LibreOffice-Suite-Writer/C3/Typing-in-local-languages/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search

Resources for recording Search And Replace Auto Correct

Time Narration
00:01 नमस्कार, लिबर ऑफिस राइटरमे स्थानीय भाषामे टाइपिंग (Typing in Local languages) वि‍षयक अइ टयूटोरियलमे अहाँक स्वागत अछि।
00:08 अइ ट्यूटोरियलमे, हम अहाँकें लिबर ऑफिस राइटरक संग कन्नड़मे टेक्स्ट प्रोसेसिंग सँ परिचित कराएब।
00:15 एतए हम अपन ऑपरेटिंग सिस्टमक रूपमे

उबंटु लिनक्स वर्जन 10.04लिबर ऑफिस वर्जन 3.3.4 क उपयोग क' रहल छी।

00:25 आब, हम बताएब जे अहाँ लिबरऑफिसमे कन्नड़ टाइपिंगकेंना कन्‍फिगर करी। अहाँ अइ पद्धतिक उपयोग अहाँ लिबर ऑफिसमे कोनहु भाषाकें कन्‍फिगर करै लेल क' सकै छी।
00:36 पैकेजसकें संस्थापित करै लेल सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक उपयोग करी।
00:40 विवरण लेल, स्पोकन ट्यूटोरियल वेबसाइट पर उपलब्ध सिनैप्टिक पैकेज मैनेजर पर ट्यूटोरियलकें देखी।
00:48 कन्फिगरेशन चारि‍ स्टेप्समे होइत अछि।
00:52 जाँच करी जे अहाँक कंप्यूटरमे SCIM संस्थापित अछि वा नइँ।
00:55 जँ नइँ अछि‍, त' अनुवर्ती पैकेजेसकें चिह्नित करै लेल आ SCIMकें संस्थापित करै लेल सिनैप्टिक पैकेज मैनेजरक उपयोग करी।
01:03 जा धरि‍ अहाँ ई क' रहल छी, अहाँ ट्यूटोरियलकें रोकि‍ दी, आ जखन भ' जाए, त' रिज्यूम करी ।
01:08 आगू कीबोर्ड इनपुट पद्धतिक रूपमे SCIM-immodule सलेक्‍ट करी।
01:14 टेक्स्ट इनपुट लेल भाषाक रूपमे कन्नड़क चुनाव करै लेल SCIM कन्‍फिगर करी।
01:20 कॉम्पलेक्स टेक्स्ट लेआउट Complex Text layout लेल कन्नड़क चुनाव करै लेल लिबर ऑफिसकें कन्‍फिगर करी।
01:26 हम आब अही वि‍षयमे करब।
01:29 System, AdministrationLanguage support पर क्लिक करी।
01:41 जँ अहाँकें स्क्रीन पर Remind me later अथवा Install now भेटैत अछि, त' Remind me later पर क्लिक करी।
01:51 कीबोर्ड इनपुट मैथड सिस्टम (Keyboard input method system)मे scim-immoduleकें सलेक्‍अ करी।
01:56 एतए ई जँ पहि‍नहि‍सँ चयनित अछि, त' हम किछु नइँ करब।
02:01 SCIMकें कन्‍फिगर करै लेल System, PreferencesSCIM Input Method पर क्लिक करी।
02:14 एखन अहाँ एकरा स्क्रीन पर नइँ देख सकै छी। मुदा जखन अहाँ एकरा अपन कंप्यूटर पर करब, त' अहाँ अइ ऑप्शनकें देखबामे सक्षम हण्‍ब।
02:22 IMEngineमे Global Setup पर क्लिक करी।
02:27 अइसँ SCIM टेक्स्ट प्रोसेसिंगमे समर्थित समस्‍त भाषाक सूची देखाओत।
02:38 अइमे हिन्दी, कन्नड़, बंगाली, गुजराती, तमिल, तेलुगू, मलयालम, उर्दू सहित अधि‍कतर बाजल जाद बला समस्‍त भारतीय भाषा होइत अछि‍।
02:48 हमर ट्यूटोरियल लेल हिन्दीकन्नड़ चयनित हेबाक चाही।
02:55 अपन कन्‍फिगरेशनकें सेव करै लेल OK पर क्लिक करी।
02:59 SCIMक बदलावक जे प्रभाव भेल अछि तकरा सुनिश्चित करै लेल हमरा मशीनकें पुनः आरंभ करए पड़त।
03:04 ई केलाक बाद अइ ट्यूटोरियल पर वापस आबी।
03:08 आब हम लिबर ऑफिसमे कन्नड़ प्रोसेसिंग कन्‍फिगर करब।
03:14 Applications, OfficeLibre Office Writer पर क्लिक करी।
03:27 हम मुख्य मेन्यूमे Tools आ ऑप्शनमे उप-ऑप्शन पर क्लिक करब।
03:33 एतए अहाँ ऑप्शन्स डायलॉग बॉक्स देखब।
03:37 अइ बॉक्समे, हम Language Settings आ फेर Languages option पर क्लिक करब।
03:46 कॉम्पलेक्स टेक्स्ट लेआउट लेल सक्रिय चेक बॉक्स पर क्लिक करब, जँ ई पहि‍नहि‍सँ सलेक्‍टेड नइँ अछि।
03:53 कृपया CTL ड्रॉपडाउनसँ कन्नड़क चुनाव करी।
04:00 डिफॉल्ट रूपसँ, ई कन्नड़ लेल अहाँकें लोकल लैंग्वेज सेटिंग सेट क' देत।
04:04 OK पर क्लिक करी।
04:10 हम आब कन्नड़ आ अंग्रेजीमे एक वाक्य टाइप करब।
04:15 हम Baraha पद्धति, Nudi पद्धति आ UNICODE फॉन्टसक उपयोग करब। आ अन्ततः फाइलकें सेव करब।
04:24 आब हम एकरा प्रदर्शित करै छी।
04:27 उपस्‍थि‍त टेक्स्ट डॉक्युमेंटमे, Ubuntu GNU/Linux supports multiple languages with Libre Office. टाइप करी।
04:45 CONTROL कीकें पकड़ि‍क' राखी आ स्पेस बारकें दाबी।
04:52 स्क्रीनक नीचाँ दहि‍ना कात एक टा छोट सन विंडो खुजैत अछि।
04:56 साधारण ध्वन्यात्मक पद्धति, जे Baraha पद्धतिक समान अछि, अइमे टेक्स्ट इनपुट करै लेल कन्नड़ KN-ITRANSकें सलेक्‍ट करी।
05:05 जँ Nudi कीबोर्ड लेआउट चाहै छी, त' Kannada – KN KGP पर क्लिक करी।
05:10 हम KN-ITRANS इनपुट पद्धतिक उपयोग करब। जे सरल अछि आ तें शुरुआत लेल आसान अछि।
05:16 Sarvajanika Tantramsha अंग्रेजीमे टाइप करी।.
05:27 अहाँ देखब जे कन्नड़ टेक्स्ट स्क्रीन पर देखा देत।
05:31 CONTROL कीकें पकड़ि‍क' राखी आ स्पेस बारकें दाबी।
05:33 विंडो गायब भ' जाइत अछि।
05:35 आब हम अंग्रेजीमे टाइप करब।
05:37 अइ प्रकारें CONTROL की प्लस स्पेस बार हमरा अंग्रेजी आ अन्य चयनित भाषाक बीच जेबामे मदति‍ करैत अछि।
05:48 कृपया, arkavathuक उपयोग क' कए Nudiमे टाइपिंग सहित, कन्नड़मे टाइपिंगक बारेमे विशेष जानकारी लेल, [www.Public-Software.in/Kannada] पर उपलब्ध कन्नड़ टेक्स्ट प्रोसेसिंग पर आधारित डॉक्युमेंटकें देखी।
06:05 जखन कखनहु हम भारतीय भाषा सभमे टाइपिंग करब, केवल UNICODE फॉन्टक उपयोग करब, कारण, Unicode सर्वत्र स्वीकृत फॉन्ट अछि।
06:13 Lohit कन्नड़ Unicode फॉन्ट अछि, जकर उपयोग क' हम रहल छी।
06:16 कृपया ध्यान दी जे हम अहाँकें कन्नड़ टेक्स्ट प्रोसेसिंग देखैने छी।
06:20 लिबर ऑफिस राइटरक उपयोग क' कए SCIM इनपुट पद्धतिक तहत कोनहु भाषामे टेक्स्ट टाइप करै लेल अही प्रक्रियाक उपयोग कएल जा सकैत अछि।
06:28 आब बोध सम्‍बन्‍धी दायि‍त्‍व।
06:31 कन्नड़मे तीन टा पोथीक सूची टाइप करी।
06:33 पोथीक शीर्षक'क अंग्रेजी लिप्यंतरण प्रदान करी।
06:37 हम एतए बोध सम्‍बन्‍धी दायि‍त्‍व पहि‍नहि‍सँ तैयार क' देने छी।
06:42 सारांश। अइ ट्यूटोरियलमे-
06:46 हमरा लोकनि‍ सीखलहुँ जे कीबोर्ड आ भाषा की सेटिंग्स लेल लिबर ऑफिस आ उबंटुकें कोना कन्‍फिगर करी।
06:51 हम इहो देखलहुँ जे विभिन्न पद्धतिमे कोना टाइप करी, उदाहरणस्वरूप BarahaNudi मे।
06:57 हमने देखलहुँ जे द्विभाषी डॉक्युमेंट कोना टाइप करी।
07:00 अनुवर्ती लिंक पर उपलब्ध विडियो देखी।
07:03 एतए अइ स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश प्रदर्शि‍त अछि।
07:06 जँ अहाँक बैन्ड्विड्थ नीक नइँ अछि त' अहाँ एकरा डाउनलोड़ क' कए सेहो देखि‍ सकै छी।
07:11 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग क' कए कार्यशाला सेहो चलबैत अछि। ऑनलाइन टेस्ट पास करै बला प्रति‍भागीकें प्रमाण-पत्र सेहो दैत अछि‍।
07:19 अधिक जानकारी लेल contact @ spoken hyphen tutorial dot org पर संपर्क करी।
07:26 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्टक हिस्सा अछि। ई भारत सरकारक एमएचआरडीक राष्ट्रीय शि‍क्षा मिशन द्वारा आईसीटीक माध्यमे समर्थित अछि।
07:35 अइ मादे अधिक जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hypen Intro लिंक पर उपलब्ध अछि।
07:43 लिबर ऑफिस राइटरमे कैक भाषाक अन्वेषणक आनंद ली। ई स्क्रिप्ट कुमारी सीमा एवं प्रतिमा कुमारी द्वारा अनूदित अछि।
07:47 आई.आई.टी बॉम्बे दि‍शसँ उज्ज्वल आलोक संग हम देवशंकर नवीन आब अहाँसे विदा लै छी।धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Ujjwalalok