Difference between revisions of "Introduction-to-Computers/C2/Getting-to-know-computers/Maithili"
From Script | Spoken-Tutorial
Ujjwalalok (Talk | contribs) |
Ujjwalalok (Talk | contribs) |
||
| Line 13: | Line 13: | ||
|- | |- | ||
| 00:15 | | 00:15 | ||
| − | |सामान्यतः'कम्प्यूटर दू प्रकारक होइत अछि- | + | |सामान्यतः 'कम्प्यूटर दू प्रकारक होइत अछि- |
|- | |- | ||
| 00:18 | | 00:18 | ||
Latest revision as of 17:45, 23 August 2017
| Time | Narration |
| 00:01 | Getting to know Computers के स्पोकन ट्यूटोरियलमे अहाँका स्वागत अछि। |
| 00:06 | अइ ट्यूटोरियलमे हम 'कम्प्यूटर'क अनेक भाग'क मादे सीखब। |
| 00:11 | अनेक भागकें जोड़ब सेहो सीखब। |
| 00:15 | सामान्यतः 'कम्प्यूटर दू प्रकारक होइत अछि- |
| 00:18 | डेस्कटॉप अथवा निजी कम्प्यूटर आ लैपटॉप |
| 00:23 | आइ-काल्हि् टैबलेट PC अथवा टैब्स, सेहो बहुत लोकप्रिय अछि। |
| 00:31 | कम्प्यू्टरक काज |
| 00:33 | कम्प्यूपटर भने कोनो आकार'क हो, ओ पाँच प्रमुख काज लेल उपादेय होइत अछि। |
| 00:40 | ई 'इनपुट'क माध्यमे डेटा अथवा निर्देश ग्रहण करैत अछि। |
| 00:45 | ई उपयोक्ताक आवश्यकतानुसार डेटाक परिसंचालन करैत अछि। |
| 00:50 | ई डेटा संग्रह करैत अछि। |
| 00:52 | ई आउटपुटक रूपमे परिणाम दैत अछि। |
| 00:56 | ई कम्प्यूटरक समस्तर आन्तटरिक क्रियाविधिकें नियंत्रित करैत अछि। |
| 01:01 | कम्प्यूटरक मूलभूत मूलभूत संरचना अइ ब्लॉक डायग्राममे दर्शाओल गेल अछि। |
| 01:08 | इनपुट यूनिट |
| 01:09 | सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिट |
| 01:11 | आउटपुट यूनिट |
| 01:14 | इनपुट यूनिट, डेटा आ प्रोग्रामकें कम्प्यूटरमे व्यवस्थित ढंगें प्रविष्ट करबामे मदति करैत अछि। |
| 01:23 | की-बोर्ड, माउस, कैमरा, आ स्कैनर आदि इनपुट उपकरण थिक। |
| 01:31 | सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिट |
| 01:33 | अर्थमैटिक आ लॉजिकल ऑपरेशंस क्रियान्वित करैत अछि आ |
| 01:38 | डेटा एवं निर्देश संचित करैत अछि। |
| 01:41 | सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिट अर्थात् CPU विशेषत: एहेन देखाइत अछि। |
| 01:48 | अइमे यूनिट के आगू आ पाछू बहुत रास पोर्ट्स होइत अछि। |
| 01:53 | थोड़े काल बाद हम ओइ मादे जानब। |
| 01:57 | ई डेटा आ निर्देश ग्रहण करैत अछि, ओकर प्रोसेसिंग करैत आउटपुट, अर्थात् परिणाम दैत अछि। |
| 02:05 | ऑपरेशंसकें क्रियान्वित करबाक प्रक्रियाकें प्रोसेसिंग कहल जाइत अछि। |
| 02:11 | फेर डेटा आ निर्देश संगें समस्तो आउटपुट स्टोरेज यूनिटमे संचित कएल जाइत अछि। |
| 02:18 | डेटासँ परिणाम प्राप्ति करबाक प्रक्रियाकें जे यूनिट समर्थन करैत अछि, तकरा आउटपुट यूनिट कहल जाइत अछि। |
| 02:26 | मॉनिटर, प्रिंटर आदि आउटपुट उपकरण थिक। |
| 02:33 | सामान्यतः कोनो डेस्कटॉप कम्प्यू्टरक चारि टा मुख्य भाग होइत अछि। |
| 02:38 | मॉनिटर |
| 02:39 | CPU |
| 02:40 | की-बोर्ड |
| 02:41 | आ माउस |
| 02:43 | कैमरा, प्रिंटर आ स्कैनर सेहो कम्प्यू्टरसँ जोड़ल जा सकैत अछि। |
| 02:50 | ई मॉनिटर थिक, एरा कम्प्यूपटर स्क्रीन सेहो कहल जाइत अछि। |
| 02:55 | ई TV स्क्रीन सन देखाइत अछि। |
| 02:57 | ई कम्प्यू्टरक visual डिस्प्ले यूनिट थिक। |
| 03:02 | ई कम्प्यू्टरक यूज़र इंटरफ़ेस प्रदर्शित करैत अछि। |
| 03:05 | * की-बोर्ड आ माउसक प्रयोग करैत अहाँ अनेक प्रोग्राम खोलिकए कम्प्यूटर पर काज क' सकै अछि। |
| 03:13 | कम्प्यूटरमे अक्षर, शब्दर, पाठ अथवा अन्य कमांड्स भरबा लेल की-बोर्ड, डिज़ाइन कएल गेल अछि। |
| 03:21 | ई कम्प्यूटर माउस थिक। |
| 03:24 | अइमे खास तौर पर क्लिक होअ'बला दू टा बटन आ ओर बीचमे एकटा स्क्रोल बटन होइत अछि। |
| 03:31 | माउस'क बाम बटन क्लिबक क' कए बहुत रास काज होइत अछि। |
| 03:35 | माउस'क दहिन बटन क्लिलक क' कए शॉर्टकट्स आदि विशिष्ट़ प्रक्रियाएं संचालित होइत अछि। |
| 03:43 | माउस व्हील, स्क्रोल बटन घुमाक' स्क्रोल ऊपर-नीचाँ कएल जाइत अछि। |
| 03:49 | की-बोर्डक बदला माउसक उपयोगसँ कम्प्यूतटर पर काज करब एक वैकल्पिक मार्ग थिक। |
| 03:57 | आब, CPUक विभिन्ना भागके देखी। |
| 04:02 | CPUक आगूमे एकटा मुख्य बटन अछि, जे पॉवर ऑन (POWER ON) स्विच थिक। |
| 04:08 | कम्प्यूटर खोलबा लेल, अइ स्विचकें दाबल जाइत अछि। |
| 04:14 | एकटा रीसेट (reset) बटन सेहो होइत अछि, जे आवश्य कतानुसार कम्प्यूटर कें दोबारा चलेबामे सहायक होइत अछि। |
| 04:21 | आगू दिश अहाँ दूटा या कि बिसियो, USB पोर्ट्स आ एकटा DVD/CD-ROM रीडर-राइटर सेहो देखब। |
| 04:30 | USB पोर्ट्सक उपयोग कम्प्यूयटरमे पेन-ड्राइव्स लगेबामे होइत अछि। |
| 04:35 | आ DVD/CD-ROM रीडर-राइटर कोनो CD या DVD कें रीड अथवा राइट करबा लेल उपयोग होइत अछि। |
| 04:43 | आब कम्प्यूटरक पाछू दिश देखै छी। |
| 04:48 | पछिला पोर्ट्सक उपयोग कम्प्यूोटरक अन्य उपकरणकें CPUसँ जोड़बामे होइत अछि। |
| 04:55 | ई केबल्सक उपयोग द्वारा होइत अछि। |
| 04:58 | CPUक भीतर बहुत रास कल-पुर्जा होइत अछि। |
| 05:02 | जखन कम्प्यूटर चलैत अछि, तखन समस्त कल-पुर्जा कार्यरत रहैत अछि आ गर्म होइत अछि। |
| 05:08 | पाछूमे अवस्थिेत पंखा समस्ता कल-पुर्जाकें ठंडा करबा लेल हवाक प्रवाह दैत अछि। |
| 05:14 | अन्यथा, अधिक गर्म भेलासँ CPUकें नुकसान भ' सकैत अछि, प्रायः डेटाक क्षति सेहो भ' सकैत अछि। |
| 05:21 | ई केस कूलिंग फैन थिक। |
| 05:23 | ई CPUकें सामान्य तापमान पर रखैत अछि आ बेसी गर्म हेबानेसँ बचबैता अछि। |
| 05:30 | पॉवर सप्लाई यूनिट कें PSU सेहो कहल जाइत अछि, ई कम्प्यूबटरकें पॉवर दैत अछि। |
| 05:37 | आब, विभिन्नप कल-पुर्जाकें CPUसँ जोड़ब सिखै छी। |
| 05:42 | समस्तॉ घटककें दर्शाओल पद्धतिसँ टेबल पर राखू। |
| 05:46 | समस्तॉ केबल्सकें दर्शाओल पद्धतिसँ टेबल पर राखू। |
| 05:51 | पहिने, मॉनिटरकें CPUसँ जोड़ै छी। |
| 05:55 | पॉवर केबलकें दर्शाओल पद्धतिसँ मॉनिटरसँ जोड़ू। |
| 06:00 | आब, दोसर सिराकें पॉवर सप्लाई सॉकेटसँ जोड़ू। |
| 06:04 | ई CPU क पॉवर केबल थिक। |
| 06:08 | एकरा दर्शाओल पद्धतिसँ CPUसँ जोड़ू। |
| 06:11 | फेर, एकरा पॉवर सप्लाई सॉकेटसँ जोड़ू। |
| 06:14 | आगू, दर्शाओल पद्धतिसँ की-बोर्ड केबलकें CPUसँ जोड़ू। |
| 06:19 | की-बोर्डक पोर्ट आम-तौर पर पर्पल रंगक होइत अछि। |
| 06:23 | अहाँ माउसकें हरियर रंगक पोर्टसँ जोड़ि सकै छी। |
| 06:28 | वैकल्पिक रूपसँ, अहाँ USB की-बोर्ड आ माउस कें कोनो USB पोर्टसँ जोड़ि सकै छी। |
| 06:35 | शेष USB पोर्ट्स पेन ड्राइव्स, हार्ड ड्राइव्स आदिकें जोड़बा लेल उपयोग कएल जा सकैत अछि। |
| 06:42 | ई LAN केबल थिक। |
| 06:44 | आ ई LAN पोर्ट थिक। |
| 06:46 | ई 'वायर्ड कनेक्शन' थिक जे 'कम्प्यू्टर'कें 'नेटवर्क'सँ जोड़बाक अनुमति दैत अछि। |
| 06:52 | LAN केबलक दोसर सिरा modem या wi-fi राऊटरसँ जोड़ै छी। |
| 06:58 | wi-fi कनेक्शंस कें कॉन्फ़िगर करबाक अवगति अहाँ दोसर ट्यूटोरियलमे सीखब। |
| 07:03 | जखन LAN पोर्ट सक्रिय रहैत अछि आ संकेत प्राप्त करैत रहैत अछि तखन LED लाइट टिमटिमाइत रहैत अछि। |
| 07:10 | अहाँ देखि सकै छी जे CPU पर अन्य सीरियल पोर्ट्स अछि। |
| 07:15 | ई PDAs, modem या अन्य सीरियल उपकरणकें जोड़बा लेल उपयोग अबैत अछि। |
| 07:21 | अहाँ देखब जे CPU पर कुछ पैरेलल पोर्ट्स सेहो रहैत अछि। |
| 07:25 | ई प्रिंटर, स्कैनर आदि उपकरणकें जोड़बा लेल उपयोग अबैत अछि। |
| 07:31 | आब, ऑडियो जैक्स देखै छी। |
| 07:34 | गुलाबी पोर्ट माइक्रोफोन जोड़बामे उपयोग होइत अछि। |
| 07:38 | नीला पोर्टक उपयोग लाइन इनकें जोड़बा लेल रेडियो अथवा टेप प्लेयर लेल होइत अछि। |
| 07:45 | हरियर पोर्टक उपयोग हेडफ़ोन/स्पीकर अथवा लाइन आउटकें जोड़बा लेल होइत अछि। |
| 07:51 | आब समस्तर उपकरणकें जोड़लाक बाद, कम्प्यूटर चलबै छी। |
| 07:57 | सबसँ पहिने, मॉनिटर आ CPUक पावर सप्लाई बटन ऑन करू। |
| 08:03 | आब, मॉनिटर पर पावर ऑन बटन दबाउ। |
| 08:07 | आ फेर CPUक आगू वला, पावर ऑन स्विच दबाउ। |
| 08:12 | अहाँक कम्प्यूटर जखन पहिल बेर ऑन हएत, सामान्यतः कारी स्क्रीन पर किछु शब्द-रेखा देखाएत। |
| 08:18 | ई BIOS सिस्टम थिक, अइ पर |
| 08:22 | कम्प्यूटरक सेंट्रल प्रोसेसिंग यूनिटक जानकारी |
| 08:25 | कम्प्यूटरक मेमोरी कतेक अछि, तकर जानकारी |
| 08:28 | तथा हार्ड डिस्क ड्राइव्स एवं फ्लॉपी डिस्क ड्राइव्सक जानकारी प्रदर्शित होइत अछि |
| 08:33 | BIOS एहन सॉफ्टवेयर थिक जे CPU कें कम्प्यू्टर ऑन हेबाक सबसँ पहिल निर्देश दैत अछि। |
| 08:41 | ऑपरेटिंग सिस्टम लोड हेबाक सम्पूॉर्ण प्रक्रियाकें कम्प्यूटरक बूटिंग कहल जाइत अछि। |
| 08:48 | समस्तप अनिवार्य जाँचें पूर्ण भेलाक बाद अहाँकें ऑपरेटिंग सिस्टमक इंटरफ़ेस देखाएत। |
| 08:54 | जँ अहाँ उबन्टु लिनक्स प्रयोक्ता छी, त' अहाँ एहन स्क्रीन देखब। |
| 08:58 | आ जँ अहाँ विंडोज प्रयोक्ता छी, त' अहाँ एहन स्क्रीन देखब। |
| 09:02 | आब, संक्षेपमे हमरा लोकनि लैपटॉप देखी। |
| 09:06 | लैपटॉप पोर्टेबल आ कॉम्पैक्ट कम्प्यूटर्स होइत अछि। |
| 09:09 | लैपटॉप एतेक हल्लुक आ छोट होइत अछि जे कोर'मे राखि ओहि पर सहजतासँ काज क' सकै छी। |
| 09:16 | अही कारण एकरा लैपटॉप कहल जाइत अछि। |
| 09:18 | डेस्कटॉप कम्प्यूँटर जकाँ अहूमे समान घटक होइत अछि-- |
| 09:23 | जेना कि डिस्प्ले स्क्रीन |
| 09:24 | की-बोर्ड |
| 09:25 | टच पैड, जे निर्देशित आ संचार करबाक उपकरण थिक, |
| 09:29 | CD/DVD रीडर-राइटर आ संगहि |
| 09:32 | एकहि यूनिटमे बनल माइक एवं स्पीकर। |
| 09:36 | अइमे LAN पोर्ट्स आ USB पोर्ट्स सेहो अछि। |
| 09:40 | एतए एकटा वीडियो पोर्ट अछि, जकर उपयोगसँ लैपटॉप आ प्रोजेक्टरकें जोड़ल जाइत अछि। |
| 09:46 | माइक आ हेडफोन लेल सुनिश्चि त आइकन द्वारा ऑडियो जैक्स आसानीसँ चीन्हहल जा सकैत अछि। |
| 09:53 | ई लैपटॉपमे अंतनिर्हित कूलिंग फैन थिक। |
| 09:57 | ई लैपटॉप कें बेसी गरम हेबासँ बचबैत अछि। |
| 10:01 | लैपटॉप AC अडैप्टर द्वारा बिजलीसँ संचालित होइत अछि, अइमे चार्ज होब वला एकटा बैटरी होइत अछि। |
| 10:09 | तें, ई पोर्टेबल अछि आ निरन्तहर विद्युत स्रोतक बिना सेहो उपयोग कएल जा सकैत अछि। |
| 10:16 | संक्षेपमे हमरा लोकनि अइ ट्यूटोरियलमे सिखलहुँ-- |
| 10:20 | डेस्कटॉप आ लैपटॉपक विभिन्नन कल-पुर्जा'क जानकारी |
| 10:23 | आ डेस्कटॉपक विभिन्नल घटककें जोड़बाक अवगति |
| 10:28 | प्रदर्शित लिंक पर उपलब्ध वीडियो देखी। |
| 10:31 | अइमे स्पोकन ट्यूटोरियल प्रॉजेक्टक सार-संक्षेप प्रदर्शित अछि। |
| 10:34 | व्यवस्थित बैंडविड्थ नइँ भेटला पर अहाँ एकरा डाउनलोड क' कए देखि सकै छी। |
| 10:37 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग कार्यशाला आयोजित करैत अछि। |
| 10:42 | ऑनलाइन टेस्ट पास पास केनिहार प्रतिभागीकें प्रमाणपत्र देल जाइत अछि। |
| 10:46 | अधिक जानकारी लेल कृपया contact@spoken-tutorial.org पर सम्पर्क करी। |
| 10:52 | स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट, टॉक टू अ टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा थिक। |
| 10:56 | ई भारत सरकारक एम एच आर डीक आई सी टीक माध्यमे राष्ट्रीय साक्षरता मिशन द्वारा समर्थित अछि। |
| 11:01 | अइ मिशन पर अधिक जानकारी http://spoken-tutorial.org/NMEICT-Intro पर उपलब्ध अछि। |
| 11:11 | अनुवादक प्रतिमा कुमारी एवं कुमारी सीमा संग देवशंकर नवीन आ उज्ज्वल आलोक अहाँसबसँ विदा लैत अछि। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद। |