Difference between revisions of "LibreOffice-Suite-Writer/C4/Creating-newsletter/Maithili"
From Script | Spoken-Tutorial
Ujjwalalok (Talk | contribs) (Created page with "{| Border = 1 | '''Time''' |'''Narration''' |- | 00:00 लिबरऑफिस राइटर'क, 'अनेक कॉलम्समे सूचना-पत्र बन...") |
Ujjwalalok (Talk | contribs) |
||
Line 3: | Line 3: | ||
|'''Narration''' | |'''Narration''' | ||
|- | |- | ||
− | | 00:00 लिबरऑफिस राइटर'क, 'अनेक कॉलम्समे सूचना-पत्र बनेबा’ लेल स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँ लोकनिक स्वागत अछि। | + | | 00:00 |
+ | |लिबरऑफिस राइटर'क, 'अनेक कॉलम्समे सूचना-पत्र बनेबा’ लेल स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँ लोकनिक स्वागत अछि। | ||
|- | |- | ||
− | | 00:07 अइ ट्यूटोरियलमे हम सीखब जे लिबर ऑफिस राइटरमे सूचना-पत्र कोना बनाबी आ ओइ पर जे किछु काज क' सकै छी, से कोना करी। | + | | 00:07 |
+ | |अइ ट्यूटोरियलमे हम सीखब जे लिबर ऑफिस राइटरमे सूचना-पत्र कोना बनाबी आ ओइ पर जे किछु काज क' सकै छी, से कोना करी। | ||
|- | |- | ||
− | | 00:17 एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे उबंटु लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी। | + | | 00:17 |
+ | |एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे उबंटु लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी। | ||
|- | |- | ||
− | | 00:27 सूचना-पत्र एक तरह'क प्रकाशन थिक, जे नियमित अन्तराल पर उपभोक्तकें प्रचारित कएल जाइत अछि। जेना—नियमित पत्रिका, पम्फ्लेट आ आओर बहुत किछु। | + | | 00:27 |
+ | |सूचना-पत्र एक तरह'क प्रकाशन थिक, जे नियमित अन्तराल पर उपभोक्तकें प्रचारित कएल जाइत अछि। जेना—नियमित पत्रिका, पम्फ्लेट आ आओर बहुत किछु। | ||
|- | |- | ||
− | | 00:39 अइ मे अनेक कॉलम्स होइत अछि, आ अइ कॉलम्समे विभिन्न लेख पर जाएब पाठक लेल सरल होइत अछि | + | | 00:39 |
+ | |अइ मे अनेक कॉलम्स होइत अछि, आ अइ कॉलम्समे विभिन्न लेख पर जाएब पाठक लेल सरल होइत अछि | ||
|- | |- | ||
− | | 00:47 लिबर ऑफिस राइटरक प्रयोग क' कए किओ व्यक्ति सूचना-पत्र बना सकैत अछि; जे लेख सभ'कें पढनाइ बहुत सरल आ तीव्र करैत अछि। | + | | 00:47 |
+ | |लिबर ऑफिस राइटरक प्रयोग क' कए किओ व्यक्ति सूचना-पत्र बना सकैत अछि; जे लेख सभ'कें पढनाइ बहुत सरल आ तीव्र करैत अछि। | ||
|- | |- | ||
− | | 00:55 “File”, “New” आ ''Text Document” ऑप्शन पर क्लिक क' कए एकटा न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट खोलै छी। | + | | 00:55 |
+ | |“File”, “New” आ ''Text Document” ऑप्शन पर क्लिक क' कए एकटा न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट खोलै छी। | ||
|- | |- | ||
| 01:03 अइ डॉक्युमेंटकें ''Newsletter” फाइल नामसँ सेव करै छी | | 01:03 अइ डॉक्युमेंटकें ''Newsletter” फाइल नामसँ सेव करै छी |
Revision as of 00:32, 15 November 2017
01:17 आब अपन डॉक्युमेंटमे कॉलम्स प्रविष्ट करू। 01:20 अइ लेल, पहिने मेन्यू बारमे Format” बटन पर क्लिक करू आ फेर Columns” पर क्लिक करू। 01:27 विभिन्न ऑप्शन्स संगें एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत। 01:31 जतेक कॉलम्स अहाँकें चाही, से तय क' लिअ'। 01:34 अइ समस्त कॉलम्सक चौड़ाइ निर्धारित क' लिअ'। 01:37 संगे संग विभाजक रेखा'क विभिन्न विशेषता सेहो निर्धारित क' लिअ'। 01:42 दू कॉलम'क सूचना-पत्र डॉक्युमेंट लेल हम कॉलम फील्डक 2” चुनै छी। 01:49 कॉलम फील्डक बगलमे पाँच गोट आइकन्स विभिन्न प्रारूपक प्रिव्यू देखाओत। 01:56 दोसर प्रारूप पर क्लिक करू। 01:59 अन्य वैल्यू, जे कॉलम'क विशेषता परिभाषित करैत अछि, तकरा डीफॉल्टे रखै छी। 02:05 आब 'OK” बटन पर क्लिक करू। 02:08 अहाँ देखि सकै छी जे टेक्स्ट क्षेत्रमे 2 कॉलम प्रदर्शित हएत। 02:12 पहिल कॉलममे कोनो लेख लिखै छी। 02:15 मोट अक्षरमे 15 फॉन्ट साइज़मे एकर शीर्षक Nature” दै छी। 02:21 आ एकर नीचाँ हम अइ विषय पर लेख लिखब। 02:25 अहाँ देखब, जे पहिल कॉलमक अन्त अएला पर कर्सर स्वतः अगिला कॉलममे चलि जाइत अछि। 02:33 अहाँ अइ कॉलममे चित्र सेहो प्रविष्ट क' सकै छी आ ओकर साइज फेरसँ बदलि सकै छी, जाहिसँ ओ कॉलममे ठीक-ठीक समाए जाए। 02:39 आब किछु स्पेस छोड़लाक बाद अहाँ कॉलममे कोनो लेख लिख सकै छी। 02:46 पहिने मोट अक्षरमे 15 फॉन्ट साइज़मे एक टा शीर्षक Sports” देब आ एकर नीचाँ हम अइ पर लेख लिखब। 02:56 अहाँ देखब—जे कॉलम्स, पाठककें अनेक लेख पर जाइ लेल बाट सरल बना दैत अछि। 03:02 किछु वाक्यकें मेटा दै छी, ताकि हमर लेख पहिले कॉलममे फिट बैसि जाए। 03:08 फेर, आगूक कॉलम्स धरि पहुँचबा लेल Insert” बटन पर क्लिक करू आ फेर Manual Break” पर क्लिक करू। 03:16 जे डायलॉग बॉक्स देखाइत अछि, ओइमे “Column break” बटन पर क्लिक करू आ फेर OK” बटन पर क्लिक करू। 03:23 अहाँ देखब, जे कर्सर स्वतः अगिला कॉलममे आबि जाइत अछि। 03:27 अइ कॉलममे अहाँ एक टा आओर लेख लिखब शुरुह क सकै छी। 03:31 समस्त फार्मेटिंग विकल्प; जेना कि-- 03:33 “Align left”, “Align right”, 03:36 टेक्स्टमे Background Color” जोड़ब, 03:38 टेक्स्टकें Highlight” करब आ कि अन्य अनेक विशेषता--- 03:41 टेक्स्टकें आकर्षक बनेबा लेल ओइमे जोड़ल जा सकैत अछि। 03:45 जेना, हम टेक्स्ट के एक टा अंश चुनै छी, जाहिमे हम बैकग्राउण्ड कलर लागू करए चाहै छी। 03:51 आब टूलबारमे Background Color” आइकन पर क्लिक करू आ फेर Green 4” पर क्लिक करू। 03:59 देखब, जे चयनित टेक्स्टक बैकग्राउण्ड कलर हल्लुक हरियर रंगमे बदलि गेल अछि। 04:05 अइ प्रकारें अहाँ टेक्स्टक विभिन्न भाग'क विभिन्न बैकग्राउण्ड कलर द' सकै छी। 04:10 एते धरि जे, अहाँ ड्रॉइंग टूलबारमे Text” ऑप्शन पर पहिल क्लिक क' कए सूचना-पत्रमे बैनर सेहो जोड़ि सकै छी। 04:18 आब अहाँ टेक्स्ट बॉक्सकें डॉक्युमेंटमे कतौ राखि लिअ', जतए लिखित टेक्स्ट नइँ हो। 04:24 टेक्स्ट बॉक्सक भीतर अहाँ कोनो टेक्स्ट लिखि सकै छी, जे बैनर अथवा विज्ञापन जकाँ काज करत। 04:30 किछु टेक्स्ट टाइप करै छी; जेना This is a newsletter”. 04:35 अहाँ अइ टेक्स्टमे इफेक्ट्स सेहो जोड़ि सकै छी। 04:37 उदाहरणस्वरूप, पहिने टेक्स्ट पर राइट क्लिक करू आ फेर मेन्यूमे Text” ऑप्शन पर क्लिक करू। 04:45 एक टा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत, जै मे Text” आ Text Animation” नामक टैब्स अछि। 04:50 “Text Animation” टैब पर क्लिक करू। 04:53 अइ टैब के Effects” फील्डमे कैक टा विकल्प अछि। 04:58 सूचना-पत्रमे टेक्स्टकें जगमगाएबा लेल, Blink” ऑप्शन पर क्लिक करू। 05:04 आ अंततः OK” बटन पर क्लिक करू। 05:07 देखब, जे टेक्स्ट This is a newsletter” निरंतर जगमगा रहल अछि। 05:13 अही प्रकारें, टेक्स्ट पर अहिना विभिन्न चित्रालेख आ इफेक्ट्स देल जा सकैत अछि। 05:18 आब अगिला पृष्ठ पर न'व लेख लिखबा लेल, अहाँकें पहिने Insert” बटन पर क्लिक करए पड़त। 05:25 फेर Manual Break” ऑप्शन पर क्लिक करू। 05:29 जे डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित होइत अछि, ओहिमें Page break” बटन पर क्लिक करू। 05:34 आ अंततः OK” बटन पर क्लिक करू। 05:37 अहाँ देखब जे कर्सर अगिल पेज पर आबि जाइत अछि। 05:40 अइ पेजमे ओएह कॉलम प्रारूप अछि, जे पछिला पेजमे छल। 05:46 अपन आलेखमे शब्द गनबा लेल, पहिने टेक्स्ट के वांछित अंश अथवा पूरा डॉक्युमेंट सेलेक्ट करू। 05:53 आब मेन्यू बारमे Tools” ऑप्शन पर क्लिक करू। 05:57 आब ड्रॉपडाउन बॉक्समे Word Count” ऑप्शन पर क्लिक करू। 06:02 एकटा डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हएत, जे अहाँकें सलेक्टेड अथवा सम्पूर्ण डॉक्युमेंटक शब्द गणना'क जनतब देत। 06:10 ई अहाँक सम्पूर्ण डॉक्युमेंट आ संगहि सलेक्टेड टेक्स्टक अक्षर धरिक जोड़ । 06:18 डॉक्युमेंट लिखबा काल हिज्जे'क जाँच स्वतः क' सकै छी। 06:23 टूलबारमे AutoSpellcheck” आइकन पर क्लिक करू। 06:27 आब जखन अहाँ लेख लिखैत रहब, त' हिज्जे मे कोनो गलती भेला पर राइटर स्वतः ओइ शब्दकें लाल रेखासँ रेखांकित क' देत। 06:37 उदाहरणस्वरूप, जखन हम Cat” शब्दकें C -A- A –T लिखब आ स्पेस-बार दबाएब, त' देखब, जे ओकर नीचाँ एकटा रेखा प्रदर्शित होइत अछि। 06:48 किन्तु जहिना हम शब्दकें सही करब, ओ लाल रेखा गायब भ' जाएत। 06:52 एतए देखै छी, जे पछिला ट्यूटोरियल्समे हमरा लोकनि जाहि फॉर्मेटिंग ऑप्शन्स पर चर्चा केलहुँ, तकर समस्त विकल्प हम सूचना-पत्रमे सेहो लागू क' सकै छी। 07:01 आब हम लिबर आफिस राइटर पर स्पोकन ट्यूटोरियलक समाप्ति दिश अबै छी। 07:06 संक्षेपमे, हमरा लोकनि सिखलहुँ, जे लिबर ऑफिस राइटरमे सूचना-पत्र कोना बनाबी आ ओइ पर जे किछु काज क' सकै छी, से कोना करी। 07:17 *निम्नलिखित लिंक पर उपलब्ध विडियो देखी। 07:21 *अइमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश अछि। 07:24 *जँ अहाँ लग नीक बैन्डविड्थ नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि सकै छी। 07:28 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम, स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग द्वारा कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। 07:34 *जे किओ ऑनलाइन टेस्ट पास करै छथि, हुनका प्रमाण-पत्र सेहो देल जाइ छनि। 07:38 *अधिक जानकारी लेल contact@spoken-tutorial.org पर संपर्क करू। 07:44 *स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट'क हिस्सा थिक। 07:48 *ई आईसीटी'क माध्यमे भारत सरकार'क एमएचआरडी'क राष्ट्रीय शिक्षा मिशन द्वारा समर्थित अछि। 07:56 * अइ मिशनसँ सम्बन्धित अधिक जानकारी - 08:00 *spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि 08:07 ई ट्यूटोरियल कुमारी सीमा एवं उज्ज्वल आलोक द्वारा अनूदित अछि। आब हम देवशंकर नवीन आई.आई.टी.बॉम्बे दिशसँ अहाँ सबसँ विदा लै छी। धन्यवाद।Time | Narration |
00:00 | लिबरऑफिस राइटर'क, 'अनेक कॉलम्समे सूचना-पत्र बनेबा’ लेल स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँ लोकनिक स्वागत अछि। |
00:07 | अइ ट्यूटोरियलमे हम सीखब जे लिबर ऑफिस राइटरमे सूचना-पत्र कोना बनाबी आ ओइ पर जे किछु काज क' सकै छी, से कोना करी। |
00:17 | एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टम'क रूपमे उबंटु लिनक्स 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी। |
00:27 | सूचना-पत्र एक तरह'क प्रकाशन थिक, जे नियमित अन्तराल पर उपभोक्तकें प्रचारित कएल जाइत अछि। जेना—नियमित पत्रिका, पम्फ्लेट आ आओर बहुत किछु। |
00:39 | अइ मे अनेक कॉलम्स होइत अछि, आ अइ कॉलम्समे विभिन्न लेख पर जाएब पाठक लेल सरल होइत अछि |
00:47 | लिबर ऑफिस राइटरक प्रयोग क' कए किओ व्यक्ति सूचना-पत्र बना सकैत अछि; जे लेख सभ'कें पढनाइ बहुत सरल आ तीव्र करैत अछि। |
00:55 | “File”, “New” आ Text Document” ऑप्शन पर क्लिक क' कए एकटा न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट खोलै छी। |
01:03 अइ डॉक्युमेंटकें Newsletter” फाइल नामसँ सेव करै छी | |
01:13 आब हमरा सोझाँ Newsletter” नामक न'व टेक्स्ट डॉक्युमेंट अछि। |