LibreOffice-Suite-Writer/C2/Viewing-and-printing-a-text-document/Maithili
From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 11:42, 11 April 2018 by Ujjwalalok (Talk | contribs)
Time | Narration |
0:01 | लिबर ऑफिस राइटरमे डॉक्युमेन्ट्स प्रिंट करबा लेल तथा देखबा लेल अइ स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि |
00:06 | अइ ट्यूटोरियलमे हमरा लोकनि |
00:10 | डॉक्युमेन्ट्स देखब, आ |
00:12 | डॉक्युमेन्ट्स प्रिंट करब सीखब । |
00:13 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे उबंटु लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी |
00:24 | तें लिबर ऑफिस राइटरमे विविध view विकल्पक मादे सीखि क' अपन ट्यूटोरियलक शुरुआत करै छी। |
00:31 | एतए राइटरमे मूलतः दू टा व्यापक view विकल्प'क उपयोग होइत अछि। |
00:36 | से थिक Print Layout आ Web Layout. |
00:39 | Print Layout विकल्पमे देखाएत, जे डॉक्युमेंट प्रिंट भेला पर केहन हएत । |
00:45 | Web Layout विकल्पमे देखाएत, जे डॉक्युमेंट वेब ब्राउज़रमे केहन हएत । |
00:50 | HTML डॉक्युमेन्ट्स बनेबा लेल आ डॉक्युमेंटकें एडिट करबा काल फुल स्क्रीन मोडमे देखबा लेल ई उपयोगी अछि। |
01:00 | Print Layout विकल्प लेल View विकल्प पर क्लिक करू आ फेर Print Layout विकल्प पर क्लिक करू । |
01:08 | Web Layout विकल्प लेल मेन्यूबारमे View विकल्प पर क्लिक करू आ फेर Web Layout विकल्प पर क्लिक करू । |
01:19 | अइ विकल्प सभ'क अलावा अहाँ डॉक्युमेंटकें फुल स्क्रीन मोडमे सेहो देखि सकै छी । |
01:26 | मेन्यूबारमे View विकल्प क्लिक करू आ फेर Full Screen विकल्प पर क्लिक करू । |
01:32 | डोक्युमेन्ट्सकें एडिट करबा लेल तथा प्रोजेक्टर पर देखेबा लेल फुल स्क्रीन मोड उपयोगी अछि । |
01:39 | फुल स्क्रीन सँ बाहर अएबा लेल कीबोर्ड पर Escape बटनकें दबाउ । |
01:44 | हम देखै छी जे डॉक्युमेंट फुल स्क्रीन मोडसँ बाहर आबि गेल अछि। |
01:49 | आब View मेन्यूमे Print Layout विकल्प पर क्लिक करू । |
01:53 | आगू बढ़ैसँ पहिने, अपन डॉक्युमेंटमे एक पेज जोड़ै ले Insert >> Manual Break आ Page break विकल्प क्लिक करू। |
02:04 | फेर OK पर क्लिक करू । |
02:06 | अइ मादे विस्तृत रूपसँ हम अगिला ट्यूटोरियलमे सीखब । |
02:11 | डॉक्युमेंटकें देखबा लेल Zoom एक टा अन्य विकल्प थिक। |
02:17 | मेन्यूबारमे View विकल्प पर क्लिक करू आ फेर Zoom पर क्लिक करू । |
02:22 | एतए Zoom आ View Layout डायलॉग बॉक्स देखाइ पड़ैत अछि। |
02:27 | अइमे हेडिंग अछि Zoom factorand View layout |
02:34 | Zoom factor वर्तमान डॉक्युमेंट आ ओही प्रकारक समस्त डॉक्युमेंट्सकें प्रदर्शित करै लेल जूम फैक्टर सेट करैत अछि, जकरा अहाँ ओकर बाद खोलै छी। |
02:43 | अइमें कैक टा उपयोगी विकल्प अछि, जकर चर्चा एक-एक क' कए करब । |
02:48 | Optimal विकल्प पर क्लिक केला पर अहाँकें डॉक्युमेंटक दृश्य अधिक अनुकूल भेटत |
02:55 | Fit width and height व्यू (view) संपूर्ण डॉक्युमेंट के पेजक लम्बाइ आ चौड़ाइ फिट करैत अछि। मुदा एतए एक समयमे एके टा पृष्ठ प्रदर्शित करत |
03:05 | ई डॉक्युमेंटक विभिन्न पृष्ठकें देखबा लेल आ एडिट करबा लेल सरलता प्रदान करैत अछि |
03:11 | अगिला विकल्प अछि Fit to Width. ई पेजक चौड़ाइ फिट करैत अछि |
03:17 | 100% व्यू पेजकें अपन वास्तविक साइज़मे प्रदर्शित करत । |
03:23 | आगू हमरा सोझां Variable नामक अधिक महत्वपूर्ण viewing विकल्प अछि |
03:28 | variable फील्डमे अहाँ जूम फैक्टर एंटर क' सकै छी, जै मे अहाँ डॉक्युमेंट प्रदर्शित करै चाहै छी। |
03:35 | उदाहरणस्वरूप, हम वेरिएबल फील्डमे 75% वेल्यू एंटर करै छी आ फेर OK बटन पर क्लिक करै छी। |
03:43 | अहिना डॉक्युमेंट्सकें एडिट कर' लेल आ देख' लेल अहाँ अपनी प्रयोजन आ सुविधानुसार जूम फैक्टरकें बदलि सकै छी। |
03:51 | डायलॉग बॉक्समे अन्य फीचर View layout अछि |
03:56 | View layout विकल्प टेक्स्ट डॉक्युमेंट्स लेल अछि |
03:59 | एकर उपयोग डॉक्युमेंटमे विभिन्न व्यू लेआउट सेटिंग'क प्रभाव देखै लेल, जूम फैक्टरकें कम करै लेल कएल जाइत अछि |
04:07 | अइमे क्रमानुसार एक के नीचाँ एक आ आस पासमे पेज प्रदर्शित करै लेल Automatic आ Single page सनक विकल्प अछि। |
04:18 | उदाहरणस्वरूप जँ हम Zoom factor मे Fit width and height विकल्प चुनी, आ फेर View layout विकल्प मे Single page विकल्प पर क्लिक करी, आ अंतमे OK बटन पर क्लिक करी, त' देखब जे एक के नीचाँ एक पेज प्रदर्शित अछि। |
04:36 | आब Automatic विकल्प पर क्लिक करू आ फेर OK बटन पर क्लिक करू। |
04:42 | अहाँ देखब जे कि पेज अगल-बगल प्रदर्शित अछि। |
04:48 | राइटर स्टेटस बार पर तीन टा नियन्त्रण अहाँकें डॉक्युमेंट'क व्यू लेआउट आ जूमकें बदलबाक अनुमति दैत अछि। |
04:56 | व्यू लेआउट आइकनमे बामसँ दहिन, सिंगल कॉलम मोड, व्यू मोड अगल-बगल पेज, आ बुक मोड कोना खुजल किताब जकाँ दू टा पेज एक संगें देखाएत। |
05:11 | पेजकें जूम करै लेल हम जूम स्लाइडरकें राइटमे अथवा अधिक पेज देखेबा लेल लेफ्टमे ड्रैग सेहो क' सकै छी। |
05:20 | लिबर ऑफिस राइटरमे printing के मादे सीखैसँ पहिने, चलू Page preview क मादे किछु सीखै छी। |
05:28 | File पर क्लिक करू, फेर Page Previewकें क्लिक करू। |
05:32 | जखन अहाँ पेज प्रिव्यू मोडमे वर्तमान डॉक्युमेंट देखै छी, त' Page Preview बार देखाइत अछि। |
05:38 | एतए मूलतः देखाएत जे अहाँक डॉक्युमेंट प्रिण्ट भेला पर केहन हएत। |
05:44 | अहाँ अपन resume.odt फाइलक प्रिव्यू देखि सकै छी। |
05:50 | एतए प्रिव्यू पेज के टूल बारमे विविध कन्ट्रोल विकल्प अछि। |
05:55 | एतए Zoom In, Zoom Out, Next page, Previous page आ Print लेल विकल्प अछि। |
06:03 | लिबर ऑफिस राइटर'क संगहि पेज प्रिव्यूमे डॉक्युमेंट कोना देखी, से सीखलाक बाद आब हम लिबर ऑफिस राइटरमे Printerक कार्य-प्रणाली'क मादे सीखब। |
06:15 | साधारण शब्दमे कही, त' डॉक्युमेंट प्रिंट कर' लेल प्रिंटर, एक टा आउटपुट डिवाइस थिक |
06:21 | आब हम देखब जे कि प्रिंट के विविध विकल्प धरि कोना पहुँची। |
06:26 | Tools पर क्लिक करू , फेर Options पर क्लिक करू। |
06:32 | LibreOffice Writer के बगलमे ऐरो पर क्लिक करू आ अंतमे Print पर क्लिक करू। |
06:38 | एक टा डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि, जे अहाँकें फॉर्म चयन'क विकल्प दैत अछि |
06:43 | तें डिफॉल्ट सेटिंग राखू आ फेर OK बटन पर क्लिक करू। |
06:49 | आब संपूर्ण डॉक्युमेंटकें सीधे प्रिंट करै लेल टूलबारमे Print File Directly आइकन पर क्लिक करू। |
06:56 | एकरा क्विक प्रिंटिंग कहल जाइत अछि। |
07:00 | अहाँ डिफॉल्ट सेटिंग्स बदलि कए Print विकल्प धरि पहुँचि क' कोनो डॉक्युमेंटकें प्रिंट करबा लेल अधिक नियत्रंण राखि सकै छी। |
07:07 | मेन्यू बारमे File मेन्यू पर क्लिक करू, फेर Printपर क्लिक करू। |
07:13 | स्क्रीन पर Print डायलॉग बॉक्स देखाइ दैत अछि |
07:17 | एतए हम साधारण टैबमे Generic Printer विकल्प चुनै छी। |
07:22 | All pages विकल्प डॉक्युमेंटक समस्त पेज प्रिंट करै लेल अछि |
07:28 | जँ अहाँ क्रममे पेज प्रिंट करए चाहै छी, त' अहाँ Pages विकल्पकें चुनि सकै छी आ फील्डमे पेज के क्रम एंटर क' सकै छी। उदाहरणस्वरूप हम एतए 1-3 टाइप करी। ई डॉक्युमेंटक पहिल तीन पेज कें प्रिंट करत। |
07:44 | जँ अहाँ डॉक्युमेंटक अनेक कॉपी प्रिंट करए चाहै छी, त' Number of copies फील्डमे वेल्यू एंटर करू। चलू फील्डमे 2 एंटर करै छी। |
07:54 | आब डायलॉग बॉक्समे Options टैब पर क्लिक करू। |
08:00 | स्क्रीन पर विकल्पक सूची देखाइ देत, जतएसँ अहाँ डॉक्युमेंट प्रिंट क' सकै छी। |
08:07 | Print in reverse page order नामक एक टा चेक बॉक्स अछि। |
08:12 | ई विकल्प एकरा अधिक आउटपुट एकत्र करै लेल आसान बनबैत अछि |
08:16 | तें एकर विपरीत चेक बॉक्स पर क्लिक करू। |
08:19 | अहाँ अपन pdf डॉक्युमेंटक प्रिंट सेहो ल' सकै छी। |
08:26 | हम पहिनहि देखि चुकल छी जे dot odt डॉक्युमेंटकें dot pdf फाइलमे कोना बदली। |
08:34 | चूँकि हम डेस्कटॉप पर pdf फाइल पहिनहि सेव कर चुकल छी, हम pdf फाइल पर डबल-क्लिक करब। |
08:41 | आब File विकल्प पर क्लिक करू आ फेर Print पर क्लिक करू। |
08:47 | चलू डिफॉल्ट सेटिंग पर क्लिक करू आ फेर Print Preview बटन पर क्लिक करू। |
08:52 | अहाँ देखब जे कि फाइलक प्रिव्यू स्क्रीन पर अछि |
08:56 | आब एकरा प्रिंट करै लेल प्रिव्यू पेजमे Print this document आइकन पर क्लिक करू। |
09:04 | आब हम लिबर ऑफिस राइटर मे स्पोकन ट्यूटोरियल'क समाप्ति दिश छी। |
09:09 | संक्षेप में, हमरा लोकनि |
09:11 | डॉक्युमेंट्स देखब |
09:13 | डॉक्युमेंट प्रिंट करब |
09:16 | आब बोध सम्बन्धी दायित्व। |
09:18 | राइटरमे This is LibreOffice Writer टेक्स्ट लिखू। |
09:23 | Full Screen विकल्प का उपयोग द्वारा स्क्रीन पर पूरा डॉक्युमेंट देखू। |
09:29 | डॉक्युमेंटक optimal आ Variable व्यू लेल जूम विकल्पक उपयोग करू, variable वेल्यू 50% पर सेट करू आ फेर डॉक्युमेंट देखू। |
09:41 | डॉक्युमेंट के Page preview पर जाउ आ पेज पर बार्डर संगें डॉक्युमेंटक दू प्रति प्रिंट करू। |
09:49 | निम्नलिखित लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू । |
09:52 | ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट के सारांश प्रस्तुत करैत अछि। |
09:56 | जँ अहाँक बैन्ड्विड्थ नीक नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि सकै छी। |
10:00 | स्पोकन ट्यूटोरियल टीम, स्पोकन ट्यूटोरियल्सक उपयोग द्वारा कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। |
10:06 | ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहर व्यक्तिकें प्रमाण-पत्र सेहो दैत अछि। |
10:09 | अधिक जानकारी लेल कृपया contact [at] spoken hyphen tutorial dot org पर लिखी। |
10:16 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थिक। |
10:20 | ई भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय शिक्षा मिशन द्वारा आईसीटीक माध्यमे समर्थित अछि। |
10:28 | अइ मिशन पर अधिक जानकारी |
10:31 | *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि। |
10:39 | ई स्क्रिप्ट उज्ज्वल आलोक एवं कुमारी सीमा द्वारा अनूदित अछि, आई.आई.टी बॉम्बे दिशसँ हम देवशंकर नवीन आब अहाँ सभसँ विदा लै छी। धन्यवाद। |