LibreOffice-Suite-Writer/C2/Typing-text-and-basic-formatting/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 12:49, 11 April 2018 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
Time | Narration |
00:01 | लिबर ऑफिस राइटर'क टेक्स्ट टाइपिंग आ बेसिक फॉर्मेटिंग'क अइ ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि। |
00:07 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि सीखब-- |
00:10 | राइटरमे टेक्स्ट एलाइन करब |
00:12 | बुलेट्स देब आ नम्बरिंग करब |
00:14 | राइटरमे कट, कॉपी, पेस्ट करब। |
00:18 | बोल्ड, अंडरलाइन आ इटालिक्स करब। |
00:21 | राइटरमे फॉन्ट नेम, फॉन्ट साइज, फॉन्ट कलर बदलब। |
00:26 | डॉक्युमेंट्समे अइ विशेषता सभक उपयोग क' कए प्लेन टेक्स्ट डॉक्युमेंट्स'कें पढ़बा लेल अपेक्षाकृत अधिक आकर्षक आ अधिक सरल बनाउ। |
00:36 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे GNU/लिनक्स आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4. क उपयोग क' रहल छी |
00:47 | हम पहिने राइटरमे एलाइनिंग टेक्स्ट'क बारेमे सीखब। |
00:50 | अहाँ राइटरमे अपन पसिन'क कोनो डॉक्युमेंट ओपन क' सकै छी आ अइ विशेषताकें कार्यान्वित क' सकै छी। |
00:57 | चूँकि पछिला ट्यूटोरियलमे हम पहिनहिसँ resume.odt नामक फाइल बना चुकल छी। तें हम अइ फाइलकें ओपन करब। |
01:08 | हम पहिनहिसँ RESUME शब्द टाइप केने छी आ अइ पेज'क मध्य'मे एलाइन केने छी। |
01:14 | तें चलू शब्द चुनू आ Align Left पर क्लिक करू। अहाँ देखब जे RESUME शब्द लेफ्ट-एलाइन भ' गेल अछि। अर्थात ई डॉक्युमेंट पेज'क बामा कात आबि गेल अछि। |
01:25 | जँ हम Align Right पर क्लिक करै छी, त' अहाँ देखब जे RESUME शब्द आब पेजक दहिना कात एलाइन भ' गेल अछि। |
01:32 | जँ हम Justifyपर क्लिक करै छी, त' अहाँ देखब जे RESUME शब्द आब अइ तरहें एलाइन भ' गेल अछि जे टेक्स्ट पेज'क दहिना आ बामा हाशियाक मध्य समान रूपें अछि। |
01:44 | अहाँ लग टेक्स्ट'क लाइन अथवा पैराग्राफ हो, त' ई विशेषता बेसी स्पष्ट होइत अछि। |
01:51 | एकरा अन्डू करै छी । |
01:54 | जखन स्वतंत्र प्वॉइंट लिखल जाइत अछि तखन बुलेट्स आ क्रमांकन'क उपयोग होइत अछि । |
01:58 | प्रत्येक प्वॉइंट बुलेट आ क्रमांकसँ शुरू करू। |
02:02 | अइ तरहें डॉक्युमेंटमे लिखल गेल विविध प्वॉइंट्स'क बीच भेद क' सकै छी। |
02:07 | मेन्यू बारमे पहिने Format विकल्प पर क्लिक क' कए आ फेर Bullets and Numbering पर क्लिक क' कए एना कएल जाइत अछि। |
02:15 | Bullets and Numbering विकल्प पर क्लिक केला'क बाद अहाँ जे डॉयलॉग बॉक्स देखै छी,सँ अहाँकें विविध टैब्समे विविध स्टाइल देखएत; जकरा अहाँ अपन डॉक्युमेंटमे लागू क' सकै छी। |
02:26 | Numbering विकल्प'क चुनाव ओही तरहें होइत अछि आ प्रत्येक लाइन न'ब क्रमांकसँ शुरुह हएत। |
02:34 | तें चलू Numbering type स्टाइल'क अंतर्गत दोसर स्टाइल पर क्लिक करै छी। |
02:40 | आब OK बटन पर क्लिक करू। |
02:42 | आब अहाँ अपन पहिल स्टेटमेंट टाइप करै लेल तैयार छी। |
02:46 | चलू टाइप करू-NAME: RAMESH |
02:50 | आब स्टेटमेंट टाइप केला'क बाद Enter बटनकें दबाउ, अहाँ देखब जे न'ब बुलेट प्वॉइंट अथवा न'ब अगिला नम्बर आबि गेल अछि। |
03:05 | एतए अहाँ द्वारा चुनल प्रारूप'क अनुसार बुलेट्स'क भीतर बुलेट्स आ नम्बर'क भीतर नम्बर भ' सकैत अछि। |
03:13 | तें हम रिज्यूम मे दोसर स्टेटमेंट FATHER’S NAME colon MAHESH टाइप करै छी। |
03:20 | फेरसँ Enter बटन दबाउ आ MOTHER’S NAME colon SHWETA टाइप करू। |
03:27 | अही तरहें हम अलग प्वॉइंट्स'क रूपमे FATHERS OCCUPATION colon GOVERNMENT SERVANT आ MOTHERS OCCUPATION colon HOUSEWIFE टाइप करब। |
03:39 | बुलेट्स लेल इंडेंट बढ़ेबा-घटेबा लेल अहाँ क्रमानुसार टैब आ शिफ्ट बटन'क उपयोग क' सकै छी। |
03:47 | Bullets and Numbering विकल्प बंद करै लेल पहिने कर्सर HOUSEWIFE शब्द'क आगू राखू आ पहिने एंटर बटन दबाउ आ फेर Bullets and Numbering डॉयलॉग बॉक्समे Numbering Off विकल्प पर क्लिक करू। |
04:03 | अहाँ देखब जे आगू अहाँ जे टाइप करए चाहै छी, ओइ टेक्स्ट लेल आब बुलेट उपलब्ध नइँ अछि। |
04:10 | ध्यान दी जे अपन डॉक्युमेंटमे हम NAME शब्द दू बेर टाइप केने छी। |
04:14 | फेरसँ ओएह टेक्स्ट टाइप करैक बदला हम राइटरमे Copy आ Paste विकल्पक उपयोग क' सकै छी। |
04:21 | त' चलू सीखै छी जे ई कोना करी। |
04:24 | आब हम MOTHER’S NAME टेक्स्टसँ NAME शब्द डिलीट क' दै छी आ कॉपी-पेस्ट विकल्पक उपयोग क' कए NAME शब्द फेरसँ लिखै छी। |
04:33 | NAME शब्द'क संग कर्सर ड्रैग करैत पहिने FATHER’S NAME टेक्स्टमे NAME शब्दकें सलेक्ट करै छी। |
04:40 | आब माउस पर राइट क्लिक करू आ Copy (कॉपी) विकल्प पर क्लिक करू। |
04:45 | MOTHER’S शब्द'क आगू कर्सर रखू। |
04:48 | फेरसँ माउस पर राइट क्लिक करू आ पेस्ट विकल्प पर क्लिक करू। |
04:54 | अहाँ देखब जे NAME शब्द स्वयमेव ओतए पेस्ट भ' गेल अछि। |
04:57 | एतए अइ विकल्प लेल शार्टकट बटन सेहो अछि---कॉपी करै लेल CTRL+C आ पेस्ट करै लेल CTRL+V. |
05:08 | डॉक्युमेंट्समे बेसी मात्रामे समान टेक्स्ट लिखबाक हो, त' ई विशेषता बहुत उपयोगी अछि, एतए अहाँकें पूरा टेक्स्ट फेरसँ लिखबाक आवश्यकता नइँ अछि। |
05:19 | डॉक्युमेंटमे एक जगहसँ उठा कए दोसर जगह टेक्स्ट रखबा लेल सेहो अहाँ कट आ पेस्ट विकल्पक उपयोग क' सकै छी। |
05:26 | देखै छी जे ई कोना करी। |
05:29 | चलू पहिने MOTHER’S शब्द'क आगूसँ NAME शब्द डिलीट करी। |
05:34 | अइ शब्दकें कट आ पेस्ट करै लेल पहिने FATHERS NAME स्टेटमेंटमेसँ NAME शब्द कें सलेक्ट करू। |
05:40 | माउस पर राइट क्लिक करू आ फेर Cut विकल्प पर क्लिक करू। ध्यान दी जे FATHER'S शब्द'क आगू आब NAME शब्द नइँ अछि, अर्थात् ई कट या डिलीट भ' गेल अछि। |
05:54 | आब MOTHER’S शब्द'क आगू कर्सर राखू आ माउस पर राइट क्लिक करू। |
05:59 | Paste विकल्प पर क्लिक करू। |
06:02 | अहाँ देखब जे आब शब्द एतए MOTHER'S शब्द'क आगू पेस्ट भ' गेल अछि। |
06:07 | कट लेल CTRL+X शार्टकट की थिक। |
06:11 | चूँकि, टेक्स्टकें कॉपी आ कट करै' मे एतबे अंतर अछि जे Copy विकल्पसँ ओ शब्द जतएसँ कॉपी कएल गेल अछि, ओइ मूल स्थान पर सेहो बनल रहैत अछि, जखन कि Cut विकल्प एकरा मूल स्थानसँ पूर्णरूपेण हटा दैत अछि। |
06:27 | चलू name शब्द Father’s' क आगू पेस्ट करू आ आगू जारी रहू। |
06:31 | एक टा न'ब हेडिंग टाइप करू, जेना- EDUCATION DETAILS. |
06:35 | राइटरमे Bullets and Numbering क बारेमे सीखला'क बाद आब हम सीखब जे कोनो टेक्स्टक Font name आ Font size कोना बदली अथवा लागू करी। |
06:45 | ऊपर फार्मेट टूलबारमे Font Name नामक एक स्थान अछि। |
06:52 | फॉन्ट नेम सामान्यतया डिफॉल्ट रूपें Liberation Serif क रूपमे सेट कएल रहैत अछि। |
06:57 | टेक्स्टमे अहाँक इच्छानुसार फॉन्ट'क प्रकार बदलै लेल फॉन्ट नेमक उपयोग कएल जाइत अछि। |
07:04 | उदाहरणस्वरूप चलू अलग फॉन्ट स्टाइल आ फॉन्ट साइजमे Education Details हेडिंग दै छी। |
07:11 | त' पहिने टेक्स्ट Education details सलेक्ट करू, फेर Font Name स्थानमे डाउन ऐरो पर क्लिक करू। |
07:19 | ड्रोप डाउन मेन्यूमे अहाँ फॉन्ट नेम विकल्प'क अनेक प्रकार देखब। |
07:25 | Liberation Sans ताकू आ अइ पर क्लिक करू। |
07:29 | अहाँ देखब जे चयनित टेक्स्टक फॉन्ट बदलि गेल अछि। |
07:34 | Font Name'क ल'गे मे Font Size अछि। |
07:38 | जेना कि नामे सँ पता चलैत अछि जे-- Font Size क उपयोग चयनित टेक्स्ट अथवा न'ब टेक्स्ट, जे अहाँ टाइप करए चाहै छी; तकर फोण्ट साइज़कें घटबै बढ़बै लेल कएल जाइत अछि। । |
07:52 | तें हम पहिने टेक्स्ट EDUCATION DETAILS सलेक्ट करै छी। |
07:55 | फॉन्ट साइज एखन 12 देखा रहल अछि। |
07:58 | आब Font Size फील्डमे डाउन ऐरो पर क्लिक करू आ फेर 11 पर क्लिक करू। |
08:05 | अहाँ देखब जे टेक्स्टक फॉन्ट साइज कम भेल अछि। |
08:09 | अही तरहें फॉन्ट साइज बढ़ाओल जा सकैत अछि। |
08:13 | फॉन्ट साइज'क मादे जानकारी प्राप्त केलाक बाद हम देखब जे राइटरमे फॉन्ट'क कलर कोना बदली। |
08:21 | डॉक्युमेंट अथवा टंकित पंक्तिक टेक्स्ट के रंग बदलबा लेल Font Color क उपयोग कएल जाइत अछि। |
08:27 | उदाहरणस्वरूप, चलू EDUCATION DETAILS हेडिंग कें रंगीन करू। |
08:32 | अइ लेल फेरसँ EDUCATION DETAILS टेक्स्ट कें सलेक्ट करू। |
08:36 | आब टूल बारमे Font Color विकल्पमे डाउन ऐरो पर क्लिक करू आ फेर टेक्स्टमे Light green कलर लागू करै लेल लाइट ग्रीन बॉक्स पर क्लिक करू। |
08:48 | अहाँ देखब जे हेडिंग आब हरियर रंग'क भ' गेल अछि। |
08:52 | फॉन्ट साइज विकल्प'क आगुए मे अहाँ Bold Italic आ Underline नामक तीन टा विकल्प देखब। |
09:00 | जेना कि नामहि सँ स्पष्ट अछि, ई अहाँक टेक्स्ट कें bold अथवा italic अथवा underlined करत। |
09:07 | त' पहिने हेडिंग EDUCATION DETAILS कें सलेक्ट करू। |
09:11 | आब टेक्स्टकें बोल्ड करै लेल 'Bold' आइकन पर क्लिक करू। |
09:15 | अहाँ देखब जे चयनित टेक्स्ट बोल्ड भ' गेल अछि। |
09:19 | अही तरहें जँ अहाँ Italic आइकन पर क्लिक करै छी त' ई टेक्स्ट italic मे बदलि जाइत अछि। |
09:25 | Underline पर क्लिक करू। |
09:26 | 'Underline' आइकन पर क्लिक केला पर अहाँक टेक्स्ट अंडरलाइन हएत। |
09:31 | अहाँ देखब जे चयनित टेक्स्ट आब अंडरलाइन भ' गेल अछि। |
09:35 | हेडिंगकें bold आ underlined रखै लेल, अइ पर फेरसँ क्लिक क' कए italic विकल्प कें डीसलेक्ट करू आ अन्य दुनू विकल्प कें सलेक्टेड रहए दिअ'। |
09:45 | ई हेडिंग आब बोल्ड'क संगे संग अंडरलाइन्ड सेहो भ' गेल अछि। |
09:50 | लिबर ऑफिस राइटर पर आब हम स्पोकन ट्यूटोरियलक समाप्ति दिश छी। |
09:55 | संक्षेप में, हमरा लोकनि -- |
09:57 | राइटरमे टेक्स्ट एलाइन करब |
10:00 | बुलेट्स आ नम्बरिंग करब |
10:02 | राइटरमे कट, कॉपी आ पेस्ट करब |
10:05 | Bold, Underline आ Italic करब |
10:09 | राइटरमे Font name (फॉन्ट नेम), Font size(फॉन्ट साइज), Font color(फॉन्ट कलर) तय करब सिखलहुँ। |
10:13 | आब बोध सम्बन्धी दायित्व। |
10:16 | bullets आ numbering कें सक्रिय करू। |
10:18 | स्टाइल'क चुनाव करू आ किछु प्वॉइंट लिखू। |
10:22 | किछु टेक्स्ट सलेक्ट करू आ एकर फॉन्ट नेम Free Sans मे राखू आ फॉन्ट साइजकें ‘‘‘16’‘‘ प्वादण्टमे बदलू। |
10:29 | टेक्स्ट कें Italics मे करू। |
10:32 | फॉन्ट कें लाल-रंगमे बदलू। |
10:35 | निम्नांकित लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू। |
10:38 | ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांश प्रस्तुत करैत अछि। |
10:41 | जँ अहाँक बैन्ड्विड्थ नीक नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि सकै छी। |
10:46 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम, स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग द्वारा कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। |
10:52 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहर व्यक्तिकें प्रमाण-पत्र सेहो दैत अछि। |
10:55 | अधिक जानकारी लेल कृपया contact@spoken-tutorial.org पर लिखी। |
11:02 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा । |
11:06 | ई भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय शिक्षा मिशन द्वारा आईसीटीक माध्यमे समर्थित अछि। |
11:14 | अइ मिशन पर अधिक जानकारी |
11:18 | 'spoken hyphen tutorial dotorg slash NMEICT hyphen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि। |
11:25 | ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि। आई आई टी बॉम्बे दिशसँ उज्ज्वल आलोक'क संग हम देवशंकर नवीन आब अहाँ सबसँ विदा लै छी। |
11:30 | धन्यवाद। |