LibreOffice-Suite-Calc/C3/Images-and-Graphics/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:00 लिबर ऑफिस कैल्क मे इमेज अर्थात चित्र प्रविष्ट करै पर स्पोकन ट्यूटोरियल मे अहाँक स्वागत अछि।
00:06 अहि ट्यूटोरियल मे हम सीखब
00:09 डॉक्युमेंट मे इमेज (चित्र) फाइल प्रविष्ट कनै।
00:13 उदाहरणस्वरुपक- jpeg, png आ bmp.
00:19 एतए हमसब उबंटू लिनक्स वर्जन 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्ज़न 3.3.4इस्तेमाल क रहल छी।
00:28 स्प्रैडशीट मे इमेजेस के क्लिपबोर्डक’ मदद सँ ग्राफिक्स प्रोग्राम सँ सीधे जोइड़ सकै छी अथवा इमेज फाइल गैलरी सँ प्रविष्ट क सकै छी।
00:39 हम एकरसबहक विस्तार सँ चर्च करब।
00:43 चलू अपन “Personal-Finance-Tracker.ods” स्प्रैडशीट फाइल खोलैत छी।
00:48 सबसँ पहिले, sheet 2 चुनू।
00:51 हम अहि शीट मे इमेजेस प्रविष्ट करब।
00:54 ई नीक हैत जे पहिले सेल चुनू आ फेर इमेजेस के प्रविष्ट करू।
00:59 ज अहाँक कम्प्यूटर मे इमेज पहिले सँ संचित हुए, त अहाँ सबसँ पहिले

“Insert” पर क्लिक करब ...

01:06 त “Picture” आ फेर “From File” सँ चुनि क प्रविष्ट क सकैत छी।
01:10 आब ओ इमेज के ताकू, जकरा अहाँ प्रविष्ट कर चाहै छी।
01:14 हम पहिले सँ डेस्कटॉप पर “Images” नाम’क फोल्डर मे किछु चित्र संचय केने छी।
01:20 तै, हम “Image1” चुनब।
01:24 हम “Location” फील्ड मे इमेजक नाम देखब।
01:28 “Open” बटन पर क्लिक करू।
01:31 ध्यान दीअ, जे इमेज स्प्रैडशीट पर प्रदर्शित हैत।
01:38 चलू एकरा लिंक कक एकटा आरो इमेज जोड़इ छी।
01:42 पहिले एकटा नया सेल चुनू।
01:45 आब, “Insert” आ “Picture” पर क्लिक करू आ “From File” चुनू। दोसर इमेज चुनू।
01:55 आब “Image 2” पर क्लिक करू।
01:58 इमेज के अपन डॉक्युमेंट पर लिंक करै लेल, “Link” ऑप्शन चेक करू आ

“Open” पर क्लिक करू।

02:05 डायलॉग बॉक्स प्रदर्शित हैत, “Keep Link” बटन पर क्लिक करू।
02:11 इमेज आब फाइल मे लिंक भ गेल छै।
02:15 लिंकिंग..
02:17 जखन हम एकटा फाइल क लिंक करै छी त प्रथम त सेव केला पर स्प्रैडशीटक आकार छोट रहैत अछि।
02:23 किए कि स्प्रैडशीट मे इमेज नहि रहैत छै।
02:27 आ दोसर, अहिस उपयोगकर्ता दुनू फाइल्स मक अलग अलग modify क सकै छैथ।
02:32 इमेज फाइल मे कोनो कैल गेल बदलाव, स्प्रैडशीट मे लिंक्ड इमेज पर प्रदर्शित हैत।
02:39 चलू लिंक्ड Image 2क रंग ग्रैस्केलक greyscale क दै छिये।
02:46 हम अहि इमेजक सम्पादन करै लेल इमेज सम्पादक GIMPक इस्तेमाल क रहल छी।
02:50 अहाँ अपन मशीन पर संस्थापित कोनो इमेज सम्पादक इस्तेमाल क सकै छी।
02:54 सबसँ पहिले "Personal-Finance-Tracker.ods"क सेव करू आ बंद करू।
03:01 फेर, images फोल्डर मे जाऊ।
03:04 "Image 2"क चुनू।
03:06 आब, दायाँ-क्लिक करू आ Open with GIMP चुनू।
03:10 Image 2 GIMP मे खुलैत अछि।
03:13 आब इमेज के color सँ greyscale मे बदलू।
03:18 आब, इमेज के सेव करू आ बंद करू।
03:22 Personal-Finance-Tracker.ods खोलू।
03:26 Image 2 आब greyscale मे प्रदर्शित हैत।
03:30 फाइल के लिंक करै ‘क एकटा बड़ पैघ नुक्सान छै जे, जखन अहाँ अहि

स्प्रैडशीट के दोसर कम्प्यूटर वा उपयोगकर्ता के भेज चाहब त,

03:40 अहाँ क’ स्प्रैडशीट आ संगे-संग इमेज फाइल दुनू भेज पड़त,।
03:44 मतलब, जे अहाँ क हरदम ओहि जगहक जानकारी रखै पड़त, जत अहाँ दुनू

फाइल्स संचित केने छी।

03:52 इमेज के स्प्रैडशीटक दाहिना दिस घसकाबै छी।
03:58 स्प्रैडशीट मे इमेज प्रविष्ट करै क’ एकटा आओर तरीका अछि जे ।
04:05 जत अहाँ इमेज संचित केने छी ओहि फोल्डर सँ इमेज ड्रैग करी आ ओकरा अपन स्प्रैडशीट मे ड्रॉप करी।
04:09 चलू इमेज के ड्रैग आ ड्रॉप करइ छी।
04:12 आब इमेज फाइल के ड्रैग करू अपन स्प्रैडशीट मे जत रखै चाहे छी ओत ड्रॉप करू।
04:19 अहाँ देखब जे इमेज अहाँक डॉक्युमेंट मे प्रविष्ट भ गेल अछि|
04:23 चलू CTRL+Z सँ अहि बदलाव के अन्डू करइ छी।
04:29 चलू अपनासब आब इमेज के ड्रैग आ ड्रॉप तरीका सँ लिंक करइ छी।
04:34 ई सेहो बहुत आसान अछि! मात्र “Control” आ “Shift” कीज़ के दबा क पकड़ने रहब।
04:40 जखन स्प्रैडशीट मे इमेज ड्रैग करब।
04:44 इमेज फाइल आब डॉक्युमेंट सँ लिंक भ गेल अछि।
04:48 अइ अहि कैल्क फाइल के CTRL आ S कीज़ के एकै-संग दबा क’ सेव करइ छी।
04:54 आब अइ फाइल के बंद करइ छी।
04:58 चलू आब जाहि फोल्डर में इमेज छै ओत जै छी|
05:02 “Image 3.jpg” जेकरा हमसब फाइल मे प्रविष्ट केने छी ओकर नाम “Image4.jpg” क दिऔ, ।
05:12 आब “Personal Finance Tracker.ods” फाइल फेर सँ खोलू।
05:18 अहाँ देखैत छी जे लिंक्ड इमेज आब प्रदर्शित नहि अछि।
05:22 ”लिंक्ड पाथ” एकटा एरर दखैत।
05:25 अहि लिंक के डिलीट करू।
05:28 अइ ट्यूटोरियल के रोकू आ ई असाइनमेंट करू।
05:32 कैल्क शीट मे लिंक क रूप मे एकटा इमेज प्रविष्ट करू, एकरा सेव आ बंद करू।
05:38 आब, जाहि फोल्डर मे इमेज संचित अछि ओत जाऊ, आ इमेज के डिलीट करू।
05:43 कैल्क फाइल खोलू आ देखू किंवा इमेज अखनो प्रदर्शित अछि।
05:49 आब इमेज के फेर सँ इमेज फोल्डर मे पेस्ट करू।
05:53 जाँचू, किंवा इमेज कैल्क फाइल मे प्रदर्शित होई छै।
05:57 “Standard” टूलबार’क ठीक नीचाँ एकटा नब टूलबार पर ध्यान दिऔ।
06:02 ई “Picture” टूलबार थिक।
06:04 “Picture” टूलबार’क सबसँ ऊपर बाम दिस Filter बटन छै जे इमेजक रूप बदलै’क ढेर ऑप्शन्स दैत अछि।
06:13 CTRL+Z सँ एकरा अन्डू करें।
06:18 “Graphics mode” बटन मे इमेज के ग्रैस्केल, ब्लैक-एंड-व्हाइट वा वॉटरमार्क मे बदलै क’ ऑप्शन्स छै।
06:26 “Picture” टूलबार मे आओर कतेक ऑप्शन्स छै जेकरा हमसब बाद मे देखब।
06:32 आगाँ, हमसब सीखब, जे क्लिपबोर्ड सँ इमेज कोना प्रविष्ट करि।
06:37 क्लिपबोर्ड मे संचित इमेजेस के अहाँ एकटा लिबर ऑफिस स्प्रैडशीट सँ दोसर

मे कॉपी क सकै छी।

06:44 एकटा नब स्प्रैडशीट बनाऊ आ ओकरा “abc.ods” नाम दिऔ।
06:50 ई हमरसबहक टारगेट डॉक्युमेंट अछि।
06:53 हमरसबहक “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे पहिले सँ एकटा इमेज हैत।
06:59 ई हमरसबहक सोर्स डॉक्युमेंट थिक।
07:02 आब सोर्स फाइल सँ जाहि इमेज कॉपी करबाक अछि तकरा चुनू।
07:06 इमेज के कॉपी करै लेल “CTRL” आ “C” कीज़ के एकै संग दबाऊ।
07:11 इमेज आब क्लिपबोर्ड पर सेव भ गेल हैत।
07:15 आब टारगेट डॉक्युमेंट पर जाऊ, जे “abc.ods” थिक।
07:21 उ जगह चुनू, जत अहाँ अपन सेव भेल इमेज के “abc.ods” मे राख चाहै छी।
07:28 आब डॉक्युमेंट मे इमेज प्रविष्ट करै लेल “CTRL” आ “V” कीज़ एकै संग दबाऊ।
07:35 हम देखब जे इमेज हमर टारगेट फाइल मे प्रविष्ट भ गेल अछि।
07:42 आब हम सीखब, जे कैल्क गैलरी सँ इमेजेस के कोना प्रविष्ट करी।
07:48 “Gallery”मे इमेजक संग ध्वनि सेहो भेट जैत जेकरा हमसब अपन स्प्रैडशीट

मे प्रविष्ट क सकै छी।

07:54 चलू देखइ छी ई कोना करब।
07:57 स्टैन्डर्ड टूलबार मे “Gallery” आइकन पर क्लिक करू।
08:01 वैकल्पिक रूप सँ, मेन्यू बार मे “Tools” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Gallery” पर क्लिक करू।
08:09 आब “Gallery” क इमेज सबमें जेकरा अहाँ अपन डॉक्युमेंट मे प्रविष्ट कर चाहै छी ओहि पर क्लिक करू।
08:18 “Gallery” सँ इमेज ड्रैग करू आ स्प्रैडशीट मे जत अहाँ प्रविष्ट करै

चाहि छी ओतअ ड्रॉप करू।

08:26 अहाँ देखब कि इमेज हमर “Personal-Finance-Tracker.ods” फाइल मे

प्रविष्ट भ गेल अछि।

08:34 अहि संग हमसब “लिबरऑफिस कैल्क” पर ई स्पोकन ट्यूटोरियल के अंत मे आबि गेल छी।
08:39 संक्षेप में, हमसब सीखलौ जे कोना- ढेरो तरीका सँ इमेज फाइल के

स्प्रैडशीट मे प्रविष्ट करी।

08:46 जेना की फाइल क्लिपबोर्ड सँ वा गैलरी सँ
08:52 निम्न'क लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू।
08:55 ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक सारांश थिक।
08:58 यदि अहाँक पास निक बैंडविड्थ नै हैत त अहाँ एकरा डाउनलोड कक देख सकै छी।
09:03 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्टक टीम, स्पोकन ट्यूटोरियल'क इस्तेमाल कक

कार्यशाला सेहो चलबैत छैथ।||

09:08 ऑनलाइन टेस्ट पास केनि‍हार प्रति‍भागीकें प्रमाणपत्र सेहो देल जाइत छैन।
09:12 बेसि जानकारी क’ लेल कृपया contact@spoken hyphen tutorial dot org पर संपर्क करू।
09:19 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ टीचर प्रोजेक्टक अंश थिक।
09:23 ई भारत सरकारक, एम एच आर डीक “आईसीटीक माध्यम सँ राष्ट्रीय

साक्षरता मिशन” द्वारा समर्थित अछि‍।

09:31 अहि मिशन पर बेसी जानकारी क’ लेल उपलब्ध लिंक पर संपर्क करू। spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro
09:41 आई.आई.टी बॉम्बे’क तरफ सँ हम स्मिता झा आ संकेत कुमार झा आब अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब सँ जुड़क लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Smitajha