LibreOffice-Suite-Calc/C2/Working-with-Sheets/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Jump to: navigation, search
Time Narration
00:00 लिबर ऑफिस में सेल्स आ शीट्स क संग काज पर अहि स्पोकन ट्यूटोरियल में आहां क स्वागत अछि ।।
00:07 अहि ट्यूटोरियल में हमसब सीखब ।
00:09 रोज आ कॉलम क जोड़नै आ डिलीट केनै ।
00:13 शीट्स क जोड़नै आ डिलीट केनै । शीट्स क फेर से नाम देनै
00:17 एत हमसब ऑपरेटिंग सिस्टम उबंटू 10.04 आ लिबर ऑफिस सूट वर्ज़न 3.3.4 उपयोग क रहल छी।
00:29 अहि ट्यूटोरियल क शुरु करै छी आ सीखै छी जे स्प्रैडशीट में रोज आ कॉलम सब क केना जोड़बै।
00:35 चलू अपन “personal finance tracker.ods” फाइल खोलै छी ।
00:42 कॉलम आ रो क अलग-अलग अथवा समूह में जोइड़ सकै छी ।
00:47 स्प्रैडशीट में यदि एकटा नब रो आ कॉलम जोड़ई क अछि त पहिने सेल क चुनू आ फेर कॉलम आ रो क चुनू जत आहांक नब कॉलम आ रो जोड़बा क अछि ।
01:00 उदाहरण क लेल अपन “personal finance tracker.ods” फाइलक पहिला रो में कतौ क्लिक करै छी।
01:09 हम ओहि सेल पर क्लिक करै छी जाहिमें “Cost” लिखल अछि।
01:13 आब मेन्यूबार में “Insert” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Rows” पर क्लिक करू ।
01:19 हमसब देखई छी जे चुनल गेल रो क ऊपर एगो नब रो जूईड़ गेल अछि ।
01:25 ओनाहि एगो नब कॉलम जोड़बा क लेल मेन्यूबार में “Insert” बटन पर क्लिक करू आ फेर “Columns” बटन पर क्लिक करू ।
01:34 आहाँ देखब जे चुनल गेल सेल कॉलम क प्रारंभ में एकटा नब कॉलम जूईट गेल अछि ।
01:40 हमसब जे परिवर्तन केने छलौ ओकरा अन्डू करै छी ।
01:44 यदि आहाँ कॉलम अक्षर अथवा रो संख्या द्वारा कॉलम या रो क चुनने छी त राइट क्लिक करू आ एगो कॉलम या रो क जोड़ई क लेल

उपस्थित ड्रॉपडाउन मेन्यू में स Insert Columns या Insert Rows ऑप्शन चुनू ।

02:04 वैकल्पिक रूप स सेल पर कर्सर स क्लिक क क ओकर चुनाव करू । फेर राइट क्लिक आ Insert ऑप्शन चुनू ।आहाँक ऐहन डायलॉग बॉक्स अवलोकित हएत
02:18 एगो रो आ कॉलम क जोड़ई क लेल Entire Row या Entire Column ऑप्शन चुनू ।
02:25 एकहि बेर अलग अलग कॉलम आ रो जोड़ई क लेल, पहिला सेल पर लेफ्ट mouse बटन hold केने रहू आ जरूरी कॉलम आ रो क highlight करैत आवश्यक सेल्स तक ड्रैग करू ।
02:43 एत हमसब चारि टा सेल highlighted केने छी ।
02:47 रो आ कॉलम सब जोड़ई क लेल बताएल गेल बिधि में से कोनो एगो क अनुसरण करू । हम नव रो जोड़ चाहै छी । अहिलेल हम चुनल गेल ऑप्शन पर राइट क्लिक क क Insert ऑप्शन चुनब ।
03:00 आब हम Entire Row ऑप्शन चुनब । “OK” बटन पर क्लिक करू । देखू जे प्रारंभ में चुनल गेल रो क ऊपर चारि टा नब रो जुईड़ गेल अछि ।
03:14 आब हमसब सीखब जे कॉलम क अलग-अलग या समूह में केना डिलीट करब ।
03:20 एगो रो या कॉलम क डिलीट करै क लेल , पहिले ओहि कॉलम या रो क चुनू जेकरा डिलीट कर चाहै छी ।
03:28 उदाहरण क लेल यदि आहाँ “Laundry” लिखल कॉलम डिलीट कर चाहै छी त ओहि कॉलम क एगो सेल पर क्लिक क क ओकरा चुनू ।
03:37 आब सेल पर राइट क्लिक करू आ “Delete” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
03:43 “Delete Cells” हेडिंग क संग एगो डायलॉग बॉक्स दखैत ।
03:47 आब “Shift cells up” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू ।
03:53 आहाँ देखब जे सेल डिलीट भ जैत अछि आ ओकर निच्चा क सेल शिफ्ट भ क ऊपर आबि जैत छै। अहि परिवर्तन क अन्डू करै छी ।
04:01 आब हम सीखब जे एकहि बेर में विभिन्न कॉलम या रो क अलग-अलग या समूह में केना डिलीट करब ।
04:08 उदाहरण क लेल , यदि आहाँक “Laundry” लिखल बला रो डिलीट करइ के अछि त पहिले उ सेल क चुनू जकर सीरियल संख्या 6अछि|
04:18 आब अहि सेल पर लेफ्ट माउस बटन स क्लिक क क सभटा रो पर ड्रैग करू । अथवा ओहि रो संख्या पर क्लिक करू जेकरा डिलीट करैक छै। पूरा रो highlighted भ जैत अछि ।
04:33 सेल पर राइट क्लिक करू आ फेर “Delete” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
04:38 “Delete Cells” नामक डायलॉग बॉक्स दखैत ।
04:43 आब “Shift cells up” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू ।
04:48 आहाँ देखब जे पूरा रो डिलीट भ जैत अछि आ ओहिक निच्चा बला रो ऊपर आबि जैत अछि ।
04:55 ओहिना कॉलम चुनि क डिलीट क सकै छी। हमसब केलहा परिवर्तन सबके अन्डू करै छी ।
05:04 शीट में रो आ कॉलम केना जोड़ब आ डिलीट करब ई सिखला क बाद , आब हमसब सीखब Calc में शीट्स केना जोड़ब आ डिलीट करब
05:14 Calc में नब शीट जोड़ई क बहुत तरकीब छै । एगो-एगो क क सबहक बारे में सीखै छी ।
05:23 सब तरकीबक पहिल काज अछि ओहि शीट क चुननै जकरा बाद नब शीट जोड़ई क अछि ।
05:30 आब मेन्यूबार में “Insert” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Sheet” पर क्लिक करू ।
05:36 “Insert Sheet” हेडिंग क संग एगो डायलॉग बॉक्स ओपन होइ छै।
05:41 आब अपन शीट क बाद नब शीट जोड़ई क लेल “After current sheet” रेडियो बटन क चुनइ छी।
05:49 “Name” क स्थान पर , अपन नब शीटक नाम “Sheet 4” दर्शाल गेल अछि । ई नाम सिस्टम द्वारा देल गेल छै। आहाँ चाहि त बदैल क दोसर नाम द सकै छी।
06:01 आब “OK” बटन पर क्लिक करू । हमसब देखब जे अपन वर्त्तमान शीट क बाद नब शीट जुडी गेल अछि ।
06:09 नब शीट जोड़ई क एगो दोसर तरकीब ई अछि जे Calc विंडो क बायाँ कात निच्चा म वर्त्तमान शीट टैब पर राइट क्लिक करू आ “Insert Sheet” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
06:19 आहाँ स्थान, शीट्स क संख्या , नाम चुनि सकै छी आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू । फलस्वरूप ई शीट जुरत ।
06:31 वर्त्तमान शीट क बाद नब शीट जोड़ई क एगो दोसर सरल तरीक ई अछि जे शीट टैब क बाद देल गेल “Add Sheet” बटन पर क्लिक करू इ प्लस(+) चिन्ह स बतैल गेल छै।
06:43 अहि पर क्लिक करइ स क्रम में एगो नब शीट पिछला शीटक बाद जुइड़ जाइत अछि ।
06:51 नब शीट जोड़ई क अंतिम उपाय ई अछि जे “Insert Sheet” डायलॉग बॉक्स पर जा क निच्चा शीट टैब में “Add Sheet” प्लस चिन्ह क बगल में खाली स्थान पर क्लिक करू ।
07:06 खाली स्थान पर क्लिक करइ पर हम देखई छी जे डायलॉग बॉक्स अबैत अछि ।
07:13 आहाँ डायलॉग बॉक्स में शीटक जानकरी एन्टर क सकै छी आ फेर “OK” बटन पर क्लिक करू ।
07:20 शीट्स क केना जोड़ब ई सिखला क बाद, हम सीखब जे Calc में शीट्स केना डिलीट करब ।
07:27 शीट्स अलग-अलग या संग में डिलीट क सकै छी ।
07:31 एकेटा शीट क डिलीट करै क लेल , जै शीट क डिलीट करै क अछि ओहि पर राइट क्लिक करू आ फेर पॉप-अप मेन्यू में से “Delete Sheet” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Yes” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
07:45 आहाँ देखब जे शीट डिलीट भ गेल ।
07:48 एगो विशिष्ट शीट क डिलीट करई क दोसर तरीक अछि जे मेन्यूबार में से “Edit” ऑप्शन क उपयोग करू ।
07:55 उदाहरण क लेल यदि हमें “Sheet 3” डिलीट करै क अछि त मेन्यूबार में “Edit” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Sheet” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
08:05 आब पॉप-अप मेन्यू में से “Delete” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Yes” ऑप्शन पर क्लिक करू।
08:12 आहाँ देखब जे शीट डिलीट भ गेल । डॉक्युमेंट में जे परिवर्तन भेल अछि उ सब अन्डू करै छी।
08:19 विविध शीट क डिलीट करै क लेल , उदाहरण क लेल यदि हमसब “Sheet 2” आ “Sheet 3” डिलीट कर चाहै छी त प्रारंभ में “Sheet 2” टैब पर क्लिक करू आ फेर कीबोर्ड पर शिफ्ट क प्रेस केने रहू आ “Sheet 3” टैब पर क्लिक करू ।
08:36 आब कोनो टैब पर राइट क्लिक करू आ पॉप-अप मेन्यू में से “Delete Sheet” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Yes” ऑप्शन क्लिक करू ।
08:47 आहाँ देखब छी जे दुनू शीट डिलीट भ गेल छै। आगू सिखै क लेल डॉक्युमेंट में जे परिवर्तन भेल अछि उ सब अन्डू करै छी।।
08:56 एगो दोसर तरीक अछि जे मेन्यूबार से “Edit” ऑप्शन क उपयोग कए क एगो विशिष्ट शीट क डिलीट कएल जे।
09:03 उदाहरण क लेल यदि हम “Sheet 6” आ “Sheet 7” डिलीट कर चाहै छी त मेन्यूबार में “Edit” ऑप्शन पर क्लिक करू आ फेर “Sheet” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
09:14 आब पॉप-अप मेन्यू में “Select” ऑप्शन क्लिक करू ।
09:19 डायलॉग बॉक्स में , “Sheet 6” ऑप्शन पर क्लिक करू आ कीबोर्ड पर “Shift” बटन प्रेस करैत “Sheet 7” ऑप्शन क्लिक करू ।
09:30 “OK” बटन पर क्लिक करू । ई ओहि शीट्स सभक चुनाव करैत अछि जकरा हमसब डिलीट कर चाहै छी ।
09:37 आब फेर स मेन्यूबार में “Edit” ऑप्शन क्लिक करू आ फेर “Sheet” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
09:45 आब पॉप-अप मेन्यू में “Delete” ऑप्शन क्लिक करू आ फेर “Yes” ऑप्शन पर क्लिक करू ।
09:51 आहाँ देखब जे चुनल गेल शीट्स डिलीट भ जैत अछि ।
09:56 Calc में शीट्स केना डिलीट करू ई सिखला क बाद आब हमसब सीखब जे स्प्रैडशीट क दुबारा नाम केना देब।
10:03 आहाँ स्प्रैडशीट में पैब जे , विभिन्न शीट्स क डिफॉल्ट नाम “Sheet 1”, “Sheet 2”, “Sheet 3” थिक।
10:13 छोट स्प्रैडशीट जाहिमे कम शीट्स हुए त काज चलि जैत अछि मुदा बेसी शीट्स रहला स दिक्कत होइत अछि' ।
10:21 Calc हमरानोकनिक मन पसंद शीटक नाम बदलै क सुविधा दैत अछि ।
10:27 आब उदाहरण क लेल “Sheet 4” क नाम बदैल क “Dump” करैक अछि त आहाँ “Sheet 4” टैब पर डबल क्लिक स क सकै छी ।
10:37 आहाँ देखै छी जे “Rename Sheet” हेडिंग क संग एगो डायलॉग बॉक्स ओपन होइत छै। एत एगो टेक्स्ट बॉक्स अछि जाहिमें डिफॉल्ट रूप स “Sheet 4” लिखल अछि ।
10:47 आब डिफॉल्ट नाम डिलीट करू आ नब शीट क “Dump” नाम दीय ।
10:52 “OK” बटन पर क्लिक करू आ आहाँ देखब जे “Sheet 4” टैब क नाम “Dump” भ गेल अछि । चलू Sheets 5 आ Dump क डिलीट करइ छी।
11:02 हमसब लिबर ऑफिस Calc क अहि स्पोकन ट्यूटोरियल क अंत में आबि गेल छी ।
11:08 संक्षेप में, हमसब सीखलौ: रोज आ कॉलम क जोड़नै आ डिलीट केनै।
11:14 शीट्स क जोड़नै आ डिलीट केनै । शीट्स क फेर से नाम देनै।
11:19 कोम्प्रेहेंसिवे असाइनमेंट। “Spreadsheet Practice.ods” फाइल खोलू ।
11:25 “Serial Number” हेडिंग बला रो क चुनू आ डिलीट करू । शीट क फेर से “Department Sheet” नाम दीय .
11:32 निचा बला लिंक पर उपलब्ध विडियो देखू।
11:36 ई स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट क सारांश थिक ।यदि आहाँक पास नीक बैन्ड्विड्थ नै हुए त आहाँ एकरा डाउनलोड़ क क सेहो देख सकै छी।
11:44 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टीम- स्पोकन ट्यूटोरियलक उपयोग क क वर्कशॉप्स आयोजित करै छैथ ।
11:50 आ जे ऑनलाइन टेस्ट पास करै छैथ हुनका सर्टिफिकट सेहो देल जैत छेन । बेसी जानकरी क लेल कृपया हमें contact@spoken hyphen tutorial.org पर लिखें ।
11:59 स्पोकन ट्यूटोरियल प्रोजेक्ट टॉक-टू-अ-टीचर प्रोजेक्ट क हिस्सा थिक। इ भारत सरकार क एमएचआरडी मंत्रालय क राष्ट्रीय साक्षरता मिशन ने आई सी.टी (ICT) क स समर्थित अछि।
12:12 अहि मिशन पर बेसी जानकारी spoken hyphen tutorial dot org slash NMEICT hyphen Intro पर उपलब्ध अछि ।
12:22 अनुवादक स्मिता कुमारी संग संकेत कुमार झा अहाँसबसँ विदा लैत छी। हमरा सब संग जुड़ल रहबा लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Smitajha