Introduction-to-Computers/C2/Printer-Connection/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 21:21, 10 August 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search

Time Narration

00:01 नमस्कार। Printer Connection क स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।

00:06 अइ ट्यूटोरियलमे, हमरा लोकनि‍ प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़नाइ सीखब।

00:11 अइ ट्यूटोरियल लेल, हमरा

00:13 उबन्टु लिनक्स 12.10 ओ एस

00:17 आ कैनन प्रिंटरक उपयोग क' रहल छी

00:20 सबसँ पहि‍ने अहाँ लोकनि‍कें कंप्यूटरक वि‍भि‍न्नर घटक'क मादे फटाफट जानकारी द' दी।

00:25 ई थि‍क CPU

00:27 ई मॉनिटर

00:29 ई कीबोर्ड

00:30 ई माउस

00:32 आ ई प्रिंटर

00:34 आब CPU कें देखै छी।

00:41 बहुत रास CPUमे, USB पोर्ट्स आगूमे होइत अछि

00:46 आ किछुमे पाछूमे।

00:49 आब, एक नजरि‍ प्रिंटर पर दी।

00:53 सामान्यतः प्रिंटरमे पावर स्विच आगू अथवा ऊपरमे होइत अछि।

01:00 प्रिंटरक पाछूमे एकटा पावर स्लॉट आ एकटा USB पोर्ट होइत अछि।

01:11 प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़बा लेल, एकटा USB केबल'क उपयोग होइत अछि।

01:16 आब USB केबलकें प्रिंटरसँ जोड़ै छी।

01:22 फेर केबल'क दोसर छोर CPUक USB पोर्टसँ जोड़ै छी।

01:30 आब, हमरा सभक प्रिंटर कंप्यूटरसँ जुड़ि‍ गेल अछि।

01:33 प्रिंटर पर जे पावर बटन अछि ओकरा ऑन (on) करू।

01:37 आब, हम अपन कंप्यूटरक उपयोग प्रिंटरकें कॉन्फ़िगर करबामे करै छी।

01:43 आब 'डेस्कटॉप' पर अबै छी।

01:46 सबसँ ऊपर बामा कात 'लांचर बार' पर 'डैश होम' आइकन पर क्लिक करू,

01:53 'सर्च बार'मे टाइप करू 'प्रिंटिंग (printing)'

01:58 प्रिंटर आइकन प्रदर्शित हैत।

02:02 अइ पर क्लिक करू।

02:04 उबन्टुक पुरने वर्जन्समे,

02:07 'System (सिस्टम)'

02:08 'Administration (एडमिनिस्ट्रेशन)'

02:09 आ 'Printing (प्रिंटिंग)' पर क्लिक करू।

02:12 आब, 'प्रिंटिंग' डायलॉग बॉक्स खुजैत अछि‍।

02:16 ई सूचना देत--'There are no printers configured yet'.

02:21 ऊपरमे बाम कोन पर, हरि‍यर 'प्लस' संकेत'क संग एकटा 'Add' बटन अछि। अइ पर क्लिक करू।

02:30 ई 'न्यू प्रिंटर' डायलॉग बॉक्स खोलत।

02:34 बाम दि‍श, कंप्यूटरसँ जुड़ल प्रिंटर उपकरणक सूची प्रदर्शित अछि।

02:42 एतए, अपन प्रिंटर तय करू, अर्थात् 'कैनन प्रिंटर' आ 'फॉरवर्ड (Forward)' पर क्लिक करू।

02:51 फेर ई स्वeयमेव उपकरण ताकब शुरुह क' देत। हम 'कैंसिल (cancel)' पर क्लिक करै छी।

02:59 आब, डायलॉग बॉक्स 'Choose Driver' विकल्प पर जाइत अछि।

03:04 अधि‍कांश स्थितिमे त' 'डिफ़ॉल्ट' विकल्प काज करत।

03:08 चूँकि हमरा सभ'क 'कैनन प्रिंटर' अछि, तें अइ सूचीमे, ई डिफ़ॉल्ट रूपें चुनल गेल अछि।

03:16 आब 'फॉरवर्ड (Forward)' पर क्लिक करू।

03:19 'मॉडल' पेजमे, हमर प्रिंटर मॉडल स्वभावत: नि‍र्धारि‍त अछि‍।

03:26 एतए कोष्ठॉकमे 'Recommended (रेकमेन्डड)' दर्शाओल अछि।

03:31 ई 'ड्राइवर्स (Drivers)' सेक्शनमे सेहो देखाइत अछि, अभि‍प्राय, जे हमरा प्रिंटर लेल ड्राइवर ठीक अछि।

03:38 आब, 'Forward (फॉरवर्ड)' पर दोबारा क्लिक करू।

03:42 आब, हमारासँ प्रिंटरक बारेमे जानकारी देबा लेल कहल जाइत अछि--प्रिंटरक नाम आ ओकर लोकेशन।

03:49 हम एकरा 'डिफ़ॉल्टे' राखब आ 'Apply' पर क्लिक करब।

03:53 हमर प्रिंटर सफलतापूर्वक कंप्यूटरसँ जुड़ि‍ गेल अछि।

04:00 एकटा मैसेज देखाइत अछि 'Would you like to print a test page?'

04:04 आब, 'Print Test Page' विकल्प पर क्लिक करू।

04:08 एकटा मैसेज संगें पॉप अप देखाइत अछि

04:12 'Submitted – Test Page submitted as job ...' आ एकर नंबर।

04:18 'OK' पर क्लिक करू।

04:20 'प्रिंटर प्रोपर्टीज़ (Printer Properties) डायलॉग बॉक्समे, दोबारा 'OK' पर क्लिक करू।

04:24 देखू हमर प्रिंटरसँ एकटा टेस्ट (test) प्रिंट बहराएल।

04:29 आब हमर प्रिंटर डॉक्युमेंट्स प्रिंट करबा लेल तैयार अछि।

04:34 आब 'printer' डायलॉग बॉक्स बंद करै छी।

04:37 आब हम फटाफट देखबै छी जे डॉक्युमेंट कोना प्रिंट करी।

04:42 कानो डॉक्युमेंट खोलू।

04:45 फेर, एक्के संग 'Ctrl' आ 'P' बटन दबाउ।

04:49 'प्रिंट (Print)' डायलॉग बॉक्स खुजैत अछि।

04:53 ध्यान रहए जे कि जुड़ल प्रिंटर डिफ़ॉल्ट रूपें चुनल गेल अछि।

04:58 डायलॉग बॉक्समे, हमरा सोझाँ कैक टा विकल्प अछि।

05:03 'Range' हमरा मनवांछि‍त पेज'क रेंज तय करबाक अनुमति दैत अछि।

05:08 एतए 'रेंज'मे कुछ विकल्प उपलब्ध अछि।

05:12 'ALL pages' विकल्प डॉक्युमेंटक समस्तप पृष्ठक प्रिंट करत।

05:16 'Current page' विकल्प केवल सम्मुुख चुनल पृष्ठ प्रिंट करत।

05:22 'Pages' विकल्प हमर विशेष विवरणक आधार पर पृष्ठक प्रिंट करत, उदाहरणार्थ पृ. 3 से 4 लै छी। 05:31 आब हम 'Copies'मे उपलब्ध विकल्पकें देखी।

05:36 'Copies' विकल्प थि‍क जे एतए हम इच्छानुसार प्रि‍ण्टि'क संख्या तय करै छी।

05:42 जँ हम 'Copies'मे '2' भरब, त' लक्षि‍त पृष्ठिक दू प्रति प्रिंट हैत।

05:49 आब 'Print' बटन पर क्लिक करू।

05:52 जँ अहाँ अपन प्रिंटर ठीकसँ कॉन्फ़िगर क' नेने छी, त' अहाँक डॉक्यूमेंट प्रिंट हैब शुरुह भ' जाएत।

05:58 आब हमरा लोकनि‍ अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि‍ गेल छी। अइ ट्यूटोरियलमे हम

06:05 प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़ब सीखलहुँ

06:07 प्रिंटरक सेटिंग्सकें कॉन्फ़िगर करब सीखलहुँ

06:10 डॉक्युमेंट प्रिंट करब सीखलहुँ

06:12 आ उपलब्ध कैक टा प्रिंट विकल्पक मादे जानकारी प्राप्त केलहुँ।

06:17 हम आशा करै छी जे ई जानकारी सहायक रहल हैत।

06:20 नि‍र्देशि‍त लिंक पर उपलब्ध वीडियो देखी।

06:24 अइमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रदर्शि‍त अछि।

06:27 व्य2वस्थि ‍त बैंडविड्थ नइँ भेटए त' अहाँ एकरा डाउनलोड क' कए देखि‍ सकै छी।

06:32 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम  स्पोकन ट्यूटोरियक उपयोग द्वारा कार्यशाला आयोजि‍त करैत अछि।  ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हारकें प्रमाणपत्र दैत अछि। अधिक जानकारी लेल, कृपया: contact@spoken-tutorial.org पर सम्पर्क करी।

06:49 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थि‍क। ई भारत सरकारक एम एच आर डीक आई सी टीक माध्यमे राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि। अइ मिशन पर अधिक जानकारी http://spoken-tutorial.org\NMEICT-Intro पर उपलब्ध अछि।

07:10 अइ ट्यूटोरियलकें देखबा लेल धन्यवाद।

07:16 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँ सबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

PoojaMoolya, Ujjwalalok