प अछि‍।
05:55 एतए Zoom In, Zoom Out, Next page, Previous pagePrint लेल विकल्‍प अछि‍।
06:03 लिबर ऑफिस राइटर'क संगहि‍ पेज प्रिव्यूमे डॉक्युमेंट कोना देखी, से सीखलाक बाद आब हम लिबर ऑफिस राइटरमे Printerक कार्य-प्रणाली'क मादे सीखब।
06:15 साधारण शब्दमे कही, त' डॉक्युमेंट प्रिंट कर' लेल प्रिंटर, एक टा आउटपुट डिवाइस थि‍क
06:21 आब हम देखब जे कि प्रिंट के विविध विकल्‍प धरि‍ कोना पहुँची।
06:26 Tools पर क्लिक करू , फेर Options पर क्लिक करू।
06:32 LibreOffice Writer के बगलमे ऐरो पर क्लिक करू आ अंतमे Print पर क्लिक करू।
06:38 एक टा डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि, जे अहाँकें फॉर्म चयन'क विकल्‍प दैत अछि‍
06:43 तें डिफॉल्ट सेटिंग राखू आ फेर OK बटन पर क्लिक करू।
06:49 आब संपूर्ण डॉक्युमेंटकें सीधे प्रिंट करै लेल टूलबारमे Print File Directly आइकन पर क्लिक करू।
06:56 एकरा क्विक प्रिंटिंग कहल जाइत अछि‍।
07:00 अहाँ डिफॉल्ट सेटिंग्स बदलि‍ कए Print विकल्‍प धरि‍ पहुँचि‍ क' कोनो डॉक्युमेंटकें प्रिंट करबा लेल अधिक नियत्रंण राखि‍ सकै छी।
07:07 मेन्यू बारमे File मेन्यू पर क्लिक करू, फेर Printपर क्लिक करू।
07:13 स्क्रीन पर Print डायलॉग बॉक्स देखाइ दैत अछि
07:17 एतए हम साधारण टैबमे Generic Printer विकल्‍प चुनै छी।
07:22 All pages विकल्‍प डॉक्युमेंटक समस्‍त पेज प्रिंट करै लेल अछि
07:28 जँ अहाँ क्रममे पेज प्रिंट करए चाहै छी, त' अहाँ Pages विकल्‍पकें चुनि‍ सकै छी आ फील्डमे पेज के क्रम एंटर क' सकै छी। उदाहरणस्वरूप हम एतए 1-3 टाइप करी। ई डॉक्युमेंटक पहिल तीन पेज कें प्रिंट करत।
07:44 जँ अहाँ डॉक्युमेंटक अनेक कॉपी प्रिंट करए चाहै छी, त' Number of copies फील्डमे वेल्यू एंटर करू। चलू फील्डमे 2 एंटर करै छी।
07:54 आब डायलॉग बॉक्समे Options टैब पर क्लिक करू।
08:00 स्क्रीन पर विकल्‍पक सूची देखाइ देत, जतएसँ अहाँ डॉक्युमेंट प्रिंट क' सकै छी।
08:07 Print in reverse page order नामक एक टा चेक बॉक्स अछि‍।
08:12 ई विकल्‍प एकरा अधिक आउटपुट एकत्र करै लेल आसान बनबैत अछि
08:16 तें एकर विपरीत चेक बॉक्स पर क्लिक करू।
08:19 अहाँ अपन pdf डॉक्युमेंटक प्रिंट सेहो ल' सकै छी।
08:26 हम पहिनहि‍ देखि‍ चुकल छी जे dot odt डॉक्युमेंटकें dot pdf फाइलमे कोना बदली।
08:34 चूँकि हम डेस्कटॉप पर pdf फाइल पहिनहि‍ सेव कर चुकल छी, हम pdf फाइल पर डबल-क्लिक करब।
08:41 आब File विकल्‍प पर क्लिक करू आ फेर Print पर क्लिक करू।
08:47 चलू डिफॉल्ट सेटिंग पर क्लिक करू आ फेर Print Preview बटन पर क्लिक करू।
08:52 अहाँ देखब जे कि फाइलक प्रिव्यू स्क्रीन पर अछि
08:56 आब एकरा प्रिंट करै लेल प्रिव्यू पेजमे Print this document आइकन पर क्लिक करू।
09:04 आब हम लिबर ऑफिस राइटर मे स्पोकन ट्यूटोरियल'क समाप्ति दि‍श छी।
09:09 संक्षेप में, हमरा लोकनि‍
09:11 डॉक्युमेंट्स देखब
09:13 डॉक्युमेंट प्रिंट करब
09:16 आब बोध सम्‍बन्‍धी दायि‍त्‍व।
09:18 राइटरमे This is LibreOffice Writer टेक्स्ट लिखू।
09:23 Full Screen विकल्‍प का उपयोग द्वारा स्क्रीन पर पूरा डॉक्युमेंट देखू।
09:29 डॉक्युमेंटक optimalVariable व्यू लेल जूम विकल्‍पक उपयोग करू, variable वेल्यू 50% पर सेट करू आ फेर डॉक्युमेंट देखू।
09:41 डॉक्युमेंट के Page preview पर जाउ आ पेज पर बार्डर संगें डॉक्युमेंटक दू प्रति‍ प्रिंट करू।
09:49 निम्नलि‍खि‍त लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू ।
09:52 ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांश प्रस्‍तुत करैत अछि।
09:56 जँ अहाँक बैन्ड्विड्थ नीक नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि‍ सकै छी।
10:00 स्पोकन ट्यूटोरियल टीम, स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग द्वारा कार्यशाला सेहो चलबैत अछि।
10:06 ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हर व्‍यक्‍ति‍कें प्रमाण-पत्र सेहो दैत अछि‍।
10:09 अधिक जानकारी लेल कृपया contact [at] spoken hyphen tutorial dot org पर लिखी।
10:16 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थि‍क।
10:20 ई भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय शि‍क्षा मिशन द्वारा आईसीटीक माध्यमे समर्थित अछि।
10:28 अइ मिशन पर अधिक जानकारी
10:31 *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि।
10:39 ई स्क्रिप्ट उज्ज्वल आलोक एवं कुमारी सीमा द्वारा अनूदित अछि, आई.आई.टी बॉम्बे दि‍शसँ हम देवशंकर नवीन आब अहाँ सभसँ विदा लै छी। धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok