Spoken-Tutorial-Technology/C2/Creation-of-a-spoken-tutorial-using-Camstudio/Maithili

From Script | Spoken-Tutorial
Revision as of 18:02, 27 November 2012 by Sneha (Talk | contribs)

(diff) ← Older revision | Latest revision (diff) | Newer revision → (diff)
Jump to: navigation, search

Name : Jaya Saraswati
Email : jaya.saraswati@gmail.com
Filename : maithili-jaya-saraswati.wmv


नमस्कार, मित्रगण! सीडीप, आईआईटी बॉम्बे दिस सँ हम अहि ट्यूटोरियल मे अहाँ के स्वागत करैत छी। इ ट्यूटोरियल अहाँ के कैमस्टूडियो सीखै के क्रमशः प्रक्रिया में सहायता देत। जखन ऐनिमेशन आर वर्णन संगे- संगे प्रस्तुत कैल जाइत छै, तखन सीखब बेसी आसान भs जाइत छै। ऑडियो-वीडियो प्रदर्शन कोनो वस्तु के विशेषता के अधिकतम स्पष्टता सँ बुझा सकैत छै।


कैमस्टूडियो एक टा स्क्रीन-रिकॉर्डिंग सॉफ़्टवेयर अछि जे ओहि सभ कार्यकलाप के रिकॉर्ड करैत छै जेकरा अहाँ अपन कम्प्यूटर स्क्रीन पर देखैत छी आर अहाँ एकरा बाद में फेरो चला कs देख सकैत छी। एकर अर्थ इ भेल जे अहाँ कैमस्टूडियो के प्रयोग अहि सभ कार्य लेल कs सकैत छी –

  • नब सॉफ़्टवेयर के विशेषताक प्रदर्शन करै के लेल,
  • स्कूल आर कॉलेज के लेल ऑडियो-वीडियो ट्यूटोरियल तैयार करै के लेल,
  • कोनो कार्य के कोन तरह सँ करबाक चाही, इ दिखबै के लेल,
  • एवीआई फ़ाइल के फ़्लैश (एसडब्ल्यूएफ़) फ़ाइल में बदलै के लेल

तथा आरो बहुत कार्य लेल। बेसीतर लोक सब लेल अपरिचित अहि सॉफ़्टवेयर के असंख्य उपयोग छै।


कैमस्टूडियो के प्रयोग माइक्रोसॉफ़्ट विन्डोज़ ९५, ९८, ऐम ई, ऐन टी ४.0, २000 और ऐक्सपी रूप संगे कैल जा सकैत छै। बस, अहाँ के ज़रूरत अछि त सिर्फ़ ४00 मेगाहर्ट्ज़ के एक टा प्रोसेसर, ६४ एमबी रैम, आर प्रोग्राम के इन्स्टॉल करै के लेल हार्ड-डिस्क पर ४ एमबी के जगह के।


कैमस्टूडियो एक टा मुक्त स्रोत सॉफ़्टवेयर छै तथा एकरा इंटरनेट सँ निश्शुल्क डाउनलो़ड कैल जा सकैत छै। www.camstudio.org साइट पर जाउ। एतs सँ कैमस्टूडियो वेबसाइट खुजत। नीचाँ अबैत जाउ और डाउनलो़ड करै के कड़ी पर डबल क्लिक करू। निर्देश के पालन करैत अहाँ कैमस्टूडियो के अपन कम्प्यूटर पर आसानी सँ डाउनलो़ड कs सकब। एक बेर जखन अहाँ कैमस्टूडियो के इन्स्टॉल कs लेब, त ओकरा चलबै के लेल ओकर चिह्न पर डबल क्लिक करू। अहि सँ कैमस्टूडियो डायलॉग बॉक्स खुजि जायत। मुख्य मेन्यू अहाँ के अपन विन्डो मे ठीक ऊपर दिखैत। फ़ाइल के अंतर्गत अहाँ के रिकॉर्ड, स्टॉप, पॉज़ और एक्ज़िट के विकल्प भेटत। अहाँ डायलॉग बॉक्स में सेहो अहि सँ मिलैत-जुलैत बटन पायब – लाल बटन रिकॉर्ड के लेल, स्लेटी बटन पॉज़ के लेल आर नीयर बटन रिकॉर्डिंग बंद करै के लेल।


उचित इ होयत कि रिकॉर्डिंग शुरू करै सँ पहिने अहाँ जेहि क्षेत्र के रिकॉर्ड करs चाहैत छी, तकरा परिभाषित करैत कैप्चर रीजन के सेट कs ली। रीजन (क्षेत्र) के अंतर्गत 3 टा विकल्प छै। यदि अहाँ रीजन चुनि कs रिकॉर्ड पर क्लिक करेब, त अहाँ अपन स्क्रीन पर एक टा आयताकार क्षेत्र चित्रित कs सकैत छी जेकर भीतर कैप्चरिंग होयत। यदि अहाँ फ़िक्स्ड रीजन (नियत क्षेत्र) चुनैत छी, त कैप्चर रीजन के पिक्सेल मे निर्दिष्ट कs सकैत छी। यदि अहाँ फ़ुल स्क्रीन चुनैत छी, त पूरा स्क्रीन कैप्चर होयत।


इनेबल ऑटोपैन कैमस्टूडियो के एक टा अनोखा विशेषता छै। यदि अहाँ अहि विकल्प के चुनैत छी, त रिकॉर्डिंग करै काल मे कर्सर जतs-जतs जायत, कैप्चर रीजन तकर अनुसरण करत। एकर इ असर होयत जे जतs सबसँ बेसी क्रियाशीलता होयत, ओहिठमन के स्क्रीन के समावेश होयत। अहाँ एतs स्क्रीन समावेशन के गति के सेहो सेट कs सकैत छी। ऑप्शन (विकल्प) के अंतर्गत वीडियो ऑप्शन छै जतs अहाँ रिकॉर्डिंग के लेस एक टा कम्प्ररेसर चुनि सकैत छी जहि सँ वीडियो फ़ाइल के साइज़ छोट रहय। व्यतिक्रम सँ इ कम्प्ररेसर माइक्रोसॉफ़्ट वीडियो1 छै किन्तु अहाँ एतs ड्रॉप डाउन बॉक्स मे देल गेल कोनो कम्प्ररेसर या कोडेक्स के चुनि सकैत छी। वैकल्पिक रूप सँ, अहाँ अपन आवश्यकतानुसार कोडेक्स के इंटरनेट से डाउनलो़ड सेहो कs सकैत छी। वीडियो ऑप्शन के सेट करै सँ अहाँ अपन वीडियो फ़ाइल के साइज़, क्वालिटी, तथा फ्रेम रेट चुनि कs वीडियो रिकॉर्डिंग के सबसँ बेहतर ढंग सँ उपयोग में आनि सकैत छी। की-फ्रेम, कैप्चर फ्रेम आर प्लेबैक रेट के मान सेट करै के लेल पहिने ऑटो ऐडजस्ट बटन को अनचेक करू। आब अहाँ अपन आवश्यकता के अनुसार मान सेट कs सकैत छी। अहि ट्यूटोरियल के रिकॉर्ड करै के लेल हम कम्प्रेसर के रूप में माइक्रोसॉफ़्ट वीडियो1 के प्रयोग केने छी जाहि मे की-फ्रेम 5 पर, कैप्चर फ्रेम 200 पर आर प्लेबैक रेट 5 पर सेट अछि। हम क्वालिटी के घटा कs 50 कs देने छी। प्रयत्न-त्रुटि विधि और विभिन्न संभावनाक जोड़ि-तोड़ि कs कs हम निजी तौर पर आउटपुट क्वालिटी आर फ़ाइल साइज़ के दृष्टि सँ अहि सब मान के उपयुक्त पाबैत छी।


जहि कार्य के अहाँ रिकॉर्ड कs रहल छी, ओतs कर्सर ऑप्शन राखैन सँ ओहि क्षेत्र पर ध्यान केन्द्रित करै मे मददि भेटैत अछि जतs सबसँ बेसी क्रियाशीलता अछि। ऑप्शन के अंतर्गत कर्सर ऑप्शन पर क्लिक करू जहि मे अहाँ के कर्सर नुकबै या दिखबै के छूटि छै। व्यतिक्रम सँ शो कर्सर चेक कैल अछि। एतs कर्सर लेल 3 टा विकल्प छै – वास्तविक कर्सर, कस्टम कर्सर (अहाँ एतs ड्रॉप डाउन बॉक्स मे सँ चुनि सकैत छी) या फिर अहाँ अपन कम्प्यूटर पर देल कर्सर फ़ोल्डर मे सँ कोनो एक कर्सर लोड कs सकैत छी। तकर बाद, अहि बॉक्स के चेक कs कs अहाँ कर्सर के आस-पास के क्षेत्र के हाईलाइट कs सकैत छी। अहाँ हाईलाइट के साइज़, आकार आर रंग सेट कर सकैत छी। ओके पर क्लिक करू। अहाँ अपन कर्सर मे कोनो बदलाव नहि देखब किंतु रिकॉर्ड भेल वीडियो मे कस्टम अथवा हाईलाइट कयल कर्सर होयत। हम अहाँ के दिखबै छी।


व्यतिक्रम सँ, कैमस्टूडियो ऑडियो के रिकॉर्ड नहि करैत छै। अहाँ अहि विकल्प के चेक कs कs ऑडियो के माइक्रोफ़ोन सँ रिकॉर्ड कs सकैत छी जे कि ऑडियो-वीडियो ट्यूटोरियल बनबै के लेल एक टा बहुत प्रभावशाली अंग छै। अहि विकल्प के प्रयोग करै के लेल अहाँ के माइक्रोफ़ोन सँ जुड़ल एक टा साउन्ड कार्ड के आवश्यकता होयत। अहि विकल्प के चेक कs कs अपन कम्प्यूटर सँ जुड़ल स्पीकर सँ सेहो अहाँ रिकॉर्ड कs सकैत छी।


प्रोग्राम ऑप्शन्स जकाँ अन्य विकल्प सेहो छै जेकर उप-विकल्प मौजूद छै। जखन कैमस्टूडियो रिकॉर्डिंग आरंभ/समाप्त करैत छै त कोन तरह सँ काम करैत छै, तकरा अपन अनुसार बनाबै के लेल अहि सब विकल्प के प्रयोग करू। सबसँ नीक त इ होयत जे रिकॉर्डिंग आरंभ करैत काल मिनिमाइज़ विकल्प के चेक कर लेल जाय। अहि सँ कैमस्टूडियो स्क्रीन के दाहिने कोने पर देल सिस्टम ट्रे पर मिनिमाइज़ भs जायत। एखन अहाँ सिस्टम ट्रे पर कैमस्टूडियो के दू टा चिह्न देख सकब। एना अहि द्वारे छै कियैक हम सेहो कैमस्टूडियो के प्रयोग करैत अहि ट्यूटोरियल के रिकॉर्ड कs रहल छी।


रिकॉर्ड सँ फ़्लैश ऑप्शन्स मे इ उप-विकल्प छै। जतs अहाँ रिकॉर्ड, पॉज़,स्टॉप आदि के सेट कs सकैत छी, ओहि ठाम कीबोर्ड शॉर्टकट छै। अहाँ अहि मे सँ केकरो चुनै के लेल स्वतंत्र छी।

हम आशा करैत छी कि कैमस्टूडियो चला सकै जोगरक पर्याप्त जानकारी अहाँ के द देने छी। अपन स्वयं के ऑडियो-वीडियो ट्यूटोरियल और ऑनलाइन दृश्य शैक्षणिक मॉड्यूल बनाबै के लेल अहि सॉफ़्टवेयर के प्रयोग कयल जाय। एक बेर अहाँ कैमस्टूडियो के बुनियादी दक्षता प्राप्त कर लेब, त अहाँ एकर बेसी विकसित अंग के अगिला संस्करण के अवश्य देखs चाहब। ताबैत धरि, सीडीप, आईआईटी बॉम्बे दिस सँ हम, जया सरस्वती, विदा लैत छी। अहि ट्यूटोरियल के देखै के लेल धन्यवाद।

Contributors and Content Editors

Sneha