LibreOffice-Suite-Calc/C3/Images-and-Graphics/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
| Time | Narration |
| 00:00 | लिबर ऑफिस कैल्क मे इमेज अर्थात चित्र प्रविष्ट करै पर स्पोकन ट्यूटोरियल मे अहाँक स्वागत अछि। |
| 00:06 | अहि ट्यूटोरियल मे हम सीखब |
| 00:09 | डॉक्युमेंट मे इमेज (चित्र) फाइल प्रविष्ट कनै। |
| 00:13 | उदाहरणस्वरुपक- jpeg, png आ bmp. |
| 00:19 | एतए हमसब उबंटू लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्ज़न 3.3.4इस्तेमाल क रहल छी। |
| 00:28 | स्प्रैडशीट मे इमेजेस के क्लिपबोर्डक’ मदद सँ ग्राफिक्स प्रोग्राम सँ सीधे जोइड़ सकै छी अथवा इमेज फाइल गैलरी सँ प्रविष्ट क सकै छी। |
| 00:39 | हम एकरसबहक विस्तार सँ चर्च करब। |
| 00:43 | चलू अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” स्प्रैडशीट फाइल खोलैत छी। |
| 00:48 | सबसँ पहिले, sheet 2 चुनू। |
| 00:51 | हम अहि शीट मे इमेजेस प्रविष्ट करब। |
| 00:54 | ई नीक हैत जे पहिले सेल चुनू आ फेर इमेजेस के प्रविष्ट करू। |
| 00:59 | ज अहाँक कम्प्यूटर मे इमेज पहिले सँ संचित हुए, त अहाँ सबसँ पहिले
“Insert” पर क्लिक करब ... |
| 01:06 | त “Picture” आ फेर “From File” सँ चुनि क प्रविष्ट क सकैत छी। |
| 01:10 | आब ओ इमेज के ताकू, जकरा अहाँ प्रविष्ट कर चाहै छी। |
| 01:14 | हम पहिले सँ डेस्कटॉप पर “Images” नाम’क फोल्डर मे किछु चित्र संचय केने छी। |
| 01:20 | तै, हम “Image1” चुनब। |
| 01:24 | हम “Location” फील्ड मे इमेजक नाम देखब। |
| 01:28 | “Open” बटन पर क्लिक करू। |
| 01:31 | ध्यान दीअ, जे इमेज स्प्रैडशीट पर प्रदर्शित हैत। |
| 01:38 | चलू एकरा लिंक कक एकटा आरो इमेज जोड़इ छी। |
| 01:42 | पहिले एकटा नया सेल चुनू। |
| 01:45 | आब, “Insert” आ “Picture” पर क्लिक करू आ “From File” चुनू। दोसर इमेज चुनू। |
| 01:55 | आब “Image 2” पर क्लिक करू। |
| 01:58 | इमेज के अपन डॉक्युमेंट पर लिंक करै लेल, “Link” ऑप्शन चेक करू आ
“Open” पर क्लिक करू। |
| 02:05 | डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हैत, “Keep Link” बटन पर क्लिक करू। |
| 02:11 | इमेज आब फाइल मे लिंक भ गेल छै। |
| 02:15 | लिंकिंग.. |
| 02:17 | जखन हम एकटा फाइल क लिंक करै छी त प्रथम त सेव केला पर स्प्रैडशीटक आकार छोट रहैत अछि। |
| 02:23 | किए कि स्प्रैडशीट मे इमेज नहि रहैत छै। |
| 02:27 | आ दोसर, अहिस उपयोगकर्ता दुनू फाइल्स मक अलग अलग modify क सकै छैथ। |
| 02:32 | इमेज फाइल मे कोनो कैल गेल बदलाव, स्प्रैडशीट मे लिंक्ड इमेज पर प्रदर्शित हैत। |
| 02:39 | चलू लिंक्ड Image 2क रंग ग्रैस्केलक greyscale क दै छिये। |
| 02:46 | हम अहि इमेजक सम्पादन करै लेल इमेज सम्पादक GIMPक इस्तेमाल क रहल छी। |
| 02:50 | अहाँ अपन मशीन पर संस्थापित कोनो इमेज सम्पादक इस्तेमाल क सकै छी। |
| 02:54 | सबसँ पहिले "Personal-Finance-Tracker.ods"क सेव करू आ बंद करू। |
| 03:01 | फेर, images फोल्डर मे जाऊ। |
| 03:04 | "Image 2"क चुनू। |
| 03:06 | आब, दायाँ-क्लिक करू आ Open with GIMP चुनू। |
| 03:10 | Image 2 GIMP मे खुलैत अछि। |
| 03:13 | आब इमेज के color सँ greyscale मे बदलू। |
| 03:18 | आब, इमेज के सेव करू आ बंद करू। |
| 03:22 | Personal-Finance-Tracker.ods खोलू। |
| 03:26 | Image 2 आब greyscale मे प्रदर्शित हैत। |
| 03:30 | फाइल के लिंक करै ‘क एकटा बड़ पैघ नुक्सान छै जे, जखन अहाँ अहि
स्प्रैडशीट के दोसर कम्प्यूटर वा उपयोगकर्ता के भेज चाहब त, |
| 03:40 | अहाँ क’ स्प्रैडशीट आ संगे-संग इमेज फाइल दुनू भेज पड़त,। |
| 03:44 | मतलब, जे अहाँ क हरदम ओहि जगहक जानकारी रखै पड़त, जत अहाँ दुनू
फाइल्स संचित केने छी। |
| 03:52 | इमेज के स्प्रैडशीटक दाहिना दिस घसकाबै छी। |
| 03:58 | स्प्रैडशीट मे इमेज प्रविष्ट करै क’ एकटा आओर तरीका अछि जे । |
| 04:05 | जत अहाँ इमेज संचित केने छी ओहि फोल्डर सँ इमेज ड्रैग करी आ ओकरा अपन स्प्रैडशीट मे ड्रॉप करी। |
| 04:09 | चलू इमेज के ड्रैग आ ड्रॉप करइ छी। |
| 04:12 | आब इमेज फाइल के ड्रैग करू अपन स्प्रैडशीट मे जत रखै चाहे छी ओत ड्रॉप करू। |
| 04:19 | अहाँ देखब जे इमेज अहाँक डॉक्युमेंट मे प्रविष्ट भ गेल अछि| |
| 04:23 | चलू CTRL+Z सँ अहि बदलाव के अन्डू करइ छी। |
| 04:29 | चलू अपनासब आब इमेज के ड्रैग आ ड्रॉप तरीका सँ लिंक करइ छी। |
| 04:34 | ई सेहो बहुत आसान अछि! मात्र “Control” आ “Shift” कीज़ के दबा क पकड़ने रहब। |
| 04:40 | जखन स्प्रैडशीट मे इमेज ड्रैग करब। |
| 04:44 | इमेज फाइल आब डॉक्युमेंट सँ लिंक भ गेल अछि। |
| 04:48 | अइ अहि कैल्क फाइल के CTRL आ S कीज़ के एकै-संग दबा क’ सेव करइ छी। |
| 04:54 | आब अइ फाइल के बंद करइ छी। |
| 04:58 | चलू आब जाहि फोल्डर में इमेज छै ओत जै छी| |
| 05:02 | “Image 3.jpg” जेकरा हमसब फाइल मे प्रविष्ट केने छी ओकर नाम “Image4.jpg” क दिऔ, । |
| 05:12 | आब “Personal Finance Tracker.ods” फाइल फेर सँ खोलू। |
| 05:18 | अहाँ देखैत छी जे लिंक्ड इमेज आब प्रदर्शित नहि अछि। |
| 05:22 | ”लिंक्ड पाथ” एकटा एरर दखैत। |
| 05:25 | अहि लिंक के डिलीट करू। |
| 05:28 | अइ ट्यूटोरियल के रोकू आ ई असाइनमेंट करू। |
| 05:32 | कैल्क शीट मे लिंक क रूप मे एकटा इमेज प्रविष्ट करू, एकरा सेव आ बंद करू। |
| 05:38 | आब, जाहि फोल्डर मे इमेज संचित अछि ओत जाऊ, आ इमेज के डिलीट करू। |
| 05:43 | कैल्क फाइल खोलू आ देखू किंवा इमेज अखनो प्रदर्शित अछि। |
| 05:49 | आब इमेज के फेर सँ इमेज फोल्डर मे पेस्ट करू। |
| 05:53 | जाँचू, किंवा इमेज कैल्क फाइल मे प्रदर्शित होई छै। |
| 05:57 | “Standard” टूलबार’क ठीक नीचाँ एकटा नब टूलबार पर ध्यान दिऔ। |
| 06:02 | ई “Picture” टूलबार थिक। |
| 06:04 | “Picture” टूलबार’क सबसँ ऊपर बाम दिस Filter बटन छै जे इमेजक रूप बदलै’क ढेर ऑप्शन्स दैत अछि। |
| 06:13 | CTRL+Z सँ एकरा अन्डू करें। |
| 06:18 | “Graphics mode” बटन मे इमेज के ग्रैस्केल, ब्लैक-एंड-व्हाइट वा वॉटरमार्क मे बदलै क’ ऑप्शन्स छै। |
| 06:26 | “Picture” टूलबार मे आओर कतेक ऑप्शन्स छै जेकरा हमसब बाद मे देखब। |
| 06:32 | आगाँ, हमसब सीखब, जे क्लिपबोर्ड सँ इमेज कोना प्रविष्ट करि। |
| 06:37 | क्लिपबोर्ड मे संचित इमेजेस के अहाँ एकटा लिबर ऑफिस स्प्रैडशीट सँ दोसर
मे कॉपी क सकै छी। |
| 06:44 | एकटा नब स्प्रैडशीट बनाऊ आ ओकरा “abc.ods” नाम दिऔ। |
| 06:50 | ई हमरसबहक टारगेट डॉक्युमेंट अछि। |
| 06:53 | हमरसबहक “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे पहिले सँ एकटा इमेज हैत। |
| 06:59 | ई हमरसबहक सोर्स डॉक्युमेंट थिक। |
| 07:02 | आब सोर्स फाइल सँ जाहि इमेज कॉपी करबाक अछि तकरा चुनू। |
| 07:06 | इमेज के कॉपी करै लेल “CTRL” आ “C” कीज़ के एकै संग दबाऊ। |
| 07:11 | इमेज आब क्लिपबोर्ड पर सेव भ गेल हैत। |
| 07:15 | आब टारगेट डॉक्युमेंट पर जाऊ, जे “abc.ods” थिक। |
| 07:21 | उ जगह चुनू, जत अहाँ अपन सेव भेल इमेज के “abc.ods” मे राख चाहै छी। |
| 07:28 | आब डॉक्युमेंट मे इमेज प्रविष्ट करै लेल “CTRL” आ “V” कीज़ एकै संग दबाऊ। |
| 07:35 | हम देखब जे इमेज हमर टारगेट फाइल मे प्रविष्ट भ गेल अछि। |
| 07:42 | आब हम सीखब, जे कैल्क गैलरी सँ इमेजेस के कोना प्रविष्ट करी। |
| 07:48 | “Gallery”मे इमेजक संग ध्वनि सेहो भेट जैत जेकरा हमसब अपन स्प्रैडशीट
मे प्रविष्ट क सकै छी। |
| 07:54 | चलू देखइ छी ई कोना करब। |
| 07:57 | स्टैन्डर्ड टूलबार मे “Gallery” आइकन पर क्लिक करू। |
| 08:01 | वैकल्पिक रूप सँ, मेन्यू बार मे “Tools” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Gallery” पर क्लिक करू। |
| 08:09 | आब “Gallery” क इमेज सबमें जेकरा अहाँ अपन डॉक्युमेंट मे प्रविष्ट कर चाहै छी ओहि पर क्लिक करू। |
| 08:18 | “Gallery” सँ इमेज ड्रैग करू आ स्प्रैडशीट मे जत अहाँ प्रविष्ट करै
चाहि छी ओतअ ड्रॉप करू। |
| 08:26 | अहाँ देखब कि इमेज हमर “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे
प्रविष्ट भ गेल अछि। |
| 08:34 | अहि संग हमसब “लिबरऑफिस कैल्क” पर ई स्पोकन ट्यूटोरियल के अंत मे आबि गेल छी। |
| 08:39 | संक्षेप में, हमसब सीखलौ जे कोना- ढेरो तरीका सँ इमेज फाइल के
स्प्रैडशीट मे प्रविष्ट करी। |
| 08:46 | जेना की फाइल क्लिपबोर्ड सँ वा गैलरी सँ |
| 08:52 | निम्न'क लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू। |
| 08:55 | ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश थिक। |
| 08:58 | यदि अहाँक पास निक बैंडविड्थ नै हैत त अहाँ एकरा डाउनलोड कक देख सकै छी। |
| 09:03 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक टीम, स्पोकन ट्यूटोरियल'क इस्तेमाल कक
कार्यशाला सेहो चलबैत छैथ।|| |
| 09:08 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार प्रतिभागीकें प्रमाणपत्र सेहो देल जाइत छैन। |
| 09:12 | बेसि जानकारी क’ लेल कृपया contact@spoken hyphen tutorial dot org पर संपर्क करू। |
| 09:19 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर प्रोजेक्टक अंश थिक। |
| 09:23 | ई भारत सरकारक, एम एच आर डीक “आईसीटीक माध्यम सँ राष्ट्रीय
साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि। |
| 09:31 | अहि मिशन पर बेसी जानकारी क’ लेल उपलब्ध लिंक पर संपर्क करू। spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro |
| 09:41 | आई.आई.टी बॉम्बे’क तरफ सँ हम स्मिता झा आ संकेत कुमार झा आब अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब सँ जुड़क लेल धन्यवाद। |