LibreOffice-Suite-Writer/C4/Headers-Footers-and-notes/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 04:13, 11 April 2018 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
VISUAL CUE | NARRATION |
00:00 | लिबर ऑफिस राइटरमे हेडर्स, फुटर्स आ एंडनोट्स विषय पर स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि। |
00:07 | अइ ट्यूटोरियलमे हम सीखब जे : |
00:09 | डॉक्युमेंटमे हेडर्स कोना प्रविष्ट करी। |
00:12 | डॉक्युमेंटमे फुटर्स कोना प्रविष्ट करी। |
00:15 | पहिल पेजसँ हेडर्स कोना हटाबी। |
00:19 | डॉक्युमेंटमे फुटनोट आ एंडनोट कोना प्रविष्ट करी। |
00:24 | एतए हम उबन्टु लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग कर रहल छी। |
00:33 | लिबरऑफिस अहाँकें डॉक्युमेंटमे पेज संख्या जोड़बाक अनुमति दैत अछि। |
00:38 | हमरा लोकनि अपन resume.odt फाइल खोलब। |
00:42 | फुटरमे पेज नम्बर प्रविष्ट करबा लेल, हम पहिल पेज पर क्लिक करब, जतए हम फुटर प्रविष्ट करए चाहै छी। |
00:49 | तें डॉक्युमेंट पेज पर क्लिक करू। |
00:51 | आब मेन्यू बारमे Insert विकल्प पर क्लिक करू आ फेर Footer विकल्प पर क्लिक करू।। |
00:58 | आब, Default विकल्प पर क्लिक करू। |
01:01 | हम देखब, जे पेजक सबसँ नीचलका भागमे फुटर जुड़ि गेल अछि। |
01:06 | फुटरमे पेज नम्बर प्रदर्शित करबा लेल, हम पहिने Insert विकल्प पर क्लिक करब। |
01;12 | फेर Fields विकल्प पर क्लिक करब। |
01:15 | अहाँ देखि सकै छी जे एतए कैक टा फुटर विकल्प प्रदर्शित अछि। |
01;19 | डॉक्युमेंटमे पेज नम्बर प्रविष्ट करबा लेल Page Number पर क्लिक करू। |
01:24 | तुरंते, हम देखै छी जे फुटरमे नम्बर 1 प्रदर्शित होइत अछि। |
01:29 | पेज नम्बर विभिन्न शैलीमे देबा लेल, page number पर डबल क्लिक करू। |
01:35 | हम देखै छी जे स्क्रीन पर Edit Fields: Document डायलॉग बॉक्स देखाइ अछि। |
01:41 | Format विकल्पक नीचाँ, अहाँ कैक टा प्रारूप देखब—जेना कैपिटल लेटरमे A B C, स्मॉल लेटरमे a b c, अरेबिक मे 1 2 3 आ आनो प्रारूप देखब। |
01:53 | एतए अहाँ अपन पसिन'क अनुसार पेज नम्बरक शैली चुनि सकै छी। |
01:58 | हम Roman शैली'क i, ii, iii विकल्प चुनब आ फेर OK बटन पर क्लिक करब। |
02:05 | अहाँ देखै छी जे पेजमे नम्बर क प्रारूप बदलैत अछि। |
02:09 | अही तरहें, हम डॉक्युमेंटमे हेडर प्रविष्ट क' सकै छी। |
02:13 | पहिल पेज पर क्लिक करू, जतए हेडर प्रविष्ट हेबाक चाही। |
02:17 | Insert मेन्यू पर क्लिक करू आ फेर Header विकल्प पर क्लिक करू। |
02:23 | Default विकल्प पर क्लिक करू। |
02:26 | अहाँ देखै छी जे हेडर सबसँ ऊपर पेजमे प्रविष्ट भ' गेल अछि। |
02:30 | हेडरमे दिनाँक प्रविष्ट करबा लेल, Insert पर क्लिक करू आ फेर Fields विकल्प पर क्लिक करू। |
02:37 | साइड मेन्यूमे, जे प्रदर्शित अछि, तै'मे Date विकल्प पर क्लिक करू। |
02:42 | दिनाँक हेडरमे प्रदर्शित होइत अछि। |
02:45 | date पर डबल-क्लिक करब; त' समस्त संभव प्रारूप देखाएत, जइ'मे दिनाँक प्रदर्शित भ' सकैत अछि। |
02:51 | एतए हम 31 Dec, 1999 चुनब आ OK पर क्लिक करब। |
02:58 | आब, मेन्यू बारमे File मेन्यू पर क्लिक करू आ फेर Page preview विकल्प पर क्लिक करू। |
03:05 | डॉक्युमेंट कें 50% धरि जूम करू। |
03:09 | आब हम पेजमे सबसँ ऊपर Date देखि सकै छी आ सबसँ नीचाँ पेज नम्बर। |
03:15 | ई प्रक्रिया डॉक्युमेंटक स'ब पेज पर दोहराओल जाएत। |
03:19 | मूल डॉक्युमेंटमे वापस जाइ लेल, Close Preview बटन पर क्लिक करू। |
03:25 | अहाँ हेडर अथवा फुटर ढाँचासँ संबंधित टेक्स्टक स्पेसकें व्यवस्थित सेहो क' सकै छी। |
03:30 | अथवा हेडर/फुटरमे बॉर्डर लागू कर सकै छी। |
03:34 | मेन्यू बारमे Format विकल्प पर क्लिक करू आ फेर Page पर क्लिक करू। |
03:40 | डायलॉग बॉक्समे Footer टैब चुनू। |
03:43 | स्पेसिंग विकल्प कें सेट करू। एकर उपयोगसँ अहाँ Left margin 1.00 cm धरि सेट क' सकै छी। |
03:52 | फुटरमे बॉर्डर अथवा शैडो जोड़ै लेल, पहिने More विकल्प पर क्लिक करू आ फेर विकल्प'क वेल्यू सेट करू, जे अहाँ फुटरमे राखए चाहै छी। |
04:03 | उदाहरणस्वरूप, फुटरमे शैडो शैली देबा लेल, हम Cast Shadow to Top Right आइकन पर क्लिक करै छी। |
04;10 | Shadow style विकल्पक Position टैब के नीचाँमे कैक टा आइकन्स देखइत अछि। |
04:18 | अहाँ हेडर'क कलर आ शैडो सेहो चुनि सकै छी। |
04:23 | प्रत्येक उपलब्ध विकल्पक बारेमे अधिक जानकारी लेल अइ डायलॉग बॉक्सक अन्वेषण करू। |
04:28 | आब OK पर क्लिक करू। |
04:30 | फेरसँ OK पर क्लिक करू। हम देखै छी जे फुटरमे प्रभाव जुड़ि गेल अछि। |
04;36 | अगिला प्रक्रिया मे जाइसँ पहिने अपन डॉक्युमेंटमे अन्य पेज जोड़ू। |
04:41 | ई Insert >> Manual Break क्लिक क' कए आ Page break विकल्प चुनि कए कएल जाइत अछि। |
04:47 | फेर OK पर क्लिक करू। |
04:50 | ध्यान दी जे पेज नम्बर 2 प्रदर्शित होइत अछि। |
04:54 | जँ अहाँ डॉक्युमेंटक पहिल पेज पर फुटर नइँ चाहै छी, त' पहिने, पहिल पेज पर कर्सर राखू। |
05:01 | फेर मेन्यू बारमे Format पर क्लिक करू आ Styles and Formatting विकल्प पर क्लिक करू। |
05:08 | आब जे डायलॉग बॉक्स सोझाँ अछि, तइ मे, सबसँ ऊपर चारिम आइकन पर क्लिक करू, जे Page Styles अछि। |
05:16 | फेर First Page विकल्प पर राइट-क्लिक करू। |
05:20 | New विकल्प पर क्लिक करू आ फेर Organiser टैब पर क्लिक करू। |
05:25 | Name फील्ड में, हम न'ब शैलीक नाम टाइप क' सकै छी, जे हम प्रविष्ट करए चाहै छी। |
04:30 | तें एतए, हम new first page नाम टाइप करब। |
05:35 | Next Style Default क रूपमे सेट करू। |
05:38 | आब डायलॉग बॉक्समे Footer टैब पर क्लिक करू। |
05:42 | जँ ई डिफॉल्टसँ अनचेक नइँ होइत अछि, त' Footer on चेकबॉक्स कें अनचेक करू। |
05:48 | अंततः,OK बटन पर क्लिक करू। |
05:51 | हम वापस स्टाइल्स आ फॉर्मेटिंग डायलॉग बॉक्स पर आबि गेल छी। |
05:55 | ध्यान दी जे new first page शैली Page Styles विकल्पक नीचाँ देखाइ दैत अछि। |
06:01 | आब new first page पर डबल-क्लिक करू। |
06:04 | अहाँ देखै छी जे एतए पहिल पेजकें छोड़ि डॉक्युमेंटक समस्त पेज पर फुटर अछि। |
06:11 | अहिना, अहाँ समस्त उपलब्ध डिफॉल्ट शैली पर बदलाव क' सकै छी आ से, डॉक्युमेंटक प्रत्येक पेज पर लागू कर सकै छी। |
06:19 | डायलॉग बॉक्स कें बंद करू। |
06:22 | आब, लिबर ऑफिसमे फुटनोट्स आ एंडनोट्सक बारेमे सीखै छी। |
06:27 | फुटनोट्स, पेजमे सबसँ नीचाँ देखाइ दैत अछि, जइ मे ओ उल्लिखित होइत अछि। |
06:31 | जखन कि एंडनोट्स, डॉक्युमेंटक अंतमे एकत्र होइत अछि। |
06:35 | कर्सरक वर्तमान अवस्था पर नोट लेल, एंकर प्रविष्ट होइत अछि। |
06:40 | अहाँ automatic numbering अथवा a custom symbol क बीच कोनो विकल्प चुनि सकै छी। |
06:45 | अइ विकल्प पर जाइ लेल, पहिने मेन्यू बारमे Insert विकल्प पर क्लिक करू। |
06:51 | फेर Footnote/Endnote विकल्प पर क्लिक करू। |
06:55 | अहाँ देखै छी जे Numbering आ Type नामक हेडिंग्स संगें स्क्रीन पर एक टा डायलॉग बॉक्स देखाइ दैत अछि। |
07:02 | एतए,Automatic, Character”, Footnote आ Endnote नामक चेकबॉक्स सभ अछि। |
07:08 | Numbering अहाँकें नम्बरक प्रकार चुनबाक अनुमति दैत अछि, जे अहाँ फुटनोट्स आ एंडनोट्स लेल उपयोग करए चाहै छी। |
07:15 | Automatic विकल्प स्वतः फुटनोट्स या एंडनोट्सक क्रमानुगत नम्बर निर्दिष्ट करैत अछि जे अहाँ प्रविष्ट करै छी। |
07:24 | डायलॉग बॉक्स बंद करू। |
07:26 | स्वतः नम्बरिंग के सेटिंग बदलबा लेल, मेन्यू बारमे Tools विकल्प पर क्लिक करू। |
07:33 | आ फेर Footnotes/Endnotes पर क्लिक करू। |
07:37 | अहाँक समक्ष AutoNumbering आ Styles लेल स्वचलित विकल्प सेटिंग हएत। |
07:42 | अपन आवश्यकतानुसार अइ विकल्पमेसँ चुनाव करू आ OK बटन पर क्लिक करू। |
07:49 | Insert आ Footnote/Endnote विकल्प पर वापस आउ। |
07:54 | वर्तमान फुटनोट के अक्षर अथवा चिह्नकें परिभाषित करबा लेल Character विकल्पक उपयोग कएल जाइत अछि। |
08:00 | ई अक्षर अथवा नम्बर, किछु भ' सकैत अछि। |
08:03 | एक विशिष्ट अक्षर निर्दिष्ट करबा लेल, character फील्डक नीचाँ के बटन पर क्लिक करू। |
08:09 | आब कोनो विशिष्ट अक्षर पर क्लिक करू, जे अहाँ प्रविष्ट करए चाहै छी आ फेर OK बटन पर क्लिक करू। |
08:17 | अपन पसिन कें स्पष्ट करबा लेल Type हेडिंग के नीचाँ Footnote अथवा Endnote विकल्प पर क्लिक करू। |
08:24 | एतए हम Numbering के नीचाँ Automatic आ Type के नीचाँ Footnote चुनब। |
08:29 | आब, OK बटन पर क्लिक करू। |
08:32 | अहाँ देखै छी जे फुटनोट फील्ड डिफॉल्ट रूपसँ संख्यात्मक वेल्यू संगें पेजमे सबसँ नीचाँ देखाइ दैत अछि। |
08:39 | अहाँ फुटनोट फील्डमे This is the end of first page टेक्स्ट लिख सकै छी। |
08:45 | आब फेर कीबोर्ड पर Enter बटन दबाउ। |
08:48 | अहाँ पेज के तल पर टेक्स्ट संगें आवश्यक फुटनोट देखि सकै छी। |
08:55 | अन्यथा, अहाँ डॉक्युमेंटक तल पर कोनो एंडनोट प्रविष्ट क' सकै छी। |
09:00 | आब हमरा लोकनि लिबरऑफिस राइटर पर स्पोकन ट्यूटोरियलक अंतमे आबि गेल छी। |
09:04 | संक्षेप में, हम सीखलहुँ, जे... |
09:06 | डॉक्युमेंट्समे हेडर्स कोना प्रविष्ट करी। |
09:09 | डॉक्युमेंट्समे फुटर्स कोना प्रविष्ट करी। |
09:12 | पहिल पेजसँ हेडर्स कोना हटाबी। |
09:15 | डॉक्युमेंट्समे फुटनोट आ एंडनोट कोना प्रविष्ट करी। |
09:19 | आब बोध सम्बन्धी दायित्व। |
09:22 | practice.odt फाइल खोलू। |
09:25 | डॉक्युमेंटमे हेडर आ फुटर जोड़ू। |
09:28 | हेडरमे author नाम प्रविष्ट करू। |
09:31 | फुटरमे Page Count प्रविष्ट करू। |
09:35 | जतए पेज समाप्त होइत अछि, ओतए एक टा एंडनोट जोड़ू। |
09:39 | डॉक्युमेंटक पहिल पेजसँ हेडर हटाउ। |
09:43 | निम्नांकित लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू। |
09:46 | ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांश प्रस्तुत करैत अछि। |
09:49 | जँ अहाँक बैन्ड्विड्थ नीक नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि सकै छी। |
09:54 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम, |
09:56 | स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग द्वारा कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। |
10;00 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहर व्यक्तिकें प्रमाण-पत्र सेहो दैत अछि। |
10:04 | अधिक जानकारी लेल कृपया contact [at] spoken hyphen tutorial dot org पर लिखी। |
10:10 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थिक। |
10;15 | ई भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय शिक्षा मिशन द्वारा आईसीटीक माध्यमे समर्थित अछि। |
10:22 | अइ मिशन पर अधिक जानकारी |
10:25 | *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि। |
10:33 | ई स्क्रिप्ट उज्ज्वल आलोक एवं कुमारी सीमा द्वारा अनूदित अछि, आई.आई.टी बॉम्बे दिशसँ हम देवशंकर नवीन आब अहाँ सभसँ विदा लै छी। धन्यवाद। |