Introduction-to-Computers/C2/Compose-Options-for-Email/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 12:23, 19 August 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search

Time Narration

00:01 'Compose Options for Emails' पर स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।

00:07 अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍ सीखब, जे--

00:10 * ईमेल प्राप्तकर्ता To, Cc, आ Bcc की थि‍क

00:16 * ईमेल टेक्स्ट के फॉर्मेट केहेन हो

00:19 * ईमेलमे फाइल कोना संलग्न करी

00:22 * 'Google Drive (गूगल ड्राइव)' द्वारा फाइल शेयर कोना करी

00:25 * ईमेलमे फोटो अथवा 'लिंक' कोना जोड़ी

00:29 आ *'Compose विंडो' विकल्पके कोना संचालि‍त करी

00:33 अइ ट्यूटोरियल लेल, अहाँकें इंटरनेट कनैक्शन

00:38 आ कोनो एकटा वेब ब्राउज़रक प्रयोजन हएत।

00:40 अइ प्रस्तुवति‍मे हम 'Firefox' वेब ब्राउज़रक उपयोग क' रहल छी।

00:45 आब शुरुह करै छी।

00:46 अपन वेब ब्राउज़र खोलू आ टाइप करू : 'http://gmail.com'

00:55 'Login' 'पेज' खुजैत अछि‍।

00:58 सम्बन्धि त 'टेक्स्ट बॉक्स'मे 'username' आ 'password' भरू।

01:04 जँ 'लॉगिन पेज' 'यूज़रनेम'क संग खुजैत अछि त' एकर अर्थ भेल जे अहाँ पहि‍नहुँ अपनी मशीनसँ ई 'अकाउण्टो' एक्सेस केने छी।

01:12 पासवर्ड भरू।

01:15 आ 'Sign in' बटन पर क्लिक करू।

01:18 हमरा लोकनि‍ अपन 'Gmail पेज' पर छी।

01:21 आब, ईमेल लिखबा लेल उपलब्ध विकल्पकें देखी।

01:26 पहि‍ने 'Compose' बटन पर क्लिक करै छी।

01:31 'Compose विंडो' खुजैत अछि।

01:34 'To' सेग्मेण्‍ट, जतए हमसब प्राप्तकर्ताक विवरण दै छी।

01:38 एतए तीन टा विकल्प होइत अछि--'To, Cc आ Bcc'

01:44 'Cc' क अर्थ भेल जि‍नका प्रति‍लि‍पि‍ पठेबाक अछि‍ आ 'Bcc' क अर्थ भेल जि‍नका ब्लाीइण्ड प्रति‍लि‍पि‍ पठेबाक अछि।

01:51 'To' क्षेत्रमे ओइ व्यक्तिक ईमेल एड्रेस लिखबाक अछि जिनका हम ईमेल पठा रहल छी।

01:58 एतए एकटा 'screenshot' अछि।

02:01 जँ हमरा ओएह ईमेल एकसँ अधिक लोककें पठेबाक अछि त' 'To' क्षेत्रमे ओ सबटा 'email-id' जोड़ैत जाइ।

02:09 एतए एकटा 'screenshot' अछि।

02:12 ओही ईमेलक प्रति‍लि‍पि‍ आनहुँकें पठेबा लेल 'Cc' विकल्पक प्रयोग करू।

02:18 'To' आ 'Cc' के समस्तe प्राप्तकर्ता अन्य स'ब प्राप्तकर्ताक सूची देखि‍ सकै छथि‍।

02:25 एतए एकटा 'स्क्रीनशॉट' अछि।

02:28 ओही ईमेलक प्रति‍लि‍पि‍ ब्लाइण्‍ड अर्थात् गुप्त रूपें कि‍नकहु पठेबाक हो त' 'Bcc' विकल्पक प्रयोग क' सकै छी।

02:34 अइ विकल्पमे, 'To' आ 'Cc' वाला प्राप्तकर्ता 'Bcc'मे जोड़ल प्राप्तकर्ताकें नइँ देखि‍ सकै छथि‍।

02:42 'Bcc' वाला प्राप्तकर्ता 'To' आ 'Cc' क प्राप्तकर्ताकें देखि‍ सकै छथि‍।

02:47 मुदा 'Bcc' क अन्य प्राप्तकर्ताकें कि‍ओ नइँ देखि‍ सकै छथि‍।

02:51 ईमेल'क प्रेषक, प्राप्तकर्ताक सम्पूार्ण सूची देखि‍ सकै छथि‍।

02:55 एतए एकटा 'स्क्रीनशॉट' अछि।

02:58 आवश्यलक टि‍प्पपणी :

03:00 प्राप्तकर्ताक क्षेत्र 'To, Cc' आ 'Bcc'मे हम कतबो संख्याखमे 'email-id' जोड़ि‍ सकै छी।

03:08 मुदा प्रतिदिन अधिकतम प्राप्तकर्ताक सीमा 500 अछि।

03:13 प्रत्येक मेल-आई डी स्पेस अथवा कॉमा अथवा कोलन लगा क' अलग कएल जा सकैत अछि।

03:20 आब अपन 'Gmail' कम्‍पोज़ विण्‍डो में वापस चली।

03:25 डिफ़ॉल्ट रूपें, 'कर्सर' एखन 'To' क्षेत्रमे अछि।

03:29 आब प्राप्तकर्ताक पता भरबाक पद्धति‍ देखू--

03:33 'To' क्षेत्रमे, ईमेल-आई डी ray.becky.0808@gmail.com भरू।

03:46 'Cc' क्षेत्रमे, 0808iambecky@gmail.com भरू।

03:55 'Bcc' क्षेत्रमे, stlibreoffice@gmail.com आ info@spoken-tutorial.org भरू।

04:10 'Subject' लाइन पर क्लिक करू आ अपन ईमेलक संक्षि‍प्त विवरण भरू।

04:15 हम टाइप करै छी: 'Partner with us'

04:19 कण्‍टेण्‍ट क्षेत्रमे, आब मैसेज टाइप करै छी :

04:24 'Spoken Tutorial Project is helping to bridge the digital divide'.

04:29 ईमेलक संरचनामे 'Gmail' टेक्स्ट पर बुनियादी फॉर्मेटिंग करबाक सुविधा दैत अछि।

04:35 डिफ़ॉल्ट रूपें, ई 'Compose विण्‍डो'मे नि‍चला भागमे देखाइत अछि।

04:41 से नइँ हो त' फॉर्मेटिंग 'टूलबार'कें एक्सेस करू, 'Formatting options' बटन पर क्लिक करू।

04:47 एतए, वि‍भिन्न fonts, sizes, bold, italic, underline, text, color, align, numbered', 'bulleted lists', 'indentation' आदि‍क विकल्प अछि‍।

05:03 ई विकल्प वस्तुत: 'वर्ड प्रोसेसर एप्लीकेशने' जकाँ अछि‍।

05:08 अइमे अहाँ स्वtयं विकल्पक ताकि‍ सकै छी।

05:12 हम अइ तरहें अपन टेक्स्टकें फॉर्मेट केलहुँ।

05:16 फॉर्मेटिंग 'टूलबार'कें नुकेबा लेल, 'Formatting options' बटन पर क्लिक करू।

05:22 'फाइल्स, फोटोज़, लिंक्स आ emoticons' कें संलग्न करबाक विकल्प 'Compose विंडो'मे अछि‍।

05:32 दोसरा संग 'फाइल्स' आ 'डॉक्यूमेंट्स' शेयर करबा लेल,

05:35 हम 'Attach files' या 'Insert files using Drive' विकल्पक प्रयोग क' सकै छी।

05:41 'attachment' जकाँ फाइल पठेबाक सुविधा सब 'Mail'मे होइत अछि।

05:46 25 मेगाबाइट्स आकार धरि‍क फाइल अहाँ संलग्न क' सकै छी।

05:51 अइसँ पैघ आकार'क फाइल पठेबा लेल, अहाँ 'Insert files using Drive' विकल्पक प्रयोग क' सकै छी।

05:59 आब पहि‍ने एकटा 'pdf फाइल' संलग्न करै छी, जे 1 Mb साइज़सँ छोट अछि।

06:04 पेपर क्लिप देखाइत 'Attach file' आइकन पर क्लिक करू।

06:09 ई 'फाइल ब्राउज़र' खोलत।

06:12 फाइलकें ब्राउज़ करू आ ताकू जे अहाँ कोन फाइल मेल कर' चाहै छी।

06:16 हम डेस्कटॉपसँ 'myscript.pdf' तय करैत 'Open' पर क्लिक करब।

06:23 हम देख सकै छी जे हमर फाइल मेलमे संलग्न भ' रहल अछि।

06:27 'Attach files' विकल्पक प्रयोगसँ ओही मेलमे आओरो फाइल संलग्न कएल जा सकैत अछि‍।

06:34 मैसेज संगें जोड़ल फाइलकें हटेबा लेल, फाइल-नाम'क दहि‍ना कात'क 'x' मार्क पर क्लिक करू।

06:41 आब, एकटा एहन फाइल संलग्न करै छी जे लगभग 30Mbक अछि।

06:46 हमर 'डेस्कटॉप' पर लगभग 30Mbक एकटा 'zip file' अछि।

06:52 एक बेर फेर 'Attach files' आइकन पर क्लिक करू।

06:56 30Mbक 'ज़िप फाइल' कें ब्राउज़ करू आ फाइल तय क' कए 'Open' पर क्लिक करू।

07:02 सोझाँमे पॉपअप मैसेज आओत :

07:04 'The file you are trying to send exceeds the 25mb attachment limit'

07:09 अही संगें ओ विकल्प दैत अछि‍ Send using Google drive.

07:14 'Send using google drive' बटन पर क्लिक करू।

07:18 आब एक क्षण लेल अइ डॉक्यूमेंटकें बन्‍द करै छी।

07:21 'Insert files using Drive' विकल्प पर क्लिक करब त' पहि‍ने वाला विंडो सोझाँ आओत।

07:28 एतए हम तीन 'टैब्स' देखि‍ सकै छी :

07:31 'My Drive', 'Shared with me' आ 'Upload'

07:36 डिफ़ॉल्ट रूपें, जे फाइल्सि पहि‍नहि‍सँ अपलोड अछि‍ 'My Drive' टैबमे उपलब्ध हैत।

07:43 एतए अहाँ फाइल देखि‍ सकै छी।

07:46 एकाउण्टू बनेबा काल ई सब गूगल टीम द्वारा शेयर कएल गेल छल।

07:51 'Shared with me' टैब पर क्लिक करू।

07:55 एतए मैसेज देखि‍ सकै छी--'No one's shared any files with you yet!'

08:00 जँ कि‍ओ अहाँ संग फाइल शेयर करए चाहैत अछि त' से 'Shared with Me tab'मे उपलब्ध हैत।

08:06 आब, नव फाइलकें अपलोड कर' लेल 'Upload' टैब पर क्लिक करू।

08:12 'Select files from your computer' बटन पर क्लिक करू।

08:16 अपन मशीनसँ ओइ फाइलकें ब्राउज़ करू आ जे अपलोड करए चाहै छी तकरा लेल 'Open' पर क्लिक करू।

08:23 जँ अहाँ आओरो फाइल्स जोड़ए चाहै छी त' 'Add more files' बटन पर क्लिक करू ।

08:27 एखन हम एकरा छोड़ैत केवल एक्‍के टा फाइल अपलोड करब।

08:33 फाइल जोड़लाक बाद, हमरा उल्लेख करबाक अछि जे एकरा अपन मेलमे कोना प्रविष्ट करब।

08:40 ध्यातव्यल थि‍क जे नीचाँ दहि‍ना कात दू टा बटन अछि‍--

08:44 'Insert as Drive link' आ

08:46 'Attachment'

08:48 डिफ़ॉल्ट रूपें, 'Insert as Drive link' तय अछि।

08:52 'Attachment' तय करब त' फाइल 'अटैचमेंट' जकाँ प्रविष्ट कएल जाएत।

08:57 एकरा हम अहि‍ना छोड़ि‍ देंब।

09:00 स्क्रीनक निचाँ बामा कात कोनमे 'Upload' बटन पर क्लिक करू।

09:05 अपलोडिंग शुरुह भ' जाएत, मुदा अहाँक इंटरनेटक स्पीडक आधार पर ई कि‍छु समय ल' सकै छी।

09:11 एकर बाद, हम कंटेंट क्षेत्रमे, अपलोड कएल फाइलक 'लिंक' देख सकै छी।

09:17 आब ईमेलमे 'इमेज' प्रविष्ट करबा लेल 'Insert Photo' विकल्प पर क्लिक करू।

09:24 'Upload Photos' विंडो खुजत।

09:27 अपन कंप्यूटर या 'इमेज'क 'वेबसाइट एड्रेस'सँ हमरा लोकनि‍ फोटो 'अपलोड' क' सकै छी।

09:34 एखन हम कोनो इमेज 'अपलोड' नइँ करए चाहै छी।

09:38 तें हम 'Cancel' बटन पर क्लिक करब।

09:41 अइ विकल्पक खोज अहाँ स्ववयं क' सकै छी।

09:44 अगि‍ला विकल्प 'Insert Link' अछि। आब अइ पर क्लिक करू।

09:49 'Edit Link' डायलॉग बॉक्स खुजि‍ कए सोझाँ आओत।

09:53 'Text to display' क्षेत्रमे, ओ टेक्स्ट टाइप करू, जकरा अहाँ लिंक बनब' चाहै छी।

09:58 हम टाइप करब 'Spoken Tutorial'

10:02 'Link to' सेक्शनमे, डिफ़ॉल्ट रूपें 'Web address' विकल्प नि‍र्धारि‍त अछि।

10:08 टेक्स्ट क्षेत्रमे, url टाइप करू 'http://spoken-tutorial.org'

10:20 आ 'OK' बटन पर क्लिक करू।

10:23 आब, कंटेंट क्षेत्रमे, अहाँ 'Spoken Tutorial' टेक्स्ट देखि‍ सकै छी। इएह भेल 'हाइपरलिंक'।

10:29 आब हम 'हाइपरलिंक' कएल टेक्स्ट पर क्लिक करै छी।

10:32 टेक्स्ट के नीचाँ छोट-सन 'pop window' खुजैत अछि।

10:35 ई 'Go to link'क अनुमति‍ देत।

10:38 प्रदर्शित URL पर क्लिक करू, जो अहाँकें स्पोकन ट्यूटोरियल वेबसाइट'क 'होमपेज' पर ल' जाएत।

10:45 URL बदलबा लेल 'Change' आ 'लिंक' हटेबा लेल 'Remove' विकल्प पर क्लिक क' सकै छी।

10:53 हम अइ 'emoticon' आइकनक मदति‍सँ अनेक सचित्र फाइल सेहो जोड़ि‍ सकै छी।

10:59 अपन ईमेल वार्तालापमे आवश्यएकतानुसार अइ विशेषताक प्रयोग कखनहुँ क' सकै छी।

11:04 ध्यातव्यई थि‍क जे 'Saved' टेक्स्ट, 'Trash' आइकनसँ तुरन्तर पहि‍ने अछि।

11:08 जखन कखनहुँ हम कंटेंट जोड़ै छी अथवा मेटबै छी, त' ईमेल डिफ़ॉल्टक 'Drafts folder'मे ओ स्वतः सेव भ' जाएत।

11:16 ई व्य वस्थाा बिजली कटला पर अथवा इंटरनेट कनैक्शन टूटला पर टाइप कएल मैसेजकें पुनः प्राप्त करबा लेल बहुत सहायक अछि।

11:24 मैसेज हटेबाक हो त' 'Trash' आइकन पर क्लिक करू।

11:28 ई क्रिया 'Drafts folder' सँ ईमेलकें हटा देत।

11:34 Trash' आइकन के बाद अवस्थिa‍त More options बटन पर क्लिक करू।

11:39 'Default to full-screen' विकल्प 'Compose विंडो'कें नमहर करत।

11:44 'Label' - अइ विशेषताक मादे हम भावी ट्यूटोरियल्समे सीखब।

11:49 समस्तl फॉर्मेटिंग जे हमरा लोकनि‍ पहि‍ने केने छी, से 'Plain text mode' विकल्प देत आ मेलकें प्लेन टेक्स्टमे बदलि‍ देत।

11:57 'Print' विकल्प टाईप कएल मेलकें डिफ़ॉल्ट रूपें प्रिंटरमे पठाओत।

12:03 'Check Spelling' टाइप कएल कंटेंटक स्पेलिंग चेक करत।

12:07 आब हमरा लोकनि‍ अपन मेल पठेबा लेल तैयार छी।

12:09 'Send' बटन पर क्लिक करू।

12:12 स्क्रीन पर निम्नलि‍खि‍त मैसेज आओत--

12:15 'This Drive file isn't shared with all recipients'.

12:19 ई अइ लेल जे हमरा लोकनि‍ ओ फाइल हुनकालोकनि‍कें शेयर नइँ केने छी जे अइ ईमेलमे मार्क कएल छथि‍।

12:25 'Share & Send' बटन पर क्लिक करू।

12:29 स्क्रीन पर दू मे सँ कोनो एक टा मैसेज देखाओत--

12:32 'Your message is sending'

12:34 अथवा 'Your message has been sent'.

12:38 पठाओल मेलकें देखबालेल, 'View Message' लिंक पर क्लिक करू।

12:43 एतए आहि‍ ईमेलक कंटेंट देखल जा सकैत अछि‍ जे हम पठौने छी।

12:47 आब हम एक एक क' दोबारा जाँच करै छी।

12:50 एतए 'attachments' अछि‍

12:52 आ एतए 'URL लिंक' अछि।

12:55 मेल एड्रेसक नीचॉं एकटा उनटा त्रिकोण अछि जो हेडर विवरण देखबैत अछि।

13:00 हम अइ पर क्लिक करै छी।

13:03 हम 'To, Cc' आ 'Bcc' क्षेत्रोंमे समस्तप प्राप्त कर्ताक 'इमेल-id' देखि‍ सकै छी।

13:11 देखल जाए जे प्राप्तकर्ता लोकनि‍कें गेल ईमेल केहन देखेतनि‍।

13:16 ई 'Cc' मार्क कएल प्राप्तकर्ताक 'मेल-id' थि‍क।

13:21 अहाँ ओहो मैसेज देखि‍ सकै छी जे एखन पठाैने छी। हम एकरा पढ़बा लेल खोलै छी।

13:27 'Show Details' पर क्लिक करू।

13:29 ई 'To' आ 'Cc' क प्राप्तकर्ताक सूची देखाओत, मुदा 'Bcc' क नइँ देखओत।

13:35 ई 'Bcc'मे मार्क कएल कोनो एक प्राप्तकर्ताक मेल-आईडी थि‍क।

13:41 अहाँ ओ मैसेज देखि‍ सकै जे एखन पठौने छी।।

13:43 पढ़बा लेलअइ मेलकें खोलै छी।

13:46 'Show Details' पर क्लिक करू।

13:49 अहाँ 'To, Cc आ Bcc' के प्राप्त कर्ताक विवरण देखि‍ सकै छी।

13:55 आब हम पठब'वलाक जीमेल अकाउण्टर पर वापस अबै छी।

13:59 एतए देखू, हम 'Bcc'मे दू गोट प्राप्तकर्ताक उल्लेख कएने छी।

14:04 मुदा एतए हम एक्‍के टा 'email id' देखि‍ सकै छी। दोसर नइँ देखाएत।

14:10 'Bcc' फ़ीचर अइ प्रकारें कार्य करैत अछि।

14:13 आशा करै छी जे अहाँ स्पष्ट रूपें अंतर देखबामे सक्षम हएब।

14:17 एवम् प्रकारें हम ट्यूटोरियलक अंतमे आबि‍ गेल छी।

14:20 आब एकर सार-संक्षेप करै छी।

14:22 अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि‍ सि‍खलहुँ---

14:25 * ईमेल प्राप्त कर्ता अर्थात- 'To, Cc, Bcc' क मादे,

14:30 * इमेल्स टेक्स्टक फॉर्मेटिंग करब

14:33 * इमेलमे फाइल्स संलग्न करब

14:36 * 'Google Drive' सँ फाइल्स शेयर करब

14:39 * ईमेलमे फोटो अथवा 'लिंक' जोड़ब आ

14:43 * 'Compose विंडो'क विकल्प खोलब

14:47 अइ लिंक पर उपलब्ध वीडिओमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सार-संक्षेप अछि।

14:52 कृपया एकरा डाउनलोड करी आ देखी।

14:55 हमरा लोकनि‍ कार्यशालादि‍ संचालित करै छी आ 'ऑनलाइन' टेस्ट पास कर'बलाकें प्रमाणपत्र दै छी।

15:01 अधिक जानकारी लेल हमरासँ संपर्क करू।

15:04 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक एम एच आर डी'क NMEICT द्वारा समर्थित अछि।

15:11 अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि।

15:21 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok