Introduction-to-Computers/C2/Google-Drive-Options/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Time | Narration |
00:01 | Google Drive optionsक स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँ लोकनिक स्वागत अछि। |
00:06 | अइ ट्यूटोरियलमे हम Google Driveमे उपलब्ध निर्देशित विकल्पक मादे सीखब, जेना कि-- |
00:12 | कोनो डॉक्युमेंट, कोनो स्प्रेडशीट आ कि कोनो प्रेज़ेण्टेकशन बनाएब |
00:17 | फाइल्स आ फ़ोल्डर्स अपलोड करब |
00:20 | आ विकल्प शेयर करब। |
00:22 | अइ ट्यूटोरियल लेल अहाँकें कोनो क्रियाशील इण्टरनेट कनैक्शन आ कोनो वेब ब्रॉउज़रक प्रयोजन हैत। |
00:29 | हम एतए फायरफॉक्स वेब ब्रॉउज़रक प्रयोग करब। |
00:33 | एकर उपयोगसँ पूर्व अहाँकें जीमेलक बुनियादी जानकारी रहबाक चाही। |
00:38 | जँ से नइँ अछि, त' हमर वेबसाइट पर उपलब्ध Gmail सँ सम्बन्धिनत ट्यूटोरियल्स देखी। |
00:43 | आब शुरुह करै छी। |
00:45 | वेब ब्रॉउज़र खोली आ अपन 'जीमेल' अकाउंट पर लॉगिन करी। |
00:49 | ई काज हमरा लोकनि पहिनहुँ क' चुकल छी। |
00:51 | ऊपरमे दहिना भाग हम अपन नामक आगू एकटा ग्रिड आइकन देखि सकै छी। |
00:56 | जखन हम अइ पर माउस ल' जाइ छी, हेल्प टेक्स्ट कहैत अछि--- Apps
अइ पर क्लिक करी। |
01:02 | ई हमरा किछु 'गूगल apps' देखओत। जेना--
google plus,Search, YouTube,Maps, PlayStore News,Mail,Drive,Calendar आ आन बहुत किछु। |
01:18 | जँ हम ओइ पर क्लिक करब त' हमरा ओइ ख़ास google app पर निर्देशित कएल जाएत। |
01:24 | apps icon कें घुसका कए हम अपन वांछित विकल्परक अनुसार अइ सूचीकें पुनः व्यवस्थित सेहो क' सकै छी। |
01:32 | अइ ट्यूटोरियलमे, हम विशेष रूपें Driveक मादे सीखब। |
01:35 | तें आब हम Drive पर क्लिक करै छी। |
01:39 | ई न'ब टैबमे Google Drive पेज खोलत। |
01:43 | पेजमे सबसँ ऊपर, हम एकटा Search bar देखि सकै छी। |
01:47 | बाम कात किछु मेन्यू अछि। |
01:51 | आ दहिना कात ऊपरमे किछु आइकन्स अछि। |
01:55 | केंद्रमे, हम दू टा फाइल देखि सकै छी। |
01:59 | पहिल फाइल ओ थिक जे अकाउंट बनेबा काल हमरा संग 'गूगल' टीम शेयर केने छल। |
02:05 | दोसर फाइल ओ थिक जे हमरा लोकनि स्व यं अपलोड केने छलहुँ। |
02:10 | आब, बाम भाग'क मेन्यू सभ पर एक नज़र दी। |
02:14 | उपलब्ध मेन्यू सभ अछि:
New,My Drive,Shared with me,Google Photos,Recent, Starred, आ Trash |
02:27 | डिफ़ॉल्ट रूपें My Drive मेन्यू चयनित रहत आ ओकर विषय-वस्तु केंद्रमे देखाइ देत। |
02:34 | समस्तल फाइल आ फ़ोल्डर केंद्रीय क्षेत्रमे देखाइ देत। |
02:38 | तें, एतए हम ओ PDF आ ZIP फाइल देखि सकै छी, जे हम पछिला ट्यूटोरियलमे अपलोड केने रही। |
02:47 | ओ फाइल स'ब जे हम बना कए अपलोड केने छी, सबटा My Drive मे संचित कएल जाएत। |
02:53 | अगिला मेन्यू Shared with me अछि। हम अइ पर क्लिक करै छी। |
02:58 | जँ किओ हमरा संगें कोनो फाइल अथवा डॉक्युमेंट शेयर करत, त' से अइ मेन्यूमे देखाइ देत। |
03:03 | एखन धरि हमरा संगें किओ कोनो फाइल शेयर नइँ केने अछि, अइ लेल ई खाली अछि। |
03:09 | हालहिमे google अपन Google Photos कें 'ड्राइव'मे एक्सेस करबा लेल एकटा शॉर्टकट लिंक बनौलक अछि। |
03:15 | हम अइ ट्यूटोरियल लेल अइ विकल्पकें छोड़ै छी। |
03:19 | Recent मेन्यू ओहि फाइल अथवा डॉक्युमेंट सभक सूची देखाओत जे हालमे खोलल गेल अछि। |
03:25 | ई My Drive आ Shared with me दुन्नू विषय-वस्तु देखाओत। |
03:30 | तें हम एतए pdf आ zip फाइल देखि सकै छी, कारण हम ई पहिनहि खोलि नेने रही। |
03:37 | Starred :जँ हम कोनो फाइल अथवा डॉक्युमेंटकें 'Important' मार्क केने छी, त' से फाइल अइ मेन्यूमे देखाइ देत। |
03:45 | आब My Drive मेन्यू पर वापस चलै छी आ अपन pdf फाइल पर राइट-क्लिक करै छी। |
03:51 | आब Add Star विकल्प लै छी। |
03:55 | फेर Starred पर क्लिक करै छी। एतए हमर फाइल अछि। |
04:00 | हम अइ फाइलक एकटा कॉपी बनबै छी। |
04:03 | तें एक बेर फेर, फाइल पर राइट क्लिक करी आ Make a copy विकल्प चुनी। |
04:10 | आब हमरा जिमामे दू टा फाइल अछि। |
04:13 | ओइमे सँ एकटाकें मेटा दी। फाइल चुनी आ की-बोर्ड पर Delete बटन दाबि दी। |
04:20 | मेटाएल फाइल अथवा डॉक्युमेंट Trash मेन्यूमे देखाइ देत। |
04:25 | यद्यपि, मेटाएब अस्थायी अछि। |
04:28 | Trash मेन्यूमे Empty Trash विकल्प ल' कए हम स'ब फाइल्सकें पूर्ण रूपें मेटा सकै छी। |
04:36 | Trash मेन्यूक समस्तy फाइल 30 दिन बाद स्वतः गूगल सर्वरसँ पूर्ण रूपें मेटा देल जाइत अछि। |
04:44 | आब सीखै छी जे फाइल आ फ़ोल्डर कोना बनाओल जाइत अछि आ कोना अपलोड होइत अछि। |
04:49 | एकर चार टा पद्धति अछि--
पहिल पद्धति अछि बाम कात'क लाल रंगक New बटन पर क्लिक करब। |
04:56 | दोसर पद्धति अछि My Drive विकल्प पर राइट क्लिक करब। |
05:00 | आब, My Drive पर वापस अबै छी।
My Drive विकल्पमे, हम मध्य भागमे राइट क्लिक क' सकै छी। |
05:09 | आ अंततः, My Drive ड्राप-डाउन मेन्यूमे सबसँ ऊपर क्लिक करी। |
05:14 | आब New विकल्पमे सम्भावना तकै छी।
'New' बटन पर क्लिक करी। |
05:19 | एतए निर्देशित विकल्प देखाएत :
'Folder','File Upload','Google Docs, Sheets, Slides' आ अन्य |
05:28 | बेराबेरी हम प्रत्येक विकल्पकें देखब। |
05:31 | Folder विकल्प'क प्रयोग क' कए हम कोनो फोल्डर बना सकै छी। |
05:34 | अइ पर क्लिक करी। तुरंत ई नाम पूछत। |
05:40 | आब फोल्डरक नाम Spoken Tutorial दै छी आ Create बटन पर क्लिक करै छी। |
05:48 | डिफ़ॉल्ट रूपें, ई फोल्डर My driveमे देखाएत। |
05:52 | एतए हम एकरा केंद्रमे देखि सकै छी। |
05:56 | फ़ोल्डर हमर फाइल्सकें निके नाँ व्यवस्थित कर'मे मदद करैत अछि। |
06:00 | तें, हम अलग-अलग फ़ोल्डर, जेना personal, work आदि बना सकै छी। |
06:07 | कोनो फाइलकें अपलोड करबा लेल, पहिने New बटन पर फेर File Upload पर क्लिक करी। |
06:13 | ई फाइल ब्राउज़र विंडो खोलत। |
06:16 | ओहि फाइलकें ब्राउज़ करी आ चुनी जे अहाँ अपलोड करए चाहै छी। |
06:19 | हम 'डेस्कटॉप' सँ xyz.odt फाइल लै छी आ Open बटन पर क्लिक करै छी। |
06:26 | नीचाँ दहिना दिश, हम अपलोड हेबाक प्रोग्रेस देखि सकै छी। |
06:30 | ई फाइलक साइज़ आ इंटरनेटक स्पीडक आधार पर किछु समय ल' सकैत अछि। |
06:35 | एक बेर पूरा भेलाक बाद, अपलोड कएल फाइल मध्यमे देखाइ देत। |
06:41 | आब, नीचाँवला प्रोग्रेस विंडोकें बंद क' दी। |
06:45 | अही तरहें, हम Folder Upload विकल्प'क प्रयोग क' कए Drive पर एक फोल्डर अपलोड क' सकै छी। |
06:52 | ई विशेषता किछुए ब्राउज़र्समे उपलब्ध भ' सकैत अछि। उदाहरणार्थ: Google Chrome |
06:59 | अपन अपलोड कएल फाइलकें Spoken Tutorial फोल्डरमे कोना मूव क' सकै छी? |
07:04 | फाइल कें फोल्डरमे केवल अइ तरहें घीचि कए आनी आ छोड़ि दी। |
07:09 | आब, बामा कात'क, My Drive विकल्पकें ल'गसँ देखी। |
07:14 | ध्यान दी जे एकर बामा कात एकटा छोट सन त्रिभुज अछि। |
07:18 | अइ पर क्लिक करब त My Driveमे समस्तत फ़ोल्डर देखाइ देत। |
07:22 | देखी जे एतए हमर फोल्डर Spoken Tutorial अछि आ एतए एकरा भीतर फाइल xyz.odt अछि। |
07:31 | अपन दैनिक कार्य लेल, हमरा लोकनि डॉक्युमेंट्स, स्प्रेडशीट्स आ प्रेजेण्टेशन्स'क प्रयोग करै छी। |
07:36 | त' की Driveमे से बनाएब आ व्यवस्थित करब संभव अछि ? |
07:39 | हाँ, ई संभव अछि। Google Driveमे सेहो हम Office Suite जकाँ डॉक्युमेंट, स्प्रेडशीट्स आ प्रेजेण्टेशन्स बना सकै छी। |
07:50 | तें हमरा सभक सोझाँ डॉक्युमेंट्स बनेबा लेल Google Docs अछि। |
07:54 | स्प्रेडशीट्स बनेबा लेल Google Sheets अछि। |
07:57 | आ प्रेजेण्टेशन्स बनेबा लेल Google Slides अछि। । |
08:01 | उदाहरणार्थ, हम एतबे देखाएब जे Google Docs क प्रयोग करैत डकुमेण्टव कोना बनैत अछि। |
08:08 | कोनो न'ब डॉक्युमेंट बनेबा लेल, New बटन पर क्लिक करी आ Google Docs विकल्प चुनी। |
08:14 | ई नब टैबमे एकटा खाली डॉक्युमेंट खोलत। |
08:19 | हम देखि सकै छी जे मेन्यूज़ आ टेक्स्ट फॉर्मेटिंग विकल्प अन्य Office Suite जकाँ अछि। |
08:26 | ऊपर, ध्यातव्यय अछि जे डॉक्युमेंटक शीर्षक Untitled document अछि। |
08:31 | ई एडिट होइ वला शीर्षक अछि। शीर्षककें दोबारा नाम देबा लेल, टेक्स्ट पर क्लिक करी। |
08:38 | Rename document विंडो खुजैत अछि। |
08:41 | एतए हम अपन डॉक्युमेंट लेल कोनो उचित शीर्षक टाइप क' सकै छी। |
08:46 | हम टाइप करब My first google doc आ OK पर क्लिक करब। |
08:53 | शीर्षकमे बदलाव पर ध्यान दी। |
08:56 | आगू, हम एतए किछु कंटेंट टाइप करै छी, मानि लिअ Welcome to Google Docs टाइप केलहुँ |
09:02 | अइ डॉक्युमेंटमे किछुओ जोड़ब, संशोधन करब अथवा मेटाएब, ओ स्वयमेव सेव भ' जाएत। |
09:08 | ऊपरमे Help मेन्यूक आगू, मैसेज आओत All changes saved in Drive, |
09:14 | जँ ओहि पर क्लिक करब त' दाहिना कात Revision History देखि सकै छी। |
09:19 | ई कएल गेल अन्तिरम संशोधनक तारीख़, समय आ संशोधन के केलनि, सेहो देखबैत अछि |
09:26 | एखन ई डॉक्युमेंट किनकहु संगें शेयर नइँ भेल अछि |
09:30 | तें हम तारीख़मे 'Today' आ ओहि समयक संग केवल एकटा यूज़र 'Rebecca Raymond' देखि सकै छी। |
09:37 | जँ 'google doc' बहुत रास लोक'क संग शेयर होइत अछि त' प्रयोक्ता द्वारा कएल गेल समस्ते बदलावकें 'revision history' अलग-अलग प्रयोक्ताहकें अलग-अलग रंग द'
क सूचीबद्ध करत। |
09:48 | अइ ट्यूटोरियलमे ई विशेषता हम थोड़े काल बाद देखब। |
09:53 | Revision History कें बंद करी। |
09:56 | आब हम अइ टैबकें बंद करै छी। google doc स्व यमेव सेव भ' जाएत। |
10:02 | एक बेर हम फेर, My Driveमे छी आ एतए अपन फाइल देखि सकै छी। |
10:07 | एकरा दोबारा खोलबा लेल अइ पर डबल क्लिक करी। |
10:10 | आब, Welcome to Google Docs लाइन कें दू बेर कॉपी-पेस्ट करब आ फेर टैब बंद करब। |
10:17 | एकरा खोलबा लेल एक बेर फेर फाइल पर डबल क्लिक करी। |
10:20 | दोबारा, Welcome to Google Docs लाइनकें एक बेर कॉपी-पेस्ट करी। |
10:26 | आब Revision History पर क्लिक करी। एतए डेट-टाइम स्टैम्प आ प्रयोक्ताक'क जानकारी संग फाइलक समस्ता रीविजन देखि सकै छी। |
10:36 | जँ स'ब रीविजन नइँ देखाए, त' नीचाँ 'Show more detailed revisions' बटन पर क्लिक करी। |
10:44 | ऊपर नवीनतम रीविजन संगें क्रमानुसार रीविजन व्यवस्थित देखाएत। |
10:50 | प्रत्येक रीविजन पर क्लिक करी आ ग'र करी जे ई क्रिया कोना निष्पाsदित होइत अछि। |
10:55 | आब हम ई डॉक्युमेंट दू टा अन्य प्रयोक्ता संगें शेयर करै छी। |
10:59 | अइ लेल, ऊपरमे दहिना कात'क 'Share' बटन पर क्लिक करी। |
11:03 | Share with others डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि। |
11:07 | People टेक्स्ट बॉक्समे, हमरा लोकनिकें हुनका सभ'क ईमेल-आई डी भरबाक अछि, जिनका संग हम ई डॉक्युमेंट शेयर करए चाहै छी। |
11:15 | तें हम टाइप करब 0808iambecky@gmail.com |
11:23 | ध्यान दी जे autofill विशेषता एतए ओहि ईमेल-आई डी लेल उपलब्ध अछि, जिनका हम पहिनहुँ ईमेल पठौने छी। |
11:31 | तीन मोड्स होइत अछि, जै'मे हम अन्य प्रयोक्ताम संग डॉक्युमेंट शेयर क' सकै छी। |
11:36 | अइ तीन मोड्सकें देखबा लेल एतए अइ बटन पर क्लिक करी:
Can edit,Can comment,Can view |
11:44 | Can edit विकल्प अन्य प्रयोक्तााकें डॉक्युमेंटमे बदलाव करबा अनुमति दैत अछि। |
11:51 | Can comment विकल्प अन्य प्रयोक्तातकें बदलावक सुझाव देबाक अनुमति दैत अछि। |
11:56 | Can view विकल्प अन्य प्रयोक्ताककें केवल देखबाक अनुमति दैत अछि। |
12:00 | ओ कोनो बदलाव नइँ क' सकै छथि, आ ने बदलावक सुझाव द' सकै छथि। |
12:04 | आब 0808iambecky कें Can edit विकल्प दै छी। |
12:09 | हम stlibreoffice@gmail.com कें सेहो जोडब। |
12:16 | दू टा ईमेल-आई डीक बीच एकटा कॉमा लगाएब मोन राखी। |
12:21 | जहिना हम समस्तc ईमेल-आई डी एतए भरै छी, कि विंडोमे एकटा बदलाव होइत अछि। |
12:25 | हमरा लोकनिकें एतए एकटा 'Add a note' टेक्स्ट एरिया देखाइत अछि। |
12:28 | जँ हम अन्य प्रयोक्तामकें अइ डॉक्युमेंटक मादे किछु जानकारी देबए चाहै छी, त' से हम एतए टाइप क' सकै छी। |
12:36 | हम टाइप करब Please find attached a document for testing purpose. Kindly modify or suggest, as per the permission given to you.
Thanks Ray.Becky |
12:47 | अंतमे शेयर करबाक अइ प्रक्रियाकें पूरा करै लेल Send बटन पर क्लिक करी। |
12:52 | ई हमर मैसेज आ शेयर कएल गेल डॉक्युमेंटक लिंक संगें अन्य प्रयोक्तालकें एकटा ईमेल नोटिफिकेशन पठाओत। |
12:59 | एक बेर फेर, Share बटन पर क्लिक करी। |
13:02 | फेर Advanced बटन पर क्लिक करी। |
13:05 | stlibreoffice प्रयोक्ता लेल आब हम शेयरिंग मोडकें Can commentमे बदलब। |
13:12 | अंतमे Save changes बटन पर आ फेर Done पर क्लिक करी। |
13:18 | आब अइ डॉक्युमेंटकें बंद करी। |
13:21 | आब, मानि लिअ' जे दुनू प्रयोक्तार शेयर कएल गेल डॉक्युमेंटमे किछु संशोधन केने छथि। |
13:27 | किछु समय बाद जखन हम ओ डॉक्युमेंट दोबारा खोलै छी, त' अन्य शेयर्ड प्रयोक्ताा द्वारा कएल गेल सम्पाbदन देखि सकै छी। |
13:34 | चूँकि stlibreoffice@gmail.comकें मात्र सुझाव देबाक अनुमति छलनि, तें हम ओहि प्रयोक्ताा द्वारा देल गेल सुझाव देखि सकै छी। |
13:43 | अपन माउसकें सुझाव बॉक्स पर, टिक आ क्रॉस मार्क्सक ऊपर आनी। |
13:49 | टिक मार्क'क अर्थ भेल Accept suggestion आ क्रॉस मार्क'क अर्थ भेल Reject suggestion |
13:56 | आब हम एकटा सुझावकें स्वीकार करै छी आ दोसरकें छोड़ दै छी। |
14:02 | हम एतए 0808iambecky सँ एकटा सुझाव देखि सकै छी। |
14:07 | आ एतए हम Resolve बटन देखि सकै छी। |
14:11 | Can edit विकल्पबला प्रयोक्ताे कमेंट टेक्स्ट पर क्लिक क' कए ओहि कमेंटक उत्तर द' सकैत अछि। |
14:18 | कमेंट थ्रेडकें हटेबा लेल, Resolve बटन पर क्लिक करी। |
14:22 | अइ डॉक्युमेंटमे हम 0808iambecky द्वारा कएल गेल कोनो संशोधन नइँ देखि सकै छी। |
14:29 | स्मरणीय थिक जे अइ प्रयोक्तामकें डॉक्युमेंटमे edit क अनुमति नइँ छल। |
14:34 | तें, हम ई कोना पता करब जे ओ प्रयोक्ता की बदलाव केने छलाह ? |
14:39 | एहि लेल, हम अपन Revision History देखि सकै छी। |
14:43 | एकरा खोलबा लेल, हम File पर आ फेर See revision history पर क्लिक करी। |
14:50 | हम देखि सकै छी जे 0808iambecky कोन बदलाव केलनि अछि; ई अलग रंगमे देखाइत अछि। |
14:58 | हम stlibreoffice@gmail.com द्वारा देल गेल सुझावकें सेहो अलग रंगमे देखि सकै छी। |
15:05 | आ ओनर हेबाक कारणें निश्चाये हम अपन कार्यकें अलग रंगमे देखब। |
15:11 | आब Revision History विंडोकें बंद करै छी। |
15:14 | डॉक्युमेंट शेयर करबाक एकटा अन्य तरीका सेहो अछि। Share बटन पर क्लिक करी। |
15:20 | ऊपरमे दहिना कोन पर Share with others विंडोमे, हम Get shareable link टेक्स्ट देखि सकै छी। अइ पर क्लिक करी। |
15:29 | ई कहैत अछि Anyone with the link can view |
15:32 | अइ डॉक्युमेंट लेल ई एकटा लिंक बनबैत अछि। |
15:35 | आब हम ई लिंक कोनहुँ ईमेल-आईडीकें पठा सकै छी, जकर मतलब भेल जे ई लिंक जिनका किनकहु लग छनि, से अइ डॉक्युमेंटकें देखि सकै छथि। |
15:44 | अइ तथ्य,'क संग हम अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि गेल छी। |
15:47 | आब एकरा संक्षेप करी |
15:49 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि सिखलहुँ--
Google Drive कें एक्सेस करब, फाइल बनाएब आ ओकरा अपलोड करब गूगल डॉक्स बनाएब, आ शेयरिंग विकल्पक प्रयोग करब। |
16:00 | देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रस्तु त करैत अछि। कृपया एकरा देखी आ डाउनलोड करी। |
16:07 | हमरा लोकनि कार्यशाला आयोजित करै छी आ ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहारकें प्रमाणपत्र दैत छी।
अधिक जानकारी लेल, कृपया सम्पयर्क करी। |
16:16 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक एम एच आर डीक NMEICT द्वारा निधिबद्ध अछि।
अइ मिशन लेल अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि। |
16:27 | अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद। |