Introduction-to-Computers/C2/Introduction-to-Gmail/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 16:07, 1 September 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
Time | Narration |
00:01 | Introduction to Gmail क स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि। |
00:06 | अइ ट्यूटोरियलमे हम सब सीखब-- |
00:09 | नब गूगल अकाउंट बनाएब। |
00:12 | गूगल अकाउंटक प्रयोग द्वारा gmail लॉगिन करब। |
00:16 | ईमेल लिखब। |
00:18 | ईमेल पठाएब। |
00:20 | ईमेल देखब। |
00:22 | आ जीमेल सँ लॉगआउट हएब। |
00:24 | हम इनबॉक्स (Inbox) सनक किछु महत्त्वकपूर्ण मेलबॉक्सक मादे सेहो सीखब। |
00:30 | अइ ट्यूटोरियल लेल, अहाँकें प्रयोजन हैत—एकटा वर्किंग इंटरनेट कनेक्शनक |
00:35 | आ एकटा वेब ब्राउज़रक। |
00:37 | उदाहरण लेल, हम फायरफॉक्स वेब ब्राउज़रक प्रयोग करब। |
00:42 | हालहिमे, गूगल अपन समस्त उत्पाद लेल एकटा सिंगल अकाउंट प्रदान केलक अछि, जेना कि |
00:48 | Gmail (जीमेल) |
00:49 | YouTube (यू ट्यूब) |
00:50 | Google Play (गूगल प्ले) |
00:51 | Google Docs/Drive (गूगल डॉक्स अथवा ड्राइव) |
00:53 | Google Calendar (गूगल कैलेंडर) एवं अन्य। |
00:57 | तें, एकहि लॉगिनसँ, अहाँ अइमे सँ ककरहु ऑपरेट क' सकै छी। |
01:02 | आब एकटा नब गूगल अकाउंट बनाएब शुरुह करी। |
01:06 | अपन वेब ब्रॉउज़र खोलू और टाइप करू http colon slash slash gmail dot com (http://gmail.com) |
01:16 | अइसँ हम आइ पेज पर जाएब, जतए ऊपर दहिना दिश दू टा विकल्प देखाएत-- |
01:22 | Create an account आ Sign in |
01:25 | एना तखन हैत, जखन अपन मशीनसँ अहाँ पहिल बेर एहन प्रयास करब। |
01:32 | जँ ई पेज अहाँक मशीनसँ पहिनहुँ एक्सेस भ' चुकल अछि, त' पेजमे देखएत-- |
01:39 | अहाँक email यूज़रनेम आ पासवर्ड प्रविष्ट करबाक विकल्प। |
01:46 | एकटा पैघ बटन जे Sign In कर' लेल कहत-- |
01:50 | तकर नीचाँ, अहाँ एकटा लिंक देखब Create an account |
01:55 | ओइ Create an account लिंक पर क्लिक करू। |
01:59 | आब हमसब Google Account क्रिएशन पेज पर छी। |
02:03 | दहिना दिश एकटा फॉर्म देखाएत, जाहिमे अपन अकाउंट सम्ब न्धीे आ व्यक्तिगत विवरण भरबाक अछि। |
02:11 | आब सम्बन्धित टेक्स्ट बॉक्स सभमे अपन प्रथम आ अन्तिनम नाम भरबाक अछि। |
02:17 | हम अपन नाम Rebecca Raymond प्रविष्ट करब। |
02:23 | आगू, Username (यूज़रनेम) चुनबाक अछि। |
02:27 | यूज़रनेम अद्वितीय हेबाक चाही, आ अक्षर अथवा अल्फा-न्यूमेरिक संयोजनसँ बनाओल जेबाक चाही। |
02:37 'Username (यूज़रनेम)'मे 'becky0808' भरै छी। | |
02:43 | जँ ई यूज़रनेम पहिनहि किओ भरि चुकल अछि, त' ओतए देखाएत-- |
02:49 | ई यूज़रनेम पहिनहिसँ किनकहु अछि, अहाँ दोसर प्रयास करू। |
02:54 | हमरा लोकनि द्वारा भरल प्रथम आ अन्ति म नाम'क आधार पर 'गूगल' किछु 'यूसरनेम्स' सुझाएत। |
03:01 | हम कोनो मनपसंद यूज़रनेम द' कए ओकर उपलब्धता जाँचि सकै छी। |
03:07 | आब हम 'यूज़रनेम'मे ray.becky.0808 प्रविष्ट करी |
03:18 | स्वीकार्य भेला पर ओतए देखएत--यूज़रनेम उपलब्ध अछि। |
03:24 | आब अइ अकाउंट लेल हमरा पासवर्ड बनेबाक अछि। |
03:30 | बाम भाग'क इनफॉर्मेशन बॉक्ससँ पता चलत जे पासवर्ड कते टा हेबाक चाही। |
03:36 | अपना पसिनसँ एकटा उचित 'Password (पासवर्ड)' टाइप करू। |
फेर पासवर्ड कन्फर्म कर' लेल ओकरा दोबारा टाइप करू। | |
03:44 | तकर बाद Birthday पर आउ। |
03:48 | ड्राप-डाउनसँ महीना चुनू। |
03:51 | फेर सम्बन्धित टेक्स्ट बॉक्सेसमे दिन और वर्ष टाइप करू। |
03:57 | आब अपन जेण्डर चुनू। |
04:00 | हम मेल चुनि रहल छी। |
04:03 | अगिला क्षेत्र Mobile phone (मोबाइल फ़ोन) थिक। |
04:06 | तत्काल एकरा छोड़ि दै छी। |
04:08 | एकर बाद, एकटा टेक्स्ट बॉक्सअछि; जे current अर्थात् मौजूदा email address पूछैत अछि। |
04:14 | जे एखन अहाँ बना रहल छी; तकर अलावा जँ अहाँक कोनो अन्य ईमेल एड्रेस अछि, त' एतए से टाइप करू। |
04:21 | जँ कोनो आन मेल आईडी नइँ अछि त' एकरा खाली छोड़ि दी। |
04:23 | आब शेष विवरण देखै छी। |
04:26 | अगिला खण्डखमे Prove you're not a robot दू गोट सत्यापन अछि। |
04:32 | फ़ोन वेरिफ़िकेशन |
04:34 | आ पज़ल वेरिफ़िकेशन |
04:36 | हम सब अइ दुनू विकल्पमे सँ कोनो एक के संगें आगू बढ़ि सकै छी। |
04:40 | हम पज़ल वेरिफ़िकेशन संगें आगू बढ़ब। |
04:43 | Type the text टेक्स्ट बॉक्सआमे इमेजमे देखाओल टेक्स्ट अथवा संख्या टाइप करू। |
04:49 | 'Location' ड्राप-डाउनमे, डिफ़ॉल्ट रूपसँ अहाँक देश देखाओल गेल अछि। |
04:55 | हम इंडियामे रहै छी, तें हमर लोकेशन ड्राप डाउनमे India देखाइत अछि। |
05:02 | अन्तमे, I Agree to the Google Terms and Privacy Policy चेक बॉक्समे टिक करै लेल क्लिक करू। |
05:10 | फॉर्ममे अपेक्षित स'ब जानकारी भरि देलाक बाद, Next Step बटन पर क्लिक करबाक अछि। |
05:17 | मुदा एखन हम से नइँ करब। |
05:20 | आब देखी जे 'फ़ोन वेरीफिकेशन' चुनला पर की होइत अछि। |
05:25 | Phone Verification may be required विकल्परमे Skip this verification चेक बॉक्स पर क्लिक करू। |
05:32 | लोकेशनमे India (भारत) क्लिरक करू। |
05:35 | फेर I Agree to the Google Terms and Privacy Policy चेक बॉक्समे क्लिक करू। |
आ अन्तमे, Next Step पर क्लिक करू। | |
05:45 | ई फ़ोन वेरिफिकेशन पेज पर ल' जाएत। |
05:50 | ड्राप-डाउनसँ देशक झण्डा चुनू, हम इंडिया चुनि रहल छी। |
05:55 | देल गेल टेक्स्ट बॉक्समे अपन मोबाइल नंबर भरू। |
06:00 | 'Text messageमे SMS विकल्प चुनू। ई स्वतयमेव डिफ़ॉल्ट रूपें चुना जाएत। |
06:07 | फेर Continue बटन पर क्लिक करू। |
06:10 | अहाँक फ़ोन पर एक SMS आबि जाएत। |
06:13 | अइसँ अहाँ वेरिफिकेशन'क अगिला भागमे पहुँचि जाएब। |
06:17 | आब SMS द्वारा गूगलसँ प्राप्त वेरिफिकेशन कोड देल गेल टेक्स्ट बॉक्समे टाइप करू। |
06:24 | Continue पर क्लिक करू। |
06:27 | आब हम Create your public Google+ profile पेज पर छी। |
06:32 | एतए अहाँ अपना नाम देखि सकै छी। |
06:35 | एकर नीचाँ एतए Add a photo विकल्प अछि। |
06:39 | अपन गूगल प्रोफाइल पर फोटो जोड़ै लेल अहाँ अइ पर क्लिक क' सकै छी। |
06:44 | एतए Create your profile नामक एकटा बटन अछि। |
06:48 | थोड़े काल लेल, हम अइ स्टेप सबकें छोड़ि रहल छी। |
06:51 एकर बदला अपन ईमेल अकाउंट कें आगू बढ़बै लेल हम No Thanks बटन पर क्लिक करब। | |
06:58 आब, हम वेलकम पेज पर छी। | |
07:02 | हमरा देखाइत अछि Welcome, Rebecca |
07:06 | हमर नया 'ईमेल एड्रेस' ray.becky.0808@gmail.com सेहो देखाइत अछि। |
07:16 | आब, Continue to Gmail बटन पर क्लिक करू। |
07:22 | एतए अहाँक मेल अकाउंट लोड हएब शुरुह हैत। |
07:24 | अहाँक इंटरनेटक स्पीडक आधार पर ई किछु समय ल' सकैत अछि। |
07:28 | जँ हमरा सभक इंटरनेट सुस्तु अछि, त' हम Load basic HTML पर क्लिक क' सकै छी। |
07:33
ई दहिना कात नीचाँमे उपलब्ध अछि। | |
07:37 | ई बिना कोनो ग्राफिकल प्रदर्शन के जीमेल लोड करत। |
07:41 | स्क्रीन पर किछु इन्फॉर्मेशन बॉक्स सब देखाएत। |
07:46 | ओकरा पढ़ू अथवा Next बटन पर क्लिक करैत आगू देखू आ फेर ओकरा बंद करू। |
07:53 | ई अहाँक जीमेल अकाउंटक स्टैण्डर्ड व्यू थिक। |
07:58 | मध्य डिस्प्ले क्षेत्र, जतए हम अपन सबटा मेल्स देख सकै छी-- |
08:04 | ध्यान राखी जे एतए तीन टा टैब्स अछि। तकरा मादे हम विस्तारसँ आगूक ट्यूटोरियल्समे सीखब। |
08:12 | बामा दिश, हम किछु मेन्यू आइटम्स देख सकै छी। |
08:16 | एतए Inbox, Starred, Sent Mail, Drafts आ जीमेलक किछु आओर मुख्य मेलबॉक्से अछि। |
08:29 | डिफ़ॉल्ट रूपें, Inbox क्लिक कएल रहैत अछि आ एकर सामग्री डिस्प्ले क्षेत्रमे प्रदर्शित रहैत अछि। |
08:36 | ध्यान रहए जे Inbox लग ब्रैकेट्मे नंबर 3 अछि। |
08:41 | ई अहाँक आईडीमे आएल नब मेल'क संख्या थिक। |
08:46 | जखन कखनहुँ हम नब गूगल अकाउंट बनबै छी, त' हमरा गूगल टीम दिशसँ किछु मेल अबैत अछि। |
08:52 | जीमेलक सुविधा सम्ब न्धीट अधिक जानकारी लेल अहाँ ओकरा पढ़ि सकै छी। |
08:58 | आब, सीखी जे ईमेल कोना लिखल जाए। |
09:02 | बामा कातक COMPOSE बटन पर क्लिक करू। |
09:06 | New Message नामसँ एकटा विंडो खुजत। |
09:10 | अइमे चारि टा खण्ड होइत अछि। |
09:13 | To मे हम ओइ व्यक्तिक ईमेल एड्रेस टाइप करब जिनका हम मेल पठब' चाहै छी। |
09:21 | एतए हम ओएह ईमेल-id टाइप करब जे हम एखन बनौने छी, अर्थात् ray.becky.0808@gmail.com |
09:35 | एकर अर्थ भेल जे हम स्वoयंकें मेल पठा रहल छी। |
09:39 | अगिला खण्ड Subject थिक। |
09:42 | एतए हम मेल'क विषय संक्षेपमे टाइप क' सकै छी। |
09:46 | जेना 'Welcome mail' |
09:50 | आगू कंटेंट, अर्थात् विषय वस्तु क्षेत्र अछि। |
09:53 | एतए हमरा ओ बात टाइप करबाक अछि, जे हम पठब' चाहै छी। |
09:57 | आब टाइप करै छी, Greetings to all from the Spoken Tutorial Project |
10:03 | आखिरी खण्ड मे, नील रंग'क Send बटन अछि। |
10:08 | ईमेल पठेबा लेल अइ पर क्लिक करू। |
10:11 | ध्यान राखी जे आब इनबॉक्समे प्राप्त मेलक संख्या 4 भ' जाएत। |
10:16 | कोनो खास मेलकें पढ़' लेल, ओइ पर क्लिक करू। |
10:20 | एतए ओ मेल अछि जे एखन हम स्वेयं पठौने छी। |
10:23 | आब एकरा देखै छी। |
10:26 | 'Show Details' एरो पर क्लिक करू। |
10:29 | एतए मेल पठौनिहार आ प्राप्तक केनिहार'क ईमेल एड्रेस देखाएत। |
10:34 | एतए ओ तिथि आ समय सेहो देखाएत जखन ईमेल पठाओल गेल अछि। |
10:39 | एतए ईमेलक सब्जेक्ट लाइन अछि। |
10:43 | आ ईमेलक विषय सेहो अछि। |
10:47 | आब, देखब जे इनबॉक्समे बिन पढ़ल मेलक संख्या 3 अछि। |
10:54 | आब सीखी जे Gmail सँ साइन आउट कोना होइ। |
10:58 | ऊपर दहिना दिश, अहाँकें अपन ईमेल-id देखाएत। |
11:03 | जँ अकाउंट बनबै काल अहाँ अपन फोटो अपलोड केने हएब, त' एतए ओहो देखाएत। |
11:08 | अइ पर क्लिक करू। |
11:10 | एतए Sign Out बटन देखाएत। साइन आउट कर' लेल ओइ पर क्लिक करू। |
11:17 | अहाँ Gmail सँ सफलतापूर्वक साइन आउट भ' गेल छी। |
11:21 | आब अहाँ अइ ट्यूटोरियलक अन्तमे आबि गेल छी। |
11:25 | संक्षेपमे कही त' हम सब सिखलहुँ-- |
11:28 | नब गूगल अकाउंट बनाएब। |
11:31 | गूगल अकाउंटक प्रयोग करैत gmail मे लॉगिन करब। |
11:34 | ईमेल लीखब। |
11:36 | ईमेल पठाएब। |
11:37 | ईमेल देखब। |
11:39 | आ जीमेल सँ लॉगआउट हएब। |
11:41 | देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थिक। |
11:45 | कृपपूर्वक एकरा डाउनलोड क' कए देखू। |
11:49 | अइ संचालित कार्यशालामे ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहार प्रतिभागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि। |
11:55 | अधिक जानकारी लेल, कृपया सम्पमर्क करी। |
11:58 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक, एम एच आर डीक NMEICT द्वारा समर्थित अछि। |
12:05 | अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि । |
12:10 | अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद। |