LibreOffice-Suite-Writer/C3/Using-search-replace-auto-correct/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 00:08, 6 May 2018 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
Resources for recording Search And Replace Auto Correct
Time | Narration |
00:00 | लिबर ऑफिस राइटरमे Find आ Replace सुविधा तथा Autocorrect सुविधाक उपयोग सम्बन्धी स्पोकन ट्यूटोरियलमे अपने लोकनिक स्वागत अछि। अछि। |
00:09 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि सीखब-- |
00:12 | Find आ Replace |
00:14 | Spellcheck हिज्जे'क जाँच AutoCorrect (स्व-सुधार)। |
00:17 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे
उबंटु लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी। |
00:26 | आउ आब राइटरमे Find and Replace बटनक मादे जानब शुरुह करै छी। |
00:32 | ई सम्पूर्ण डॉक्युमेंटमे वांछित टेक्स्टक खोज करैत अछि; संगहि ओकरा परिवर्तित करैत अछि। |
00:36 | आउ एक टा उदाहरण संगें अइ मादे अधिक जानकारी ली। |
00:40 | सबसँ पहिने अपन ‘resume.odt’ फाइल खोली। |
00:44 | आब Edit विकल्प पर क्लिक करी आ फेर Find and Replace पर क्लिक करी। |
00:51 | बेराबेरी, स्टैन्डर्ड टूल बारमे अपेखित बटन पर क्लिक करी। |
00:56 | अहाँ देख सकै छी जे एक टा डायलॉग बॉक्समे Search for आ Replace with फील्ड देखाइत अछि। |
01:01 | अहाँ जे टेक्स्ट ताकए चाहै छी, Search for फील्डमे प्रविष्ट करी। |
01:06 | उदाहरणस्वरूप हमरा डॉक्युमेंटमे हरेक ओहि स्थानकें तकबाक अछि जतए Ramesh लिखल अछि। |
01:12 | तें Search For फील्डमे Ramesh टाइप करी। |
01:15 | आब Find All पर क्लिक करी। |
01:19 | अहाँ देख सकै छी जे डॉक्युमेंटमे ओ स'बटा स्थान, जतए Ramesh लिखल अछि, चिह्नांकित भ' गेल अछि। |
01:25 | अहाँ एकरा जइ टेक्स्टसँ बदलए चाहै छी, से Replace with फील्डमे लिखी। |
01:31 | उदाहरणस्वरूप, हम अपन डॉक्युमेंटमे Rameshकें Manishसँ बदलए चाहै छी। |
01:37 | तें हम Replace with टैबमे Manish टाइप करै छी। |
01:41 | आब Replace All पर क्लिक करी। |
01:44 | अहाँ देख सकै छी जे डॉक्युमेंटमे हरेक स्थान पर Ramesh Manishसँ बदलि गेल अछि। |
01:51 | डायलॉग बॉक्सक एकदम नीचाँ, More Options बटन अछि। अइ पर क्लिक करी। |
01:57 | More Options बटनमे specific Find and Replace विकल्पक सूची अछि। |
02:03 | अइमे विकल्प होइत अछि--Backwards जे टेक्स्टकें नीचाँसँ ऊपर दिश तकैत अछि, Current selection only टेक्स्टकें डकुमेझट'क सोझाँ बला भागमे तकैत अछि। |
02:15 | अइमे अन्य एडवांस्ड विकल्प सेहो होइत अछि जेना Regular expressions, Search for Styles आ किछु अन्य। |
02:26 | एतए डायलॉग बॉक्सक दहिना कात तीन अन्य विकल्प अछि। |
02:31 | ई विकल्प थिक-- Attributes, Format आ No Format. |
02:36 | ई उपयोगकर्ताकें विविध प्रकारक एडवांस find (खोज) आ replaceक विकल्प दैत अछि। |
02:41 | आउ एकरा बंद करै छी। |
02:44 | अइ सभक मादे हमरालोकनि आगूक बात एडवांस्ड ट्यूटोरियल्समे जानब। |
02:48 | Find and Replace विशेषताक मादे सीख लेलाक बाद, आब हम सीखब जे लिबर ऑफिस राइटरमे Spellcheck क उपयोग करैत हिज्जे कोना जाँची। |
02:57 | Spellcheck क उपयोग सम्पूर्ण डॉक्युमेंटमे, अथवा चुनल गेल टेक्स्टमे हिज्जेक त्रुटि जाँचै लेल कएल जाइत अछि। |
03:05 | spellcheck कर्सरक वर्तमान स्थितिसँ शुरू होइता अछि आ डॉक्युमेंट अथवा चुनल गेल भागक अंत धरि बढ़ैत अछि। |
03:12 | अहाँ फेर डॉक्युमेंटक प्रारंभसँ हिज्जेक जाँच spellcheck जारी राखि सकै छी। |
03:17 | Spellcheck शब्द सभमे हिज्जेक त्रुटिकें देखैत अछि आ उपयोगकर्ताक शब्दकोशमे कोनो अज्ञात शब्दकें जोड़बाक विकल्प दैत अछि। |
03:26 | आउ देखै छी जे ई कोना लागू होइत अछि। |
03:29 | प्रत्येक भाषा लेल spell check विशेषता भिन्न होइत अछि। |
03:33 | उदाहरणस्वरूप, मेन्यू बारमे Tools विकल्प पर क्लिक करी आ फेर Options पर क्लिक करी। |
03:39 | जे डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि, ओइ मे Language Settings विकल्प पर क्लिक करी आ अंतमे Languages पर क्लिक करी। |
03:47 | User interface विकल्पक अंदर, ई सुनिश्चित क' ली जे डिफॉल्ट विकल्प English USA निर्धारित अछि। |
03:56 | ओकरा नीचाँ Locale setting फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी आ फेर English USA विकल्प पर क्लिक करी। |
04:03 | आब Default languages for documents हेडिंगक अंदर, Western फील्डमे डिफॉल्ट भाषा English India निर्धारित अछि। |
04:12 | सम्भव थिक जे English India मे ओ शब्दकोष नइँ हो जकर अपेक्षा spell checkकें छै, तें हम भाषाकें English USAमे बदलि देब। |
04:21 | तें Western फील्डमे डाउन एरो पर क्लिक करी आ English USA विकल्प पर क्लिक करी। |
04:27 | अंततः OK बटन पर क्लिक करी। |
04:31 | आब हम ई देखबा लेल तैयार छी जे spellcheckक सुविधा, English USA भाषा लेल कोना कार्य करैत अछि। |
04:38 | Spelling and Grammar सुविधाक उपयोग लेल, ई सुनिश्चित करी जे Auto Spell Check विकल्प सक्षम अछि। |
04:45 | तें टूलबारमे जँ Auto Spell Check बटन चालू नइँ अछि त' हम अइ पर क्लिक करै छी। |
04:52 | अपन resume.odt फाइलक अंदर Mother’s Occupation मे, हम housewife लेल husewife गलत हिज्जे टाइप करी आ स्पेसबारकें दाबी। |
05:05 | अहाँ देख सकै छी जे गलत शब्दक ठीक नीचाँ लाल रेखा प्रदर्शित होइत अछि। |
05:10 | आब कर्सरकें husewife शब्द पर राखी आ स्टैन्डर्ड टूल बारमे Spelling and Grammar आइकॉन पर क्लिक करी। |
05:18 | तें हमरा लोकनि फील्डमे देखै छी-- Not in dictionary |
05:22 | गलत हिज्जेक शब्द लालमे चिह्नांकित भेल अछि आ एतए Suggestions बॉक्समे सही शब्द लेल अनेक सुझाव देल गेल अछि, जतएसँ अहाँ सही शब्द चुनि सकै छी। |
05:34 | suggestion बॉक्समे, housewife शब्द पर क्लिक करी आ फेर Change बटन पर क्लिक करी। |
05:40 | छोट-सन डायलॉग बॉक्स जे प्रदर्शित होइत अछि तइमे OK पर क्लिक करी। |
05:44 | अहाँ देख सकै छी जे डॉक्युमेंटमे आब सही हिज्जे प्रदर्शित अछि। |
05:48 | आउ, बदलावकें अन्डू करै छी। |
05:50 | आब Autocorrect नामक एक टा अन्य स्टैन्डर्ड टूल बारक मादे सीखै छी। |
05:56 | AutoCorrect सुविधा Spellcheck क एक्स्टेन्शन थिक। |
06:00 | AutoCorrect मेन्यू बारमे Format विकल्पक ड्रॉप डाउन एरोमे भेटैत अछि।. |
06:06 | अहाँ जाहि तरहक विकल्प निर्धारित करै छी, तही अनुसारें AutoCorrect फाइलकें स्वयमेव फॉर्मेट करैत अछि। |
06:12 | ई ऑप्शन्स AutoCorrect Options पर क्लिक क' कए चुनल जाइत अछि। |
06:18 | AutoCorrect डायलॉग बॉक्स खुजत। |
06:21 | जे टेक्स्ट अहाँ लिखै छी, तकरा AutoCorrect सुविधा स्वमेव सही करैत जाएत। |
06:26 | Options टैबमे अहाँ जे विकल्प चुनै छी, सुधार तदनुसारे होइत अछि। |
06:32 | एतए अनेक AutoCorrect विकल्प होइत अछि, जेना Delete spaces at the end and beginning of paragraph, Ignore double spaces सन-सन कतोक विकल्प। |
06:44 | तें आउ एक उदाहरण सं देखै छी जे ई कोना काज करैत अछि। |
06:48 | अपन resume फाइलमे, हम किछु स्थान पर शब्द सभक बीचमे सिंगल स्पेस आ अन्य स्थान पर सेहो शब्द सभक बीच डबल आ ट्रिपल स्पेस टाइप करी। |
07:02 | आब सम्पूर्ण टेक्स्टकें सलेक्ट करी। |
07:05 | मेन्यू बारमे Format बटन पर क्लिक करी। |
07:09 | फेर ड्रॉप डाउन मेन्यूमे AutoCorrect पर क्लिक करी आ अंततः 'सब मेन्यू'मे AutoCorrect Options पर क्लिक करी। |
07:17 | Options टैब पर क्लिक करी। |
07:20 | आब Ignore double spacesकें सलेक्ट करी आ OK बटन पर क्लिक करी। |
07:26 | अगिला टेक्स्ट जे अहाँ टाइप करब, अहाँकें स्वत: शब्द सभक बीच डबल स्पेस रखबाक अनुमति नइँ देत। |
07:34 | आउ कर्सरकें Manish नामक आगू रखै छी। आब कीबोर्ड पर स्पेस बार (spacebar) कें दू बेर दाबी। |
07:41 | अहाँ देख सकै छी जे कर्सर केवल एक्के स्थान बढ़ल अछि आ टेक्स्टमे डबल स्पेसक अनुमति नइँ द' रहल अछि। |
07:48 | सिंगल स्पेसक बाद, कुलनाम टाइप करी Kumar |
07:53 | एक शब्द अथवा एक एब्रिविएशनकें अधिक सार्थक अथवा नमहर टेक्स्ट संगें बदलबाक सामर्थ्य सेहो AutoCorrectमे होइ छै। |
08:02 | ई नमहर शब्द लेल संक्षिप्त रूप बना कए टाइप करबाक मेहनतसँ बचबैत अछि। |
08:09 | उदाहरणस्वरूप, हमर resume.odt फाइलमे, किछु शब्द-समूह अथवा शब्द भ' सकैत अछि, जे डॉक्युमेंटमे बेर-बेर अबैत अछि। |
08:19 | ओइ वाक्य अथवा शब्दकें बेर-बेर टाइप करब मेहनतिया भ' सकैत अछि। |
08:24 | मानि लिअ' जे हम अपने डॉक्युमेंटमे This is a Spoken Tutorial Project टेक्स्ट बेर-बेर टाइप करए चाहै छी। |
08:31 | त' हम एक टा एब्रिविएशन बना सकै छी, जे सीधे हमर अपेक्षित टेक्स्टमे बदलि जाएत। |
08:38 | तें आउ, देखी जे कोना कोनो एब्रिविएशन, जेना stp स्वत: Spoken Tutorial Projectमे बदलि जाइत अछि। |
08:46 | आब मेन्यू बारमे Format विकल्प पर क्लिक करी, फेर AutoCorrect विकल्प पर जाइ आ फेर AutoCorrect Options पर क्लिक करी। |
08:57 | डायलॉग बॉक्स जे प्रदर्शित करैत अछि, ओइमे Replace टैब पर क्लिक करी। |
09:02 | जाँची जे हमर चुनल भाषा English USA अछि। |
09:06 | आब Replace फील्डमे आबी, एब्रिविएशन, जकरा हम बदलए चाहै छी stp टाइप करी। |
09:14 | With फील्ड में, हम बदलल टेक्स्ट Spoken Tutorial Project टाइप करी। |
09:20 | डायलॉग बॉक्समे New बटन पर क्लिक करी। |
09:24 | अहाँ देख सकै छी जे ई बदलाव सूचीमे प्रविष्ट भ' अछि। |
09:28 | आब OK बटन पर क्लिक करी। |
09:31 | आब जहिना हम टेक्स्ट लिखब This is a stp आ स्पेस बार दबाएब, कि अहाँ देखब जे stp एब्रिविएशन Spoken Tutorial Projectमे बदलि जाइत अछि। |
09:43 | जँ एकहि टेक्स्ट कोनो डॉक्युमेंटमे कैक बेर दोहराओल जाए, त' ई सुविधा बहुत लाभदायक होइत अछि। |
09:49 | आउ, आब बदलावकें अन्डू करै छी। |
09:52 | आब हम लिबर ऑफिस राइटर पर स्पोकन ट्यूटोरियलक समाप्ति दिश छी। |
09:57 | संक्षेपमे हमरा लोकनि सिखलहुँ-- |
10:00 | Find and Replace Spell check |
10:02 | AutoCorrect. |
10:04 | आब बोधपूर्ण विशिष्ट कार्य। |
10:06 | राइटरमे This is a new document. The document deals with find and replace टेक्स्ट लिखी। |
10:15 | आब अपन टेक्स्टमे document शब्द ताकी आ file शब्दसँ एकरा बदली। |
10:21 | अपन डॉक्युमेंटमे text शब्द क हिज्जे t x tसँ बदली। |
10:27 | textमे हिज्जेकें सही करै लेल Spellcheck सुविधाक उपयोग करी। |
10:31 | English(USA)कें अपन डिफॉल्ट भाषाक रूपमे उपयोग करी। |
10:36 | AutoCorrect सुविधाक उपयोग क' कए, This is LibreOffice Writer टेक्स्ट लेल एक टा एब्रिविएशन TLW बनाबी आ एकर कार्यान्वयन देखी। |
10:48 | अनुवर्ती लिंक पर उपलब्ध विडियोमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश अछि। |
10:55 | जँ अहाँ लग बढ़ियाँ बैन्ड्विड्थ नइँ अछि त' एकरा डाउनलोड क' कए सेहो देखि सकै छी। |
10:59 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट, स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग क' कए कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार व्यक्तिकें प्रमाण-पत्र सेहो देल जाइत अछि। . |
11:09 | अधिक जानकारी लेल कृपया संपर्क करी--
contact [at] spoken hypen tutorial dot org. contact@spoken-tutorial.org |
11:15 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थिक। |
11:19 | ई ‘आईसीटीक माध्यमे भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय साक्षरता मिशन’ द्वारा समर्थित अछि। |
11:27 | अइ विषयमे अधिक जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hypen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि। |
11:38 | ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि।
आई.आई.टी बॉम्बे दिशसँ उज्ज्वल आलोक संग हम देवशंकर नवीन आब अपने लोकनिसँ विदा लै छी। धन्यवाद। |