Introduction-to-Computers/C2/Google-Drive-Options/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 16:51, 1 September 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
Time | Narration |
00:01 | 'Google Drive options'क स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँ लोकनिक स्वागत अछि। |
00:06 | अइ ट्यूटोरियलमे हम Google Driveमे उपलब्ध निर्देशित विकल्पक मादे सीखब, जेना कि-- |
00:12 | कोनो डॉक्युमेंट, कोनो स्प्रेडशीट आ कि कोनो प्रेज़ेण्टेकशन बनाएब |
00:17 | फाइल्स आ फ़ोल्डर्स अपलोड करब |
00:20 | आ विकल्प शेयर करब। |
00:22 | अइ ट्यूटोरियल लेल अहाँकें कोनो क्रियाशील इण्टरनेट कनैक्शन आ कोनो वेब ब्रॉउज़रक प्रयोजन हैत। |
00:29 | हम एतए फायरफॉक्स वेब ब्रॉउज़रक प्रयोग करब। |
00:33 | एकर उपयोगसँ पूर्व अहाँकें जीमेलक बुनियादी जानकारी रहबाक चाही। |
00:38 | जँ से नइँ अछि, त' हमर वेबसाइट पर उपलब्ध Gmail सँ सम्बन्धिनत ट्यूटोरियल्स देखी। |
00:43 | आब शुरुह करै छी। |
00:45 | वेब ब्रॉउज़र खोली आ अपन 'जीमेल' अकाउंट पर लॉगिन करी। |
00:49 | ई काज हमरा लोकनि पहिनहुँ क' चुकल छी। |
00:51 | ऊपरमे दहिना भाग हम अपन नामक आगू एकटा ग्रिड आइकन देखि सकै छी। |
00:56 | जखन हम अइ पर माउस ल' जाइ छी, हेल्प टेक्स्ट कहैत अछि--- Apps
अइ पर क्लिक करी। |
01:02 | ई हमरा किछु 'गूगल apps' देखओत। जेना--
|
01:18 | जँ हम ओइ पर क्लिक करब त' हमरा ओइ ख़ास google app पर निर्देशित कएल जाएत। |
01:24 | apps icon कें घुसका कए हम अपन वांछित विकल्परक अनुसार अइ सूचीकें पुनः व्यवस्थित सेहो क' सकै छी। |
01:32 | अइ ट्यूटोरियलमे, हम विशेष रूपें Driveक मादे सीखब। |
01:35
तें आब हम Drive पर क्लिक करै छी। | |
01:43 | पेजमे सबसँ ऊपर, हम एकटा Search bar देखि सकै छी। |
01:47 | बाम कात किछु मेन्यू अछि। |
01:51 | आ दहिना कात ऊपरमे किछु आइकन्स अछि। |
01:55 | केंद्रमे, हम दू टा फाइल देखि सकै छी। |
01:59 | पहिल फाइल ओ थिक जे अकाउंट बनेबा काल हमरा संग 'गूगल' टीम शेयर केने छल। |
02:05 | दोसर फाइल ओ थिक जे हमरा लोकनि स्व यं अपलोड केने छलहुँ। |
02:10 | आब, बाम भाग'क मेन्यू सभ पर एक नज़र दी। |
02:14 | उपलब्ध मेन्यू सभ अछि:
|
02:27 | डिफ़ॉल्ट रूपें My Drive मेन्यू चयनित रहत आ ओकर विषय-वस्तु केंद्रमे देखाइ देत। |
02:34 | समस्तल फाइल आ फ़ोल्डर केंद्रीय क्षेत्रमे देखाइ देत। |
02:38 | तें, एतए हम ओ PDF आ ZIP फाइल देखि सकै छी, जे हम पछिला ट्यूटोरियलमे अपलोड केने रही। |
10:36 जँ स'ब रीविजन नइँ देखाए, त' नीचाँ 'Show more detailed revisions' बटन पर क्लिक करी। | |
10:44 | ऊपर नवीनतम रीविजन संगें क्रमानुसार रीविजन व्यवस्थित देखाएत। |
10:50 | प्रत्येक रीविजन पर क्लिक करी आ ग'र करी जे ई क्रिया कोना निष्पाsदित होइत अछि। |
10:55 | आब हम ई डॉक्युमेंट दू टा अन्य प्रयोक्ता संगें शेयर करै छी। |
अइ लेल, ऊपरमे दहिना कात'क 'Share' बटन पर क्लिक करी। | |
Share with others डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि। | |
11:07 | People टेक्स्ट बॉक्समे, हमरा लोकनिकें हुनका सभ'क ईमेल-आई डी भरबाक अछि, जिनका संग हम ई डॉक्युमेंट शेयर करए चाहै छी। |
11:15 | तें हम टाइप करब 0808iambecky@gmail.com |
11:23 | ध्यान दी जे autofill विशेषता एतए ओहि ईमेल-आई डी लेल उपलब्ध अछि, जिनका हम पहिनहुँ ईमेल पठौने छी। |
11:31 | तीन मोड्स होइत अछि, जै'मे हम अन्य प्रयोक्ताम संग डॉक्युमेंट शेयर क' सकै छी। |
11:36 | अइ तीन मोड्सकें देखबा लेल एतए अइ बटन पर क्लिक करी:
|
11:44 | Can edit विकल्प अन्य प्रयोक्तााकें डॉक्युमेंटमे बदलाव करबा अनुमति दैत अछि। |
11:51 | Can comment विकल्प अन्य प्रयोक्तातकें बदलावक सुझाव देबाक अनुमति दैत अछि। |
11:56 | Can view विकल्प अन्य प्रयोक्ताककें केवल देखबाक अनुमति दैत अछि। |
12:00 | ओ कोनो बदलाव नइँ क' सकै छथि, आ ने बदलावक सुझाव द' सकै छथि। |
12:04 | आब 0808iambecky कें Can edit विकल्प दै छी। |
12:09 | हम stlibreoffice@gmail.com कें सेहो जोडब। |
12:16 | दू टा ईमेल-आई डीक बीच एकटा कॉमा लगाएब मोन राखी। |
12:21 | जहिना हम समस्तc ईमेल-आई डी एतए भरै छी, कि विंडोमे एकटा बदलाव होइत अछि। |
12:25 | हमरा लोकनिकें एतए एकटा 'Add a note' टेक्स्ट एरिया देखाइत अछि। |
12:28 | जँ हम अन्य प्रयोक्तामकें अइ डॉक्युमेंटक मादे किछु जानकारी देबए चाहै छी, त' से हम एतए टाइप क' सकै छी। |
12:36 | हम टाइप करब Please find attached a document for testing purpose. Kindly modify or suggest, as per the permission given to you.
Thanks Ray.Becky |
12:47 | अंतमे शेयर करबाक अइ प्रक्रियाकें पूरा करै लेल Send बटन पर क्लिक करी। |
12:52 | ई हमर मैसेज आ शेयर कएल गेल डॉक्युमेंटक लिंक संगें अन्य प्रयोक्तालकें एकटा ईमेल नोटिफिकेशन पठाओत। |
12:59 | एक बेर फेर, Share बटन पर क्लिक करी। |
13:02 | फेर Advanced बटन पर क्लिक करी। |
13:05 | stlibreoffice प्रयोक्ता लेल आब हम शेयरिंग मोडकें Can commentमे बदलब। |
13:12 | अंतमे Save changes बटन पर आ फेर Done पर क्लिक करी। |
13:18 | आब अइ डॉक्युमेंटकें बंद करी। |
13:21 | आब, मानि लिअ' जे दुनू प्रयोक्तार शेयर कएल गेल डॉक्युमेंटमे किछु संशोधन केने छथि। |
13:27 | किछु समय बाद जखन हम ओ डॉक्युमेंट दोबारा खोलै छी, त' अन्य शेयर्ड प्रयोक्ताा द्वारा कएल गेल सम्पाbदन देखि सकै छी। |
13:34 | चूँकि stlibreoffice@gmail.comकें मात्र सुझाव देबाक अनुमति छलनि, तें हम ओहि प्रयोक्ताा द्वारा देल गेल सुझाव देखि सकै छी। |
13:43 | अपन माउसकें सुझाव बॉक्स पर, टिक आ क्रॉस मार्क्सक ऊपर आनी। |
13:49 | टिक मार्क'क अर्थ भेल Accept suggestion आ क्रॉस मार्क'क अर्थ भेल Reject suggestion |
13:56 | आब हम एकटा सुझावकें स्वीकार करै छी आ दोसरकें छोड़ दै छी। |
14:02 | हम एतए 0808iambecky सँ एकटा सुझाव देखि सकै छी। |
14:07 | आ एतए हम Resolve बटन देखि सकै छी। |
14:11 | Can edit विकल्पबला प्रयोक्ताे कमेंट टेक्स्ट पर क्लिक क' कए ओहि कमेंटक उत्तर द' सकैत अछि। |
14:18 | कमेंट थ्रेडकें हटेबा लेल, Resolve बटन पर क्लिक करी। |
14:22 | अइ डॉक्युमेंटमे हम 0808iambecky द्वारा कएल गेल कोनो संशोधन नइँ देखि सकै छी। |
14:29 | स्मरणीय थिक जे अइ प्रयोक्तामकें डॉक्युमेंटमे edit क अनुमति नइँ छल। |
14:34 | तें, हम ई कोना पता करब जे ओ प्रयोक्ता की बदलाव केने छलाह ? |
14:39 | एहि लेल, हम अपन Revision History देखि सकै छी। |
14:43 | एकरा खोलबा लेल, हम File पर आ फेर See revision history पर क्लिक करी। |
14:50 | हम देखि सकै छी जे 0808iambecky कोन बदलाव केलनि अछि; ई अलग रंगमे देखाइत अछि। |
14:58 | हम stlibreoffice@gmail.com द्वारा देल गेल सुझावकें सेहो अलग रंगमे देखि सकै छी। |
15:05 | आ ओनर हेबाक कारणें निश्चाये हम अपन कार्यकें अलग रंगमे देखब। |
15:11 | आब Revision History विंडोकें बंद करै छी। |
15:14 | डॉक्युमेंट शेयर करबाक एकटा अन्य तरीका सेहो अछि। Share बटन पर क्लिक करी। |
15:20 | ऊपरमे दहिना कोन पर Share with others विंडोमे, हम Get shareable link टेक्स्ट देखि सकै छी। अइ पर क्लिक करी। |
15:29 | ई कहैत अछि Anyone with the link can view |
15:32 | अइ डॉक्युमेंट लेल ई एकटा लिंक बनबैत अछि। |
15:35 | आब हम ई लिंक कोनहुँ ईमेल-आईडीकें पठा सकै छी, जकर मतलब भेल जे ई लिंक जिनका किनकहु लग छनि, से अइ डॉक्युमेंटकें देखि सकै छथि। |
15:44 | अइ तथ्य,'क संग हम अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि गेल छी। |
15:47 | आब एकरा संक्षेप करी |
15:49 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि सिखलहुँ--
|
16:00 | देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रस्तु त करैत अछि। कृपया एकरा देखी आ डाउनलोड करी। |
16:07 | हमरा लोकनि कार्यशाला आयोजित करै छी आ ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहारकें प्रमाणपत्र दैत छी।
अधिक जानकारी लेल, कृपया सम्पयर्क करी। |
16:16 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक एम एच आर डीक NMEICT द्वारा निधिबद्ध अछि।
अइ मिशन लेल अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि। |
16:27 | अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद। |