LibreOffice-Suite-Writer/C3/Typing-in-local-languages/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 20:14, 6 May 2018 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
Resources for recording Search And Replace Auto Correct
Time | Narration |
00:01 | नमस्कार, लिबर ऑफिस राइटरमे स्थानीय भाषामे टाइपिंग (Typing in Local languages) विषयक अइ टयूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि। |
00:08 | अइ ट्यूटोरियलमे, हम अहाँकें लिबर ऑफिस राइटरक संग कन्नड़मे टेक्स्ट प्रोसेसिंग सँ परिचित कराएब। |
00:15 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे
उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबर ऑफिस वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी। |
00:25 | आब, हम बताएब जे अहाँ लिबरऑफिसमे कन्नड़ टाइपिंगकेंना कन्फिगर करी। अहाँ अइ पद्धतिक उपयोग अहाँ लिबर ऑफिसमे कोनहु भाषाकें कन्फिगर करै लेल क' सकै छी। |
00:36 | पैकेजसकें संस्थापित करै लेल सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक उपयोग करी। |
00:40 | विवरण लेल, स्पोकन ट्यूटोरियल वेबसाइट पर उपलब्ध सिनैप्टिक पैकेज मैनेजर पर ट्यूटोरियलकें देखी। |
00:48 | कन्फिगरेशन चारि स्टेप्समे होइत अछि। |
00:52 | जाँच करी जे अहाँक कंप्यूटरमे SCIM संस्थापित अछि वा नइँ। |
00:55 | जँ नइँ अछि, त' अनुवर्ती पैकेजेसकें चिह्नित करै लेल आ SCIMकें संस्थापित करै लेल सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक उपयोग करी। |
01:03 | जा धरि अहाँ ई क' रहल छी, अहाँ ट्यूटोरियलकें रोकि दी, आ जखन भ' जाए, त' रिज्यूम करी । |
01:08 | आगू कीबोर्ड इनपुट पद्धतिक रूपमे SCIM-immodule सलेक्ट करी। |
01:14 | टेक्स्ट इनपुट लेल भाषाक रूपमे कन्नड़क चुनाव करै लेल SCIM कन्फिगर करी। |
01:20 | कॉम्पलेक्स टेक्स्ट लेआउट Complex Text layout लेल कन्नड़क चुनाव करै लेल लिबर ऑफिसकें कन्फिगर करी। |
01:26 | हम आब अही विषयमे करब। |
01:29 | System, Administration आ Language support पर क्लिक करी। |
01:41 | जँ अहाँकें स्क्रीन पर Remind me later अथवा Install now भेटैत अछि, त' Remind me later पर क्लिक करी। |
01:51 | कीबोर्ड इनपुट मैथड सिस्टम (Keyboard input method system)मे scim-immoduleकें सलेक्अ करी। |
01:56 | एतए ई जँ पहिनहिसँ चयनित अछि, त' हम किछु नइँ करब। |
02:01 | SCIMकें कन्फिगर करै लेल System, Preferences आ SCIM Input Method पर क्लिक करी। |
02:14 | एखन अहाँ एकरा स्क्रीन पर नइँ देख सकै छी। मुदा जखन अहाँ एकरा अपन कंप्यूटर पर करब, त' अहाँ अइ ऑप्शनकें देखबामे सक्षम हण्ब। |
02:22 | IMEngineमे Global Setup पर क्लिक करी। |
02:27 | अइसँ SCIM टेक्स्ट प्रोसेसिंगमे समर्थित समस्त भाषाक सूची देखाओत। |
02:38 | अइमे हिन्दी, कन्नड़, बंगाली, गुजराती, तमिल, तेलुगू, मलयालम, उर्दू सहित अधिकतर बाजल जाद बला समस्त भारतीय भाषा होइत अछि। |
02:48 | हमर ट्यूटोरियल लेल हिन्दी आ कन्नड़ चयनित हेबाक चाही। |
02:55 | अपन कन्फिगरेशनकें सेव करै लेल OK पर क्लिक करी। |
02:59 | SCIMक बदलावक जे प्रभाव भेल अछि तकरा सुनिश्चित करै लेल हमरा मशीनकें पुनः आरंभ करए पड़त। |
03:04 | ई केलाक बाद अइ ट्यूटोरियल पर वापस आबी। |
03:08 | आब हम लिबर ऑफिसमे कन्नड़ प्रोसेसिंग कन्फिगर करब। |
03:14 | Applications, Office आ Libre Office Writer पर क्लिक करी। |
03:27 | हम मुख्य मेन्यूमे Tools आ ऑप्शनमे उप-ऑप्शन पर क्लिक करब। |
03:33 | एतए अहाँ ऑप्शन्स डायलॉग बॉक्स देखब। |
03:37 | अइ बॉक्समे, हम Language Settings आ फेर Languages option पर क्लिक करब। |
03:46 | कॉम्पलेक्स टेक्स्ट लेआउट लेल सक्रिय चेक बॉक्स पर क्लिक करब, जँ ई पहिनहिसँ सलेक्टेड नइँ अछि। |
03:53 | कृपया CTL ड्रॉपडाउनसँ कन्नड़क चुनाव करी। |
04:00 | डिफॉल्ट रूपसँ, ई कन्नड़ लेल अहाँकें लोकल लैंग्वेज सेटिंग सेट क' देत। |
04:04 | OK पर क्लिक करी। |
04:10 | हम आब कन्नड़ आ अंग्रेजीमे एक वाक्य टाइप करब। |
04:15 | हम Baraha पद्धति, Nudi पद्धति आ UNICODE फॉन्टसक उपयोग करब। आ अन्ततः फाइलकें सेव करब। |
04:24 | आब हम एकरा प्रदर्शित करै छी। |
04:27 | उपस्थित टेक्स्ट डॉक्युमेंटमे, Ubuntu GNU/Linux supports multiple languages with Libre Office. टाइप करी। |
04:45 | CONTROL कीकें पकड़िक' राखी आ स्पेस बारकें दाबी। |
04:52 | स्क्रीनक नीचाँ दहिना कात एक टा छोट सन विंडो खुजैत अछि। |
04:56 | साधारण ध्वन्यात्मक पद्धति, जे Baraha पद्धतिक समान अछि, अइमे टेक्स्ट इनपुट करै लेल कन्नड़ KN-ITRANSकें सलेक्ट करी। |
05:05 | जँ Nudi कीबोर्ड लेआउट चाहै छी, त' Kannada – KN KGP पर क्लिक करी। |
05:10 | हम KN-ITRANS इनपुट पद्धतिक उपयोग करब। जे सरल अछि आ तें शुरुआत लेल आसान अछि। |
05:16 | Sarvajanika Tantramsha अंग्रेजीमे टाइप करी।. |
05:27 | अहाँ देखब जे कन्नड़ टेक्स्ट स्क्रीन पर देखा देत। |
05:31 | CONTROL कीकें पकड़िक' राखी आ स्पेस बारकें दाबी। |
05:33 | विंडो गायब भ' जाइत अछि। |
05:35 | आब हम अंग्रेजीमे टाइप करब। |
05:37 | अइ प्रकारें CONTROL की प्लस स्पेस बार हमरा अंग्रेजी आ अन्य चयनित भाषाक बीच जेबामे मदति करैत अछि। |
05:48 | कृपया, arkavathuक उपयोग क' कए Nudiमे टाइपिंग सहित, कन्नड़मे टाइपिंगक बारेमे विशेष जानकारी लेल, [www.Public-Software.in/Kannada] पर उपलब्ध कन्नड़ टेक्स्ट प्रोसेसिंग पर आधारित डॉक्युमेंटकें देखी। |
06:05 | जखन कखनहु हम भारतीय भाषा सभमे टाइपिंग करब, केवल UNICODE फॉन्टक उपयोग करब, कारण, Unicode सर्वत्र स्वीकृत फॉन्ट अछि। |
06:13 | Lohit कन्नड़ Unicode फॉन्ट अछि, जकर उपयोग क' हम रहल छी। |
06:16 | कृपया ध्यान दी जे हम अहाँकें कन्नड़ टेक्स्ट प्रोसेसिंग देखैने छी। |
06:20 | लिबर ऑफिस राइटरक उपयोग क' कए SCIM इनपुट पद्धतिक तहत कोनहु भाषामे टेक्स्ट टाइप करै लेल अही प्रक्रियाक उपयोग कएल जा सकैत अछि। |
06:28 | आब बोध सम्बन्धी दायित्व। |
06:31 | कन्नड़मे तीन टा पोथीक सूची टाइप करी। |
06:33 | पोथीक शीर्षक'क अंग्रेजी लिप्यंतरण प्रदान करी। |
06:37 | हम एतए बोध सम्बन्धी दायित्व पहिनहिसँ तैयार क' देने छी। |
06:42 | सारांश। अइ ट्यूटोरियलमे- |
06:46 | हमरा लोकनि सीखलहुँ जे कीबोर्ड आ भाषा की सेटिंग्स लेल लिबर ऑफिस आ उबंटुकें कोना कन्फिगर करी। |
06:51 | हम इहो देखलहुँ जे विभिन्न पद्धतिमे कोना टाइप करी, उदाहरणस्वरूप Baraha आ Nudi मे। |
06:57 | हमने देखलहुँ जे द्विभाषी डॉक्युमेंट कोना टाइप करी। |
07:00 | अनुवर्ती लिंक पर उपलब्ध विडियो देखी। |
07:03 | एतए अइ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रदर्शित अछि। |
07:06 | जँ अहाँक बैन्ड्विड्थ नीक नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि सकै छी। |
07:11 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग क' कए कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। ऑनलाइन टेस्ट पास करै बला प्रतिभागीकें प्रमाण-पत्र सेहो दैत अछि। |
07:19 | अधिक जानकारी लेल contact @ spoken hyphen tutorial dot org पर संपर्क करी। |
07:26 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा अछि। ई भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय शिक्षा मिशन द्वारा आईसीटीक माध्यमे समर्थित अछि। |
07:35 | अइ मादे अधिक जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hypen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि। |
07:43 | लिबर ऑफिस राइटरमे कैक भाषाक अन्वेषणक आनंद ली। ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि। |
07:47 | आई.आई.टी बॉम्बे दिशसँ उज्ज्वल आलोक संग हम देवशंकर नवीन आब अहाँसे विदा लै छी।धन्यवाद। |