Difference between revisions of "LibreOffice-Suite-Writer/C4/Creating-newsletter/Maithili"
From Script | Spoken-Tutorial
Ujjwalalok (Talk | contribs) |
Ujjwalalok (Talk | contribs) |
||
Line 30: | Line 30: | ||
|आब हमरा सोझाँ ''Newsletter” नामक न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट अछि। | |आब हमरा सोझाँ ''Newsletter” नामक न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट अछि। | ||
|- | |- | ||
− | 01:17 | + | | 01:17 |
|आब अपन डॉक्युमेंटमे कॉलम्स प्रविष्ट करू। | |आब अपन डॉक्युमेंटमे कॉलम्स प्रविष्ट करू। | ||
|- | |- | ||
Line 38: | Line 38: | ||
| 01:27 | | 01:27 | ||
|विभिन्न ऑप्शन्स संगें एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत। | |विभिन्न ऑप्शन्स संगें एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत। | ||
− | 01:31 | + | | 01:31 |
|जतेक कॉलम्स अहाँकें चाही, से तय क' लिअ'। | |जतेक कॉलम्स अहाँकें चाही, से तय क' लिअ'। | ||
− | 01:34 | + | | 01:34 |
|अइ समस्त कॉलम्सक चौड़ाइ निर्धारित क' लिअ'। | |अइ समस्त कॉलम्सक चौड़ाइ निर्धारित क' लिअ'। | ||
|- | |- |
Revision as of 00:47, 15 November 2017
Time | Narration | ||||
00:00 | लिबरऑफिस राइटर'क, 'अनेक कॉलम्समे सूचना-पत्र बनेबा’ लेल स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँ लोकनिक स्वागत अछि। | ||||
00:07 | अइ ट्यूटोरियलमे हम सीखब जे लिबर ऑफिस राइटरमे सूचना-पत्र कोना बनाबी आ ओइ पर जे किछु काज क' सकै छी, से कोना करी। | ||||
00:17 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे उबंटु लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी। | ||||
00:27 | सूचना-पत्र एक तरह'क प्रकाशन थिक, जे नियमित अन्तराल पर उपभोक्तकें प्रचारित कएल जाइत अछि। जेना—नियमित पत्रिका, पम्फ्लेट आ आओर बहुत किछु। | ||||
00:39 | अइ मे अनेक कॉलम्स होइत अछि, आ अइ कॉलम्समे विभिन्न लेख पर जाएब पाठक लेल सरल होइत अछि | ||||
00:47 | लिबर ऑफिस राइटरक प्रयोग क' कए किओ व्यक्ति सूचना-पत्र बना सकैत अछि; जे लेख सभ'कें पढनाइ बहुत सरल आ तीव्र करैत अछि। | ||||
00:55 | “File”, “New” आ Text Document” ऑप्शन पर क्लिक क' कए एकटा न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट खोलै छी। | ||||
01:03 | अइ डॉक्युमेंटकें Newsletter” फाइल नामसँ सेव करै छी | ||||
01:13 | आब हमरा सोझाँ Newsletter” नामक न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट अछि। | ||||
01:17 | आब अपन डॉक्युमेंटमे कॉलम्स प्रविष्ट करू। | ||||
01:20 | अइ लेल, पहिने मेन्यू बारमे Format” बटन पर क्लिक करू आ फेर Columns” पर क्लिक करू। | ||||
01:27 | विभिन्न ऑप्शन्स संगें एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत। | 01:31 | जतेक कॉलम्स अहाँकें चाही, से तय क' लिअ'। | 01:34 | अइ समस्त कॉलम्सक चौड़ाइ निर्धारित क' लिअ'। |
01:37 | संगे संग विभाजक रेखा'क विभिन्न विशेषता सेहो निर्धारित क' लिअ'। | ||||
01:42 | दू कॉलम'क सूचना-पत्र डॉक्युमेंट लेल हम कॉलम फील्डक 2” चुनै छी। | ||||
01:49 | कॉलम फील्डक बगलमे पाँच गोट आइकन्स विभिन्न प्रारूपक प्रिव्यू देखाओत। | ||||
01:56 | दोसर प्रारूप पर क्लिक करू। | ||||
01:59 | अन्य वैल्यू, जे कॉलम'क विशेषता परिभाषित करैत अछि, तकरा डीफॉल्टे रखै छी। | ||||
02:05 | आब 'OK” बटन पर क्लिक करू। | ||||
02:08 | अहाँ देखि सकै छी जे टेक्स्ट क्षेत्रमे 2 कॉलम प्रदर्शित हएत। | ||||
02:12 | पहिल कॉलममे कोनो लेख लिखै छी। | ||||
02:15 | मोट अक्षरमे 15 फॉन्ट साइज़मे एकर शीर्षक Nature” दै छी। | ||||
02:21 | आ एकर नीचाँ हम अइ विषय पर लेख लिखब। | ||||
02:25 | अहाँ देखब, जे पहिल कॉलमक अन्त अएला पर कर्सर स्वतः अगिला कॉलममे चलि जाइत अछि। | ||||
02:33 | अहाँ अइ कॉलममे चित्र सेहो प्रविष्ट क' सकै छी आ ओकर साइज फेरसँ बदलि सकै छी, जाहिसँ ओ कॉलममे ठीक-ठीक समाए जाए। | ||||
02:39 | आब किछु स्पेस छोड़लाक बाद अहाँ कॉलममे कोनो लेख लिख सकै छी। | ||||
02:46 | पहिने मोट अक्षरमे 15 फॉन्ट साइज़मे एक टा शीर्षक Sports” देब आ एकर नीचाँ हम अइ पर लेख लिखब। | ||||
02:56 | अहाँ देखब—जे कॉलम्स, पाठककें अनेक लेख पर जाइ लेल बाट सरल बना दैत अछि। | ||||
03:02 | किछु वाक्यकें मेटा दै छी, ताकि हमर लेख पहिले कॉलममे फिट बैसि जाए। | ||||
03:08 | फेर, आगूक कॉलम्स धरि पहुँचबा लेल Insert” बटन पर क्लिक करू आ फेर Manual Break” पर क्लिक करू। | ||||
03:16 | जे डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि, ओइमे “Column break” बटन पर क्लिक करू आ फेर OK” बटन पर क्लिक करू। | ||||
03:23 | अहाँ देखब, जे कर्सर स्वतः अगिला कॉलममे आबि जाइत अछि। | ||||
03:27 | अइ कॉलममे अहाँ एक टा आओर लेख लिखब शुरुह क सकै छी। | ||||
03:31 | समस्त फार्मेटिंग विकल्प; जेना कि-- | ||||
03:33 | “Align left”, “Align right”, | ||||
03:36 | टेक्स्टमे Background Color” जोड़ब, | ||||
03:38 | टेक्स्टकें Highlight” करब आ कि अन्य अनेक विशेषता--- | ||||
03:41 | टेक्स्टकें आकर्षक बनेबा लेल ओइमे जोड़ल जा सकैत अछि। | ||||
03:45 | जेना, हम टेक्स्ट के एक टा अंश चुनै छी, जाहिमे हम बैकग्राउण्ड कलर लागू करए चाहै छी। | ||||
03:51 | आब टूलबारमे Background Color” आइकन पर क्लिक करू आ फेर Green 4” पर क्लिक करू। | ||||
03:59 | देखब, जे चयनित टेक्स्टक बैकग्राउण्ड कलर हल्लुक हरियर रंगमे बदलि गेल अछि। | ||||
04:05 | अइ प्रकारें अहाँ टेक्स्टक विभिन्न भाग'क विभिन्न बैकग्राउण्ड कलर द' सकै छी। | ||||
04:10 | एते धरि जे, अहाँ ड्रॉइंग टूलबारमे Text” ऑप्शन पर पहिल क्लिक क' कए सूचना-पत्रमे बैनर सेहो जोड़ि सकै छी। | ||||
04:18 | आब अहाँ टेक्स्ट बॉक्सकें डॉक्युमेंटमे कतौ राखि लिअ', जतए लिखित टेक्स्ट नइँ हो। | ||||
04:24 | टेक्स्ट बॉक्सक भीतर अहाँ कोनो टेक्स्ट लिखि सकै छी, जे बैनर अथवा विज्ञापन जकाँ काज करत। | ||||
04:30 | किछु टेक्स्ट टाइप करै छी; जेना This is a newsletter”. | ||||
04:35 | अहाँ अइ टेक्स्टमे इफेक्ट्स सेहो जोड़ि सकै छी। | ||||
04:37 | उदाहरणस्वरूप, पहिने टेक्स्ट पर राइट क्लिक करू आ फेर मेन्यूमे Text” ऑप्शन पर क्लिक करू। | ||||
04:45 | एक टा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत, जै मे Text” आ Text Animation” नामक टैब्स अछि। | ||||
04:50 | “Text Animation” टैब पर क्लिक करू। | ||||
04:53 | अइ टैब के Effects” फील्डमे कैक टा विकल्प अछि। | ||||
04:58 | सूचना-पत्रमे टेक्स्टकें जगमगाएबा लेल, Blink” ऑप्शन पर क्लिक करू। | ||||
05:04 | आ अंततः OK” बटन पर क्लिक करू। | ||||
05:07 | देखब, जे टेक्स्ट This is a newsletter” निरंतर जगमगा रहल अछि। | ||||
05:13 | अही प्रकारें, टेक्स्ट पर अहिना विभिन्न चित्रालेख आ इफेक्ट्स देल जा सकैत अछि। | ||||
05:18 | आब अगिला पृष्ठ पर न'व लेख लिखबा लेल, अहाँकें पहिने Insert” बटन पर क्लिक करए पड़त। | ||||
05:25 | फेर Manual Break” ऑप्शन पर क्लिक करू। | ||||
05:29 | जे डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित होइत अछि, ओहिमें Page break” बटन पर क्लिक करू। | ||||
05:34 | आ अंततः OK” बटन पर क्लिक करू। | ||||
05:37 | अहाँ देखब जे कर्सर अगिल पेज पर आबि जाइत अछि। | ||||
05:40 | अइ पेजमे ओएह कॉलम प्रारूप अछि, जे पछिला पेजमे छल। | ||||
अपन आलेखमे शब्द गनबा लेल, पहिने टेक्स्ट के वांछित अंश अथवा पूरा डॉक्युमेंट सेलेक्ट करू। | |||||
05:53 | आब मेन्यू बारमे Tools” ऑप्शन पर क्लिक करू। | ||||
05:57 | आब ड्रॉपडाउन बॉक्समे Word Count” ऑप्शन पर क्लिक करू। | ||||
06:02 | एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत, जे अहाँकें सलेक्टेड अथवा सम्पूर्ण डॉक्युमेंटक शब्द गणना'क जनतब देत। | ||||
06:10 | ई अहाँक सम्पूर्ण डॉक्युमेंट आ संगहि सलेक्टेड टेक्स्टक अक्षर धरिक जोड़ । | ||||
डॉक्युमेंट लिखबा काल हिज्जे'क जाँच स्वतः क' सकै छी। | |||||
06:23 | टूलबारमे AutoSpellcheck” आइकन पर क्लिक करू। | ||||
06:27 | आब जखन अहाँ लेख लिखैत रहब, त' हिज्जे मे कोनो गलती भेला पर राइटर स्वतः ओइ शब्दकें लाल रेखासँ रेखांकित क' देत। | ||||
06:37 | उदाहरणस्वरूप, जखन हम Cat” शब्दकें C -A- A –T लिखब आ स्पेस-बार दबाएब, त' देखब, जे ओकर नीचाँ एकटा रेखा प्रदर्शित होइत अछि। | ||||
06:48 | किन्तु जहिना हम शब्दकें सही करब, ओ लाल रेखा गायब भ' जाएत। | ||||
06:52 | एतए देखै छी, जे पछिला ट्यूटोरियल्समे हमरा लोकनि जाहि फॉर्मेटिंग ऑप्शन्स पर चर्चा केलहुँ, तकर समस्त विकल्प हम सूचना-पत्रमे सेहो लागू क' सकै छी। | ||||
07:01 | आब हम लिबर आफिस राइटर पर स्पोकन ट्यूटोरियलक समाप्ति दिश अबै छी। | ||||
07:06 | संक्षेपमे, हमरा लोकनि सिखलहुँ, जे लिबर ऑफिस राइटरमे सूचना-पत्र कोना बनाबी आ ओइ पर जे किछु काज क' सकै छी, से कोना करी। | ||||
07:17 | *निम्नलिखित लिंक पर उपलब्ध विडियो देखी। | ||||
07:21 | *अइमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश अछि। | ||||
07:24 | *जँ अहाँ लग नीक बैन्डविड्थ नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि सकै छी। | ||||
07:28 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम, स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग द्वारा कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। | ||||
07:34 | *जे किओ ऑनलाइन टेस्ट पास करै छथि, हुनका प्रमाण-पत्र सेहो देल जाइ छनि। | ||||
07:38 | *अधिक जानकारी लेल contact@spoken-tutorial.org पर संपर्क करू। | ||||
07:44 | *स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट'क हिस्सा थिक। | ||||
| |||||
07:56 | * अइ मिशनसँ सम्बन्धित अधिक जानकारी - | 08:00 | *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि | ||
08:07 | ई ट्यूटोरियल कुमारी सीमा एवं उज्ज्वल आलोक द्वारा अनूदित अछि। आब हम देवशंकर नवीन आई.आई.टी.बॉम्बे दिशसँ अहाँ सबसँ विदा लै छी। धन्यवाद। |