LibreOffice-Suite-Calc/C3/Using-Charts-and-Graphs/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Time | Naration |
0:00 | स्प्रैडशीट्स मे चार्ट्स प्रविष्ट करै पर लिबर ऑफिस कैल्क’क अहि स्पोकन
ट्यूटोरियल मे अहाँक स्वागत अछि। |
0:07 | अहि ट्यूटोरियल मे हमसब सीखब: |
0:11 | चार्ट्स के केना Create,edit आ format करब । |
0:14 | चार्ट्स क केना Resize आ Move करब। |
0:18 | एतए हम उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4’क
उपयोग क’ रहल छी। |
0:27 | त चलू अपनासब लिबरऑफिस कैल्क क विभिन्न रूप में प्रदर्शन करैक ऑप्शन्स सीखनै शुरू करै छी| |
0:32 | चार्ट्स पढनिहार क सूचना देबाक सशक्त माध्यम भ सकैत अछि। |
0:37 | लिबर ऑफिस कैल्क अहाँक डेटा क’ लेल अनेक प्रकारक चार्ट्स फार्मेट्स
दैत अछि। |
0:43 | कैल्क’क इस्तेमाल कक, अहाँ चार्ट्स के एक हद तक कस्टमाइज़ सेहो क सकै छी। |
0:48 | चलू अपन 'personal finance tracker.ods' शीट खोलै छी। |
0:53 | आ शीट मे दर्ज सब चीज़ पर खर्च कैल गेल राशि के भरु। |
0:59 | हम सेल जे “E3” सँ निर्दिष्ट अछि ओहि पर क्लिक करब आ राशि “6500” टाइप करब। |
1:06 | आब कॉलम मे नीचाँ जाएब, हम “E4”,”E5”,”E6” आ “E7” सँ निर्दिष्ट सेल्स
मे राशि “1000”,”625”,”310” आ “2700” क्रमशः टाइप करब। |
1:26 | आब शीट मे दर्ज सब चीज़क लेल प्राप्त राशि भरब। |
1:31 | अतए “F3” सँ निर्दिष्ट सेल पर क्लिक करू आ राशि “500” टाइप करू। |
1:37 | आब अइ कॉलम मे नीचाँ जाऊ, हमसब “F4”,”F5”,”F6” आ “F7” सँ निर्दिष्ट सेल्स
मे क्रम स राशि “200”,”75”,”10” आ “700” टाइप करब। |
1:54 | चलू आब सिखै छी जे अहि टेबल’क लेल चार्ट कोना बनाबि। |
1:58 | एकटा चार्ट बनैबाक लेल, सब सँ पहिले हमरा लोजेन चार्ट मे सम्मिलित हुअ बल डेटा के चुनैक पड़त। |
2:04 | अतए सेल “SN” पर क्लिक करू आ माउस बटन बिना छोड़ने, कर्सर क’ अंतिम सेल
तक ड्रैग करु, जहि मे “700” अछि। |
2:14 | आब मेन्यूबार मे “Insert” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Chart” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
2:21 | अहाँ देखब जे डेट’क संग डिफ़ॉल्ट चार्ट वर्कशीट मे सम्मिलित भ गेल अछि। |
2:27 | ओहिखन "Chart Wizard" डायलॉग बॉक्स खुलैत अछि। |
2:32 | "Chart Wizard" प्रदर्शित करैत अछि जे डिफ़ॉल्ट चार्ट चुनि लेल गेल अछि। |
2:36 | इ डिफ़ॉल्ट चार्ट चार्ट-विज़ार्ड मे अहाँक द्वारा कैल गेल बदलाव सब के
दर्शाबक लेल अपडेट होइत छै। |
2:42 | "Chart Wizard" डायलॉग बॉक्स मे तीनटा मुख्य भाग होइ छै जे steps थिक चार्टक स्थापना, चार्ट’क प्रकारक चुनाव आ प्रत्येक चार्ट प्रकारक लेल ऑप्शन्स सबहक। |
2:55 | “3D Look” ऑप्शन के चेक कक, चार्ट प्रदर्शन के तीन डायमेंशन मे सेहो
प्रदर्शित क सकै छी। |
3:03 | चलू अहि ऑप्शन्स सब के अजमाबैत छी। |
3:05 | हम “Choose a chart type” फील्डक अंदर “Bar” ऑप्शन पर क्लिक करब। |
3:11 | ध्यान देब, जे नमूना चार्ट टेबलक डेटा के “Bar” प्रारूप मे प्रदर्शित करैत अछि। |
3:19 | ओही प्रकार सँ अहाँ अन्य ऑप्शन्स, जेना <pause> “Area”, <pause> “Bubble” <pause> पर क्लिक क सकै छी। |
3:28 | आ “Choose a chart type field”क अंदर सेहो बहुतेक अन्य ऑप्शन्स पर
क्लिक क सकै छी। आ अपेक्षित चार्ट प्राप्त क’ सकै छी। |
3:35 | “Steps” ऑप्शन’क अंदर, हमरा लोजेन लग “Data Range” नामक एकटा आरो ऑप्शन अछि। |
3:40 | अहि ऑप्शनक’ उपयोग कक, अहाँ चार्ट मे जेतेक डेटा प्रदर्शित करs चाहैत छी
तकर सीमा निर्धारित क सकै छी। |
3:48 | डेटा बनैबाक डिफ़ॉल्ट ऑप्शन “Data series in columns” थिक। |
3:54 | “Data series in rows” क उपयोग कक हम डेटा के प्लॉट करै क तरीका सेहो बदैल सकै छी। |
4:02 | ई तखन लाभप्रद अछि जखन अहाँ अपन डेटा क दर्शाबक लेल चार्ट’क स्टाइल जेना
जे “Column”क इस्तेमाल करै छी। |
4:10 | अंत में, अहाँ क विकल्प अछि' जे “First row as label” क इस्तेमाल करी |
04:24 | या “First column as label”,करै छि |
4:28 | अथवा दुनू क लेबल्सक जेना चार्ट अक्ष पर। |
4:34 | तखन data series in column मे फेर सँ क्लिक करू। |
4:38 | आब, अपना नमूना चार्ट, में यदि हमसब शीर्षक “Received”क अंदरक डेटा हटाबs
चाही त हमसब पहिले “Data range” फील्ड पर क्लिक करब। |
4:49 | आ फेर रैंज “$A$1 is to $F$7” to “$A$1 is to $D$7” क सम्पादन करब | |
5:03 | शीर्षक “Received”क अंदरक डेटा पर ध्यान दिऔ, ई आब चार्ट मे प्रदर्शित नै छै। |
5:11 | आगू, देखब जे “Data Series” की करैत अछि। |
5:15 | ध्यान दिऔ, एतए 5टा रोज छै, जे अपन स्प्रैडशीटक कुल डेटा रो के प्रदर्शित क’ रहल अछि। |
5:21 | “Add” आ “Remove” बटन्स क उपयोग क क हम सब चार्ट मे डेटा जोइड़ आ हटा सकै छी। |
5:29 | “Up” आ “Down” बटन्सक इस्तेमाल कक हमसब डेटा के फेर सँ क्रम-बद्ध सेहो क‘ सकै छी। |
5:34 | त डेटा आ ओकरा चार्ट मे प्रदर्शित करक तरीका चुनला क बाद, डायलॉग
बॉक्स मे “Finish” बटन पर क्लिक करू। |
5:43 | अहाँ देखब, जे चार्ट स्प्रैडशीट मे प्रविष्ट भ गेल छै। |
5:47 | स्प्रैडशीट मे चार्ट्स प्रविष्ट करब सीखला क बाद, |
5:51 | आब हमरालोकिन सीखब, जे लिबरऑफिस कैल्क मे चार्ट फ़ॉर्मेट कोना करू। |
5:56 | “Format” मेन्यू मे फॉर्मेटिंग आ |
6:00 | चार्ट्सक’ सिरखार सरियाबै क’ बहुतो ऑप्शन्स होइत अछि। |
6:04 | त अपनासब स्प्रैडशीट मे जे चार्ट प्रविष्ट केलौ, ओकरा फ़ॉर्मेट करइ छी। |
6:08 | अतए, चार्ट पर डबल-क्लिक करू, जाहि सँ इ grey border में आबि जे। |
6:13 | इ प्रदर्शित करैत अछि जे ई “Edit” मोड मे थिक। |
6:18 | आब मुख्य मेन्यू मे “Format” ऑप्शन पर क्लिक करू। |
6:22 | अहाँ देखब जे ड्रॉप-डाउन मेन्यू मे बहुतेक फॉर्मेटिंग ऑप्शन्स छै जेना “Format Selection”, “Position and Size”, “Arrangement”, “Chart Wall” , “Chart Area” आओर बहुते आरो। |
6:37 | अहिसभक उपयोग चार्टक स्थापन, पृष्ठभूमि आ चार्टक शीर्षक व्यवस्थित आ फ़ॉर्मेट
करबाक लेल होएत अछि। |
6:44 | हमसब सब’सँ बेसि इस्तेमाल हुअ बला फ़ॉर्मेटिंग ऑप्शन्स क एक-एक कक सीखब। |
6:49 | “Format Selection” ऑप्शन, शीर्षक “Chart Area”क संग एकटा डायलॉग बॉक्स
खोलैत अछि। |
6:56 | ध्यान दिऔ, जे एत तीनटा टैब्स अछि- “Borders”, “Area” आ “Transparency”. |
7:03 | डिफ़ॉल्ट रूप सँ “Borders” टैब selected अछि। |
7:07 | चलू चार्टक बार्डर स्टाइल आ कलर बदलैत छी। |
7:11 | अहि लेल, “Style” फील्ड पर क्लिक करू आ “Continuous” चुनू। |
7:16 | तखन ओहि प्रकारे “Color” फील्ड मे “Green” पर क्लिक करू। |
7:21 | आब “OK” बटन पर क्लिक करू। |
7:26 | ध्यान दिऔ, जे चार्टक बार्डर स्टाइल आ रंग तदनुसार बदलैत अछि। |
7:31 | “Title” ऑप्शन चार्टक शीर्षक आ ओकर “अक्ष” के फ़ॉर्मेट करैत अछि। |
7:36 | “Axis” ऑप्शन, चार्ट बनाब बला लाइन्स के फ़ॉर्मेट करैत अछि। |
7:41 | संगे X आ Y अक्ष पर दिखाई बला टेक्स्टक फॉन्ट के सेहो फ़ॉर्मेट करैत अछि। |
7:46 | ऑप्शन्स सबहक काज जानबाक लेल अहि सब क’ बाद मे स्वयं अन्वेषण करू। |
7:53 | कैल्क चार्ट क्षेत्र क’ पृष्ठभूमि के बदलबाक लेल सेहो ऑप्शन प्रदान करैत अछि। |
7:58 | चार्ट ग्राफिक जाहि में main टाइटल आ key सेहो अछि चार्ट क्षेत्र थिक। |
8:05 | चार्ट क्षेत्र के फ़ॉर्मेट करबाक लेल, “Format” ऑप्शन पर क्लिक करू आ “Chart Wall” चुनू। |
8:12 | अहाँ देखब जे “Chart Wall” शीर्षकक’ संग एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित होएत अछि। |
8:17 | “Style” फील्ड “Continuous” दर्शाएत किए कि इ हमर अंतिम चुनाव छल। |
8:22 | “Color” फील्ड मे, “Red” पर क्लिक करै छी। |
8:26 | हमसब साइज़ के सेहो “0.20”cm मे बदइल देब। |
8:31 | आब “OK” बटन पर क्लिक करू। |
8:35 | अहाँ देखब जे चार्ट क्षेत्रक स्टाइल आ रंग बदैल गेल अछि। |
8:41 | आगू, हम सीखब जे चार्ट मे एलीमेंट्सक आकार फेर सँ कोना बदलब आ elements सब के स्थानांतरित कोना करब। |
8:46 | चार्टक आकार फेर सँ बदलक’ लेल, नमूना चार्ट पर क्लिक करू। |
8:51 | अहाँ देखब, जे चार्टक चारुकात, ‘’ greenहैंडल्स’’ दिखाएत अछि। |
8:54 | चार्टक आकार बढ़ाब आ घटाब लेल, चार्टक चारू कोण मे स कोनो एकटा ‘मार्कर’ पर
क्लिक आ ड्रैग करू। |
9:03 | चार्ट के move करबाक लेल, पहिल चार्ट पर क्लिक करू। |
9:07 | आब कर्सर के चार्टक’ ऊपर कतो घुमबिओ। |
9:11 | कर्सर हाथ मे बदएल जाएत अछि। |
9:14 | चार्ट पर क्लिक करू आ इच्छित स्थान पर ल’ जाऊ। आब, माउसक बटन छोरु। |
9:20 | अहाँ चार्ट क स्थानांतरित क’ ललौ। |
9:24 | आगू, हम सीखब जे “Position and Size” डायलॉग बॉक्सक इस्तेमाल कक
चार्ट्सक ‘’आकर’’ कोना बदलब। |
9:30 | फेर सँ, चार्ट पर क्लिक करू। |
9:33 | आब चार्ट पर ‘दायाँ-क्लिक’ करू आ कॉन्टेक्स्ट मेन्यू सँ “Position and Size” चुनू। |
9:40 | “Position and Size” डायलॉग प्रदर्शित होएत अछि। |
9:44 | अहिमे बहुतेक फील्ड्स होएत अछि जे चार्टक’ 'X' आ 'Y' अक्ष के स्थिति आ संगे लम्बाई, चौड़ाई के निरूपण क’ सकैत अछि। |
9:52 | अपन चार्टक लेल 'X' अक्ष के “1.00” आ 'Y' अक्ष के “0.83” निर्धारित कराइ छी। |
10:02 | “OK” बटन पर क्लिक करू। |
10:04 | हमसब देखब, जे चार्ट ‘’निर्धारित वैल्यूस’’ अनुसार चार्ट क्षेत्रक’ अंदरे अपन स्थापन करैत अछि। |
10:12 | आब हमसब अहि स्पोकन ट्यूटोरियलक समापन क तरफ छी। |
10:16 | संक्षेपमे हम सब सिखलहुँ जे :चार्ट्स कोना बनाएब, ‘सम्पादन’ आ फ़ॉर्मेटिंग करब। |
10:21 | हम सब स्प्रैडशीटक’ भीतर चार्ट्सक आकार बदलब आ स्थानांतरित करब सेहो सिखलहुँ । |
10:27 | वृहत कार्य। |
10:29 | आहाँ अपन स्प्रैडशीट “practice.ods” खोलू। |
10:34 | डेटाक’ लेल "Pie chart" प्रविष्ट करू। |
10:37 | चार्टक आकार बदलू आ शीटक’ दाहिना कोन मे स्थानांतरित करू। |
10:42 | आगू क लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू। |
10:46 | ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थिक । |
10:50 | यदि अहाँक पास निक बैंडविड्थ नइ हुए तअ अहाँ एकरा डाउनलोड कक सेहो देख सकै छी। |
10:54 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम- |
10:56 | स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग कक ‘’कार्यशालाएँ’’ सेहो चलाबैत छैथ। |
11:00 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार सबके प्रमाणपत्र सेहो देल जाइत अछि। |
11:04 | बेसि जानकारी क’ लेल कृपया contact@spoken hyphen tutorial dot org पर
संपर्क करू। |
11:11 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक अंश थिक। |
11:15 | ई भारत सरकारक, एम एच आर डीक “आईसीटीक माध्यम सँ राष्ट्रीय
साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि। |
11:23 | अहि मिशन पर विशेष जानकारी क’ लेल अहि लिंक पर संपर्क करू। |
11:26 | spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro |
11:34 | आई.आई.टी बॉम्बे’क आओर सँ हम संकेत झा आब अहाँसबसँ विदा लैत छी।
हमरा सँ जुड़क लेल धन्यवाद। |