Introduction-to-Computers/C2/Compose-Options-for-Email/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Time | Narration |
00:01 | Compose Options for Emails पर स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि। |
00:07 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि सीखब, जे-- |
00:10 | * ईमेल प्राप्तकर्ता To, Cc, आ Bcc की थिक |
00:16 | * ईमेल टेक्स्ट के फॉर्मेट केहेन हो |
00:19 | * ईमेलमे फाइल कोना संलग्न करी |
00:22 | *Google Drive (गूगल ड्राइव) द्वारा फाइल शेयर कोना करी |
00:25 | * ईमेलमे फोटो अथवा लिंक कोना जोड़ी |
00:29 | आ *Compose विंडो विकल्पके कोना संचालित करी |
00:33 | अइ ट्यूटोरियल लेल, अहाँकें इंटरनेट कनैक्शन |
00:38 | आ कोनो एकटा वेब ब्राउज़रक प्रयोजन हएत। |
00:40 | अइ प्रस्तुतिमे हम Firefox वेब ब्राउज़रक उपयोग क' रहल छी। |
00:45 | आब शुरुह करै छी। |
00:46 | अपन वेब ब्राउज़र खोलू आ टाइप करू : http://gmail.com |
00:55 | Login 'पेज' खुजैत अछि। |
00:58 | सम्बन्धि त टेक्स्ट बॉक्समे username आ password भरू। |
01:04 | जँ लॉगिन पेज यूज़रनेमक संग खुजैत अछि त' एकर अर्थ भेल जे अहाँ पहिनहुँ अपनी मशीनसँ ई अकाउण्टो एक्सेस केने छी। |
01:12 | पासवर्ड भरू। |
01:15 | आ Sign in बटन पर क्लिक करू। |
01:18 | हमरा लोकनि अपन Gmail पेज पर छी। |
01:21 | आब, ईमेल लिखबा लेल उपलब्ध विकल्पकें देखी। |
01:26 | पहिने Compose बटन पर क्लिक करै छी। |
01:31 | Compose विंडो खुजैत अछि। |
01:34 | 'To' सेग्मेण्ट, जतए हमसब प्राप्तकर्ताक विवरण दै छी। |
01:38 | एतए तीन टा विकल्प होइत अछि--'To, Cc आ Bcc' |
01:44 | 'Cc' क अर्थ भेल जिनका प्रतिलिपि पठेबाक अछि आ 'Bcc' क अर्थ भेल जिनका ब्लाीइण्ड प्रतिलिपि पठेबाक अछि। |
01:51 | To क्षेत्रमे ओइ व्यक्तिक ईमेल एड्रेस लिखबाक अछि जिनका हम ईमेल पठा रहल छी। |
01:58 | एतए एकटा screenshot अछि। |
02:01 | जँ हमरा ओएह ईमेल एकसँ अधिक लोककें पठेबाक अछि त' 'To' क्षेत्रमे ओ सबटा 'email-id' जोड़ैत जाइ। |
02:09 | एतए एकटा 'screenshot' अछि। |
02:12 | ओही ईमेलक प्रतिलिपि आनहुँकें पठेबा लेल 'Cc' विकल्पक प्रयोग करू। |
02:18 | 'To' आ 'Cc' के समस्तe प्राप्तकर्ता अन्य सब प्राप्तकर्ताक सूची देखि सकै छथि। |
02:25 | एतए एकटा 'स्क्रीनशॉट' अछि। |
02:28 | ओही ईमेलक प्रतिलिपि ब्लाइण्ड अर्थात् गुप्त रूपें किनकहु पठेबाक हो त' 'Bcc' विकल्पक प्रयोग क' सकै छी। |
02:34 | अइ विकल्पमे, 'To' आ 'Cc' वाला प्राप्तकर्ता 'Bcc'मे जोड़ल प्राप्तकर्ताकें नइँ देखि सकै छथि। |
02:42 | 'Bcc' वाला प्राप्तकर्ता 'To' आ 'Cc' क प्राप्तकर्ताकें देखि सकै छथि। |
02:47 | मुदा 'Bcc' क अन्य प्राप्तकर्ताकें किओ नइँ देखि सकै छथि। |
02:51 | ईमेल'क प्रेषक, प्राप्तकर्ताक सम्पूार्ण सूची देखि सकै छथि। |
02:55 | एतए एकटा 'स्क्रीनशॉट' अछि। |
02:58 | आवश्यलक टिप्पपणी : |
03:00 | प्राप्तकर्ताक क्षेत्र 'To, Cc' आ 'Bcc'मे हम कतबो संख्याखमे 'email-id' जोड़ि सकै छी। |
03:08 | मुदा प्रतिदिन अधिकतम प्राप्तकर्ताक सीमा 500 अछि। |
03:13 | प्रत्येक मेल-आई डी स्पेस अथवा कॉमा अथवा कोलन लगा क' अलग कएल जा सकैत अछि। |
03:20 | आब अपन 'Gmail' कम्पोज़ विण्डो में वापस चली। |
03:25 | डिफ़ॉल्ट रूपें, 'कर्सर' एखन 'To' क्षेत्रमे अछि। |
03:29 | आब प्राप्तकर्ताक पता भरबाक पद्धति देखू-- |
03:33 | 'To' क्षेत्रमे, ईमेल-आई डी ray.becky.0808@gmail.com भरू। |
03:46 | 'Cc' क्षेत्रमे, 0808iambecky@gmail.com भरू। |
03:55 | 'Bcc' क्षेत्रमे, stlibreoffice@gmail.com आ info@spoken-tutorial.org भरू। |
04:10 | Subject लाइन पर क्लिक करू आ अपन ईमेलक संक्षिप्त विवरण भरू। |
04:15 | हम टाइप करै छी: Partner with us |
04:19 | कण्टेण्ट क्षेत्रमे, आब मैसेज टाइप करै छी : |
04:24 | Spoken Tutorial Project is helping to bridge the digital divide. |
04:29 | ईमेलक संरचनामे Gmail टेक्स्ट पर बुनियादी फॉर्मेटिंग करबाक सुविधा दैत अछि। |
04:35 | डिफ़ॉल्ट रूपें, ई Compose विण्डोमे निचला भागमे देखाइत अछि। |
04:41 | से नइँ हो त' फॉर्मेटिंग 'टूलबार'कें एक्सेस करू, Formatting options बटन पर क्लिक करू। |
04:47 | एतए, विभिन्न fonts, sizes, bold, italic, underline, text, color, align, numbered', 'bulleted lists', 'indentation' आदिक विकल्प अछि। |
05:03 | ई विकल्प वस्तुत: वर्ड प्रोसेसर एप्लीकेशने जकाँ अछि। |
05:08 | अइमे अहाँ स्वtयं विकल्पक ताकि सकै छी। |
05:12 | हम अइ तरहें अपन टेक्स्टकें फॉर्मेट केलहुँ। |
05:16 | फॉर्मेटिंग टूलबारकें नुकेबा लेल, Formatting options बटन पर क्लिक करू। |
05:22 | 'फाइल्स, फोटोज़, लिंक्स आ emoticons कें संलग्न करबाक विकल्प Compose विंडोमे अछि। |
05:32 | दोसरा संग फाइल्स आ डॉक्यूमेंट्स शेयर करबा लेल, |
05:35 | हम Attach files या Insert files using Drive विकल्पक प्रयोग क' सकै छी। |
05:41 | 'attachment' जकाँ फाइल पठेबाक सुविधा सब 'Mail'मे होइत अछि। |
05:46 | 25 मेगाबाइट्स आकार धरिक फाइल अहाँ संलग्न क' सकै छी। |
05:51 | अइसँ पैघ आकार'क फाइल पठेबा लेल, अहाँ Insert files using Drive विकल्पक प्रयोग क' सकै छी। |
05:59 | आब पहिने एकटा 'pdf फाइल' संलग्न करै छी, जे 1 Mb साइज़सँ छोट अछि। |
06:04 | पेपर क्लिप देखाइत 'Attach file' आइकन पर क्लिक करू। |
06:09 | ई 'फाइल ब्राउज़र' खोलत। |
06:12 | फाइलकें ब्राउज़ करू आ ताकू जे अहाँ कोन फाइल मेल कर' चाहै छी। |
06:16 | हम डेस्कटॉपसँ myscript.pdf तय करैत Open पर क्लिक करब। |
06:23 | हम देख सकै छी जे हमर फाइल मेलमे संलग्न भ' रहल अछि। |
06:27 | 'Attach files' विकल्पक प्रयोगसँ ओही मेलमे आओरो फाइल संलग्न कएल जा सकैत अछि। |
06:34 | मैसेज संगें जोड़ल फाइलकें हटेबा लेल, फाइल-नाम'क दहिना कात'क 'x' मार्क पर क्लिक करू। |
06:41 | आब, एकटा एहन फाइल संलग्न करै छी जे लगभग 30Mbक अछि। |
06:46 | हमर डेस्कटॉप पर लगभग 30Mbक एकटा zip file अछि। |
06:52 | एक बेर फेर Attach files आइकन पर क्लिक करू। |
06:56 | 30Mbक ज़िप फाइल कें ब्राउज़ करू आ फाइल तय क' कए Open पर क्लिक करू। |
07:02 | सोझाँमे पॉपअप मैसेज आओत : |
07:04 | The file you are trying to send exceeds the 25mb attachment limit |
07:09 | अही संगें ओ विकल्प दैत अछि Send using Google drive. |
07:14 | Send using google drive बटन पर क्लिक करू। |
07:18 | आब एक क्षण लेल अइ डॉक्यूमेंटकें बन्द करै छी। |
07:21 | Insert files using Drive विकल्प पर क्लिक करब त' पहिने वाला विंडो सोझाँ आओत। |
07:28 | एतए हम तीन टैब्स देखि सकै छी : |
07:31 | My Drive, Shared with me आ Upload |
07:36 | डिफ़ॉल्ट रूपें, जे फाइल्सि पहिनहिसँ अपलोड अछि My Drive टैबमे उपलब्ध हैत। |
07:43 | एतए अहाँ फाइल देखि सकै छी। |
07:46 | एकाउण्टू बनेबा काल ई सब गूगल टीम द्वारा शेयर कएल गेल छल। |
07:51 | Shared with me टैब पर क्लिक करू। |
07:55 | एतए मैसेज देखि सकै छी--No one's shared any files with you yet! |
08:00 | जँ किओ अहाँ संग फाइल शेयर करए चाहैत अछि त' से Shared with Me tabमे उपलब्ध हैत। |
08:06 | आब, नव फाइलकें अपलोड कर' लेल 'Upload टैब पर क्लिक करू। |
08:12 | Select files from your computer बटन पर क्लिक करू। |
08:16 | अपन मशीनसँ ओइ फाइलकें ब्राउज़ करू आ जे अपलोड करए चाहै छी तकरा लेल Open पर क्लिक करू। |
08:23 | जँ अहाँ आओरो फाइल्स जोड़ए चाहै छी त' Add more files बटन पर क्लिक करू । |
08:27 | एखन हम एकरा छोड़ैत केवल एक्के टा फाइल अपलोड करब। |
08:33 | फाइल जोड़लाक बाद, हमरा उल्लेख करबाक अछि जे एकरा अपन मेलमे कोना प्रविष्ट करब। |
08:40 | ध्यातव्य थिक जे नीचाँ दहिना कात दू टा बटन अछि-- |
08:44 | Insert as Drive link आ |
08:46 | Attachment |
08:48 | डिफ़ॉल्ट रूपें, Insert as Drive link तय अछि। |
08:52 | Attachment तय करब त' फाइल अटैचमेंट जकाँ प्रविष्ट कएल जाएत। |
08:57 | एकरा हम अहिना छोड़ि देंब। |
09:00 | स्क्रीनक निचाँ बामा कात कोनमे Upload बटन पर क्लिक करू। |
09:05 | अपलोडिंग शुरुह भ' जाएत, मुदा अहाँक इंटरनेटक स्पीडक आधार पर ई किछु समय ल' सकै छी। |
09:11 | एकर बाद, हम कंटेंट क्षेत्रमे, अपलोड कएल फाइलक लिंक देख सकै छी। |
09:17 | आब ईमेलमे इमेज प्रविष्ट करबा लेल Insert Photo विकल्प पर क्लिक करू। |
09:24 | Upload Photos विंडो खुजत। |
09:27 | अपन कंप्यूटर या इमेजक वेबसाइट एड्रेससँ हमरा लोकनि फोटो अपलोड क' सकै छी। |
09:34 | एखन हम कोनो इमेज अपलोड नइँ करए चाहै छी। |
09:38 | तें हम Cancel बटन पर क्लिक करब। |
09:41 | अइ विकल्पक खोज अहाँ स्ववयं क' सकै छी। |
09:44 | अगिला विकल्प Insert Link अछि। आब अइ पर क्लिक करू। |
09:49 | Edit Link डायलॉग बॉक्स खुजि कए सोझाँ आओत। |
09:53 | Text to display क्षेत्रमे, ओ टेक्स्ट टाइप करू, जकरा अहाँ लिंक बनब' चाहै छी। |
09:58 | हम टाइप करब Spoken Tutorial |
10:02 | Link to सेक्शनमे, डिफ़ॉल्ट रूपें Web address विकल्प निर्धारित अछि। |
10:08 | टेक्स्ट क्षेत्रमे, url टाइप करू http://spoken-tutorial.org |
10:20 | आ OK बटन पर क्लिक करू। |
10:23 | आब, कंटेंट क्षेत्रमे, अहाँ Spoken Tutorial टेक्स्ट देखि सकै छी। इएह भेल 'हाइपरलिंक'। |
10:29 | आब हम हाइपरलिंक कएल टेक्स्ट पर क्लिक करै छी। |
10:32 | टेक्स्ट के नीचाँ छोट-सन pop window खुजैत अछि। |
10:35 | ई Go to linkक अनुमति देत। |
10:38 | प्रदर्शित URL पर क्लिक करू, जो अहाँकें स्पोकन ट्यूटोरियल वेबसाइट'क 'होमपेज' पर ल' जाएत। |
10:45 | URL बदलबा लेल Change आ 'लिंक' हटेबा लेल Remove विकल्प पर क्लिक क' सकै छी। |
10:53 | हम अइ emoticon आइकनक मदतिसँ अनेक सचित्र फाइल सेहो जोड़ि सकै छी। |
10:59 | अपन ईमेल वार्तालापमे आवश्यएकतानुसार अइ विशेषताक प्रयोग कखनहुँ क' सकै छी। |
11:04 | ध्यातव्यई थिक जे Saved टेक्स्ट, Trash आइकनसँ तुरन्तर पहिने अछि। |
11:08 | जखन कखनहुँ हम कंटेंट जोड़ै छी अथवा मेटबै छी, त' ईमेल डिफ़ॉल्टक Drafts folderमे ओ स्वतः सेव भ' जाएत। |
11:16 | ई व्यवस्थाा बिजली कटला पर अथवा इंटरनेट कनैक्शन टूटला पर टाइप कएल मैसेजकें पुनः प्राप्त करबा लेल बहुत सहायक अछि। |
11:24 | मैसेज हटेबाक हो त Trash' आइकन पर क्लिक करू। |
11:28 | ई क्रिया Drafts folder सँ ईमेलकें हटा देत। |
11:34 | Trash आइकन के बाद अवस्थित More options बटन पर क्लिक करू। |
11:39 | Default to full-screen विकल्प Compose विंडोकें नमहर करत। |
11:44 | Label - अइ विशेषताक मादे हम भावी ट्यूटोरियल्समे सीखब। |
11:49 | समस्त फॉर्मेटिंग जे हमरा लोकनि पहिने केने छी, से Plain text mode विकल्प देत आ मेलकें प्लेन टेक्स्टमे बदलि देत। |
11:57 | Print विकल्प टाईप कएल मेलकें डिफ़ॉल्ट रूपें प्रिंटरमे पठाओत। |
12:03 | Check Spelling टाइप कएल कंटेंटक स्पेलिंग चेक करत। |
12:07 | आब हमरा लोकनि अपन मेल पठेबा लेल तैयार छी। |
12:09 | Send बटन पर क्लिक करू। |
12:12 | स्क्रीन पर निम्नलिखित मैसेज आओत-- |
12:15 | This Drive file isn't shared with all recipients. |
12:19 | ई अइ लेल जे हमरा लोकनि ओ फाइल हुनकालोकनिकें शेयर नइँ केने छी जे अइ ईमेलमे मार्क कएल छथि। |
12:25 | Share & Send बटन पर क्लिक करू। |
12:29 | स्क्रीन पर दू मे सँ कोनो एक टा मैसेज देखाओत-- |
12:32 | Your message is sending |
12:34 | अथवा Your message has been sent. |
12:38 | पठाओल मेलकें देखबालेल, View Message लिंक पर क्लिक करू। |
12:43 | एतए आहि ईमेलक कंटेंट देखल जा सकैत अछि जे हम पठौने छी। |
12:47 | आब हम एक एक क' दोबारा जाँच करै छी। |
12:50 | एतए attachments अछि |
12:52 | आ एतए URL लिंक अछि। |
12:55 | मेल एड्रेसक नीचॉं एकटा उनटा त्रिकोण अछि जो हेडर विवरण देखबैत अछि। |
13:00 | हम अइ पर क्लिक करै छी। |
13:03 | हम To, Cc आ Bcc क्षेत्रोंमे समस्तप प्राप्त कर्ताक ईमेल-id देखि सकै छी। |
13:11 | देखल जाए जे प्राप्तकर्ता लोकनिकें गेल ईमेल केहन देखेतनि। |
13:16 | ई Cc मार्क कएल प्राप्तकर्ताक मेल-id थिक। |
13:21 | अहाँ ओहो मैसेज देखि सकै छी जे एखन पठाैने छी। हम एकरा पढ़बा लेल खोलै छी। |
13:27 | Show Details पर क्लिक करू। |
13:29 | ई To आ Cc क प्राप्तकर्ताक सूची देखाओत, मुदा Bcc क नइँ देखओत। |
13:35 | ई Bccमे मार्क कएल कोनो एक प्राप्तकर्ताक मेल-आईडी थिक। |
13:41 | अहाँ ओ मैसेज देखि सकै जे एखन पठौने छी।। |
13:43 | पढ़बा लेलअइ मेलकें खोलै छी। |
13:46 | Show Details पर क्लिक करू। |
13:49 | अहाँ 'To, Cc आ Bcc' के प्राप्त कर्ताक विवरण देखि सकै छी। |
13:55 | आब हम पठब'वलाक जीमेल अकाउण्टर पर वापस अबै छी। |
13:59 | एतए देखू, हम Bccमे दू गोट प्राप्तकर्ताक उल्लेख कएने छी। |
14:04 | मुदा एतए हम एक्के टा email id देखि सकै छी। दोसर नइँ देखाएत। |
14:10 | Bcc फ़ीचर अइ प्रकारें कार्य करैत अछि। |
14:13 | आशा करै छी जे अहाँ स्पष्ट रूपें अंतर देखबामे सक्षम हएब। |
14:17 | एवम् प्रकारें हम ट्यूटोरियलक अंतमे आबि गेल छी। |
14:20 | आब एकर सार-संक्षेप करै छी। |
14:22 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि सिखलहुँ--- |
14:25 | * ईमेल प्राप्त कर्ता अर्थात्- To, Cc, Bcc क मादे, |
14:30 | * ईमेल्स टेक्स्टक फॉर्मेटिंग करब |
14:33 | * इमेलमे फाइल्स संलग्न करब |
14:36 | * 'Google Drive' सँ फाइल्स शेयर करब |
14:39 | * ईमेलमे फोटो अथवा 'लिंक' जोड़ब आ |
14:43 | * Compose विंडोक विकल्प खोलब |
14:47 | अइ लिंक पर उपलब्ध वीडिओमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सार-संक्षेप अछि। |
14:52 | कृपया एकरा डाउनलोड करी आ देखी। |
14:55 | हमरा लोकनि कार्यशालादि संचालित करै छी आ 'ऑनलाइन' टेस्ट पास कर'बलाकें प्रमाणपत्र दै छी। |
15:01 | अधिक जानकारी लेल हमरासँ संपर्क करू। |
15:04 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक एम एच आर डीक NMEICT' द्वारा समर्थित अछि। |
15:11 | अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि। |
15:21 | अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।
' |