Introduction-to-Computers/C2/Introduction-to-Gmail/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 12:17, 19 August 2017 by Ujjwalalok (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search

Time Narration

00:01 'Introduction to Gmail' क स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि‍।

00:06 अइ ट्यूटोरियलमे हम सब सीखब--

00:09 न'ब 'गूगल' अकाउंट बनाएब।

00:12 'गूगल' अकाउंटक प्रयोग द्वारा 'gmail' लॉगिन करब।

00:16 'ईमेल' लिखब।

00:18 'ईमेल' पठाएब।

00:20 'ईमेल' देखब।

00:22 आ 'जीमेल' सँ 'लॉगआउट' हएब।

00:24 हम 'इनबॉक्स (Inbox)' सनक कि‍छु महत्त्वकपूर्ण मेलबॉक्सक मादे सेहो सीखब।

00:30 अइ ट्यूटोरियल लेल, अहाँकें प्रयोजन हैत—एकटा वर्किंग 'इंटरनेट' कनेक्शनक

00:35 आ एकटा 'वेब ब्राउज़र'क।

00:37 उदाहरण लेल, हम 'फायरफॉक्स वेब ब्राउज़र'क प्रयोग करब।

00:42 हालहि‍मे, 'गूगल' अपन समस्त उत्पाद लेल एकटा सिंगल अकाउंट प्रदान केलक अछि‍, जेना कि‍

00:48 'Gmail' (जीमेल)

00:49 'YouTube' (यू ट्यूब)

00:50 'Google Play' (गूगल प्ले)

00:51 'Google Docs/Drive' (गूगल डॉक्स अथवा ड्राइव)

00:53 'Google Calendar' (गूगल कैलेंडर) एवं अन्य।

00:57 तें, एकहि‍ लॉगिनसँ, अहाँ अइमे सँ ककरहु ऑपरेट क' सकै छी।

01:02 आब एकटा न'ब 'गूगल' अकाउंट बनाएब शुरुह करी।

01:06 अपन वेब ब्रॉउज़र खोलू और टाइप करू http colon slash slash gmail dot com (http://gmail.com)

01:16 अइसँ हम आइ पेज पर जाएब, जतए ऊपर दहि‍ना दि‍श दू टा विकल्प देखाएत--

01:22 'Create an account' आ 'Sign in'

01:25 एना तखन हैत, जखन अपन मशीनसँ अहाँ पहि‍ल बेर एहन प्रयास करब।

01:32 जँ ई पेज अहाँक मशीनसँ पहि‍नहुँ एक्सेस भ' चुकल अछि‍, त' पेजमे देखएत--

01:39 अहाँक 'email यूज़रनेम' आ 'पासवर्ड ' प्रविष्ट करबाक वि‍कल्प‍।

01:46 एकटा पैघ बटन जे 'Sign In' कर' लेल कहत--

01:50 तकर नीचाँ, अहाँ एकटा लिंक देखब 'Create an account'

01:55 ओइ 'Create an account' लिंक पर क्लिक करू।

01:59 आब हमसब 'Google Account' क्रिएशन पेज पर छी।

02:03 दहि‍ना दि‍श एकटा फॉर्म देखाएत, जाहि‍मे अपन अकाउंट सम्ब न्धीे आ व्यक्तिगत विवरण भरबाक अछि‍।

02:11 आब सम्बन्‍धित टेक्स्ट बॉक्स सभमे अपन प्रथम आ अन्तिन‍म नाम भरबाक अछि‍।

02:17 हम अपन नाम 'Rebecca Raymond' प्रविष्ट करब।

02:23 आगू, 'Username (यूज़रनेम)' चुनबाक अछि‍।

02:27 'यूज़रनेम' अद्वितीय हेबाक चाही, आ अक्षर अथवा अल्फा-न्यूमेरिक संयोजनसँ बनाओल जेबाक चाही।

02:37 'Username (यूज़रनेम)'मे 'becky0808' भरै छी।

02:43 जँ ई 'यूज़रनेम' पहि‍नहि‍ कि‍ओ भरि‍ चुकल अछि‍, त' ओतए देखाएत--

02:49 ई यूज़रनेम पहि‍नहि‍सँ कि‍नकहु अछि‍, अहाँ दोसर प्रयास करू।

02:54 हमरा लोकनि‍ द्वारा भरल प्रथम आ अन्ति ‍म नाम'क आधार पर 'गूगल' कि‍छु 'यूसरनेम्स' सुझाएत।

03:01 हम कोनो मनपसंद यूज़रनेम द' कए ओकर उपलब्धता जाँचि‍ सकै छी।

03:07 आब हम 'यूज़रनेम'मे 'ray.becky.0808' प्रविष्ट करी

03:18 स्वीकार्य भेला पर ओतए देखएत--'यूज़रनेम' उपलब्ध अछि‍।

03:24 आब अइ अकाउंट लेल हमरा 'पासवर्ड' बनेबाक अछि‍।

03:30 बाम भाग'क इनफॉर्मेशन बॉक्ससँ पता चलत जे पासवर्ड कते टा हेबाक चाही।

03:36 अपना पसि‍नसँ एकटा उचित 'Password (पासवर्ड)' टाइप करू।

03:41 फेर 'पासवर्ड' कन्फर्म कर' लेल ओकरा दोबारा टाइप करू।

03:44 तकर बाद 'Birthday' पर आउ।

03:48 ड्राप-डाउनसँ महीना चुनू।

03:51 फेर सम्बन्‍धित टेक्स्ट बॉक्सेसमे दिन और वर्ष टाइप करू।

03:57 आब अपन जेण्‍डर चुनू।

04:00 हम 'मेल' चुनि‍ रहल छी।

04:03 अगि‍ला क्षेत्र 'Mobile phone (मोबाइल फ़ोन)' थि‍क।

04:06 तत्कााल एकरा छोड़ि‍ दै छी।

04:08 एकर बाद, एकटा टेक्स्ट बॉक्सअछि‍; जे 'current' अर्थात् मौजूदा email address' पूछैत अछि‍।

04:14 जे एखन अहाँ बना रहल छी; तकर अलावा जँ अहाँक कोनो अन्य 'ईमेल एड्रेस' अछि‍, त' एतए से टाइप करू।

04:21 जँ कोनो आन मेल आईडी नइँ अछि‍ त' एकरा खाली छोड़ि‍ दी।

04:23 आब शेष विवरण देखै छी।

04:26 अगि‍ला खण्डखमे 'Prove you're not a robot' दू गोट सत्यापन अछि‍।

04:32 फ़ोन वेरिफ़िकेशन

04:34 आ पज़ल वेरिफ़िकेशन

04:36 हम सब अइ दुनू विकल्पमे सँ कोनो एक के संगें आगू बढ़ि‍ सकै छी।

04:40 हम 'पज़ल वेरिफ़िकेशन' संगें आगू बढ़ब।

04:43 Type the text टेक्ट़्ि बॉक्सआमे इमेजमे देखाओल टेक्स्ट अथवा संख्या टाइप करू।

04:49 'Location' ड्राप-डाउनमे, डिफ़ॉल्ट रूपसँ अहाँक देश देखाओल गेल अछि‍।

04:55 हम 'इंडिया'मे रहै छी, तें हमर 'लोकेशन' ड्राप डाउनमे 'India' देखाइत अछि‍।

05:02 अन्‍तमे, 'I Agree to the Google Terms and Privacy Policy' चेक बॉक्समे टिक करै लेल क्लिक करू।

05:10 फॉर्ममे अपेक्षि‍त स'ब जानकारी भरि‍ देलाक बाद, 'Next Step' बटन पर क्लिक करबाक अछि‍।

05:17 मुदा एखन हम से नइँ करब।

05:20 आब देखी जे 'फ़ोन वेरीफिकेशन' चुनला पर की‍ होइत अछि।

05:25 Phone Verification may be required वि‍कल्परमे Skip this verification चेक बॉक्स पर क्लिक करू।

05:32 लोकेशनमे 'India (भारत)' क्लिर‍क करू।

05:35 फेर 'I Agree to the Google Terms and Privacy Policy' चेक बॉक्समे क्लिक करू।

05:41 आ अन्‍तमे, 'Next Step' पर क्लिक करू।

05:45 ई 'फ़ोन वेरिफिकेशन' पेज पर ल' जाएत।

05:50 ड्राप-डाउनसँ देशक झण्‍डा चुनू, हम 'इंडिया' चुनि‍ रहल छी।

05:55 देल गेल टेक्स्ट बॉक्समे अपन मोबाइल नंबर भरू।

06:00 'Text messageमे SMS विकल्प चुनू। ई स्वतयमेव डिफ़ॉल्ट रूपें चुना जाएत।

06:07 फेर 'Continue' बटन पर क्लिक करू।

06:10 अहाँक फ़ोन पर एक 'SMS' आबि‍ जाएत।

06:13 अइसँ अहाँ वेरिफिकेशन'क अगि‍ला भागमे पहुँचि‍ जाएब।

06:17 आब SMS द्वारा 'गूगल'सँ प्राप्त वेरिफिकेशन कोड देल गेल टेक्स्ट बॉक्समे टाइप करू।

06:24 Continue पर क्लिक करू।

06:27 आब हम 'Create your public Google+ profile' पेज पर छी।

06:32 एतए अहाँ अपना नाम देखि‍ सकै छी।

06:35 एकर नीचाँ एतए 'Add a photo' विकल्प अछि‍।

06:39 अपन 'गूगल प्रोफाइल' पर फोटो जोड़ै लेल अहाँ अइ पर क्लिक क' सकै छी।

06:44 एतए 'Create your profile' नामक एकटा बटन अछि‍।

06:48 थोड़े काल लेल, हम अइ स्टेप सबकें छोड़ि‍ रहल छी।

06:51 एकर बदला अपन 'ईमेल अकाउंट' कें आगू बढ़बै लेल हम 'No Thanks' बटन पर क्लिक करब।

06:58 आब, हम 'वेलकम' पेज पर छी।

07:02 हमरा देखाइत अछि‍ 'Welcome, Rebecca'

07:06 हमर नया 'ईमेल एड्रेस' 'ray.becky.0808@gmail.com' सेहो देखाइत अछि।

07:16 आब, 'Continue to Gmail' बटन पर क्लिक करू।

07:22 एतए अहाँक मेल अकाउंट लोड हएब शुरुह हैत।

07:24 अहाँक इंटरनेटक स्पीडक आधार पर ई कि‍छु समय ल' सकैत अछि‍।

07:28 जँ हमरा सभक इंटरनेट सुस्तु अछि‍, त' हम 'Load basic HTML' पर क्लिक क' सकै छी।

07:33 ई दहि‍ना कात नीचाँमे उपलब्ध अछि‍।

07:37 ई बि‍ना कोनो ग्राफिकल प्रदर्शन के 'जीमेल' लोड करत।

07:41 स्क्रीन पर कि‍छु इन्फॉर्मेशन बॉक्स सब देखाएत।

07:46 ओकरा पढ़ू अथवा 'Next' बटन पर क्लिक करैत आगू देखू आ फेर ओकरा बंद करू।

07:53 ई अहाँक 'जीमेल' अकाउंटक 'स्टैण्डर्ड व्यू' थि‍क।

07:58 मध्य डिस्प्ले क्षेत्र, जतए हम अपन सबटा मेल्स देख सकै छी--

08:04 ध्यान राखी जे एतए तीन टा टैब्स अछि‍। तकरा मादे हम विस्तारसँ आगूक ट्यूटोरियल्समे सीखब।

08:12 बामा दि‍श, हम कि‍छु मेन्यू आइटम्स देख सकै छी।

08:16 एतए 'Inbox, Starred, Sent Mail, Drafts' आ 'जीमेल'क कि‍छु आओर मुख्य मेलबॉक्से अछि‍।

08:29 डिफ़ॉल्ट रूपें, 'Inbox' क्लिt‍क कएल रहैत अछि‍ आ एकर सामग्री डिस्प्ले क्षेत्रमे प्रदर्शित रहैत अछि‍।

08:36 ध्यान रहए जे 'Inbox' लग ब्रैकेट्मे नंबर 3 अछि‍।

08:41 ई अहाँक आईडीमे आएल न'ब मेल'क संख्या थि‍क।

08:46 जखन कखनहुँ हम न'ब 'गूगल' अकाउंट बनबै छी, त' हमरा 'गूगल टीम' दि‍शसँ कि‍छु मेल अबैत अछि‍।

08:52 'जीमेल'क सुवि‍धा सम्ब न्धीट अधिक जानकारी लेल अहाँ ओकरा पढ़ि‍ सकै छी।

08:58 आब, सीखी जे ईमेल कोना लि‍खल जाए।

09:02 बामा कातक 'COMPOSE' बटन पर क्लिक करू।

09:06 'New Message' नामसँ एकटा विंडो खुजत।

09:10 अइमे चारि‍ टा खण्डE होइत अछि‍।

09:13 'To' मे हम ओइ व्यक्तिक ईमेल एड्रेस टाइप करब जि‍नका हम मेल पठब' चाहै छी।

09:21 एतए हम ओएह ईमेल-id टाइप करब जे हम एखन बनौने छी, अर्थात् ray.becky.0808@gmail.com

09:35 एकर अर्थ भेल जे हम स्वoयंकें मेल पठा रहल छी।

09:39 अगि‍ला खण्ड‍ 'Subject' थि‍क।

09:42 एतए हम मेल'क वि‍षय संक्षेपमे टाइप क' सकै छी।

09:46 जेना 'Welcome mail'

09:50 आगू कंटेंट, अर्थात् विषय वस्तु क्षेत्र अछि‍।

09:53 एतए हमरा ओ बात टाइप करबाक अछि‍, जे हम पठब' चाहै छी।

09:57 आब टाइप करै छी, 'Greetings to all from the Spoken Tutorial Project'

10:03 आखिरी खण्ड मे, नील रंग'क 'Send' बटन अछि‍।

10:08 ईमेल पठेबा लेल अइ पर क्लिक करू।

10:11 ध्यान राखी जे आब इनबॉक्समे प्राप्तk मेलक संख्या 4 भ' जाएत।

10:16 कोनो खास मेलकें पढ़' लेल, ओइ पर क्लिक करू।

10:20 एतए ओ मेल अछि‍ जे एखन हम स्वेयं पठौने छी।

10:23 आब एकरा देखै छी।

10:26 'Show Details' एरो पर क्लिक करू।

10:29 एतए मेल पठौनि‍हार आ प्राप्तक केनि‍हार'क ईमेल एड्रेस देखाएत।

10:34 एतए ओ ति‍थि‍ आ समय सेहो देखाएत जखन ईमेल पठाओल गेल अछि‍।

10:39 एतए ईमेलक सब्जेक्ट लाइन अछि‍।

10:43 आ ईमेलक विषय सेहो अछि‍।

10:47 आब, देखब जे इनबॉक्समे बिन पढ़ल मेल'क संख्या 3 अछि‍।

10:54 आब सीखी जे 'Gmail' सँ साइन आउट कोना होइ।

10:58 ऊपर दहि‍ना दि‍श, अहाँकें अपन 'ईमेल-id' देखाएत।

11:03 जँ अकाउंट बनबै काल अहाँ अपन फोटो अपलोड केने हएब, त' एतए ओहो देखाएत।

11:08 अइ पर क्लिक करू।

11:10 एतए 'Sign Out' बटन देखाएत। साइन आउट कर' लेल ओइ पर क्लिक करू।

11:17 अहाँ 'Gmail' सँ सफलतापूर्वक साइन आउट भ' गेल छी।

11:21 आब अहाँ अइ ट्यूटोरियलक अन्‍तमे आबि‍ गेल छी।

11:25 संक्षेपमे कही त' हम सब सि‍खलहुँ--

11:28 न'ब 'गूगल' अकाउंट बनाएब।

11:31 'गूगल अकाउंट'क प्रयोग करैत 'gmail' मे लॉगिन करब।

11:34 'ईमेल' लीखब।

11:36 'ईमेल' पठाएब।

11:37 'ईमेल' देखब।

11:39 आ 'जीमेल' सँ लॉगआउट हएब।

11:41 देल गेल लिंक पर उपलब्ध वीडिओ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट'क सारांश थि‍क।

11:45 कृपपूर्वक एकरा डाउनलोड क' कए देखू।

11:49 अइ संचालि‍त कार्यशालामे ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हार प्रति‍भागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि‍।

11:55 अधिक जानकारी लेल, कृपया सम्पमर्क करी।

11:58 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट भारत सरकारक, एम एच आर डी'क NMEICT द्वारा समर्थित अछि‍।

12:05 अइ मिशन पर अधिक जानकारी अइ लिंक पर उपलब्ध अछि ।

12:10 अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि‍। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

PoojaMoolya, Ujjwalalok