Difference between revisions of "Introduction-to-Computers/C2/Printer-Connection/Maithili"
From Script | Spoken-Tutorial
Ujjwalalok (Talk | contribs) |
PoojaMoolya (Talk | contribs) |
||
Line 257: | Line 257: | ||
| 06:32 | | 06:32 | ||
|स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम | |स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम | ||
− | + | ||
− | + | स्पोकन ट्यूटोरियक उपयोग द्वारा कार्यशाला आयोजित करैत अछि। ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहारकें प्रमाणपत्र दैत अछि। | |
+ | |||
अधिक जानकारी लेल, कृपया: '''contact@spoken-tutorial.org''' पर सम्पर्क करी। | अधिक जानकारी लेल, कृपया: '''contact@spoken-tutorial.org''' पर सम्पर्क करी। | ||
|- | |- |
Latest revision as of 14:45, 22 September 2017
Time | Narration |
00:01 | नमस्कार। Printer Connection क स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि। |
00:06 | अइ ट्यूटोरियलमे, हमरा लोकनि प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़नाइ सीखब। |
00:11 | अइ ट्यूटोरियल लेल, हमरा |
00:13 | उबन्टु लिनक्स 12.10 ओ एस |
00:17 | आ कैनन प्रिंटरक उपयोग क' रहल छी |
00:20 | सबसँ पहिने अहाँ लोकनिकें कंप्यूटरक विभिन्नर घटक'क मादे फटाफट जानकारी द' दी। |
00:25 | ई थिक CPU |
00:27 | ई मॉनिटर |
00:29 | ई कीबोर्ड |
00:30 | ई माउस |
00:32 | आ ई प्रिंटर |
00:34 | आब CPU कें देखै छी। |
00:41 | बहुत रास CPUमे, USB पोर्ट्स आगूमे होइत अछि |
00:46 | आ किछुमे पाछूमे। |
00:49 | आब, एक नजरि प्रिंटर पर दी। |
00:53 | सामान्यतः प्रिंटरमे पावर स्विच आगू अथवा ऊपरमे होइत अछि। |
01:00 | प्रिंटरक पाछूमे एकटा पावर स्लॉट आ एकटा USB पोर्ट होइत अछि। |
01:11 | प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़बा लेल, एकटा USB केबल'क उपयोग होइत अछि। |
01:16 | आब USB केबलकें प्रिंटरसँ जोड़ै छी। |
01:22 | फेर केबल'क दोसर छोर CPUक USB पोर्टसँ जोड़ै छी। |
01:30 | आब, हमरा सभक प्रिंटर कंप्यूटरसँ जुड़ि गेल अछि। |
01:33 | प्रिंटर पर जे पावर बटन अछि ओकरा ऑन (on) करू। |
01:37 | आब, हम अपन कंप्यूटरक उपयोग प्रिंटरकें कॉन्फ़िगर करबामे करै छी। |
01:43 | आब डेस्कटॉप पर अबै छी। |
01:46 | सबसँ ऊपर बामा कात लांचर बार पर डैश होम आइकन पर क्लिक करू, |
01:53 | सर्च बारमे टाइप करू प्रिंटिंग (printing) |
01:58 | प्रिंटर आइकन प्रदर्शित हैत। |
02:02 | अइ पर क्लिक करू। |
02:04 | उबन्टुक पुरने वर्जन्समे, |
02:07 | System (सिस्टम) |
02:08 | Administration (एडमिनिस्ट्रेशन) |
02:09 | आ Printing (प्रिंटिंग) पर क्लिक करू। |
02:12 | आब, प्रिंटिंग डायलॉग बॉक्स खुजैत अछि। |
02:16 | ई सूचना देत--There are no printers configured yet. |
02:21 | ऊपरमे बाम कोन पर, हरियर प्लस संकेत'क संग एकटा Add बटन अछि। अइ पर क्लिक करू। |
02:30 | ई न्यू प्रिंटर डायलॉग बॉक्स खोलत। |
02:34 | बाम दिश, कंप्यूटरसँ जुड़ल प्रिंटर उपकरणक सूची प्रदर्शित अछि। |
02:42 | एतए, अपन प्रिंटर तय करू, अर्थात् कैनन प्रिंटर आ फॉरवर्ड (Forward) पर क्लिक करू। |
02:51 | फेर ई स्वयमेव उपकरण ताकब शुरुह क' देत। हम कैंसिल (cancel) पर क्लिक करै छी। |
02:59 | आब, डायलॉग बॉक्स Choose Driver विकल्प पर जाइत अछि। |
03:04 | अधिकांश स्थितिमे त डिफ़ॉल्ट विकल्प काज करत। |
03:08 | चूँकि हमरा सभ'क कैनन प्रिंटर अछि, तें अइ सूचीमे, ई डिफ़ॉल्ट रूपें चुनल गेल अछि। |
03:16 | आब फॉरवर्ड (Forward) पर क्लिक करू। |
03:19 | मॉडल पेजमे, हमर प्रिंटर मॉडल स्वभावत: निर्धारित अछि। |
03:26 | एतए कोष्ठॉकमे Recommended (रेकमेन्डड) दर्शाओल अछि। |
03:31 | ई ड्राइवर्स (Drivers) सेक्शनमे सेहो देखाइत अछि, अभिप्राय, जे हमरा प्रिंटर लेल ड्राइवर ठीक अछि। |
03:38 | आब, Forward (फॉरवर्ड) पर दोबारा क्लिक करू। |
03:42 | आब, हमारासँ प्रिंटरक बारेमे जानकारी देबा लेल कहल जाइत अछि--प्रिंटरक नाम आ ओकर लोकेशन। |
03:49 | हम एकरा डिफ़ॉल्टे राखब आ Apply पर क्लिक करब। |
03:53 | हमर प्रिंटर सफलतापूर्वक कंप्यूटरसँ जुड़ि गेल अछि। |
04:00 | एकटा मैसेज देखाइत अछि Would you like to print a test page? |
04:04 | आब, Print Test Page विकल्प पर क्लिक करू। |
04:08 | एकटा मैसेज संगें पॉप अप देखाइत अछि |
04:12 | 'Submitted – Test Page submitted as job ... आ एकर नंबर। |
04:18 | OK पर क्लिक करू। |
04:20 | प्रिंटर प्रोपर्टीज़ (Printer Properties) डायलॉग बॉक्समे, दोबारा OK पर क्लिक करू। |
04:24 | देखू हमर प्रिंटरसँ एकटा टेस्ट (test) प्रिंट बहराएल। |
04:29 | आब हमर प्रिंटर डॉक्युमेंट्स प्रिंट करबा लेल तैयार अछि। |
04:34 | आब printer डायलॉग बॉक्स बंद करै छी। |
04:37 | आब हम फटाफट देखबै छी जे डॉक्युमेंट कोना प्रिंट करी। |
04:42 | कानो डॉक्युमेंट खोलू। |
04:45 | फेर, एक्के संग Ctrl आ P बटन दबाउ। |
04:49 | प्रिंट (Print) डायलॉग बॉक्स खुजैत अछि। |
04:53 | ध्यान रहए जे कि जुड़ल प्रिंटर डिफ़ॉल्ट रूपें चुनल गेल अछि। |
04:58 | डायलॉग बॉक्समे, हमरा सोझाँ कैक टा विकल्प अछि। |
05:03 | Range हमरा मनवांछित पेज'क रेंज तय करबाक अनुमति दैत अछि। |
05:08 | एतए रेंजमे कुछ विकल्प उपलब्ध अछि। |
05:12 | ALL pages विकल्प डॉक्युमेंटक समस्तप पृष्ठक प्रिंट करत। |
05:16 | Current page विकल्प केवल सम्मुुख चुनल पृष्ठ प्रिंट करत। |
05:22 | Pages विकल्प हमर विशेष विवरणक आधार पर पृष्ठक प्रिंट करत, उदाहरणार्थ पृ. 3 से 4 लै छी। |
05:31 | आब हम Copiesमे उपलब्ध विकल्पकें देखी। |
05:36 | Copies विकल्प थिक जे एतए हम इच्छानुसार प्रिण्टि'क संख्या तय करै छी। |
05:42 | जँ हम Copiesमे 2 भरब, त' लक्षित पृष्ठिक दू प्रति प्रिंट हैत। |
05:49 | आब Print बटन पर क्लिक करू। |
05:52 | जँ अहाँ अपन प्रिंटर ठीकसँ कॉन्फ़िगर क' नेने छी, त' अहाँक डॉक्यूमेंट प्रिंट हैब शुरुह भ' जाएत। |
05:58 | आब हमरा लोकनि अइ ट्यूटोरियलक अंतमे आबि गेल छी। अइ ट्यूटोरियलमे हम |
06:05 | प्रिंटरकें कंप्यूटरसँ जोड़ब सीखलहुँ |
06:07 | प्रिंटरक सेटिंग्सकें कॉन्फ़िगर करब सीखलहुँ |
06:10 | डॉक्युमेंट प्रिंट करब सीखलहुँ |
06:12 | आ उपलब्ध कैक टा प्रिंट विकल्पक मादे जानकारी प्राप्त केलहुँ। |
06:17 | हम आशा करै छी जे ई जानकारी सहायक रहल हैत। |
06:20 | निर्देशित लिंक पर उपलब्ध वीडियो देखी। |
06:24 | अइमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रदर्शित अछि। |
06:27 | व्यवस्थि त बैंडविड्थ नइँ भेटए त' अहाँ एकरा डाउनलोड क' कए देखि सकै छी। |
06:32 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम
स्पोकन ट्यूटोरियक उपयोग द्वारा कार्यशाला आयोजित करैत अछि। ऑनलाइन टेस्ट पास केनिहारकें प्रमाणपत्र दैत अछि। अधिक जानकारी लेल, कृपया: contact@spoken-tutorial.org पर सम्पर्क करी। |
06:49 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थिक।
ई भारत सरकारक एम एच आर डीक आई सी टीक माध्यमे राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि। अइ मिशन पर अधिक जानकारी http://spoken-tutorial.org\NMEICT-Intro पर उपलब्ध अछि। |
07:10 | अइ ट्यूटोरियलकें देखबा लेल धन्यवाद। |
07:16 | अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँ सबसँ विदा लैत अछि। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद। |